João 5

jivən səndesh (MAI) vs BKJ

Sair da comparação
1 बाद मे यहूदी सभक एक पाबनिक अवसर पर यीशु फेर यरूशलेम गेलाह।
1 Depois disso, havia uma festa dos judeus, e Jesus subiu para Jerusalém.
2 यरूशलेम मे, भेँड़-द्वारि लग एक कुण्‍ड अछि जे इब्रानी भाषा मे बेतहसदा कहबैत अछि, जकरा चारू कात पाँचटा असोरा छैक।
2 Ora, em Jerusalém, próximo ao mercado das ovelhas, há um tanque, que é chamado na língua hebraica Betesda, o qual tem cinco alpendres.
3 एहि असोरा सभ पर बहुत रोगी पड़ल रहैत छल—आन्‍हर, नाङड़ आ लकवा मारल लोक सभ। [ई सभ पानिक हिलबाक समयक प्रतीक्षा मे रहैत छल,
3 Nestes jazia grande multidão de pessoas enfermas, cegos, mancos e paralíticos, esperando o movimento da água.
4 कारण समय-समय पर परमेश्‍वरक एक स्‍वर्गदूत उतरि कऽ पानि केँ हिला दैत छलाह, और एहि हिलयनाइक बाद, जे रोगी सभ सँ पहिने पानि मे पैसैत छल से अपन रोग सँ मुक्‍त भऽ जाइत छल, चाहे जे कोनो रोग होइक।]
4 Pois um anjo descia em certo tempo ao tanque, e agitava a água; aquele, pois, que primeiro entrava na água, após ter sido agitada, sarava de qualquer enfermidade que ele tivesse.
5 एक आदमी ओतऽ छल जे अड़तीस वर्ष सँ रोग सँ पीड़ित छल।
5 E ali estava um certo homem, que tinha uma enfermidade há trinta e oito anos.
6 यीशु जखन ओकरा देखलथिन, ई बुझि कऽ जे ओ बहुत दिन सँ ओना पड़ल अछि, तँ ओकरा कहलथिन, “की तोँ स्‍वस्‍थ होमऽ चाहैत छह?”
6 E Jesus, vendo este deitado e sabendo que ele estava neste estado havia muito tempo, disse-lhe: Tu queres ficar são?
7 ओ रोगी हुनका उत्तर देलकनि, “मालिक, पानिक हिलला पर कुण्‍ड मे उतारऽ वला हमरा केओ नहि अछि। हम उतरबाक कोशिशे करैत छी, ततबे मे हमरा सँ पहिने केओ दोसर उतरि जाइत अछि।”
7 O homem enfermo respondeu-lhe: Senhor, eu não tenho homem algum que me coloque no tanque quando a água é agitada; mas, enquanto eu vou, desce outro antes de mim.
8 तखन यीशु ओकरा कहलथिन, “उठह! अपन पटिया उठा लैह, और चलह-फिरह!”
8 Jesus disse-lhe: Levanta-te, toma o teu leito, e anda.
9 ओ आदमी तुरत स्‍वस्‍थ भऽ गेल और अपन पटिया उठा कऽ चलऽ-फिरऽ लागल।
9 E, imediatamente o homem ficou são, e tomou o seu leito, e andou; e aquele dia era o shabat.
10 तेँ यहूदी सभ ओहि स्‍वस्‍थ कयल गेल आदमी केँ कहऽ लगलाह, “आइ तँ विश्राम-दिन अछि। पटिया उठौनाइ मना छौ!”
10 Então, os judeus disseram àquele que tinha sido curado: É dia do shabat, não te é lícito carregar teu leito.
11 मुदा ओ उत्तर देलकनि, “जे आदमी हमरा स्‍वस्‍थ कऽ देलनि, वैह हमरा कहलनि जे पटिया उठा कऽ चलह-फिरह।”
11 Ele respondeu-lhes: Aquele que me curou, ele mesmo disse: Toma o teu leito, e anda.
12 ओ सभ ओकरा पुछलथिन, “ओ के अछि जे तोरा कहलकौ जे उठा कऽ चलह-फिरह?”
12 Então eles perguntaram: Quem é o homem que te disse: Toma o teu leito, e anda?
13 ओ स्‍वस्‍थ भेल आदमी ई नहि जनैत छल जे ओ के छलाह, कारण यीशु ओहिठाम सँ भीड़ मे चल गेल छलाह।
13 E o que fora curado não sabia quem era, porque Jesus havia se afastado, por causa da multidão naquele lugar.
14 किछु कालक बाद यीशु ओहि आदमी केँ मन्‍दिर मे भेँट कऽ कऽ कहलथिन, “देखह, तोँ स्‍वस्‍थ भऽ गेल छह, आब पाप केँ छोड़ह, नहि तँ एहू सँ भारी दशा मे पड़ि जयबह।”
14 Depois, Jesus encontrou-o no templo e disse-lhe: Eis que tu já estás são; não peques mais, para que te não aconteça coisa pior.
15 ओ आदमी जा कऽ यहूदी सभ केँ कहि देलकनि जे, यीशुए छथि जे हमरा स्‍वस्‍थ कयलनि।
15 O homem partiu, e contou aos judeus que era Jesus o que o curara.
16 यीशु केँ विश्राम-दिन मे एहन काज करबाक कारणेँ यहूदी सभ हुनका सताबऽ लगलनि।
16 E por isso os judeus perseguiam a Jesus, e buscavam matá-lo, porque ele fazia essas coisas no dia do shabat.
17 मुदा ताहि पर यीशु ओकरा सभ केँ ई उत्तर देलथिन, “हमर पिता एखनो तक काज करैत रहैत छथि, और हमहूँ काज करैत रहैत छी।”
17 Mas Jesus lhes respondeu: Meu Pai trabalha até agora, e eu também trabalho.
18 एहि कारणेँ यहूदी सभ हुनका मारि देबाक आओर कोशिश करऽ लगलाह किएक तँ ओ खाली विश्रामेक दिनक नियम केँ उल्‍लंघन नहि करैत छलाह, बल्‍कि ओ परमेश्‍वर केँ अपन पिता कहि कऽ अपना केँ परमेश्‍वरक समतूल सेहो ठहरबैत छलाह।
18 Portanto, os judeus ainda mais procuravam matá-lo, porque não só violava o shabat, mas também dizia que Deus era seu Pai, fazendo-se igual a Deus.
19 यीशु हुनका सभ केँ ई उत्तर देलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, पुत्र स्‍वतन्‍त्र रूप सँ किछु नहि कऽ सकैत छथि। ओ मात्र वैह करैत छथि जे ओ अपन पिता केँ करैत देखैत छथि, किएक तँ जहिना पिता करैत छथि ठीक ओहिना पुत्रो करैत छथि,
19 Então, respondeu Jesus e disse-lhes: Na verdade, na verdade eu vos digo: O Filho não pode fazer nada por si mesmo, a não ser o que vê o Pai fazendo; porque todas as coisas que ele faz, o Filho também da mesma forma o faz.
20 कारण पिता पुत्र सँ प्रेम करैत छथिन और पिता जे किछु करैत छथि से सभ हुनका देखा दैत छथिन, और एहू सँ पैघ काज हुनका देखा देथिन, जाहि सँ अहाँ सभ केँ आश्‍चर्य होयत।
20 Porque o Pai ama ao Filho, e mostra-lhe todas as coisas que ele mesmo faz; e ele lhe mostrará maiores obras do que estas, para que vos maravilheis.
21 कारण जहिना पिता मुरदा केँ उठा कऽ ओकरा जीवन दैत छथि, तहिना पुत्रो जकरा चाहैत छथि तकरा जीवन दैत छथि।
21 Porque assim como o Pai levanta os mortos e os vivifica, assim também o Filho vivifica aqueles que quer.
22 और पिता ककरो न्‍याय करऽ वला नहि छथि। ओ न्‍याय करबाक सभ अधिकार सेहो पुत्रे केँ देने छथिन,
22 Porque o Pai a nenhum homem julga, mas confiou ao Filho todo o julgamento;
23 जाहि सँ सभ लोक जेना पिताक आदर करैत छनि तेना पुत्रोक आदर करनि। जे पुत्रक आदर नहि करैत अछि, से पिताक सेहो नहि करैत छनि, जे हुनका पठौने छथिन।
23 para que todos os homens honrem o Filho, assim como honram o Pai. Quem não honra o Filho, não honra o Pai que o enviou.
24 “हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, जे हमर बात सुनैत अछि और हमरा पठाबऽ वला केँ मानैत अछि तकरा अनन्‍त जीवन छैक। ओकरा न्‍यायक सामना नहि करऽ पड़तैक, कारण ओ एखने मृत्‍यु केँ पार भऽ कऽ जीवन मे प्रवेश कऽ लेने अछि।
24 Na verdade, na verdade eu vos digo: Quem ouve a minha palavra, e crê naquele que me enviou, tem a vida eterna, e não entrará em condenação, mas já passou da morte para a vida.
25 हम अहाँ सभ केँ विश्‍वास दिअबैत छी जे ओ समय आबि रहल अछि, हँ, आबिओ गेल जखन मुइल सभ परमेश्‍वरक पुत्रक आवाज सुनत, और जे सभ सुनत से सभ जीअत,
25 Na verdade, na verdade eu vos digo: Vem a hora, e agora é, em que os mortos ouvirão a voz do Filho de Deus, e os que a ouvirem viverão.
26 किएक तँ जहिना पिता अपने जीवनक स्रोत छथि तहिना ओ पुत्रो केँ स्‍वयं जीवनक स्रोत होयबाक अधिकार देने छथिन।
26 Porque assim como o Pai tem vida em si mesmo, assim deu ao Filho ter vida em si mesmo.
27 और ओ पुत्र केँ मनुष्‍य-पुत्र होयबाक कारणेँ न्‍याय करबाक अधिकार सेहो देने छथिन।
27 E deu-lhe autoridade para também executar julgamento, porque ele é o Filho do homem.
28 एहि बात सँ आश्‍चर्यित नहि होउ! कारण, ओ समय आबि रहल अछि जहिया मरलाहा लोक सभ अपन कबर मे सँ हुनकर आवाज सुनि कऽ
28 Não vos maravilheis disso, porque vem a hora em que todos os que estão nos sepulcros ouvirão a sua voz,
29 बाहर निकलि आओत। जे नीक कयने अछि से जीवनक लेल उठत, और जे अधलाह कयने अछि से दण्‍ड पयबाक लेल उठत।
29 e sairão os que fizeram o bem para a ressurreição da vida, e os que fizeram o mal para a ressurreição da condenação.
30 हम अपने सँ किछु नहि कऽ सकैत छी। हमरा जहिना न्‍याय करबाक लेल कहल जाइत अछि तहिना हम न्‍याय करैत छी। और हमर न्‍याय उचित होइत अछि, कारण हमर उद्देश्‍य ई अछि जे हम अपन नहि, बल्‍कि हमरा जे पठौलनि, तिनकर इच्‍छा पूरा करियनि।
30 Eu não posso fazer nada por mim mesmo; como eu ouço, eu julgo; e o meu juízo é justo, porque não busco a minha própria vontade, mas a vontade do Pai que me enviou.
31 “जँ हम अपना बारे मे स्‍वयं गवाही देब तँ हमर गवाही पकिया नहि मानल जायत।
31 Se eu der testemunho de mim mesmo, o meu testemunho não é verdadeiro.
32 मुदा एक गोटे आओर छथि जे हमरा बारे मे गवाही दैत छथि, और हम जनैत छी जे ओ जे गवाही दैत छथि से एकदम सत्‍य अछि।
32 Há outro que dá testemunho de mim, e eu sei que o testemunho que ele dá de mim é verdadeiro.
33 “अहाँ सभ अपने यूहन्‍ना केँ पुछबौलहुँ, और ओ सत्‍यक गवाही देलनि।
33 Vós mandastes a João, e ele deu testemunho da verdade.
34 ई बात नहि अछि जे हम मनुष्‍यक गवाही पर निर्भर रहैत छी, मुदा हम एकर चर्चा एहि लेल करैत छी जे अहाँ सभक उद्धार होअय।
34 Eu, porém, não recebo testemunho vindo de homem, mas eu digo estas coisas, para que possais ser salvos.
35 यूहन्‍ना तँ एक जरैत दीप छलाह जे इजोत दैत छलाह, और हुनकर इजोत मे आनन्‍द लेनाइ अहाँ सभ केँ किछु काल धरि नीक लागल।
35 Ele era a luz que iluminava e resplandecia, e vós quisestes alegrar-vos por um pouco de tempo com a sua luz.
36 मुदा हमरा एकटा गवाही अछि जे यूहन्‍नोक गवाही सँ पैघ अछि, किएक तँ जे काज हमर पिता हमरा पूर्ण करबाक लेल देने छथि, तथा जे काज हम कऽ सेहो रहल छी, से हमरा बारे मे गवाही दैत अछि जे पिता हमरा पठौने छथि।
36 Mas eu tenho um testemunho maior do que o de João; porque as obras que o Pai me deu para realizar, essas obras que eu faço testemunham de mim, que o Pai me enviou.
37 और पिता, जे हमरा पठौलनि, से अपने हमरा बारे मे गवाही देने छथि। अहाँ सभ हुनकर आवाज कहियो नहि सुनने छी, आ ने हुनकर स्‍वरूप कहियो देखने छी,
37 E o próprio Pai, que me enviou, tem dado testemunho de mim. Vós nunca ouvistes a sua voz, nem vistes a sua forma.
38 और ने हुनकर वचन केँ अपना मोन मे रहऽ दैत छी। कारण, जिनका ओ पठौने छथि तिनकर अहाँ सभ विश्‍वास नहि करैत छी।
38 E a sua palavra não permanece em vós, porque vós não credes naquele que ele enviou.
39 अहाँ सभ धर्मशास्‍त्रक अध्‍ययन करैत छी किएक तँ अहाँ सभ मानैत छी जे ओहि सँ अहाँ सभ केँ अनन्‍त जीवन भेटैत अछि। वैह शास्‍त्र हमरा बारे मे गवाही दैत अछि,
39 Examinai as escrituras; porque nelas pensai que tendes a vida eterna; e são elas que testificam de mim.
40 और तैयो जीवन प्राप्‍त करबाक लेल अहाँ सभ हमरा लग नहि आबऽ चाहैत छी।
40 E não quereis vir a mim para terdes vida.
41 “हमरा मनुष्‍यक प्रशंसा सँ कोनो मतलब नहि।
41 Eu não recebo honra dos homens.
42 मुदा अहाँ सभ केँ हम जनैत छी। हम जनैत छी जे अहाँ सभक हृदय मे परमेश्‍वरक प्रेम नहि अछि।
42 Mas eu vos conheço e sei que não tendes em vós o amor de Deus.
43 हम अपन पिताक नाम पर आयल छी, तैयो हमरा स्‍वीकार नहि करैत छी। मुदा जँ कोनो दोसर व्‍यक्‍ति अपना नाम पर अबैत अछि तँ ओकरा अहाँ सभ स्‍वीकार करैत छिऐक।
43 Eu vim em nome de meu Pai, e não me recebeis; se outro vier em seu próprio nome, a esse recebereis.
44 तँ अहाँ सभ विश्‍वास कोना कऽ सकब जखन कि एक-दोसर सँ प्रशंसा चाहैत छी लेकिन जे प्रशंसा एकमात्र परमेश्‍वर सँ प्राप्‍त होइत अछि से चाहिते नहि छी?
44 Como podeis crer, vós que recebeis honra uns dos outros, e não buscais a honra que vem só de Deus?
45 “मुदा ई नहि सोचू जे हम पिताक समक्ष अहाँ सभ पर दोष लगायब। अहाँ सभ केँ दोष लगाबऽ वला मूसा छथि, जिनका पर अहाँ सभ समस्‍त आशा रखने छी।
45 Não penseis que eu vos hei de acusar para o Pai; há um que vos acusa, Moisés, em quem vós confiais.
46 जँ मूसाक विश्‍वास करितहुँ तँ हमरो विश्‍वास करितहुँ, कारण ओ हमरे बारे मे लिखने छथि।
46 Porque se vós crêsseis em Moisés, teriam crido em mim, porque de mim ele escreveu.
47 मुदा हुनकर लेख पर जँ विश्‍वास नहि करैत छी तँ हमर कथन पर कोना विश्‍वास करब?”
47 Mas, se não credes nos seus escritos, como crereis nas minhas palavras?

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 5, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.