João 11

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 एक लाजर नामक आदमी, जे बेतनिया गामक छलाह, बहुत बिमार भऽ गेल छलाह। बेतनिया गाम मरियम आओर हुनकर बहिन मार्थाक गाम छल।
1 Lázaro caiu doente em Betânia, onde estavam Maria e sua irmã Marta.
2 ई मरियम वैह छथि जे यीशुक पयर पर सुगन्‍धित तेल ढारि कऽ हुनकर पयर अपना केश लऽ कऽ पोछि देलनि। तँ लाजर एहि मरियमक भाय छलाह।
2 Maria era quem ungira o Senhor com o óleo perfumado e lhe enxugara os pés com os seus cabelos. E Lázaro, que estava enfermo, era seu irmão.
3 दूनू बहिन यीशु केँ खबरि पठा देलनि जे, “प्रभु, अहाँक प्रिय मित्र बिमार अछि।”
3 Suas irmãs mandaram, pois, dizer a Jesus: Senhor, aquele que tu amas está enfermo.
4 यीशु ई सुनि कऽ बजलाह, “एहि बिमारीक अन्‍त मृत्‍यु नहि होयत। ई एहि लेल भेल जे परमेश्‍वरक महिमा प्रगट होयतनि, और जाहि सँ एहि द्वारा परमेश्‍वरक पुत्रक महिमा प्रगट होयत।”
4 A estas palavras, disse-lhes Jesus: Esta enfermidade não causará a morte, mas tem por finalidade a glória de Deus. Por ela será glorificado o Filho de Deus.
5 यीशु मार्था, हुनकर बहिन मरियम, और लाजर सँ बहुत प्रेम करैत छलथिन,
5 Ora, Jesus amava Marta, Maria, sua irmã, e Lázaro.
6 मुदा तैयो ई खबरि जखन सुनलनि, जे लाजर बिमार छथि, तखन ओ जाहिठाम छलाह ताहिठाम दू दिन आओर रहि गेलाह।
6 Mas, embora tivesse ouvido que ele estava enfermo, demorou-se ainda dois dias no mesmo lugar.
7 तखन ओ अपन शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “आब फेर यहूदिया प्रदेश चलू।”
7 Depois, disse a seus discípulos: Voltemos para a Judéia.
8 ओ सभ कहलथिन, “गुरुजी, किछुए दिन पहिने यहूदी सभ पाथर मारि कऽ अहाँ केँ मारि देबऽ चाहैत छलाह, आ तैयो अहाँ ओतऽ फेर जाय चाहैत छी?”
8 Mestre, responderam eles, há pouco os judeus te queriam apedrejar, e voltas para lá?
9 यीशु बजलाह, “की दिन मे बारह घण्‍टा नहि होइत छैक? जँ केओ दिन मे चलैत अछि तँ ओकरा ठेस नहि लगैत छैक, कारण ओ एहि संसारक इजोत केँ देखैत अछि।
9 Jesus respondeu: Não são doze as horas do dia? Quem caminha de dia não tropeça, porque vê a luz deste mundo.
10 मुदा राति मे जँ चलैत अछि तँ ठेस लगैत छैक कारण ओकरा कोनो इजोत नहि छैक।”
10 Mas quem anda de noite tropeça, porque lhe falta a luz.
11 ई कहि यीशु हुनका सभ केँ आगाँ कहलथिन, “अपना सभक मित्र लाजर सुति रहलाह, मुदा हम हुनका जगयबाक लेल जाइत छी।”
11 Depois destas palavras, ele acrescentou: Lázaro, nosso amigo, dorme, mas vou despertá-lo.
12 शिष्‍य सभ हुनका कहलथिन, “प्रभु, जँ ओ सुति रहल छथि तँ ओ नीकैं भऽ जयताह।”
12 Disseram-lhe os seus discípulos: Senhor, se ele dorme, há de sarar.
13 यीशु हुनकर मृत्‍युक सम्‍बन्‍ध मे ई कहने छलथिन मुदा शिष्‍य सभ बुझलनि जे ओ स्‍वभाविक निन्‍दक सम्‍बन्‍ध मे कहि रहल छथि।
13 Jesus, entretanto, falara da sua morte, mas eles pensavam que falasse do sono como tal.
14 तखन यीशु हुनका सभ केँ स्‍पष्‍ट कहलथिन, “लाजर मरि गेल छथि।
14 Então Jesus lhes declarou abertamente: Lázaro morreu.
15 और अहाँ सभक कारणेँ हमरा खुशी अछि जे हम ओतऽ नहि छलहुँ, जाहि सँ अहाँ सभ विश्‍वास करी। मुदा आउ, अपना सभ आब हुनका लग चली।”
15 Alegro-me por vossa causa, por não ter estado lá, para que creiais. Mas vamos a ele.
16 तखन थोमा, जे “जौंआ” कहबैत छथि, से आरो शिष्‍य सभ केँ कहलथिन, “आउ, अपनो सभ हिनका संग मरऽ लेल चली।”
16 A isso Tomé, chamado Dídimo, disse aos seus condiscípulos: Vamos também nós, para morrermos com ele.
17 ओतऽ पहुँचला पर यीशु केँ पता लगलनि जे लाजर केँ कबर मे रखला चारि दिन भऽ गेल अछि।
17 À chegada de Jesus, já havia quatro dias que Lázaro estava no sepulcro.
18 बेतनिया यरूशलेम सँ एक कोस सँ कनेक कम दूर छल,
18 Ora, Betânia distava de Jerusalém cerca de quinze estádios.
19 और बहुत यहूदी लोक मार्था आओर मरियमक भायक मरला पर सान्‍त्‍वना देबाक लेल हुनका सभक ओहिठाम आयल छलनि।
19 Muitos judeus tinham vindo a Marta e a Maria, para lhes apresentar condolências pela morte de seu irmão.
20 मार्था जखन सुनलनि जे यीशु आबि रहल छथि तँ हुनका भेँट करऽ गेलीह, लेकिन मरियम घर मे बैसल रहलीह।
20 Mal soube Marta da vinda de Jesus, saiu-lhe ao encontro. Maria, porém, estava sentada em casa.
21 मार्था यीशु केँ कहलथिन, “प्रभु, अहाँ जँ एतऽ रहितहुँ तँ हमर भाय नहि मरल रहैत।
21 Marta disse a Jesus: Senhor, se tivesses estado aqui, meu irmão não teria morrido!
22 मुदा हम जनैत छी जे एखनो अहाँ जे किछु परमेश्‍वर सँ मँगबनि, से अहाँ केँ ओ देताह।”
22 Mas sei também, agora, que tudo o que pedires a Deus, Deus to concederá.
23 यीशु बजलाह, “अहाँक भाय फेर जीबि उठत।”
23 Disse-lhe Jesus: Teu irmão ressurgirá.
24 मार्था बजलीह, “हम जनैत छी जे अन्‍तिम दिन मे जखन मुइल सभ जीबि उठत तखन ओहो जीबि उठत।”
24 Respondeu-lhe Marta: Sei que há de ressurgir na ressurreição no último dia.
25 यीशु हुनका कहलथिन, “जीबि उठाबऽ वला और जीवन देबऽ वला हमहीं छी। जे केओ हमरा पर विश्‍वास करैत अछि, से जँ मरिओ जायत, तैयो जीअत।
25 Disse-lhe Jesus: Eu sou a ressurreição e a vida. Aquele que crê em mim, ainda que esteja morto, viverá.
26 और जे केओ हमरा मे जीबैत अछि और विश्‍वास करैत अछि, से कहियो नहि मरत। की एहि पर विश्‍वास करैत छी?”
26 E todo aquele que vive e crê em mim, jamais morrerá. Crês nisto?
27 मार्था हुनका उत्तर देलथिन, “हँ प्रभु, हम विश्‍वास करैत छी जे अहाँ उद्धारकर्ता-मसीह छी, परमेश्‍वरक पुत्र छी, जे संसार मे आबऽ वला छलाह।”
27 Respondeu ela: Sim, Senhor. Eu creio que tu és o Cristo, o Filho de Deus, aquele que devia vir ao mundo.
28 ई कहि ओ अपन बहिन मरियम केँ बजयबाक लेल गेलीह, और हुनका अलग लऽ जा कऽ कहलथिन, “गुरुजी आबि गेलाह, तोरा बजबैत छथुन।”
28 A essas palavras, ela foi chamar sua irmã Maria, dizendo-lhe baixinho: O Mestre está aí e te chama.
29 ई बात सुनितहि, मरियम जल्‍दी सँ उठि कऽ हुनका लग गेलीह।
29 Apenas ela o ouviu, levantou-se imediatamente e foi ao encontro dele.
30 यीशु एखन गाम मे नहि आयल छलाह, बल्‍कि ओहि स्‍थान पर छलाह जाहिठाम मार्था हुनका सँ भेँट कयने छलीह।
30 {Pois Jesus não tinha chegado à aldeia, mas estava ainda naquele lugar onde Marta o tinha encontrado.}
31 यहूदी सभ, जे मरियम केँ सान्‍त्‍वना दैत हुनका संग घर मे छलनि, से सभ जखन हुनका जल्‍दी उठि बाहर जाइत देखलकनि, तँ हुनका पाछाँ-पाछाँ गेल, ई बुझि कऽ जे ओ कबर पर विलाप करऽ जा रहल छथि।
31 Os judeus que estavam com ela em casa, em visita de pêsames, ao verem Maria levantar-se depressa e sair, seguiram-na, crendo que ela ia ao sepulcro para ali chorar.
32 मरियम जखन ओहिठाम पहुँचलीह जाहिठाम यीशु छलाह, तँ हुनका देखि हुनका पयर पर खसि कऽ बजलीह, “प्रभु, अहाँ जँ एतऽ रहितहुँ तँ हमर भाय नहि मरैत।”
32 Quando, porém, Maria chegou onde Jesus estava e o viu, lançou-se aos seus pés e disse-lhe: Senhor, se tivesses estado aqui, meu irmão não teria morrido!
33 यीशु जखन हुनका विलाप करैत देखलथिन, और यहूदी सभ, जे हुनका संग आयल छल, तकरो सभ केँ विलाप करैत देखलनि तँ हुनका बहुत दुःख भेलनि और ओ व्‍याकुल भऽ गेलाह।
33 Ao vê-la chorar assim, como também todos os judeus que a acompanhavam, Jesus ficou intensamente comovido em espírito. E, sob o impulso de profunda emoção,
34 ओ पुछलथिन, “हुनका कतऽ रखने छिऐन?” ओ सभ उत्तर देलथिन, “प्रभु, चलि कऽ देखि लिअ।”
34 perguntou: Onde o pusestes? Responderam-lhe: Senhor, vinde ver.
35 यीशु कानऽ लगलाह।
35 Jesus pôs-se a chorar.
36 तखन यहूदी सभ कहलक, “देखू, ओकरा सँ कतेक प्रेम करैत छलथिन।”
36 Observaram por isso os judeus: Vede como ele o amava!
37 मुदा ओकरा सभ मे सँ किछु लोक कहलक, “ई जे आन्‍हर केँ आँखि खोलि देलथिन, से की एहि आदमीक मरनाइ नहि रोकि सकलाह?”
37 Mas alguns deles disseram: Não podia ele, que abriu os olhos do cego de nascença, fazer com que este não morresse?
38 यीशु फेर बहुत दुखी भऽ कऽ कबर लग गेलाह। ओ कबर एक गुफा छल, जकरा दुआरि पर एकटा बड़का पाथर राखल छलैक।
38 Tomado, novamente, de profunda emoção, Jesus foi ao sepulcro. Era uma gruta, coberta por uma pedra.
39 यीशु कहलथिन, “पाथर हटा दिअ!”
39 Jesus ordenou: Tirai a pedra. Disse-lhe Marta, irmã do morto: Senhor, já cheira mal, pois há quatro dias que ele está aí...
40 यीशु बजलाह, “की, हम अहाँ केँ नहि कहलहुँ जे जँ अहाँ विश्‍वास करब तँ परमेश्‍वरक महिमा देखब?”
40 Respondeu-lhe Jesus: Não te disse eu: Se creres, verás a glória de Deus? Tiraram, pois, a pedra.
41 तखन ओ सभ पाथर हटा देलनि, और यीशु ऊपर ताकि कऽ कहलनि, “पिता, हम अहाँ केँ धन्‍यवाद दैत छी जे अहाँ हमर सुनि लेने छी।
41 Levantando Jesus os olhos ao alto, disse: Pai, rendo-te graças, porque me ouviste.
42 ओना तँ हम जनैत छी जे अहाँ सदिखन हमर सुनि लैत छी, मुदा हम ई बात एहिठाम ठाढ़ भेल लोकक कारणेँ कहलहुँ, जाहि सँ ओ सभ विश्‍वास करय जे अहाँ हमरा पठौने छी।”
42 Eu bem sei que sempre me ouves, mas falo assim por causa do povo que está em roda, para que creiam que tu me enviaste.
43 ई बात कहि, यीशु जोर सँ सोर पारलनि, “लाजर! बाहर निकलि आउ!”
43 Depois destas palavras, exclamou em alta voz: Lázaro, vem para fora!
44 और ओ मृतक बाहर निकलि अयलाह। हुनकर हाथ-पयर पट्टी सँ बान्‍हल छलनि, और हुनकर मुँह अंगपोछा सँ लेपटल छलनि। यीशु लोक सभ केँ कहलथिन, “हुनका खोलि दिऔन और जाय दिऔन।”
44 E o morto saiu, tendo os pés e as mãos ligados com faixas, e o rosto coberto por um sudário. Ordenou então Jesus: Desligai-o e deixai-o ir.
45 एहि कारणेँ यहूदी सभ जे मरियम सँ भेँट करबाक लेल आयल छल, और जे यीशुक ई काज देखने छल, तकरा सभ मे सँ बहुतो हुनका पर विश्‍वास कयलकनि।
45 Muitos dos judeus, que tinham vindo a Marta e Maria e viram o que Jesus fizera, creram nele.
46 मुदा किछु यहूदी सभ फरिसी सभक ओहिठाम जा कऽ कहि देलकैक जे यीशु की कयलनि।
46 Alguns deles, porém, foram aos fariseus e lhes contaram o que Jesus realizara.
47 तेँ मुख्‍यपुरोहित और फरिसी सभ धर्म-महासभाक सदस्‍य सभ केँ बजा लेलनि। ओ सभ आपस मे कहऽ लगलाह, “अपना सभ की कऽ रहल छी? ई तँ बहुत चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह देखा रहल अछि!
47 Os pontífices e os fariseus convocaram o conselho e disseram: Que faremos? Esse homem multiplica os milagres.
48 एकरा ई सभ करैत छोड़ि देबैक तँ एकरा पर सभ केओ विश्‍वास करतैक, और रोमी सभ आबि कऽ अपना सभक पवित्र स्‍थान और राष्‍ट्र दूनू नष्‍ट कऽ देत।”
48 Se o deixarmos proceder assim, todos crerão nele, e os romanos virão e arruinarão a nossa cidade e toda a nação.
49 तखन हुनका सभ मे सँ काइफा नामक एक गोटे, जे ओहि वर्षक महापुरोहित छलाह से बजलाह, “अहाँ सभ किछुओ नहि जनैत छी!
49 Um deles, chamado Caifás, que era o sumo sacerdote daquele ano, disse-lhes: Vós não entendeis nada!
50 अहाँ सभ केँ फुरयबो नहि करैत अछि जे अहाँ सभ केँ की नीक होइत। नीक तँ ई होइत जे एके आदमी जनताक लेल मरैक, और ई नहि जे पूरा राष्‍ट्र नाश भऽ जाय।”
50 Nem considerais que vos convém que morra um só homem pelo povo, e que não pereça toda a nação.
51 ई बात ओ अपने सँ नहि, बल्‍कि ओहि वर्षक महापुरोहित होयबाक कारणेँ कहलनि, मुदा हुनको नहि बुझल छलनि जे ई भविष्‍यवाणी भऽ गेल जे यीशु यहूदी राष्‍ट्रक बदला मे मरताह,
51 E ele não disse isso por si mesmo, mas, como era o sumo sacerdote daquele ano, profetizava que Jesus havia de morrer pela nação,
52 और मात्र ओहि राष्‍ट्रक लेल नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक एम्‍हर-ओम्‍हर छिड़िआयल सन्‍तानक लेल सेहो, जाहि सँ ओ ओकरा सभ केँ एक ठाम जमा कऽ कऽ एक करथि।
52 e não somente pela nação, mas também para que fossem reconduzidos à unidade os filhos de Deus dispersos.
53 तँ ओहि दिन सँ ओ सभ हुनका जान सँ मारि देबाक षड्‌यन्‍त्र करऽ लगलाह।
53 E desde aquele momento resolveram tirar-lhe a vida.
54 फलस्‍वरूप यीशु आब यहूदी सभक बीच मे खुलि कऽ नहि घुमैत छलाह। ओ निर्जन क्षेत्रक कात मे इफ्राइम नामक गाम मे जा कऽ ओतहि अपना शिष्‍य सभक संग रहऽ लगलाह।
54 Em conseqüência disso, Jesus já não andava em público entre os judeus. Retirou-se para uma região vizinha do deserto, a uma cidade chamada Efraim, e ali se detinha com seus discípulos.
55 जखन यहूदी सभक फसह-पाबनि लग आबि गेल तखन बहुत लोक अपना केँ शुद्ध करबाक विधिक लेल पाबनि सँ पहिनहि देहात सँ यरूशलेम आयल।
55 Estava próxima a Páscoa dos judeus, e muita gente de todo o país subia a Jerusalém antes da Páscoa para se purificar.
56 ओ सभ यीशु केँ तकैत छलनि, और मन्‍दिर मे ठाढ़ एक-दोसर सँ पुछैत छल जे, “अहाँ की सोचैत छी? ओ पाबनिक लेल नहिए औताह की?”
56 Procuravam Jesus e falavam uns com os outros no templo: Que vos parece? Achais que ele não virá à festa?
57 कारण मुख्‍यपुरोहित और फरिसी सभ आज्ञा देने छलाह जे, जँ ककरो पता लागि जाइक जे यीशु कतऽ छथि तँ ओ हुनका सभ केँ सूचना दऽ दिअय, जाहि सँ ओ सभ हुनका पकड़ि सकथि।
57 Mas os sumos sacerdotes e os fariseus tinham dado ordem para que todo aquele que soubesse onde ele estava o denunciasse, para o prenderem.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar João 11, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.