João 20

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 सप्‍ताहक पहिल दिन भोरे अन्‍हरोखे मरियम मग्‍दलीनी कबर पर गेलीह और देखलनि जे कबरक मुँह पर सँ पाथर हटाओल गेल अछि।
1 E, no primeiro dia da semana, Maria Madalena foi ao sepulcro de madrugada, sendo ainda escuro, e viu a pedra tirada do sepulcro.
2 ई देखि ओ दौड़ैत-दौड़ैत सिमोन पत्रुस और ओहि दोसर शिष्‍य लग जिनका सँ यीशु प्रेम करैत छलाह, गेलीह और कहलनि, “ओ सभ कबर मे सँ प्रभु केँ उठा कऽ लऽ गेल छनि, और हम सभ नहि जनैत छी जे हुनका कतऽ रखने छनि!”
2 Correu, pois, e foi a Simão Pedro e ao outro discípulo a quem Jesus amava e disse-lhes: Levaram o Senhor do sepulcro, e não sabemos onde o puseram.
3 एहि पर पत्रुस और दोसर शिष्‍य कबर दिस विदा भेलाह।
3 Então, Pedro saiu com o outro discípulo e foram ao sepulcro.
4 दूनू संग-संग दौड़लाह, मुदा दोसर शिष्‍य पत्रुस सँ आगाँ बढ़ि कऽ कबर पर पहिने पहुँचलाह।
4 E os dois corriam juntos, mas o outro discípulo correu mais apressadamente do que Pedro e chegou primeiro ao sepulcro.
5 ओ निहुड़ि कऽ भीतर तकलनि और ओतऽ पड़ल मलमल वला पट्टी सभ देखलनि, मुदा भीतर नहि गेलाह।
5 E, abaixando-se, viu no chão os lençóis; todavia, não entrou.
6 तखन सिमोन पत्रुस हुनका पाछाँ-पाछाँ पहुँचलाह, और कबर मे पैसलाह।
6 Chegou, pois, Simão Pedro, que o seguia, e entrou no sepulcro, e viu no chão os lençóis
7 ओ पट्टी सभ केँ ओतऽ पड़ल देखलनि, और ओहि गमछा केँ सेहो, जाहि सँ यीशुक मूड़ी लपेटल छल। गमछा पट्टी सभक संग नहि, बल्‍कि हटले एक जगह चौपेतल राखल छल।
7 e que o lenço que tinha estado sobre a sua cabeça não estava com os lençóis, mas enrolado, num lugar à parte.
8 तखन ओ दोसर शिष्‍य जे कबर पर पहिने पहुँचल छलाह, सेहो भीतर गेलाह। ओ देखलनि और विश्‍वास कयलनि।
8 Então, entrou também o outro discípulo, que chegara primeiro ao sepulcro, e viu, e creu.
9 (एखनो तक ओ सभ तँ नहि बुझैत छलाह जे धर्मशास्‍त्रक कथनानुसार हुनकर मृत्‍यु मे सँ जीबि उठनाइ आवश्‍यक छल।)
9 Porque ainda não sabiam a Escritura, que diz que era necessário que ressuscitasse dos mortos.
10 तखन ओ शिष्‍य सभ अपन-अपन घर चल गेलाह।
10 Tornaram, pois, os discípulos para casa.
11 मुदा मरियम कबरक बाहर कनिते ठाढ़ रहलीह। कनैत-कनैत ओ निहुड़ि कऽ कबर मे तकलनि।
11 E Maria estava chorando fora, junto ao sepulcro. Estando ela, pois, chorando, abaixou-se para o sepulcro
12 ओ उज्‍जर वस्‍त्र पहिरने दू स्‍वर्गदूत केँ ओहिठाम बैसल देखलनि जाहिठाम यीशुक लास राखल गेल छल, एक सीरहान लग और दोसर पौथान लग।
12 e viu dois anjos vestidos de branco, assentados onde jazera o corpo de Jesus, um à cabeceira e outro aos pés.
13 ओ सभ हुनका सँ पुछलथिन, “बहिन, अहाँ किएक कनैत छी?” ओ उत्तर देलथिन, “ओ सभ हमरा प्रभु केँ उठा कऽ लऽ गेल अछि, और हम नहि जनैत छी जे हुनका कतऽ रखने छनि।”
13 E disseram-lhe eles: Mulher, por que choras? Ela lhes disse: Porque levaram o meu Senhor, e não sei onde o puseram.
14 ई कहि, ओ घुमलीह और लग मे ठाढ़ यीशु केँ देखलनि, मुदा ओ नहि चिन्‍हलनि जे ई यीशु छथि।
14 E, tendo dito isso, voltou-se para trás e viu Jesus em pé, mas não sabia que era Jesus.
15 यीशु हुनका कहलथिन, “बहिन, अहाँ कनैत किएक छी? किनका खोजि रहल छिऐन?” ओ हुनका माली बुझि कऽ कहलथिन, “यौ मालीजी, अहीं जँ हुनका उठा कऽ लऽ गेल छिऐन तँ हमरा कहू जे कतऽ रखने छिऐन। हम जा कऽ हुनका लऽ अनबनि।”
15 Disse-lhe Jesus: Mulher, por que choras? Quem buscas? Ela, cuidando que era o hortelão, disse-lhe: Senhor, se tu o levaste, dize-me onde o puseste, e eu o levarei.
16 यीशु बजलाह, “मरियम!” ओ हुनका दिस घुरि कऽ इब्रानी भाषा मे कहलथिन, “रब्‍बुनी!” (जकर अर्थ अछि “गुरुजी!”)
16 Disse-lhe Jesus: Maria! Ela, voltando-se, disse-lhe: Raboni (que quer dizer Mestre)!
17 यीशु कहलथिन, “हमरा नहि पकड़ू! कारण हम एखन पिता लग ऊपर नहि गेल छी। आब हमर भाय सभक ओहिठाम जा कऽ कहि दिऔन जे, हम अपना पिता और अहाँ सभक पिता, अपना परमेश्‍वर और अहाँ सभक परमेश्‍वर लग ऊपर जा रहल छी।”
17 Disse-lhe Jesus: Não me detenhas, porque ainda não subi para meu Pai, mas vai para meus irmãos e dize-lhes que eu subo para meu Pai e vosso Pai, meu Deus e vosso Deus.
18 मरियम मग्‍दलीनी जा कऽ शिष्‍य सभ केँ कहलनि, “हम प्रभु केँ देखने छी!” और ओ हुनका सभ केँ हुनकर कहल बात सुनौलथिन।
18 Maria Madalena foi e anunciou aos discípulos que vira o Senhor e que ele lhe dissera isso.
19 ओहि दिनक साँझ, अर्थात् सप्‍ताहक पहिल दिन, जखन शिष्‍य सभ यहूदी सभक डरेँ घरक केबाड़ सभ बन्‍द कऽ कऽ एक संग बैसल छलाह, तखन यीशु आबि कऽ हुनका सभक बीच ठाढ़ भऽ गेलाह और कहलथिन, “अहाँ सभ केँ शान्‍ति भेटय।”
19 Chegada, pois, a tarde daquele dia, o primeiro da semana, e cerradas as portas onde os discípulos, com medo dos judeus, se tinham ajuntado, chegou Jesus, e pôs-se no meio, e disse-lhes: Paz seja convosco!
20 ई कहि ओ हुनका सभ केँ अपन हाथ और पाँजर देखौलथिन। प्रभु केँ देखि शिष्‍य सभक आनन्‍दक कोनो सीमा नहि रहलनि।
20 E, dizendo isso, mostrou-lhes as mãos e o lado. De sorte que os discípulos se alegraram, vendo o Senhor.
21 ओ हुनका सभ केँ फेर कहलथिन, “अहाँ सभ केँ शान्‍ति भेटय। जेना हमरा पिता पठौने छथि, तहिना हमहूँ अहाँ सभ केँ पठबैत छी।”
21 Disse-lhes, pois, Jesus outra vez: Paz seja convosco! Assim como o Pai me enviou, também eu vos envio a vós.
22 ई कहि ओ हुनका सभ पर फुकलथिन और कहलथिन, “पवित्र आत्‍मा केँ लिअ।
22 E, havendo dito isso, assoprou sobre eles e disse-lhes: Recebei o Espírito Santo.
23 जँ ककरो पाप माफ कऽ देबैक, तँ ओकर पाप माफ भेलैक। जँ ककरो पाप माफ नहि कऽ देबैक तँ ओकर पाप माफ नहि भेलैक।”
23 Àqueles a quem perdoardes os pecados, lhes são perdoados;
24 मुदा बारह शिष्‍य मे सँ एक, थोमा, जे “जौंआ” कहबैत छथि, से आरो शिष्‍य सभक संग ओहि समय मे नहि छलाह जखन यीशु आयल छलाह।
24 Ora, Tomé, um dos doze, chamado Dídimo, não estava com eles quando veio Jesus.
25 जखन ओ सभ हुनका कहऽ लगलनि, “हम सभ प्रभु केँ देखने छी,” तँ ओ कहलथिन, “जा धरि हम हुनका हाथ मे काँटीक चेन्‍ह देखि ओहि छेद मे अपन आङुर नहि पैसायब आ हुनकर पाँजर मे अपन हाथ नहि धऽ लेब, ता धरि हम किन्‍नहुँ नहि विश्‍वास करब।”
25 Disseram-lhe, pois, os outros discípulos: Vimos o Senhor. Mas ele disse-lhes: Se eu não vir o sinal dos cravos em suas mãos, e não puser o dedo no lugar dos cravos, e não puser a minha mão no seu lado, de maneira nenhuma o crerei.
26 आठ दिनक बाद शिष्‍य सभ फेर घर मे छलाह, और थोमा सेहो संग छलाह। केबाड़ सभ बन्‍द रहितो, यीशु अयलाह और हुनका सभक मध्‍य ठाढ़ भऽ बजलाह, “अहाँ सभ केँ शान्‍ति भेटय।”
26 E, oito dias depois, estavam outra vez os seus discípulos dentro, e, com eles, Tomé. Chegou Jesus, estando as portas fechadas, e apresentou-se no meio, e disse: Paz seja convosco!
27 तखन थोमा केँ कहलथिन, “एहिठाम अपन आङुर धऽ लिअ, और हमर हाथ देखि लिअ। अपन हाथ लाउ और हमरा पाँजर मे धऽ लिअ। अविश्‍वासी नहि, विश्‍वासी बनू।”
27 Depois, disse a Tomé: Põe aqui o teu dedo e vê as minhas mãos; chega a tua mão e põe-na no meu lado; não sejas incrédulo, mas crente.
28 थोमा उत्तर देलथिन, “हे हमर प्रभु, हे हमर परमेश्‍वर!”
28 Tomé respondeu e disse-lhe: Senhor meu, e Deus meu!
29 यीशु हुनका कहलथिन, “अहाँ हमरा देखबाक कारणेँ विश्‍वास करैत छी, धन्‍य छथि ओ सभ जे बिनु देखनहि विश्‍वास करैत छथि।”
29 Disse-lhe Jesus: Porque me viste, Tomé, creste; bem-aventurados os que não viram e creram!
30 यीशु आरो बहुत चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह अपना शिष्‍य सभक समक्ष देखौलनि जे एहि पुस्‍तक मे नहि लिखल अछि।
30 Jesus, pois, operou também, em presença de seus discípulos, muitos outros sinais, que não estão escritos neste livro.
31 मुदा जे सभ लिखल अछि से एहि लेल जे अहाँ सभ विश्‍वास करी जे यीशु उद्धारकर्ता-मसीह और परमेश्‍वरक पुत्र छथि, और जे विश्‍वास कयला सँ अहाँ सभ केँ हुनका द्वारा जीवन प्राप्‍त होअय।
31 Estes, porém, foram escritos para que creiais que Jesus é o Cristo, o Filho de Deus, e para que, crendo, tenhais vida em seu nome.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 20, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.