Lucas 12

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 एम्‍हर हजारो-हजार लोकक भीड़ जुटि गेल, एतऽ तक जे लोक सभ एक-दोसर सँ पिचाय लागल। तखन यीशु सभ सँ पहिने अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “फरिसी सभक रोटी फुलाबऽ वला खमीर सँ सावधान रहू—हमर कहबाक अर्थ अछि, हुनका सभक कपटपन सँ।
1 Enquanto isso, os homens se tinham reunido aos milhares em torno de Jesus, de modo que se atropelavam uns aos outros. Jesus começou a dizer a seus discípulos: Guardai-vos do fermento dos fariseus, que é a hipocrisia.
2 एहन किछु नहि अछि जे झाँपल होअय आ उघारल नहि जायत, वा जे नुकाओल होअय आ प्रगट नहि कयल जायत।
2 Porque não há nada oculto que não venha a descobrir-se, e nada há escondido que não venha a ser conhecido.
3 अहाँ जे किछु अन्‍हार मे कहने छी से इजोत मे सुनल जायत, और जे किछु बन्‍द कयल कोठली मे कानो-कान फुसफुसा कऽ बाजल छी, से छत पर सँ घोषणा कयल जायत।
3 Pois o que dissestes às escuras será dito à luz; e o que falastes ao ouvido, nos quartos, será publicado de cima dos telhados.
4 “हे हमर मित्र सभ, हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, तकरा सभ सँ नहि डेराउ जे सभ शरीर केँ मारि दैत अछि मुदा आओर किछु नहि कऽ सकैत अछि।
4 Digo-vos a vós, meus amigos: não tenhais medo daqueles que matam o corpo e depois disto nada mais podem fazer.
5 किनका सँ डेराइ से हम कहैत छी—तिनका सँ डेराउ, जिनका अहाँक शरीर केँ मारि देलाक बाद अहाँ केँ नरको मे फेकबाक अधिकार छनि। हँ, हुनके सँ डेराउ!
5 Mostrar-vos-ei a quem deveis temer: temei àquele que, depois de matar, tem poder de lançar no inferno; sim, eu vo-lo digo: temei a este.
6 की दू पाइ मे पाँचटा बगेड़ी नहि बिकाइत अछि? तैयो परमेश्‍वर ओकरा सभ मे सँ एकोटा केँ नहि बिसरैत छथि।
6 Não se vendem cinco pardais por dois asses? E, entretanto, nem um só deles passa despercebido diante de Deus.
7 हँ, अहाँ सभक माथक एक-एकटा केशो गनल अछि। नहि डेराउ—अहाँ सभ बहुतो बगेड़ी सँ मूल्‍यवान छी!
7 Até os cabelos da vossa cabeça estão todos contados. Não temais, pois. Mais valor tendes vós do que numerosos pardais.
8 “हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, जे केओ मनुष्‍यक सामने हमरा अपन प्रभु मानि लेत, तकरो मनुष्‍य-पुत्र परमेश्‍वरक स्‍वर्गदूत सभक सामने अपन लोक मानि लेतैक।
8 Digo-vos: todo o que me reconhecer diante dos homens, também o Filho do Homem o reconhecerá diante dos anjos de Deus;
9 मुदा जे केओ मनुष्‍यक सामने हमरा अस्‍वीकार करत, तकरो हम परमेश्‍वरक स्‍वर्गदूत सभक सामने अस्‍वीकार करबैक।
9 mas quem me negar diante dos homens será negado diante dos anjos de Deus.
10 और जे केओ मनुष्‍य-पुत्रक विरोध मे कोनो बात कहत, तकरा क्षमा कयल जयतैक, मुदा जे केओ पवित्र आत्‍माक निन्‍दा करत, तकरा क्षमा नहि कयल जयतैक।
10 Todo aquele que tiver falado contra o Filho do Homem obterá perdão, mas aquele que tiver blasfemado contra o Espírito Santo não alcançará perdão.
11 “जखन लोक सभ अहाँ सभ केँ सभाघर, शासक सभ और अधिकारी सभक समक्ष लऽ जायत, तँ एकर चिन्‍ता नहि करू जे हम अपन वयान मे की उत्तर देबैक वा की कहबैक,
11 Quando, porém, vos levarem às sinagogas, perante os magistrados e as autoridades, não vos preocupeis com o que haveis de falar em vossa defesa,
12 किएक तँ पवित्र आत्‍मा ओही घड़ी अहाँ सभ केँ सिखा देताह जे की कहबाक चाही।”
12 porque o Espírito Santo vos inspirará naquela hora o que deveis dizer.
13 तखन भीड़ मे सँ केओ यीशु केँ कहलकनि, “यौ गुरुजी, हमरा भैया केँ हमरा संग बाबूक सम्‍पत्तिक बटबारा करबाक लेल कहिऔन।”
13 Disse-lhe então alguém do meio do povo: Mestre, dize a meu irmão que reparta comigo a herança.
14 मुदा ओ उत्तर देलथिन, “हौ भाइ, हमरा तोहर सभक पंच वा बटबारा करऽ वला के बनौलक?”
14 Jesus respondeu-lhe: Meu amigo, quem me constituiu juiz ou árbitro entre vós?
15 तखन ओ लोक सभ केँ कहलथिन, “सावधान! सभ तरहक लोभ सँ बाँचल रहू! कारण, मनुष्‍यक जीवन ओकर धन-सम्‍पत्ति पर निर्भर नहि रहैत छैक, ओ चाहे कतबो धनिक होअय।”
15 E disse então ao povo: Guardai-vos escrupulosamente de toda a avareza, porque a vida de um homem, ainda que ele esteja na abundância, não depende de suas riquezas.
16 तखन ओ ओकरा सभ केँ ई दृष्‍टान्‍त दऽ कऽ कहलथिन, “कोनो धनी आदमीक खेत मे बहुत उपजा भेलैक।
16 E propôs-lhe esta parábola: Havia um homem rico cujos campos produziam muito.
17 ओ मोने-मोन सोचलक जे, ‘आब हम की करू? हमरा लग अपन अन्‍न रखबाक लेल जगहे नहि अछि।’
17 E ele refletia consigo: Que farei? Porque não tenho onde recolher a minha colheita.
18 तखन सोचलक, ‘हम एना करब—ई सभ बखारी तोड़ि कऽ आरो नमहर-नमहर बना लेब, और ओही सभ मे हम अपन सभ अन्‍न और धन-सम्‍पत्ति राखब।
18 Disse então ele: Farei o seguinte: derrubarei os meus celeiros e construirei maiores; neles recolherei toda a minha colheita e os meus bens.
19 तखन हम अपना केँ कहब, ले, तोरा बहुते वर्षक लेल सम्‍पत्ति राखल छौ। आब आराम कर, खो-पी और आनन्‍द कर!’
19 E direi à minha alma: ó minha alma, tens muitos bens em depósito para muitíssimos anos; descansa, come, bebe e regala-te.
20 मुदा परमेश्‍वर ओकरा कहलथिन, ‘है मूर्ख, आइए राति तोहर प्राण तोरा सँ लऽ लेल जयतौ। तखन अपना लेल एतेक जे जमा कऽ लेलें, से ककर होयतैक?’ ”
20 Deus, porém, lhe disse: Insensato! Nesta noite ainda exigirão de ti a tua alma. E as coisas, que ajuntaste, de quem serão?
21 यीशु आगाँ कहलथिन, “एहने दशा तकरा होयतैक जे केओ अपना लेल धन जुटबैत अछि मुदा परमेश्‍वरक नजरि मे धनिक नहि अछि।”
21 Assim acontece ao homem que entesoura para si mesmo e não é rico para Deus.
22 तखन यीशु अपना शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “एहि लेल हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, प्राणक लेल चिन्‍ता नहि करू जे हम की खायब, आ ने शरीरक लेल चिन्‍ता करू जे की पहिरब।
22 Jesus voltou-se então para seus discípulos: Portanto vos digo: não andeis preocupados com a vossa vida, pelo que haveis de comer; nem com o vosso corpo, pelo que haveis de vestir.
23 कारण, प्राण भोजन सँ महत्‍वपूर्ण अछि आ शरीर वस्‍त्र सँ।
23 A vida vale mais do que o sustento e o corpo mais do que as vestes.
24 कौआ केँ देखू। ओ सभ ने बाउग करैत अछि आ ने कटनी। ओकरा सभ केँ ने कोठी छैक आ ने बखारी। तैयो परमेश्‍वर ओकरा सभ केँ खुअबैत छथिन। और अहाँ सभ तँ चिड़ै सभ सँ कतेक मूल्‍यवान छी!
24 Considerai os corvos: eles não semeiam, nem ceifam, nem têm despensa, nem celeiro; entretanto, Deus os sustenta. Quanto mais valeis vós do que eles?
25 अहाँ सभ मे सँ के चिन्‍ता कऽ कऽ अपन उमेर केँ एको पल बढ़ा सकैत छी?
25 Mas qual de vós, por mais que se preocupe, pode acrescentar um só côvado à duração de sua vida?
26 जँ ई छोट सँ छोट बात नहि कऽ सकैत छी, तँ आओर बातक चिन्‍ता किएक करैत छी?
26 Se vós, pois, não podeis fazer nem as mínimas coisas, por que estais preocupados com as outras?
27 “मैदानक फूल सभ केँ देखू, जे कोना बढ़ैत अछि। ओ सभ ने खटैत अछि आ ने चर्खा कटैत अछि। तैयो हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, राजा सुलेमान सेहो अपन राजसी वस्‍त्र पहिरि कऽ एहि फूल सन सुन्‍दर नहि लगैत छलाह।
27 Considerai os lírios, como crescem; não fiam, nem tecem. Contudo, digo-vos: nem Salomão em toda a sua glória jamais se vestiu como um deles.
28 परमेश्‍वर जँ घास केँ, जे आइ मैदान मे अछि और काल्‍हि आगि मे फेकल जायत, एहि प्रकारेँ हरियरी सँ भरल रखैत छथि, तँ ओ अहाँ सभ केँ आओर किएक नहि पहिरौताह-ओढ़ौताह? अहाँ सभ केँ कतेक कम विश्‍वास अछि!
28 Se Deus, portanto, veste assim a erva que hoje está no campo e amanhã se lança ao fogo, quanto mais a vós, homens de fé pequenina!
29 तेँ अहाँ सभ अपन मोन एहि सोच मे नहि लगौने रहू जे, हम की खायब और की पीब। एकर चिन्‍ता मे नहि लागल रहू।
29 Não vos inquieteis com o que haveis de comer ou beber; e não andeis com vãs preocupações.
30 एहि संसारक लोक सभ, जे परमेश्‍वर केँ नहि चिन्‍हैत छनि, से सभ एहि बात सभक पाछाँ दौड़ैत रहैत अछि। अहाँ सभक पिता तँ जनैत छथि जे अहाँ सभ केँ एहि बात सभक आवश्‍यकता अछि।
30 Porque os homens do mundo é que se preocupam com todas estas coisas. Mas vosso Pai bem sabe que precisais de tudo isso.
31 नहि! परमेश्‍वरक राज्‍य पर मोन लगाउ, और इहो वस्‍तु सभ अहाँ केँ देल जायत।
31 Buscai antes o Reino de Deus e a sua justiça e todas estas coisas vos serão dadas por acréscimo.
32 “हे हमर भेँड़ाक छोट समूह, नहि डेराउ, किएक तँ अहाँ सभक पिता खुशी सँ अपन राज्‍य अहाँ सभ केँ देबाक निर्णय कऽ लेने छथि।
32 Não temais, pequeno rebanho, porque foi do agrado de vosso Pai dar-vos o Reino.
33 अपन सम्‍पत्ति बेचि कऽ गरीब सभ केँ दिअ। अपना लेल एहन बटुआ बना लिअ जे कहियो नहि पुरान होइत अछि, स्‍वर्ग मे धन जमा करू जे कहियो घटैत नहि अछि, जकरा ने चोर छुबि सकैत अछि आ ने कीड़ा नोकसान कऽ सकैत अछि।
33 Vendei o que possuís e dai esmolas; fazei para vós bolsas que não se gastam, um tesouro inesgotável nos céus, aonde não chega o ladrão e a traça não o destrói.
34 कारण, जतऽ अहाँक धन अछि ततहि अहाँक मोनो लागल रहत।
34 Pois onde estiver o vosso tesouro, ali estará também o vosso coração.
35 “अहाँ सभ अपन डाँड़ कसने रहू, और डिबिया लेसने रहू।
35 Estejam cingidos os vossos rins e acesas as vossas lâmpadas.
36 ओहि नोकर सभ जकाँ रहू जे अपना मालिकक बाट ताकि रहल अछि जे, ओ विवाहक भोज खा कऽ कखन औताह जाहि सँ जखने आबि केबाड़ खटखटौताह तँ तुरत्ते खोलि दियनि।
36 Sede semelhantes a homens que esperam o seu senhor, ao voltar de uma festa, para que, quando vier e bater à porta, logo lha abram.
37 कतेक नीक ओहि नोकर सभक लेल होयतैक, जकरा सभ केँ मालिक अयला पर प्रतीक्षा करैत पौताह। हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, मालिक अपन फाँड़ बान्‍हि कऽ ओकरा सभ केँ भोजन करबाक लेल बैसौथिन, और अपने सँ ओकरा सभ केँ परसि कऽ खुऔथिन।
37 Bem-aventurados os servos a quem o senhor achar vigiando, quando vier! Em verdade vos digo: cingir-se-á, fá-los-á sentar à mesa e servi-los-á.
38 हँ, ओहि नोकर सभक लेल कतेक नीक होयत, जकरा सभ केँ मालिक रातिक दोसरो वा तेसरो पहर मे आबि कऽ तैयार पौथिन।
38 Se vier na segunda ou se vier na terceira vigília e os achar vigilantes, felizes daqueles servos!
39 मुदा ई बात जानि लिअ जे, घरक मालिक जँ बुझने रहैत जे चोर कय बजे आबि रहल अछि, तँ ओ अपना घर मे सेन्‍ह नहि काटऽ दैत।
39 Sabei, porém, isto: se o senhor soubesse a que hora viria o ladrão, vigiaria sem dúvida e não deixaria forçar a sua casa.
40 अहूँ सभ सदिखन तैयार रहू, कारण मनुष्‍य-पुत्र एहने समय मे आबि जयताह जाहि समयक लेल अहाँ सभ सोचबो नहि करब जे ओ एखन औताह।”
40 Estai, pois, preparados, porque, à hora em que não pensais, virá o Filho do Homem.
41 पत्रुस पुछलथिन, “प्रभु, की ई दृष्‍टान्‍त अहाँ हमरे सभक लेल कहि रहल छी, वा सभक लेल?”
41 Disse-lhe Pedro: Senhor, propões esta parábola só a nós ou também a todos?
42 प्रभु उत्तर देलथिन, “तँ के अछि ओहन विश्‍वासपात्र आ बुद्धिमान भण्‍डारी जकरा मालिक अपना नोकर-चाकर सभक मुखिया बना दैत छथि जे ओ निश्‍चित समय पर ओकरा सभ केँ निर्धारित भोजन दैक?
42 O Senhor replicou: Qual é o administrador sábio e fiel que o senhor estabelecerá sobre os seus operários para lhes dar a seu tempo a sua medida de trigo?
43 ओहि सेवकक लेल कतेक नीक होयत, जकरा मालिक आबि कऽ ओहिना करैत पौताह।
43 Feliz daquele servo que o senhor achar procedendo assim, quando vier!
44 हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे, मालिक अपन सम्‍पूर्ण सम्‍पत्तिक जबाबदेही ओकरा जिम्‍मा मे दऽ देथिन।
44 Em verdade vos digo: confiar-lhe-á todos os seus bens.
45 मुदा जँ ओ सेवक अपना मोन मे सोचऽ लागय जे, ‘हमर मालिक आबऽ मे बहुत देरी कऽ रहल अछि,’ और ओ नोकर-नोकरनी सभ केँ मारऽ-पिटऽ लागय आ खाय-पिबऽ मे लागि कऽ मातल रहऽ लागय,
45 Mas, se o tal administrador imaginar consigo: Meu senhor tardará a vir, e começar a espancar os servos e as servas, a comer, a beber e a embriagar-se,
46 तँ ओकर मालिक एहन दिन मे घूमि औताह जहिया ओ हुनकर बाट नहि तकैत रहत आ एहन समय मे औताह जकरा ओ नहि जानत। मालिक ओकरा खण्‍डी-खण्‍डी कऽ देथिन और ओकर अन्‍त ओहन होयतैक जे अविश्‍वासी सभक होइत छैक।
46 o senhor daquele servo virá no dia em que não o esperar e na hora em que ele não pensar, e o despedirá e o mandará ao destino dos infiéis.
47 “ओ सेवक जे अपन मालिकक इच्‍छा तँ जनैत अछि मुदा तकरा पूरा करबाक लेल किछु नहि करैत अछि, से बहुत मारि खायत।
47 O servo que, apesar de conhecer a vontade de seu senhor, nada preparou e lhe desobedeceu será açoitado com numerosos golpes.
48 मुदा जे नहि जनैत अछि आ तखन मारि खाय जोगरक काज करैत अछि, से कम मारि खायत। जकरा बहुत देल गेल छैक, तकरा सँ बहुत माँगलो जयतैक, आ जतेक आओर बेसी ककरो देल गेल छैक, ततेक आओर फेर ओकरा घुमाबऽ पड़तैक।
48 Mas aquele que, ignorando a vontade de seu senhor, fizer coisas repreensíveis será açoitado com poucos golpes. Porque, a quem muito se deu, muito se exigirá. Quanto mais se confiar a alguém, dele mais se há de exigir.
49 “हम पृथ्‍वी पर आगि लगाबऽ आयल छी, और हमरा बड्ड इच्‍छा अछि जे ओ एखने सुनगि गेल रहैत।
49 Eu vim lançar fogo à terra, e que tenho eu a desejar se ele já está aceso?
50 मुदा हमरा एकटा बड़का कष्‍ट भोगबाक अछि, और जाबत तक ओ बात पूर्ण नहि होयत, ताबत तक हम कतेक व्‍याकुल छी!
50 Mas devo ser batizado num batismo; e quanto anseio até que ele se cumpra!
51 की अहाँ सभ सोचैत छी जे हम पृथ्‍वी पर मेल-मिलाप करयबाक लेल आयल छी? नहि! हम अहाँ सभ केँ कहैत छी जे, मेल-मिलाप नहि, बल्‍कि फूट!
51 Julgais que vim trazer paz à terra? Não, digo-vos, mas separação.
52 आब सँ एके परिवार मे पाँच व्‍यक्‍ति एक-दोसराक विरोधी भऽ जायत, तीन गोटेक विरोध मे दू, आ दू गोटेक विरोध मे तीन।
52 Pois de ora em diante haverá numa mesma casa cinco pessoas divididas, três contra duas, e duas contra três;
53 अपना मे फूट भऽ जायत—बाबू बेटाक विरोध मे, आ बेटा बाबूक विरोध मे, माय बेटीक विरोधी, आ बेटी मायक, सासु पुतोहुक विरोधी, आ पुतोहु सासुक।”
53 estarão divididos: o pai contra o filho, e o filho contra o pai; a mãe contra a filha, e a filha contra a mãe; a sogra contra a nora, e a nora contra a sogra.
54 यीशु भीड़क लोक सभ केँ इहो कहलथिन, “पश्‍चिम मे मेघ उठैत देखिते अहाँ सभ कहैत छी जे, वर्षा होयत, और से होइतो अछि।
54 Dizia ainda ao povo: Quando vedes levantar-se uma nuvem no poente, logo dizeis: Aí vem chuva. E assim sucede.
55 और जखन दछिनाही बहैत देखैत छी तँ कहैत छी जे, बड्ड गर्मी पड़त, और से पड़बो करैत अछि।
55 Quando vedes soprar o vento do sul, dizeis: Haverá calor. E assim acontece.
56 यौ पाखण्‍डी सभ! पृथ्‍वी और आकाशक लक्षण अहाँ सभ चिन्‍हि लैत छी, तँ एहि वर्तमान समयक लक्षण सभ किएक नहि चिन्‍हैत छी?
56 Hipócritas! Sabeis distinguir os aspectos do céu e da terra; como, pois, não sabeis reconhecer o tempo presente?
57 “अहाँ सभ अपने किएक नहि निर्णय करैत छी जे उचित की अछि?
57 Por que também não julgais por vós mesmos o que é justo?
58 केओ अहाँ पर मोकदमा कऽ कऽ कचहरी लऽ जा रहल अछि, तँ बाटे मे ओकरा संग समझौता करबाक प्रयत्‍न करू। एना नहि होअय जे ओ अहाँ केँ न्‍यायाधीशक समक्ष बलजोरी लऽ जाय, न्‍यायाधीश अहाँ केँ सिपाहीक हाथ मे दऽ देअय, आ सिपाही अहाँ केँ जहल मे बन्‍द कऽ देअय।
58 Ora, quando fores com o teu adversário ao magistrado, faze o possível para entrar em acordo com ele pelo caminho, a fim de que ele te não arraste ao juiz, e o juiz te entregue ao executor, e o executor te ponha na prisão.
59 हम अहाँ केँ कहैत छी जे, जाबत धरि अहाँ पाइ-पाइ कऽ सधा नहि देबैक, ताबत धरि ओतऽ सँ नहि छुटब।”
59 Digo-te: não sairás dali, até pagares o último centavo.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Lucas 12, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.