João 16

jivən səndesh (MAI) vs NTLH

Sair da comparação
NTLH Nova Tradução na Linguagem de Hoje 2000
1 “ई सभ बात हम अहाँ सभ केँ एहि लेल कहि दैत छी जे अहाँ सभ विश्‍वास केँ नहि छोड़ी।
1 E Jesus disse ainda:
2 ओ सभ अहाँ सभ केँ सभाघर सँ बारि देत। हँ, ओ समय आबि रहल अछि जे, जे अहाँ सभ केँ जान सँ मारि देत से बुझत जे ओ परमेश्‍वरक धर्म-कर्म कऽ रहल अछि।
2 Vocês serão expulsos das
3 ई काज ओ सभ एहि लेल करत जे ओ सभ ने हमरा आ ने हमरा पिता केँ कहियो चिन्‍हने अछि।
3 Eles vão fazer essas coisas porque não conhecem nem o Pai nem a mim.
4 मुदा ई सभ बात हम अहाँ सभ केँ कहि दैत छी जाहि सँ जखन ओ समय आओत तखन अहाँ सभ मोन राखब जे हम एहि विषय मे कहि देने छी।
4 Mas eu digo isso para que, quando essas coisas acontecerem, vocês lembrem que eu já os tinha avisado. E Jesus continuou:
5 मुदा आब हम तिनका लग जा रहल छी जे हमरा पठौलनि, तैयो अहाँ सभ मे सँ केओ नहि हमरा सँ पुछैत छी जे, अहाँ कतऽ जा रहल छी,
5 Porém agora eu vou para junto daquele que me enviou. E nenhum de vocês me pergunta: “Aonde é que o senhor vai?”
6 बल्‍कि हमर एहि कथनक कारणेँ अहाँ सभक मोन शोक सँ भरि गेल अछि।
6 Mas, porque eu disse isso, o coração de vocês ficou cheio de tristeza.
7 मुदा हम सत्‍ये कहैत छी जे ई अहाँ सभक हितक लेल अछि जे हम जा रहल छी, किएक तँ जँ हम नहि जायब तँ सहायक नहि औताह, लेकिन जँ हम जायब तँ हम हुनका अहाँ सभ लग पठा देबनि।
7 Eu falo a verdade quando digo que é melhor para vocês que eu vá. Pois, se não for, o Auxiliador não virá; mas, se eu for, eu o enviarei a vocês.
8 ओ जखन औताह तँ पाप, धार्मिकता आ न्‍यायक विषय मे संसारक दोष सिद्ध करथिन।
8 Quando o Auxiliador vier, ele convencerá as pessoas do mundo de que elas têm uma ideia errada a respeito do pecado e do que é direito e justo e também do julgamento de Deus.
9 ओकर दोष पापक विषय मे एहि लेल सिद्ध होयतैक, जे ओ सभ हमरा पर विश्‍वास नहि करैत अछि;
9 As pessoas do mundo estão erradas a respeito do pecado porque não creem em mim;
10 धार्मिकताक विषय मे एहि लेल जे हम पिता लग जा रहल छी आ अहाँ सभ हमरा फेर नहि देखब;
10 estão erradas a respeito do que é direito e justo porque eu vou para o Pai, e vocês não vão me ver mais.
11 और न्‍यायक विषय मे एहि लेल जे, ओ जे एहि संसारक शासक अछि से दोषी ठहरि गेल अछि।
11 E também estão erradas a respeito do julgamento porque aquele que manda neste mundo já está julgado.
12 “हमरा अहाँ सभ केँ आओर बहुत किछु कहबाक अछि, मुदा एखन अहाँ सभ ओकरा नहि सहि सकैत छी।
12 — Ainda tenho muitas coisas para lhes dizer, mas vocês não poderiam suportar isso agora.
13 सत्‍यक आत्‍मा जखन औताह तखन ओ अहाँ सभ केँ पूर्ण सत्‍य बुझौताह, कारण ओ अपना तरफ सँ नहि बजताह, बल्‍कि जे ओ सुनताह सैह बजताह, और भविष्‍य मे होमऽ वला बात अहाँ सभ केँ कहि देताह।
13 Porém, quando o Espírito da verdade vier, ele ensinará toda a verdade a vocês. O Espírito não falará por si mesmo, mas dirá tudo o que ouviu e anunciará a vocês as coisas que estão para acontecer.
14 ओ हमर महिमा प्रगट करताह कारण जतेक बात ओ अहाँ सभ केँ कहताह, से हमरा सँ लऽ लेने रहताह।
14 Ele vai ficar sabendo o que tenho para dizer, e dirá a vocês, e assim ele trará
15 जे किछु पिताक छनि, से सभ हमर अछि। एहि कारणेँ हम कहलहुँ जे, आत्‍मा जे किछु अहाँ सभ केँ कहताह से हमरा सँ लऽ लेने रहताह।
15 Tudo o que o Pai tem é meu. Por isso eu disse que o Espírito vai ficar sabendo o que eu lhe disser e vai anunciar a vocês.
16 “आब कनेक काल मे अहाँ सभ हमरा नहि देखब, तखन फेर कनेक कालक बाद हमरा देखब।”
16 E Jesus disse:
17 एहि पर हुनकर किछु शिष्‍य एक-दोसर सँ कहऽ लगलाह, “हुनकर एहि कथनक की अर्थ भेल जे ‘कनेक काल मे अहाँ सभ हमरा नहि देखब’, और, ‘तखन तकरा कनेक कालक बाद हमरा फेर देखब’, और एकर जे, ‘कारण, हम पिता लग जा रहल छी’?”
17 Alguns dos seus discípulos comentaram: — O que será que ele quer dizer? Ele afirma: “Daqui a pouco vocês não vão me ver mais; porém, pouco depois, vão me ver novamente”. E diz também: “É porque vou para o meu Pai”.
18 ओ सभ कहऽ लगलाह, “हुनकर एहि ‘कनेक काल’क की कहबाक मतलब छनि? हम सभ नहि बुझि पबैत छी जे ओ की कहि रहल छथि।”
18 O que quer dizer “pouco depois”? Não entendemos o que isso quer dizer.
19 यीशु जनैत छलाह जे ओ सभ हुनका सँ पुछऽ चाहैत छथि, तेँ ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “की अहाँ सभ एक-दोसर सँ पुछि रहल छी जे हमर की कहबाक अर्थ छल जखन हम कहलहुँ जे, कनेक काल मे अहाँ सभ हमरा नहि देखब, और, तखन तकरा कनेक कालक बाद हमरा फेर देखब?
19 Jesus, sabendo que eles queriam lhe fazer perguntas, disse:
20 हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे अहाँ सभ कन्‍ना-रोहटि आ विलाप करब जखन कि संसार आनन्‍द मनाओत। अहाँ सभ शोक मनायब, मुदा अहाँ सभक शोक आनन्‍द मे बदलि जायत।
20 Pois eu afirmo a vocês que isto é verdade: vocês vão chorar e ficar tristes, mas as pessoas do mundo ficarão alegres. Vocês ficarão tristes, mas essa tristeza virará alegria.
21 जखन स्‍त्री बच्‍चा केँ जन्‍म दैत अछि तँ ओकरा दर्द होइत छैक, कारण ओकर समय आबि गेल रहैत छैक, मुदा जखन ओ बच्‍चा केँ जन्‍म दऽ दैत अछि तँ ओ एहि खुशी मे जे एक नव बच्‍चा संसार मे जन्‍म लेलक, अपना पीड़ा केँ बिसरि जाइत अछि।
21 Quando uma mulher está para dar à luz, ela fica triste porque chegou a sua hora de sofrer. Mas, depois que a criança nasce, a mulher fica tão alegre, que nem lembra mais do seu sofrimento.
22 तहिना, अहाँ सभ एखन शोक मनबैत छी, मुदा हम अहाँ सभ केँ फेर देखब आ तखन अहाँ सभक मोन आनन्‍द सँ भरि जायत, और अहाँ सभक आनन्‍द केओ नहि अहाँ सभ सँ छिनत।
22 Assim acontece também com vocês: agora estão tristes, mas eu os verei novamente. Aí vocês ficarão cheios de alegria, e ninguém poderá tirar essa alegria de vocês.
23 ओहि समय मे अहाँ सभ हमरा सँ कोनो प्रश्‍न नहि पुछब।
23 — Quando chegar aquele dia, vocês não me pedirão nada. E eu afirmo a vocês que isto é verdade: se vocês pedirem ao Pai alguma coisa em meu nome, ele lhes dará.
24 एखन तक अहाँ सभ हमरा नाम सँ नहि किछु मँगने छी। माँगू और अहाँ सभ प्राप्‍त करब, आ ताहि सँ अहाँ सभक आनन्‍द पूर्ण भऽ जायत।
24 Até agora vocês não pediram nada em meu nome; peçam e receberão para que a alegria de vocês seja completa.
25 “ई सभ बात हम अहाँ सभ केँ झाँपल भाषा मे कहि देने छी। मुदा समय आबि रहल अछि जखन हम झाँपल भाषा मे नहि बाजब, बल्‍कि पिताक विषय मे अहाँ सभ केँ स्‍पष्‍ट कहब।
25 E Jesus terminou, dizendo:
26 ओहि समय मे अहाँ सभ हमरा नाम सँ माँगब। हम ई नहि कहैत छी जे हम अहाँ सभक लेल पिता सँ माँगब।
26 Naquele dia vocês pedirão coisas em meu nome. E eu digo que não precisarei pedir ao Pai em favor de vocês,
27 नहि, पिता अपने अहाँ सभ सँ प्रेम करैत छथि, कारण अहाँ सभ हमरा सँ प्रेम कयने छी आ विश्‍वास कयने छी जे हम पिता लग सँ अयलहुँ।
27 pois o próprio Pai os ama. Ele os ama porque vocês, de fato, me amam e creem que vim de Deus.
28 हम पिता लग सँ संसार मे अयलहुँ, आब फेर संसार केँ छोड़ि कऽ पिता लग जा रहल छी।”
28 Eu vim do Pai e entrei no mundo. E agora deixo o mundo e vou para o Pai.
29 तखन हुनकर शिष्‍य सभ कहलथिन, “हँ, आब अहाँ स्‍पष्‍ट बाजि रहल छी, और झाँपल भाषा मे नहि।
29 Então os seus discípulos disseram: — Agora, sim, o senhor está falando claramente e não por meio de comparações.
30 आब हम सभ जानि गेलहुँ जे अहाँ केँ सभ किछु बुझल अछि और अहाँ केँ इहो आवश्‍यकता नहि अछि जे केओ अहाँ लग अपन प्रश्‍न राखय। एहि कारणेँ हम सभ विश्‍वास करैत छी जे अहाँ परमेश्‍वर लग सँ आयल छी।”
30 Sabemos agora que o senhor conhece tudo e não precisa que ninguém lhe faça perguntas. Por isso nós cremos que o senhor veio de Deus.
31 यीशु बजलाह, “की आब विश्‍वास करैत छी?
31 E Jesus respondeu:
32 देखू! ओ समय आबि रहल अछि, हँ, आबिओ गेल, जखन अहाँ सभ छिड़िया जायब। अहाँ सभ अपन-अपन घर भागि कऽ हमरा असगरे छोड़ि देब। तैयो हम असगर नहि छी, कारण पिता हमरा संग छथि।
32 Pois chegou a hora de vocês todos serem espalhados, cada um para a sua casa; e assim vão me deixar sozinho. Mas eu não estou só, pois o Pai está comigo.
33 “हम अहाँ सभ केँ ई सभ बात कहि देने छी जाहि सँ हमरा मे अहाँ सभ केँ शान्‍ति भेटय। संसार मे अहाँ सभ पर संकट आओत, मुदा साहस राखू! हम संसार पर विजयी भऽ गेल छी।”
33 Eu digo isso para que, por estarem unidos comigo, vocês tenham paz. No mundo vocês vão sofrer; mas tenham coragem. Eu venci o mundo.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 16, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.