João 8
jivən səndesh (MAI) vs NAA
1 मुदा यीशु जैतून पहाड़ पर गेलाह।
1 Jesus, no entanto, foi para o monte das Oliveiras.
2 भोरे भोर यीशु फेर मन्दिर मे अयलाह। लोक सभ हुनका लग आयल और ओ बैसि कऽ ओकरा सभ केँ शिक्षा देबऽ लगलाह।
2 De madrugada, voltou novamente para o templo, e todo o povo se reuniu em volta dele; e Jesus, assentado, os ensinava.
3 धर्मशिक्षक और फरिसी सभ एक स्त्रीगण केँ अनलनि, जे पुरुषक संग कुकर्म करैत पकड़ा गेल छल, और लोकक बीच मे ओकरा ठाढ़ कऽ कऽ
3 Então os escribas e fariseus trouxeram à presença dele uma mulher surpreendida em adultério e, fazendo-a ficar em pé no meio de todos,
4 यीशु केँ कहलथिन, “गुरुजी, ई स्त्रीगण पुरुषक संग कुकर्म करिते मे पकड़ा गेल।
4 disseram a Jesus: — Mestre, esta mulher foi surpreendida em flagrante adultério.
5 धर्म-नियम मे मूसा हमरा सभ केँ आज्ञा देलनि जे एहन स्त्रीगण केँ पाथर मारि कऽ मारि देबाक चाही। आब अहाँ की कहैत छी?”
5 Na Lei, Moisés nos ordenou que tais mulheres sejam apedrejadas. E o senhor, o que tem a dizer?
6 ई बात ओ सभ हुनका फँसाबऽ लेल पुछलनि, जाहि सँ हुनका पर दोष लगयबाक आधार भेटनि। यीशु नीचाँ झुकि कऽ अपन आङुर सँ जमीन पर लिखऽ लगलाह।
6 Eles diziam isso tentando-o, para terem de que o acusar. Mas Jesus, inclinando-se, escrevia na terra com o dedo.
7 ओ सभ जखन हुनका सँ पुछिते रहलाह, तखन ओ मूड़ी उठा कऽ हुनका सभ केँ कहलथिन, “अहाँ सभ मे सँ जे निष्पाप होथि, वैह सभ सँ पहिने पाथर मारथि।”
7 Como eles insistiam na pergunta, Jesus se levantou e lhes disse:
8 और फेर झुकि कऽ जमीन पर लिखऽ लगलाह।
8 E, inclinando-se novamente, continuou a escrever no chão.
9 ई बात जखन ओ सभ सुनलनि तँ पहिने बूढ़ सभ आ तखन एक-एक कऽ सभ केओ चल गेलाह। आब मात्र यीशु रहि गेलाह, और ओ स्त्रीगण जे ओहिठाम ठाढ़ छलि।
9 Mas eles, ouvindo essa resposta, foram saindo um por um, a começar pelos mais velhos até os últimos, ficando só Jesus e a mulher em pé diante dele.
10 यीशु मूड़ी उठा कऽ ओकरा कहलथिन, “बहिन, ओ सभ कतऽ अछि? की तोरा केओ नहि दण्ड देलकह?”
10 Levantando-se, Jesus perguntou a ela:
11 ओ बाजल, “नहि, मालिक, केओ नहि।” यीशु बजलाह, “हमहूँ तोरा दण्ड नहि दैत छिअह। आब जाह, आ फेर पाप नहि करह।”]
11 Ela respondeu: — Ninguém, Senhor! Então Jesus disse:
12 बाद मे यीशु फेर लोक सभ केँ कहलनि, “हम संसारक इजोत छी। जे केओ हमरा पाछाँ आओत, से अन्हार मे कहियो नहि चलत, बल्कि जीवनक इजोत प्राप्त करत।”
12 De novo, Jesus lhes falou, dizendo:
13 एहि पर फरिसी सभ हुनका कहलथिन, “आब अहाँ अपना बारे मे अपने गवाही दऽ रहल छी! अहाँक गवाही पकिया नहि मानल जायत।”
13 Então os fariseus lhe disseram: — Você dá testemunho de si mesmo. O testemunho que você dá não é verdadeiro.
14 यीशु उत्तर देलथिन, “जँ हम अपना बारे मे गवाही दैतो छी तँ हमर गवाही पकिया होइत अछि, कारण हम जनैत छी जे हम कतऽ सँ आयल छी और कतऽ जा रहल छी, मुदा अहाँ सभ नहि जनैत छी जे हम कतऽ सँ अयलहुँ वा कतऽ जाय वला छी।
14 Jesus respondeu:
15 अहाँ सभ सांसारिक दृष्टि सँ न्याय करैत छी। हम ककरो न्याय नहि करैत छी।
15 Vocês julgam segundo a carne; eu não julgo ninguém.
16 तैयो जँ हम न्याय करितो छी तँ हमर न्याय उचित होइत अछि कारण निर्णय हम असगरे नहि, बल्कि हमर पिता, जे हमरा पठौलनि, से और हम दूनू गोटे करैत छी।
16 E, se eu julgo, o meu juízo é verdadeiro, porque não sou só eu que julgo, mas eu e o Pai, que me enviou.
17 अहीं सभक धर्म-नियम मे लिखल अछि जे दू आदमीक गवाही पकिया होइत अछि।
17 Também na Lei de vocês está escrito que o testemunho de duas pessoas é verdadeiro.
18 हम अपना बारे मे अपने एक गवाह छी और हमर दोसर गवाह ओ छथि जे हमरा पठौलनि—हमर पिता।”
18 Eu dou testemunho de mim mesmo, e o Pai, que me enviou, também dá testemunho de mim.
19 ओ सभ तखन हुनका कहलथिन, “अहाँक पिता कतऽ छथि?” यीशु बजलाह, “अहाँ सभ ने हमरा चिन्हैत छी, आ ने हमरा पिता केँ। जँ हमरा चिन्हितहुँ तँ हमरा पितो केँ चिन्हितिऐन।”
19 Então eles lhe perguntaram: — Onde está o seu Pai? Jesus respondeu:
20 ई सभ बात ओ शिक्षा दैत काल मन्दिरक ओहि भाग मे कहलनि जाहिठाम दान-पात्र राखल रहैत छल। तैयो हुनका केओ नहि पकड़लकनि, किएक तँ हुनकर समय एखन तक नहि आयल छल।
20 Jesus proferiu essas palavras perto da caixa de ofertas, quando ensinava no templo. Ninguém o prendeu, porque ainda não havia chegado a sua hora.
21 यीशु हुनका सभ केँ फेर कहलथिन, “हम तँ जा रहल छी। अहाँ सभ हमरा ताकब, और अपना पाप मे मरब। हम जतऽ जाइत छी ततऽ अहाँ सभ नहि आबि सकैत छी।”
21 Outra vez Jesus lhes falou, dizendo:
22 एहि पर यहूदी सभ एक-दोसर केँ कहऽ लागल, “तँ की ओ आत्महत्या कऽ लेत? की एहि कारणेँ ओ कहैत अछि जे, हम जतऽ जाइत छी ततऽ अहाँ सभ नहि आबि सकैत छी?”
22 Então os judeus diziam: — Será que ele tem a intenção de se suicidar? Porque diz: “Para onde eu vou vocês não podem ir.”
23 ओ ओकरा सभ केँ आगाँ कहलथिन, “अहाँ सभ नीचाँक छी, हम ऊपरक छी। अहाँ सभ एही दुनियाक छी, हम एहि दुनियाक नहि छी।
23 Jesus lhes disse:
24 एहि लेल हम अहाँ सभ केँ कहलहुँ जे, अहाँ सभ अपना पाप मे मरब। कारण, जँ अहाँ सभ विश्वास नहि करब जे हम वैह छी जे छी, तँ अहाँ सभ अपना पाप मे अवश्य मरब।”
24 Por isso, eu lhes disse que vocês morrerão em seus pecados. Porque, se não crerem que
25 ओ सभ हुनका कहलकनि, “तखन अहाँ के छी?”
25 Então lhe perguntaram: — Quem é você? Jesus respondeu:
26 अहाँ सभक सम्बन्ध मे हमरा बहुत किछु कहबाक और न्याय करबाक अछि। मुदा जे हमरा पठौलनि, से सत्य छथि, और जे बात हम हुनका सँ सुनने छी, वैह बात हम संसार केँ कहैत छी।”
26 Muitas coisas tenho para falar e julgar a respeito de vocês. Porém aquele que me enviou é verdadeiro, de modo que as coisas que dele ouvi, essas digo ao mundo.
27 ओ सभ नहि बुझलक जे यीशु पिताक बारे मे ओकरा सभ केँ कहैत छथि।
27 Eles não entenderam que Jesus lhes falava do Pai.
28 तेँ यीशु कहलनि, “जखन अहाँ सभ मनुष्य-पुत्र केँ ऊपर लटका देब तखन अहाँ सभ जानि जायब जे हम वैह छी जे छी, और जानब जे हम अपने सँ किछु नहि करैत छी, बल्कि वैह करैत आ कहैत छी जे पिता हमरा सिखौने छथि।
28 Então Jesus disse:
29 जे हमरा पठौलनि, से हमरा संग छथि। ओ हमरा असगरे नहि छोड़ने छथि, कारण हम सदिखन वैह काज करैत छी जाहि काज सँ ओ प्रसन्न होइत छथि।”
29 E aquele que me enviou está comigo, não me deixou só, porque eu faço sempre o que lhe agrada.
30 जखन ई बात ओ कहि रहल छलाह तखने बहुतो लोक हुनका पर विश्वास कयलकनि।
30 Quando Jesus disse isto, muitos creram nele.
31 जे यहूदी सभ हुनका पर विश्वास कयलनि, तिनका सभ केँ यीशु कहलथिन, “जँ अहाँ सभ हमरा सिद्धान्तक पालन करब तँ अहाँ सभ वास्तव मे हमर शिष्य होयब।
31 Então Jesus disse aos judeus que haviam crido nele:
32 तखन अहाँ सभ सत्य केँ जानब, और सत्य अहाँ सभ केँ स्वतन्त्र कऽ देत।”
32 conhecerão a verdade, e a verdade os libertará.
33 ओ सभ हुनका उत्तर देलथिन, “हम सभ तँ अब्राहमक वंशज छी और कहियो ककरो गुलाम नहि भेलहुँ। अहाँ कोना कहैत छी जे हम सभ स्वतन्त्र कऽ देल जायब?”
33 Eles responderam: — Somos descendência de Abraão e jamais fomos escravos de ninguém. Como você pode dizer que seremos livres?
34 यीशु हुनका सभ केँ उत्तर देलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्ये कहैत छी जे, जे केओ पाप करैत अछि, से दास अछि।
34 Jesus respondeu:
35 दास घर मे सभ दिन तक नहि रहैत अछि, मुदा पुत्र सभ दिन तक रहैत अछि।
35 O escravo não fica sempre na casa; o filho, sim, fica para sempre.
36 तेँ जँ पुत्र अहाँ केँ स्वतन्त्र कऽ देताह तँ वास्तव मे अहाँ स्वतन्त्र भऽ जायब।
36 Se, pois, o Filho os libertar, vocês serão verdadeiramente livres.
37 हमरा बुझल अछि जे अहाँ सभ अब्राहमक वंशज छी, तैयो अहाँ सभ हमरा मारि देबऽ चाहैत छी। तकर कारण ई अछि जे, अहाँ सभक मोन मे हमरा वचनक लेल कोनो स्थान नहि अछि।
37 Bem sei que vocês são descendência de Abraão; no entanto, estão querendo me matar, porque a minha palavra não está em vocês.
38 हम जे किछु अपना पिताक ओहिठाम देखने छी, वैह कहैत छी, और अहाँ सभ से कहैत छी जे अपने पिता सँ सुनने छी।”
38 Eu falo das coisas que vi junto de meu Pai; vocês, porém, fazem o que ouviram do pai de vocês.
39 ओ सभ उत्तर देलथिन, “हमरा सभक पिता अब्राहम छथि।”
39 Então lhe disseram: — Nosso pai é Abraão. Mas Jesus respondeu:
40 मुदा देखू! अहाँ सभ हमरा खून कऽ देबाक कोशिश मे छी, खाली एहि लेल, जे हम परमेश्वर सँ सुनल सत्य केँ अहाँ सभ केँ कहलहुँ। अब्राहम एहन काज तँ नहि कयलनि!
40 Mas agora vocês estão querendo me matar, a mim que lhes falei a verdade que ouvi de Deus; Abraão não fez isso.
41 जे अहाँ सभक पिता अछि, तकरे जकाँ अहाँ सभ करैत छी।”
41 Vocês fazem as obras do pai de vocês. Eles responderam: — Nós não somos filhos ilegítimos. Temos um pai, que é Deus.
42 यीशु बजलाह, “जँ अहाँ सभक पिता परमेश्वर रहितथि तँ अहाँ सभ हमरा सँ प्रेम करितहुँ किएक तँ हम हुनके ओहिठाम सँ अयलहुँ और आब एतऽ छी। हम अपना इच्छा सँ नहि अयलहुँ, वैह हमरा पठौलनि।
42 Jesus disse:
43 हम जे कहैत छी से अहाँ सभ किएक नहि बुझैत छी? एहि लेल जे अहाँ सभ हमर बात नहि सुनि सकैत छी!
43 Por que vocês não compreendem a minha linguagem? É porque vocês são incapazes de ouvir a minha palavra.
44 अहाँ सभ अपन पिता, जे शैतान अछि, तकर छी, और अहाँ सभ अपन पिताक इच्छा पूरा करबाक निश्चय कयने छी। ओ शुरुए सँ हत्यारा अछि और सत्य सँ कोनो सम्बन्ध नहि रखैत अछि, कारण ओकरा मे सत्य छैहे नहि। ओ जखन झूठ बजैत अछि तँ अपन स्वभावेक अनुसार बजैत अछि, किएक तँ ओ झुट्ठा अछि और झूठक पिता अछि।
44 Vocês são do diabo, que é o pai de vocês, e querem satisfazer os desejos dele. Ele foi assassino desde o princípio e jamais se firmou na verdade, porque nele não há verdade. Quando ele profere mentira, fala do que lhe é próprio, porque é mentiroso e pai da mentira.
45 मुदा हम अहाँ सभ केँ सत्य कहैत छी और तेँ अहाँ सभ हमर विश्वास नहि करैत छी।
45 Mas, porque eu digo a verdade, vocês não creem em mim.
46 की अहाँ सभ मे सँ केओ प्रमाणित कऽ सकैत अछि जे हम पापक दोषी छी? जँ हम सत्य बजैत छी तँ हमर विश्वास किएक नहि करैत छी?
46 Quem de vocês me convence de pecado? Se digo a verdade, por que não creem em mim?
47 जे परमेश्वरक अछि, से परमेश्वरक वचन सुनैत अछि। अहाँ सभ एहि द्वारे नहि सुनैत छी जे अहाँ सभ परमेश्वरक नहि छी।”
47 Quem é de Deus ouve as palavras de Deus; por isso, vocês não me ouvem, porque não são de Deus.
48 यहूदी सभ हुनका उत्तर देलथिन, “की हम सभ ठीके नहि कहैत आबि रहल छिऔ जे तोँ सामरी छैं और तोरा मे दुष्टात्मा छौ?”
48 Os judeus disseram a Jesus: — Será que não temos razão em dizer que você é samaritano e tem demônio?
49 यीशु उत्तर देलथिन, “हमरा मे दुष्टात्मा नहि अछि। हम अपना पिता केँ आदर करैत छी मुदा अहाँ सभ हमर निरादर करैत छी।
49 Jesus respondeu:
50 लेकिन हम अपना सम्मानक लेल चिन्ता नहि करैत छी। एक दोसर गोटे करैत छथि और वैह न्याय करैत छथि।
50 Eu não procuro a minha própria glória; há quem a busque e julgue.
51 हम अहाँ सभ केँ सत्ये कहैत छी जे जँ केओ हमर बात पर चलत तँ ओ कहियो नहि मरत।”
51 Em verdade, em verdade lhes digo que, se alguém guardar a minha palavra, não verá a morte eternamente.
52 तखन यहूदी सभ हुनका कहलकनि, “आब तँ निश्चय जानि गेलहुँ जे तोरा मे दुष्टात्मा छौ! अब्राहम मरि गेलाह और परमेश्वरक प्रवक्ता सभ सेहो, और तैयो तोँ कहैत छैं जे, कोनो व्यक्ति जँ तोरा वचन पर चलत तँ मृत्यु केँ कहियो नहि चिखत!
52 Então os judeus disseram: — Agora estamos certos de que você tem demônio. Abraão morreu, e também os profetas, e você diz: “Se alguém guardar a minha palavra, não provará a morte eternamente.”
53 की तोँ हमरा सभक पुरखा अब्राहम सँ पैघ हयबेँ? ओ तँ मरि गेलाह आ परमेश्वरक आरो सभ प्रवक्ता सेहो मरलाह। तोँ अपना केँ की बुझैत छैं?”
53 Você não está querendo dizer que é maior do que Abraão, o nosso pai, que morreu? Também os profetas morreram. Quem você pensa que é?
54 यीशु उत्तर देलथिन, “जँ हमहीं अपन सम्मान करितहुँ तँ ओहि सम्मानक कोनो महत्व नहि होइत। हमर सम्मान करऽ वला हमर पिता छथि, वैह जिनका अहाँ सभ अपन परमेश्वर कहैत छियनि।
54 Jesus respondeu:
55 अहाँ सभ हुनका चिन्हबे नहि करैत छी, मुदा हम हुनका चिन्हैत छी। जँ हम कहितहुँ जे हम हुनका नहि चिन्हैत छी, तँ हम अहीं सभ जकाँ झुट्ठा होइतहुँ, मुदा हम हुनका चिन्हिते छियनि, और हुनका वचन पर चलैत छी।
55 Entretanto, vocês não o conhecem; eu, porém, o conheço. Se eu disser que não o conheço, serei como vocês: mentiroso; mas eu o conheço e guardo a sua palavra.
56 अहाँ सभक पिता अब्राहम हमरा देखबाक आशा मे बहुत आनन्दित छलाह। ओ देखबो कयलनि और बड्ड खुश भेलाह।”
56 Abraão, o pai de vocês, alegrou-se por ver o meu dia; e ele viu esse dia e ficou alegre.
57 तखन यहूदी सभ कहलथिन, “तोँ एखन पचासो वर्षक नहि छैं और तोँ अब्राहम केँ देखने छैं!”
57 Então os judeus lhe perguntaram: — Você não tem nem cinquenta anos e viu Abraão?
58 यीशु उत्तर देलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्ये कहैत छी जे अब्राहमक जन्मो सँ पहिने, हम छी!”
58 Jesus respondeu:
59 एहि पर ओ सभ हुनका मारबाक लेल पाथर उठाबऽ लगलाह, मुदा यीशु नुका कऽ मन्दिर सँ बाहर भऽ कऽ चल गेलाह।
59 Então pegaram pedras para atirar nele, mas Jesus se ocultou e saiu do templo.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 8, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.