João 12
jivən səndesh (MAI) vs NTLH
1 फसह-पाबनि सँ छओ दिन पहिने, यीशु बेतनिया गाम अयलाह, जाहिठाम लाजर रहैत छलाह, जिनका मरलाक बाद यीशु जीवित कऽ देने रहथिन।
1 Seis dias antes da Páscoa , Jesus foi ao povoado de Betânia, onde morava Lázaro, a quem ele tinha ressuscitado.
2 ओहिठाम यीशुक अयबाक खुशी मे भोज कयल गेल। मार्था सेवा-सत्कारक काज मे लागल छलीह, और यीशुक संग भोजन करऽ वला सभ मे लाजर सेहो बैसल छलाह।
2 Prepararam ali um jantar para Jesus. Marta ajudava a servir, e Lázaro era um dos que estavam à mesa com ele.
3 तखन मरियम विशुद्ध जटामासीक लगभग आधा सेर बहुत दामी सुगन्धित तेल लऽ यीशुक पयर पर ढारि देलनि और हुनकर पयर अपना केश सँ पोछि देलथिन। ओहि तेलक सुगन्ध सँ सौंसे घर गमकि उठल।
3 Então Maria pegou um frasco cheio de um perfume muito caro, feito de nardo puro. Ela derramou o perfume nos pés de Jesus e os enxugou com os seus cabelos; e toda a casa ficou perfumada.
4 मुदा हुनकर एकटा शिष्य, यहूदा इस्करियोती, जे बाद मे हुनका संग विश्वासघात करऽ वला भेल, से बाजल,
4 Mas Judas Iscariotes, o discípulo que ia trair Jesus, disse:
5 “ई तेल किएक नहि बेचि देल गेल? एहि सँ एक वर्षक मजदूरीक बराबरि मूल्य भेटैत, आ गरीब सभ मे बाँटल गेल रहैत!”
5 — Este perfume vale mais de trezentas moedas de prata . Por que não foi vendido, e o dinheiro, dado aos pobres?
6 ओ ई बात एहि लेल नहि कहलक जे ओकरा गरीब सभक लेल चिन्ता छलैक, बल्कि एहि लेल जे ओ चोर छल। ओकरा लग हुनका सभक पाइक बटुआ रहैत छलैक, और ओहि मे जे किछु राखल जाइत छल, ताहि मे सँ ओ चोरा लैत छल।
6 Judas disse isso, não porque tivesse pena dos pobres, mas porque era ladrão. Ele tomava conta da bolsa de dinheiro e costumava tirar do que punham nela.
7 यीशु उत्तर देलथिन, “हिनका छोड़ि दिऔन! हम जे कबर मे राखल जायब तकर तैयारीक लेल हिनका ई तेल रखने रहबाक छलनि।
7 Então Jesus respondeu:
8 गरीब सभ तँ अहाँ सभक संग सभ दिन रहत, मुदा हम अहाँ सभक संग सभ दिन नहि रहब।”
8 Os pobres estarão sempre com vocês, mas eu não estarei sempre com vocês.
9 जखन यहूदी सभक बड़का भीड़ केँ पता लगलैक जे यीशु एतऽ छथि, तँ ओ सभ देखबाक लेल आयल, मुदा खाली यीशुए केँ देखबाक लेल नहि, बल्कि लाजर केँ सेहो, जिनका मरलाक बाद यीशु जीवित कयने रहथिन।
9 Muitas pessoas ficaram sabendo que Jesus estava em Betânia. Então foram até lá não só por causa dele, mas também para ver Lázaro, o homem que Jesus tinha ressuscitado.
10 तखन मुख्यपुरोहित सभ लाजर केँ सेहो खून कऽ देबाक योजना बनाबऽ लगलाह,
10 Então os chefes dos sacerdotes resolveram matar Lázaro também;
11 किएक तँ हुनके कारण बहुत यहूदी अपना धर्मगुरु सभ केँ छोड़ि कऽ यीशु पर विश्वास करैत छलनि।
11 pois, por causa dele, muitos judeus estavam abandonando os seus líderes e crendo em Jesus.
12 दोसरे दिन बड़का भीड़ जे पाबनिक लेल आयल छल, से सुनलक जे यीशु यरूशलेम आबि रहल छथि।
12 No dia seguinte, a grande multidão que tinha ido à Festa da Páscoa ouviu dizer que Jesus estava chegando a Jerusalém.
13 ओ सभ खजूरक छज्जा लऽ कऽ हुनका सँ भेँट करबाक लेल शहर सँ बहरायल। ओ सभ हुनकर जयजयकार करैत छल,
13 Então eles pegaram ramos de palmeiras e saíram para se encontrar com ele, gritando: — Que Deus abençoe aquele que vem em nome do Senhor! Que Deus abençoe o Rei de Israel!
14 यीशु एक गदहीक बच्चा पर बैसल छलाह, जेना धर्मशास्त्रक लेख अछि,
14 Jesus procurou um jumentinho e o montou, como dizem as Escrituras Sagradas :
15 “हे सियोन नगर! भयभीत नहि होअह!
15 “Povo de Jerusalém, não tenha medo! Veja! Aí vem o seu Rei, montado num jumentinho!”
16 एहि समय मे हुनकर शिष्य सभ ई सभ बात नहि बुझलनि, मुदा यीशु जखन स्वर्गक महिमा मे उठा लेल गेलाह तखन हुनका सभ केँ मोन पड़लनि जे ई सभ बात यीशुएक बारे मे लिखल गेल छल और हुनका संग तहिना कयलो गेलनि।
16 Naquela ocasião os discípulos não entenderam isso. Mas, depois de Jesus ter voltado para a presença gloriosa de Deus, eles lembraram que isso estava escrito a respeito dele e também que era isso o que tinha acontecido.
17 जे लोक सभ ओहि समय मे यीशुक संग छल जखन ओ लाजर केँ कबर मे सँ बहरयबाक लेल कहि कऽ जीवित कऽ देने रहथिन, से सभ एहि बातक बारे मे सभ लोक केँ कहैत छल।
17 A multidão que estava com Jesus quando ele havia chamado Lázaro para fora do túmulo e o tinha ressuscitado espalhou a notícia do que tinha acontecido.
18 एहि कारणेँ एतेक लोक यीशु सँ भेटबाक लेल बहरायल छल। ओ सभ सुनने छल जे यीशु ई चमत्कारपूर्ण चिन्ह देखौने छथि।
18 E o povo foi encontrar-se com Jesus, pois ficou sabendo que ele tinha feito esse milagre.
19 तेँ फरिसी सभ एक-दोसर केँ कहऽ लगलाह, “देखैत छी कि नहि! अहाँ सभ जे कऽ रहल छी ताहि सँ कनेको फायदा नहि! देखू! सौंसे संसार ओकरा पाछाँ दौड़ि रहल छैक!”
19 Então os fariseus disseram uns aos outros: — Não estamos conseguindo nada! Vejam! Todos estão indo com ele!
20 जे लोक पाबनि मे आराधना करबाक लेल आयल छल, ताहि मे किछु लोक यूनानी जातिक छल।
20 Entre o povo que tinha ido a Jerusalém para tomar parte na festa, estavam alguns não judeus.
21 ओ सभ फिलिपुस लग आयल, जे गलील प्रदेशक बेतसैदा नगरक छलाह। ओ सभ हुनका सँ ई निवेदन कयलकनि, “मालिक, हम सभ यीशु केँ देखितहुँ।”
21 Eles foram falar com Filipe, que era da cidade de Betsaida, na Galileia, e pediram: — Senhor, queremos ver Jesus.
22 फिलिपुस जा कऽ अन्द्रेयास केँ कहि देलनि, और अन्द्रेयास फिलिपुसक संग जा कऽ यीशु केँ कहलनि।
22 Filipe foi dizer isso a André, e os dois foram falar com Jesus.
23 यीशु बजलाह, “मनुष्य-पुत्रक महिमा प्रगट होयबाक घड़ी आबि गेल अछि।
23 Então ele respondeu:
24 हम अहाँ सभ केँ सत्ये कहैत छी जे, जाबत धरि गहुमक दाना जमीन मे खसि कऽ मरि नहि जाइत अछि, ताबत धरि ओ असगर रहैत अछि। मुदा जँ मरि जायत, तँ आओर बहुत दाना केँ उत्पादन करत।
24 Eu afirmo a vocês que isto é verdade: se um grão de trigo não for jogado na terra e não morrer, ele continuará a ser apenas um grão. Mas, se morrer, dará muito trigo.
25 जे अपना जीवन केँ प्रिय बुझैत अछि, से ओकरा गमबैत अछि, और जे एहि संसार मे अपना जीवन केँ तुच्छ बुझैत अछि, से ओकरा अनन्त जीवनक लेल सुरक्षित रखैत अछि।
25 Quem ama a sua vida não terá a vida verdadeira; mas quem não se apega à sua vida, neste mundo, ganhará para sempre a vida verdadeira.
26 जे हमर सेवा करत, से हमरा पाछाँ आबय। और हम जतऽ होयब, ततऽ हमर सेवक सेहो होयत। जे केओ हमर सेवा करत, तकरा हमर पिता आदर करथिन।
26 Quem quiser me servir siga-me; e, onde eu estiver, ali também estará esse meu
27 “आब हमर आत्मा अति व्याकुल भऽ गेल अछि। हम की कहू?—ई जे, ‘यौ पिता, एहि घड़ी सँ हमरा बचाउ!’? नहि! हम तँ एही लेल एहि घड़ी तक आयल छी!
27 Jesus continuou:
28 यौ पिता, अपन नामक महिमा केँ प्रगट करू!”
28 Pai, revela a tua presença Então do céu veio uma voz, que dizia: — Eu já a revelei e a revelarei de novo.
29 लग मे ठाढ़ भेल भीड़ ई सुनलक और कहलक, “मेघ बाजल।” दोसर लोक कहलक, “हुनका सँ स्वर्गदूत बजलनि।”
29 A multidão que estava ali ouviu a voz e dizia que era um trovão. Outros afirmavam que um anjo tinha falado com Jesus.
30 यीशु बजलाह, “ई आवाज हमरा लेल नहि, अहीं सभक लेल भेल।
30 Mas ele disse:
31 आब एहि संसारक न्यायक समय आबि गेल अछि, आब एहि संसारक शासक केँ पराजित कऽ देल जयतैक।
31 Chegou a hora de este mundo ser julgado, e aquele que manda nele será expulso.
32 मुदा हम जखन पृथ्वीक उपर लटकाओल जायब तँ हम अपना लग सभ लोक केँ खीचि लेब।”
32 E, quando eu for levantado da terra, atrairei todas as pessoas para mim.
33 ओ ई कहि कऽ संकेत कऽ देलथिन जे हुनकर मृत्यु कोन तरहक होयतनि।
33 Ele dizia isso para indicar de que maneira ia morrer.
34 एहि पर भीड़क लोक बाजल, “हम सभ धर्म-नियम सँ सिखने छी जे उद्धारकर्ता-मसीह अनन्त काल तक रहताह। तँ अहाँ कोना कहैत छी जे मनुष्य-पुत्रक ऊपर लटकाओल जयनाइ आवश्यक अछि? की मनुष्य-पुत्र आ उद्धारकर्ता-मसीह दूनू एके नहि छथि?”
34 A multidão perguntou: — A nossa
35 यीशु ओकरा सभ केँ कहलनि, “इजोत कनेके काल आओर अहाँ सभक बीच मे अछि। जा धरि इजोत अछि ता धरि चलिते रहू, नहि तँ अन्हार अहाँ सभ केँ लपकि लेत। जे अन्हार मे चलैत अछि, से नहि जनैत अछि जे ओ कतऽ जा रहल अछि।
35 Jesus respondeu:
36 जा धरि इजोत अहाँ सभक संग अछि, इजोत पर विश्वास राखू, जाहि सँ इजोतक सन्तान बनब।”
36 Enquanto vocês têm a luz, creiam na luz para que possam viver na luz. Depois que Jesus disse isso, foi embora e se escondeu do povo.
37 ओकरा सभक समक्ष मे एतेक चमत्कारपूर्ण चिन्ह देखौलाक बादो, ओ सभ यीशु पर विश्वास नहि करैत छल।
37 Eles tinham visto Jesus fazer todos esses milagres, mas não criam nele,
38 ई एहि लेल भेल जे परमेश्वरक प्रवक्ता यशायाहक ई कथन पूरा होअय जे,
38 para que se cumprisse o que disse o profeta Isaías: “Senhor, quem creu na nossa mensagem? E quem viu que era o Senhor que estava agindo?”
39 तेँ ओ सभ विश्वास नहि कऽ सकल, कारण, जेना यशायाह दोसर ठाम कहैत छथि,
39 Não podiam crer porque, como disse Isaías:
40 “प्रभु ओकरा सभक आँखि आन्हर कऽ देने छथिन,
40 “Deus cegou os olhos deles e fechou a mente deles, para que não vejam, e não entendam, e não se voltem para ele, e sejam curados por ele.”
41 यशायाह ई बात कहलनि किएक तँ ओ यीशुक महिमा देखलनि और हुनका बारे मे बजलाह।
41 Isaías disse isso porque viu a revelação da natureza divina de Jesus e falou a respeito dele.
42 ई बात होइतो यहूदी सभक अधिकारी सभ मे सँ सेहो बहुत गोटे हुनका पर विश्वास कयलनि, मुदा फरिसी सभक कारणेँ ओ सभ अपना विश्वास केँ खुलि कऽ स्वीकार नहि कयलनि, एहि डरेँ जे सभाघर सँ बारि देल जाएब,
42 No entanto, muitos líderes judeus creram em Jesus, mas não falavam publicamente a favor dele para que os fariseus não os expulsassem da sinagoga .
43 कारण ओ सभ परमेश्वरक प्रशंसा सँ मनुष्यक प्रशंसा प्रिय बुझैत छलाह।
43 Eles gostavam mais de ser elogiados pelas pessoas do que de ser elogiados por Deus.
44 तखन यीशु जोर सँ कहलनि, “जे केओ हमरा पर विश्वास करैत अछि, से हमरे पर नहि, बल्कि हमरा जे पठौलनि, तिनको पर विश्वास करैत अछि।
44 Jesus disse bem alto:
45 और जे हमरा देखैत अछि, से तिनका देखैत छनि जे हमरा पठौलनि।
45 Quem me vê vê também aquele que me enviou.
46 हम इजोत भऽ कऽ संसार मे आयल छी जाहि सँ जे केओ हमरा पर विश्वास करत से अन्हार मे नहि रहय।
46 Eu vim ao mundo como luz para que quem crê em mim não fique na escuridão.
47 “हमर वचन जँ केओ सुनैत अछि, लेकिन मानैत नहि अछि, तँ हम ओकर न्याय नहि करैत छी, कारण हम संसारक न्याय करबाक लेल नहि अयलहुँ, बल्कि ओकरा बचयबाक लेल।
47 Se alguém ouvir a minha mensagem e não a praticar, eu não o julgo. Pois eu vim para salvar o mundo e não para julgá-lo.
48 जे हमरा अस्वीकार करैत अछि और हमर वचन ग्रहण नहि करैत अछि, तकर न्याय करऽ वला एक अछि—जे वचन हम कहने छी, वैह अन्तिम दिन मे ओकर न्याय करतैक।
48 Quem me rejeita e não aceita a minha mensagem já tem quem vai julgá-lo. As palavras que eu tenho dito serão o juiz dessa pessoa no último dia.
49 कारण हम अपना दिस सँ नहि बजलहुँ, बल्कि जे पिता हमरा पठौलनि सैह हमरा आदेश देलनि जे हम की कही और कोना बाजी।
49 — Eu não tenho falado em meu próprio nome, mas o Pai, que me enviou, é quem me ordena o que devo dizer e anunciar.
50 और हम जनैत छी जे हुनकर आदेश अनन्त जीवन अछि। तेँ हम जे किछु बजैत छी, से वैह अछि जे ओ हमरा बजबाक लेल कहने छथि।”
50 E eu sei que o seu mandamento dá a vida eterna. O que eu digo é justamente aquilo que o Pai me mandou dizer.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 12, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.