Lucas 17

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “ई निश्‍चित अछि जे लोक सभ केँ पाप मे फँसाबऽ वला बात सभ होयत, मुदा धिक्‍कार ताहि मनुष्‍य केँ, जकरा द्वारा ओहन बात सभ अबैत अछि!
1 E disse aos discípulos: É impossível que não venham escândalos, mas ai
2 ओकरा लेल एहि सँ नीक जे ओ एहि बच्‍चा सभ मे सँ एकोटा केँ पाप मे फँसाबय ई होइत जे ओकरा घेंट मे जाँतक पाट बान्‍हि समुद्र मे फेकि देल जाय।
2 Melhor lhe fora que lhe pusessem ao pescoço uma pedra de moinho, e fosse lançado ao mar, do que fazer tropeçar um destes pequenos.
3 तेँ अहाँ सभ सावधान रहू!
3 Olhai por vós mesmos. E, se teu irmão pecar contra ti, repreende-o; e, se ele se arrepender, perdoa-lhe;
4 आ जँ ओ दिन मे सात बेर अहाँक विरोध मे अपराध करय और सात बेर अहाँ लग घूमि कऽ अपन अपराध मानि कऽ माफी माँगय तँ माफ कऽ दिऔक।”
4 e, se pecar contra ti sete vezes no dia e sete vezes no dia vier ter contigo, dizendo: Arrependo-me, perdoa-lhe.
5 तखन समीह-दूत सभ हुनका कहलथिन, “हमरा सभक विश्‍वास केँ बढ़ाउ!”
5 Disseram, então, os apóstolos ao Senhor: Acrescenta-nos a fé.
6 ओ उत्तर देलथिन, “जँ अहाँ सभ केँ सरिसोक दानो बराबरि विश्‍वास अछि, तँ एहि तूँइतक गाछ केँ कहि सकैत छिऐक जे, उखड़ि कऽ समुद्र मे रोपा जो, और ओ अहाँक आज्ञा मानत।
6 E disse o Senhor: Se tivésseis fé como um grão de mostarda, diríeis a esta amoreira: Desarraiga-te daqui e planta-te no mar, e ela vos obedeceria.
7 “अहाँ सभ मे एहन मालिक के छी, जकर नोकर खेत मे सँ हऽर जोति कऽ वा बाध मे सँ भेँड़ा चरा कऽ जखन अबैत अछि, तँ कहैत छिऐक जे, ‘आउ, आउ, बैसू, भोजन कऽ लिअ’?
7 E qual de vós terá um servo a lavrar ou a apascentar gado, a quem, voltando ele do campo, diga: Chega-te e assenta-te
8 की ई नहि कहबैक जे, ‘हमर भानस करह, तखन जा धरि हम भोजन पर सँ उठब नहि, ता धरि तोँ फाँड़ बान्‍हि कऽ हमर सेवा करह, तकरबाद तोहूँ खाह-पिबह’?
8 E não lhe diga antes: Prepara-me a ceia, e cinge-te, e serve-me, até que tenha comido e bebido, e depois comerás e beberás tu?
9 जखन नोकर मालिकक कहल करैत छनि, तँ की ओहि लेल मालिक ओकरा धन्‍यवाद दैत छथिन? नहि!
9 Porventura, dá graças ao tal servo, porque fez o que lhe foi mandado? Creio que não.
10 तहिना अहूँ सभ, जतेक काज अहाँ सभ केँ अढ़ाओल गेल होअय, से सभ पूरा कऽ कऽ ई कहू जे, ‘हम सभ कोनो प्रशंसा जोगरक नहि छी; हम सभ तँ खाली वैह कयलहुँ जे हमर सभक कर्तव्‍य छल।’ ”
10 Assim também vós, quando fizerdes tudo o que vos for mandado, dizei: Somos servos inúteis, porque fizemos
11 यीशु यरूशलेम जाइत काल सामरिया और गलील प्रदेशक सीमा दऽ कऽ जा रहल छलाह।
11 E aconteceu que, indo ele a Jerusalém, passou pelo meio de Samaria e da Galileia;
12 कोनो गाम मे जखन प्रवेश कयलनि तँ दसटा कुष्‍ठ-रोगी हुनका भेटलनि। ओ सभ फराके सँ ठाढ़ भऽ कऽ
12 e, entrando numa certa aldeia, saíram-lhe ao encontro dez homens leprosos, os quais pararam de longe.
13 जोर सँ सोर पारलकनि जे, “यौ मालिक यीशु! हमरा सभ पर दया करू!”
13 E levantaram a voz, dizendo: Jesus, Mestre, tem misericórdia de nós!
14 यीशु ओकरा सभ केँ देखि कऽ कहलथिन, “पुरोहित सभक ओहिठाम जाह और अपना केँ हुनका सभ केँ देखा दहुन।” ओ सभ जाइते-जाइत मे नीक भऽ गेल।
14 E ele, vendo-os, disse-lhes: Ide e mostrai-vos aos sacerdotes. E aconteceu que, indo eles, ficaram limpos.
15 तखन ओकरा सभ मे सँ एक गोटे जखन देखलक जे हम नीक भऽ गेलहुँ, तँ ओ जोर-जोर सँ परमेश्‍वरक स्‍तुति-प्रशंसा करैत घूमि आयल,
15 E um deles, vendo que estava são, voltou glorificando a Deus em alta voz.
16 और यीशुक पयर पर खसि कऽ हुनकर धन्‍यवाद करऽ लगलनि। ओ यहूदी नहि, सामरी जातिक छल।
16 E caiu aos seus pés, com o rosto em terra, dando-lhe graças; e este era samaritano.
17 तखन यीशु बजलाह, “की दसो गोटे नीक नहि भेल? आरो नौ आदमी कतऽ अछि?
17 E, respondendo Jesus, disse: Não foram dez os limpos? E onde
18 की एहि आन जातिक लोक केँ छोड़ि कऽ आओर केओ एहन नहि बहरायल जे घूमि कऽ परमेश्‍वरक धन्‍यवाद करितनि?”
18 Não houve quem voltasse para dar glória a Deus, senão este estrangeiro?
19 तखन ओ ओकरा कहलथिन, “आब उठि कऽ जाह। तोहर विश्‍वास तोरा नीक कऽ देलकह।”
19 E disse-lhe: Levanta-te e vai; a tua fé te salvou.
20 फरिसी सभक ई पुछला पर जे परमेश्‍वरक राज्‍य कहिया आओत, यीशु उत्तर देलथिन, “परमेश्‍वरक राज्‍य ओहि तरहेँ नहि अबैत अछि जे आँखि सँ देखल जा सकय।
20 E, interrogado pelos fariseus sobre quando havia de vir o Reino de Deus, respondeu-lhes e disse: O Reino de Deus não vem com aparência exterior.
21 केओ कहऽ वला नहि होयत जे, ‘देखू, एतऽ अछि,’ वा ‘ओतऽ अछि,’ कारण, परमेश्‍वरक राज्‍य अहाँ सभक बीच मे अछि।”
21 Nem dirão: Ei-lo aqui! Ou: Ei-lo ali! Porque eis que o Reino de Deus está entre vós.
22 तखन ओ अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “ओ समय आबि रहल अछि जखन अहाँ सभ केँ मनुष्‍य-पुत्रक युगक एको दिन देखबाक लेल बड़का इच्‍छा होयत, मुदा देखि नहि सकब।
22 E disse aos discípulos: Dias virão em que desejareis ver um dos dias do Filho do Homem e não
23 लोक अहाँ सभ केँ कहत जे, ‘ओतऽ छथि!’ वा ‘एतऽ छथि।’ मुदा नहि जाउ! ओकरा सभक पाछाँ नहि दौड़ू!
23 E dir-vos-ão: Ei-lo aqui! Ou: Ei-lo ali! Não vades, nem
24 कारण, मनुष्‍य-पुत्रक दिन जखन औतनि, तँ ओ बिजलोका जकाँ होयताह, जे चमकि कऽ आकाश केँ एक कात सँ दोसर कात तक इजोत कऽ दैत अछि।
24 porque, como o relâmpago ilumina desde uma extremidade inferior do céu até à outra extremidade, assim será também o Filho do Homem no seu dia.
25 मुदा ओहि सँ पहिने ई आवश्‍यक अछि जे ओ बहुत दुःख भोगथि और एहि पीढ़ीक लोक द्वारा अस्‍वीकार कयल जाथि।
25 Mas primeiro convém que ele padeça muito e seja reprovado por esta geração.
26 “जहिना नूहक समय मे भेल, तहिना मनुष्‍य-पुत्रक अयबाक समय मे सेहो होयत।
26 E, como aconteceu nos dias de Noé, assim será também nos dias do Filho do Homem.
27 जाहि दिन नूह जहाज मे चढ़ि गेलाह, ताहि दिन धरि लोक सभ खाय-पिबऽ मे और विवाह करऽ-कराबऽ मे मस्‍त रहल आ तखन जल-प्रलय भेल और सभ केओ नष्‍ट भऽ गेल।
27 Comiam, bebiam, casavam e davam-se em casamento, até ao dia em que Noé entrou na arca, e veio o dilúvio e consumiu a todos.
28 “तहिना लूतक समय मे सेहो भेल। लोक सभ खाइत-पिबैत रहल, चीज-वस्‍तु बेचैत-किनैत रहल, बीया बाउग करैत रहल आ घर बनबैत रहल।
28 Como também da mesma maneira aconteceu nos dias de Ló: comiam, bebiam, compravam, vendiam, plantavam
29 मुदा जाहि दिन लूत सदोम नगर सँ बहरयलाह, ताही दिन आकाश सँ आगि और गन्‍धकक वर्षा भेल और सभ केओ नष्‍ट भऽ गेल।
29 Mas, no dia em que Ló saiu de Sodoma, choveu do céu fogo e enxofre, consumindo a todos.
30 “जाहि दिन मनुष्‍य-पुत्र फेर प्रगट होयताह, ताहू दिन ठीक ओहिना होयत।
30 Assim será no dia em que o Filho do Homem se há de manifestar.
31 ताहि दिन जँ केओ छत पर होअय और ओकर सामान घर मे, तँ ओ ओकरा लेबाक लेल नहि उतरओ। तहिना जे केओ खेत मे होअय, से घूमि कऽ नहि आबओ।
31 Naquele dia, quem
32 लूतक घरवाली केँ मोन राखू।
32 Lembrai-vos da mulher de Ló.
33 जे केओ अपन प्राण बचयबाक प्रयत्‍न करैत अछि, से ओकरा गमाओत, और जे केओ अपन प्राण गमबैत अछि से ओकरा सुरक्षित राखत।
33 Qualquer que procurar salvar a sua vida perdê-la-á, e qualquer que a perder salvá-la-á.
34 हम अहाँ सभ केँ कहैत छी, ओहि राति दू आदमी एक ओछायन पर सुतल रहत, एक लऽ लेल जायत, आ दोसर छोड़ि देल जायत।
34 Digo-vos que, naquela noite, estarão dois numa cama; um será tomado, e outro será deixado.
35 दूटा स्‍त्रीगण एक संग जाँत पिसैत रहत, एकटा लऽ लेल जायत, आ दोसर छोड़ि देल जायत।
35 Duas estarão juntas, moendo; uma será tomada, e outra será deixada.
36 [दू आदमी खेत मे रहत, एक लऽ लेल जायत, आ दोसर छोड़ि देल जायत।]”
36 Dois estarão no campo; um será tomado, e outro será deixado.
37 शिष्‍य सभ पुछलथिन, “प्रभु, ई कतऽ होयत?” ओ उत्तर देलथिन, “जतऽ लास पड़ल रहत, ततहि गिद्ध सभ जुटत।”
37 E, respondendo, disseram-lhe: Onde, Senhor? E ele lhes disse: Onde

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 17, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.