João 13

jivən səndesh (MAI) vs NTLH

Sair da comparação
NTLH Nova Tradução na Linguagem de Hoje 2000
1 फसह-भोज सँ पहिनेक समय छल, और यीशु जनैत छलाह जे आब एहि संसार केँ छोड़ि कऽ पिता लग जयबाक घड़ी आबि गेल अछि। अपन चुनल लोक जे संसार मे छलनि, और जिनका सभ केँ ओ प्रेम करैत आयल छलथिन, तिनका सभ केँ ओ अन्‍तिम सीमा तक प्रेम कयलनि।
1 Faltava somente um dia para a Festa da Páscoa . Jesus sabia que tinha chegado a hora de deixar este mundo e ir para o Pai. Ele sempre havia amado os seus que estavam neste mundo e os amou até o fim.
2 यीशु और हुनकर शिष्‍य सभ भोजन कऽ रहल छलाह। शैतान पहिनहि सिमोनक बेटा यहूदा इस्‍करियोतीक मोन मे यीशु केँ पकड़बयबाक विचार धऽ देने छलैक।
2 Jesus e os seus discípulos estavam jantando. O Diabo já havia posto na cabeça de Judas, filho de Simão Iscariotes, a ideia de trair Jesus.
3 यीशु ई जनैत छलाह जे पिता हमरा हाथ मे सभ किछु दऽ देने छथि और ई, जे हम परमेश्‍वर सँ आयल छी आ परमेश्‍वर लग जा रहल छी।
3 Jesus sabia que o Pai lhe tinha dado todo o poder. E sabia também que tinha vindo de Deus e ia para Deus.
4 तेँ ओ भोजन सँ उठलाह, और अपन उपरका कपड़ा उतारि कऽ अपना डाँड़ मे गमछा लपेटि लेलनि।
4 Então se levantou, tirou a sua capa , pegou uma toalha e amarrou na cintura.
5 तखन एक कठौत मे पानि ढारि कऽ ओ शिष्‍य सभक पयर धोबऽ और डाँड़ मे बान्‍हल गमछा लऽ कऽ पोछऽ लगलथिन।
5 Em seguida pôs água numa bacia e começou a lavar os pés dos discípulos e a enxugá-los com a toalha.
6 जखन ओ सिमोन पत्रुस लग अयलाह, तँ पत्रुस हुनका कहलथिन, “प्रभु! की हमर पयर अहाँ धोब?”
6 Quando chegou perto de Simão Pedro, este lhe perguntou: — Vai lavar os meus pés, Senhor?
7 यीशु बजलाह, “हम की कऽ रहल छी, से अहाँ एखन नहि जनैत छी, मुदा बाद मे अहाँ बुझि जायब।”
7 Jesus respondeu:
8 पत्रुस हुनका कहलथिन, “नहि! अहाँ हमर पयर कहियो नहि धोबऽ पायब!” यीशु बजलाह, “जँ अहाँ हमरा नहि धोबऽ देब तँ हमरा संग अहाँ केँ कोनो सम्‍बन्‍ध नहि रहल।”
8 — O senhor nunca lavará os meus pés! — disse Pedro.
9 तँ सिमोन पत्रुस हुनका कहलथिन, “तखन प्रभु, हमर पयरेटा नहि, हमर हाथ और माथ सेहो!”
9 — Então, Senhor, não lave somente os meus pés; lave também as minhas mãos e a minha cabeça! — pediu Simão Pedro.
10 यीशु उत्तर देलथिन, “जे नहा लेने अछि, तकरा पयर केँ छोड़ि कऽ आओर किछु धोबाक आवश्‍यकता नहि छैक, ओकर सम्‍पूर्ण देह शुद्ध रहैत छैक। और अहाँ सभ शुद्ध छी, मुदा सभ केओ नहि।”
10 Aí Jesus disse:
11 यीशु तँ जनैत छलाह जे हुनका पकड़बाबऽ वला के होयत, और तेँ ओ कहलथिन, अहाँ सभ गोटे शुद्ध नहि छी।
11 Jesus sabia quem era o traidor. Foi por isso que disse: “Todos menos um.”
12 जखन यीशु हुनका सभक पयर धो लेलनि, और अपन कपड़ा पहिरि कऽ बैसि गेलाह, तखन ओ हुनका सभ केँ कहलथिन, “हम अहाँ सभक संग की कयलहुँ, से की अहाँ सभ बुझैत छी?
12 Depois de lavar os pés dos seus discípulos, Jesus vestiu de novo a capa, sentou-se outra vez à mesa e perguntou:
13 अहाँ सभ हमरा ‘गुरुजी’ और ‘प्रभुजी’ कहैत छी, और ठीके कहैत छी, कारण ओ हम छी।
13 Vocês me chamam de “Mestre” e de “Senhor” e têm razão, pois eu sou mesmo.
14 तँ जँ हम अहाँ सभक प्रभु और गुरु भऽ कऽ अहाँ सभक पयर धोने छी, तँ अहूँ सभ केँ एक-दोसराक पयर धोबाक चाही।
14 Se eu, o Senhor e o Mestre, lavei os pés de vocês, então vocês devem lavar os pés uns dos outros.
15 हम अहाँ सभ केँ एक नमूना देखा देलहुँ जाहि सँ जहिना हम अहाँ सभक संग कयलहुँ तहिना अहूँ सभ करू।
15 Pois eu dei o exemplo para que vocês façam o que eu fiz.
16 हम अहाँ सभ केँ विश्‍वास दिअबैत छी जे, दास अपना मालिक सँ पैघ नहि होइत अछि, और ने पठाओल गेल दूत अपना पठाबऽ वला सँ।
16 Eu afirmo a vocês que isto é verdade: o empregado não é mais importante do que o patrão, e o mensageiro não é mais importante do que aquele que o enviou.
17 ई सभ बात जानि कऽ, जँ एकरा अनुसार चलब तँ धन्‍य होयब।
17 Já que vocês conhecem esta verdade, serão felizes se a praticarem.
18 “हम अहाँ सभ गोटेक बारे मे नहि बाजि रहल छी। जिनका सभ केँ हम चुनलियनि तिनका सभ केँ चिन्‍हैत छिऐन। मुदा धर्मशास्‍त्रक ई लेख पूरा होयबाक अछि जे, ‘जे हमर रोटी खाइत अछि से हमरा विरोध मे लात उठौने अछि।’
18 — Não estou falando de vocês todos; eu conheço aqueles que escolhi. Pois tem de se cumprir o que as
19 ई घटना घटऽ सँ पहिनहि हम अहाँ सभ केँ ई बात कहि रहल छी, जाहि सँ जखन ई घटत तखन अहाँ सभ केँ पूरा विश्‍वास होयत जे हम वैह छी जे छी।
19 Digo isso a vocês agora, antes que aconteça, para que, quando acontecer, vocês creiam que “
20 हम अहाँ सभ केँ सत्‍ये कहैत छी जे, जे केओ ओकरा स्‍वीकार करैत अछि जकरा हम पठबैत छी, से हमरा स्‍वीकार करैत अछि, और जे हमरा स्‍वीकार करैत अछि से तिनका स्‍वीकार करैत छनि जे हमरा पठौलनि।”
20 Eu afirmo a vocês que isto é verdade: quem receber aquele que eu enviar estará também me recebendo; e quem me recebe recebe aquele que me enviou.
21 ई बात कहि कऽ यीशु अपना आत्‍मा मे बहुत व्‍याकुल होमऽ लगलाह, और ओ खुलि कऽ कहलथिन, “हम अहाँ सभ केँ सत्‍य कहैत छी जे अहाँ सभ मे सँ एक गोटे हमरा पकड़बा देब।”
21 Depois de dizer isso, Jesus ficou muito aflito e declarou abertamente aos discípulos:
22 शिष्‍य सभ एकदम नहि बुझि कऽ जे ओ ककरा बारे मे बाजि रहल छथि, एक-दोसराक दिस ताकऽ लगलाह।
22 Então eles olharam uns para os outros, sem saber de quem ele estava falando.
23 हुनका सभ मे सँ एकटा, जाहि शिष्‍य सँ यीशु प्रेम करैत छलाह, से हुनका छाती सँ ओंगठि कऽ पड़ल छलनि।
23 Ao lado de Jesus estava sentado um deles, a quem Jesus amava.
24 सिमोन पत्रुस ओहि शिष्‍य केँ संकेत कऽ कऽ कहलथिन, “हुनका सँ पुछिऔन जे ककरा बारे मे कहि रहल छथि।”
24 Simão Pedro fez um sinal para ele e disse: — Pergunte de quem o Mestre está falando.
25 ओ यीशु पर ओंगठि कऽ पुछलथिन, “प्रभु, ओ के अछि?”
25 Então aquele discípulo chegou mais perto de Jesus e perguntou: — Senhor, quem é ele?
26 यीशु उत्तर देलथिन, “ओ वैह अछि जकरा हम रोटीक टुकड़ा बट्टा मे बोड़ि कऽ देबैक।” तखन ओ रोटीक टुकड़ा बोड़ि कऽ सिमोन इस्‍करियोतीक बेटा यहूदा केँ देलथिन।
26 — É aquele a quem vou dar um pedaço de pão passado no molho! — respondeu Jesus. Em seguida pegou um pedaço de pão, passou no molho e deu a Judas, filho de Simão Iscariotes.
27 यहूदा केँ रोटीक टुकड़ा लितहि, शैतान ओकरा मे पैसि गेलैक। तखन यीशु ओकरा कहलथिन, “जे काज तोँ करऽ पर छह, से जल्‍दी करह!”
27 E assim que Judas recebeu o pão, Satanás entrou nele. Então Jesus disse a Judas:
28 मुदा भोजन पर बैसल व्‍यक्‍ति सभ मे सँ केओ नहि बुझलनि जे यीशु किएक ओकरा ई बात कहलथिन।
28 Nenhum dos que estavam à mesa entendeu por que Jesus disse isso.
29 किछु गोटे सोचलनि जे यहूदा लग पाइक बटुआ रहला सँ हुनकर कहबाक तात्‍पर्य छलनि जे, जे किछु पाबनिक लेल हमरा सभ केँ आवश्‍यक अछि से किनह, वा ई जे गरीब सभ मे किछु बाँटि दहक।
29 Como era Judas que tomava conta da bolsa do dinheiro, alguns pensaram que Jesus tinha mandado que ele comprasse alguma coisa para a festa ou desse alguma ajuda aos pobres.
30 यहूदा रोटीक टुकड़ा लेलाक बाद तुरत बाहर चल गेल, ओ रातुक समय छल।
30 Judas recebeu o pão e saiu logo. E era noite.
31 जखन यहूदा बाहर चल गेल, तखन यीशु बजलाह, “आब मनुष्‍य-पुत्रक महिमा प्रगट होयतैक, और ओकरा मे परमेश्‍वरक महिमा प्रगट होयतनि।
31 Quando Judas saiu, Jesus disse:
32 जँ ओकरा मे परमेश्‍वरक महिमा प्रगट होयतनि, तँ परमेश्‍वर सेहो अपना मे ओकर महिमा प्रगट करताह, और बहुत जल्‍दी करताह।
32 E, se por meio dele a natureza gloriosa de Deus for revelada, então Deus revelará em si mesmo a natureza divina do Filho do Homem. E Deus fará isso agora mesmo.
33 “यौ हमर बौआ सभ! कनेके काल आओर हम अहाँ सभक संग छी। अहाँ सभ हमरा ताकब, और जेना हम यहूदी सभ केँ कहलियनि, तेना अहूँ सभ केँ कहैत छी जे, जतऽ हम जा रहल छी ततऽ अहाँ सभ नहि आबि सकैत छी।
33 Meus filhos, não vou ficar com vocês por muito tempo. Vocês vão me procurar, mas eu digo agora o que já disse aos líderes judeus: vocês não podem ir para onde eu vou.
34 एक नव आज्ञा हम अहाँ सभ केँ दैत छी—एक-दोसर सँ प्रेम करू। जेना हम अहाँ सभ सँ प्रेम कयने छी तेना अहूँ सभ एक-दोसर सँ प्रेम करू।
34 Eu lhes dou este novo mandamento: amem uns aos outros. Assim como eu os amei, amem também uns aos outros.
35 एहि सँ सभ लोक जानत जे अहाँ सभ हमर शिष्‍य छी, अर्थात्‌ अहाँ सभ जँ एक-दोसर सँ प्रेम करब, ताहि सँ।”
35 Se tiverem amor uns pelos outros, todos saberão que vocês são meus discípulos.
36 सिमोन पत्रुस हुनका सँ पुछलथिन, “प्रभु, अहाँ कतऽ जा रहल छी?” यीशु बजलाह, “हम जतऽ जा रहल छी, ततऽ अहाँ एखन हमरा पाछाँ-पाछाँ नहि आबि सकब, लेकिन बाद मे अहाँ हमरा पाछाँ आयब।”
36 Simão Pedro perguntou a Jesus: — Senhor, para onde é que o senhor vai? Jesus respondeu:
37 पत्रुस कहलथिन, “प्रभु, हम अहाँक पाछाँ-पाछाँ एखन किएक नहि आबि सकैत छी? हम अहाँक लेल अपन प्राणो देब!”
37 Pedro tornou a perguntar: — Senhor, por que eu não posso segui-lo agora? Eu estou pronto para morrer pelo senhor!
38 यीशु बजलाह, “की अहाँ वास्‍तव मे हमरा लेल अपन प्राण देब? हम अहाँ केँ सत्‍य कहैत छी जे, मुर्गा केँ बाजऽ सँ पहिनहि, अहाँ तीन बेर हमरा अस्‍वीकार कऽ कऽ लोक केँ कहबैक जे, हम ओकरा चिन्‍हबो नहि करैत छिऐक।”
38 — Está mesmo? — perguntou Jesus. — Pois eu afirmo a você que isto é verdade: antes que o galo cante, você dirá três vezes que não me conhece.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 13, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.