João 17

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 यीशु ई सभ बात कहि स्‍वर्ग दिस ताकि कऽ कहलनि, “हे पिता! समय आबि गेल अछि। अपन पुत्रक महिमा प्रगट करू जाहि सँ पुत्र अहाँक महिमा प्रगट करय।
1 Jesus falou essas coisas e, levantando os olhos ao céu, disse: Pai, é chegada a hora; glorifica a teu Filho, para que também o teu Filho te glorifique a ti,
2 किएक तँ अहाँ ओकरा सम्‍पूर्ण मानव जातिक उपर अधिकार देने छी जे, जकरा अहाँ ओकरा देने छी, तकरा सभ केँ ओ अनन्‍त जीवन देअय।
2 assim como lhe deste poder sobre toda carne, para que dê a vida eterna a todos quantos lhe deste.
3 अनन्‍त जीवन ई अछि—अहाँ एकमात्र सत्‍य परमेश्‍वर केँ, और यीशु मसीह केँ चिन्‍हनाइ, जकरा अहाँ पठौलहुँ।
3 E a vida eterna é esta: que conheçam a ti só por único Deus verdadeiro e a Jesus Cristo, a quem enviaste.
4 “जे काज अहाँ हमरा करबाक लेल देने छलहुँ, से पूरा कऽ कऽ पृथ्‍वी पर अहाँक महिमा प्रगट कयलहुँ।
4 Eu glorifiquei-te na terra, tendo consumado a obra que me deste a fazer.
5 आब, हे पिता, अपना ओहिठाम हमरा ओहि महिमा सँ परिपूर्ण करू, जे महिमा संसारक सृष्‍टि सँ पहिनहि अहाँ लग हमर छल।
5 E, agora, glorifica-me tu, ó Pai, junto de ti mesmo, com aquela glória que tinha contigo antes que o mundo existisse.
6 “हम ओहि मनुष्‍य सभ केँ, जिनका अहाँ संसार मे सँ हमरा देलहुँ, तिनका सभ केँ हम अहाँ केँ चिन्‍हा देने छिऐन। ई सभ अहींक छलाह, अहाँ हिनका सभ केँ हमरा देलहुँ, और ई सभ अहाँक वचन मानने छथि।
6 Manifestei o teu nome aos homens que do mundo me deste; eram teus, e tu mos deste, e guardaram a tua palavra.
7 आब ई सभ जानि गेल छथि जे, जे किछु अहाँ हमरा देने छी से वास्‍तव मे अहीं सँ भेटल अछि।
7 Agora,
8 कारण, जे अहाँ हमरा सिखौलहुँ, से हम हिनका सभ केँ सिखौने छी, और ई सभ ओहि शिक्षा केँ स्‍वीकार कयने छथि, और पूर्ण रूप सँ जानि गेल छथि जे हम अहाँ लग सँ आयल छी। आब हिनका सभ केँ विश्‍वास भऽ गेलनि जे अहाँ हमरा पठौने छी।
8 porque lhes dei as palavras que me deste; e eles e têm verdadeiramente conhecido que saí de ti, e creram que me enviaste.
9 “हम हिनका सभक लेल प्रार्थना कऽ रहल छी। संसारक लेल प्रार्थना नहि कऽ रहल छी, बल्‍कि तिनका सभक लेल जिनका अहाँ हमरा देने छी, किएक तँ ई सभ अहाँक छथि।
9 Eu rogo por eles; não rogo pelo mundo, mas por aqueles que me deste, porque são teus.
10 हमर जे किछु अछि, से अहाँक अछि, और अहाँक जे किछु अछि, से हमर अछि। और हिनका सभ मे हमर महिमा प्रगट भेल अछि।
10 E todas as minhas coisas são tuas, e as tuas coisas são minhas; e nisso sou glorificado.
11 आब हम संसार मे नहि रहब, मुदा ई सभ संसार मे रहताह, और हम अहाँ लग आबि रहल छी। हे पवित्र पिता, अपन नामक शक्‍ति द्वारा, जे नाम अहाँ हमरा देलहुँ, ताहि द्वारा हिनका सभ केँ सुरक्षित राखू जाहि सँ ई सभ एक रहथि, जेना अपना सभ एक छी।
11 E eu já não estou mais no mundo; mas eles estão no mundo, e eu vou para ti. Pai santo, guarda em teu nome aqueles que me deste, para que sejam um, assim como nós.
12 जा धरि हम हिनका सभक संग छलहुँ ता धरि हम हिनका सभ केँ सुरक्षित रखलहुँ और ओहि नाम द्वारा, जे अहाँ हमरा देलहुँ, हम हिनका सभक रक्षा कयलहुँ। और ‘विनाशक पुत्र’ केँ छोड़ि हिनका सभ मे सँ केओ नाश नहि भेलाह, जाहि सँ धर्मशास्‍त्रक लेख पूरा होअय।
12 Estando eu com eles no mundo, guardava-os em teu nome. Tenho guardado aqueles que tu me deste, e nenhum deles se perdeu, senão o filho da perdição, para que a Escritura se cumprisse.
13 “आब हम अहाँ लग आबि रहल छी, मुदा ई बात हम संसार मे रहिते कहैत छिऐन, जाहि सँ हमर आनन्‍द हिनका सभक मोन मे पूर्ण होनि।
13 Mas, agora, vou para ti e digo isto no mundo, para que tenham a minha alegria completa em si mesmos.
14 हम हिनका सभ केँ अहाँक वचन देने छिऐन, और संसार हिनका सभ सँ घृणा करैत छनि, कारण ई सभ संसारक सन्‍तान नहि छथि, जेना हमहूँ नहि छी।
14 Dei-lhes a tua palavra, e o mundo os odiou, porque não são do mundo, assim como eu não sou do mundo.
15 हम ई प्रार्थना नहि करैत छी जे अहाँ हिनका सभ केँ संसार मे सँ उठा लिअ, बल्‍कि ई जे हिनका सभ केँ दुष्‍ट सँ बचा कऽ राखू।
15 Não peço que os tires do mundo, mas que os livres do mal.
16 ई सभ संसारक सन्‍तान नहि छथि, जेना हमहूँ नहि छी।
16 Não são do mundo, como eu do mundo não sou.
17 हिनका सभ केँ सत्‍य द्वारा अपना लेल पवित्र कऽ लिअ; सत्‍य अहाँक वचन अछि।
17 Santifica-os na verdade; a tua palavra é a verdade.
18 जहिना अहाँ हमरा संसार मे पठा देलहुँ, तहिना हम हिनका सभ केँ संसार मे पठा देने छी।
18 Assim como tu me enviaste ao mundo, também eu os enviei ao mundo.
19 हिनका सभक लेल हम अपना केँ समर्पित करैत छी जाहि सँ इहो सभ सत्‍य द्वारा समर्पित भऽ जाथि।
19 E por eles me santifico a mim mesmo, para que também eles sejam santificados na verdade.
20 “हम मात्र हिनके सभक लेल प्रार्थना नहि करैत छी, बल्‍कि हुनको सभक लेल जे हिनका सभक गवाही द्वारा हमरा पर विश्‍वास करताह।
20 Eu não rogo somente por estes, mas também por aqueles que, pela sua palavra, hão de crer em mim;
21 हमर प्रार्थना ई अछि जे ओ सभ एक होथि। हे पिता, जहिना अहाँ हमरा मे छी और हम अहाँ मे छी तहिना ओहो सभ अपना सभ मे रहथि, जाहि सँ संसार विश्‍वास करत जे अहीं हमरा पठौने छी।
21 para que todos sejam um, como tu, ó Pai, o és em mim, e eu, em ti; que também eles sejam um em nós, para que o mundo creia que tu me enviaste.
22 जे महिमा अहाँ हमरा देलहुँ से हम हुनका सभ केँ दऽ देने छिऐन, जाहि सँ ओ सभ एक होथि, जेना अपना सभ एक छी—
22 E eu dei-lhes a glória que a mim me deste, para que sejam um, como nós somos um.
23 हँ, हम हुनका सभ मे और अहाँ हमरा मे, जाहि सँ ओ सभ पूर्ण एकता मे सिद्ध भऽ जाथि। तखन संसार जानि जायत जे अहाँ हमरा पठौलहुँ और हुनका सभ सँ ओतेक प्रेम रखने छियनि जतेक हमरा सँ रखने छी।
23 Eu neles, e tu em mim, para que eles sejam perfeitos em unidade, e para que o mundo conheça que tu me enviaste a mim e que tens amado a eles como me tens amado a mim.
24 “हे पिता, हम चाहैत छी जे, जिनका सभ केँ अहाँ हमरा देने छी, से सभ हमरा संग ओतऽ रहथि जतऽ हम रहब और हम चाहैत छी जे ओ सभ हमर ओहि महिमा केँ देखथि जे अहाँ हमरा एहि लेल देने छी जे अहाँ संसारक सृष्‍टि सँ पहिनहि हमरा सँ प्रेम कयलहुँ।
24 Pai, aqueles que me deste quero que, onde eu estiver, também eles estejam comigo, para que vejam a minha glória que me deste; porque tu me hás amado antes da criação do mundo.
25 “हे धर्ममय न्‍यायी पिता! संसार अहाँ केँ नहि चिन्‍हैत अछि मुदा हम अहाँ केँ चिन्‍हैत छी, और ई सभ आब जनैत छथि जे अहाँ हमरा पठौने छी।
25 Pai justo, o mundo não te conheceu; mas eu te conheci, e estes conheceram que tu me enviaste a mim.
26 हम हिनका सभ केँ अहाँ केँ चिन्‍हा देने छिऐन तथा अहाँ केँ चिन्‍हबैत रहबनि जाहि सँ ओ प्रेम जे अहाँ हमरा सँ करैत छी से हिनका सभ मे रहतनि और हम हिनका सभ मे रहबनि।”
26 E eu lhes fiz conhecer o teu nome e que me tens amado esteja neles, e eu neles esteja.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 17, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.