Hebreus 6

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 तेँ अपना सभ बचपना वला बात छोड़ि मसीहक विषय मे जे शुरू वला शिक्षा अछि ताहि सँ आगाँ बढ़ि कऽ आब गहींर शिक्षा बुझनिहार बनी। अपना सभ आब मृत्‍युक दिस लऽ जाय वला कर्म सभक लेल पश्‍चात्ताप आ हृदय-परिवर्तन कयनाइ, परमेश्‍वर पर विश्‍वास कयनाइ,
1 Por isso, deixando os princípios elementares da doutrina de Cristo, avancemos para o que é perfeito, não lançando de novo a base do arrependimento de obras mortas e da fé em Deus,
2 बपतिस्‍मा सभक सम्‍बन्‍ध मे शिक्षा, माथ पर हाथ राखऽ वला विधि, मुइल सभक जीबि उठनाइ, और अन्‍तिम न्‍याय—ई सभ शुरू वला शिक्षा फेर नहि दोहराबी।
2 o ensino de batismos e da imposição de mãos, da ressurreição dos mortos e do juízo eterno.
3 आ जँ परमेश्‍वर होमऽ देताह तँ अपना सभ एहि सँ आगाँ बढ़बे करब।
3 Isso faremos, se Deus o permitir.
4 कारण, जे केओ एक बेर इजोत प्राप्‍त कयने अछि, स्‍वर्गीय वरदानक स्‍वाद पौने अछि, परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा मे सहभागी बनल अछि,
4 É impossível, pois, que aqueles que uma vez foram iluminados, provaram o dom celestial, se tornaram participantes do Espírito Santo,
5 परमेश्‍वरक वचन कतेक उत्तम और आबऽ वला राज्‍य कतेक सामर्थी अछि ताहि बात सभक अनुभव कयने अछि—
5 provaram a boa palavra de Deus e os poderes do mundo vindouro
6 जँ एहन लोक अपन विश्‍वास छोड़ि दय तँ ओकरा फेर हृदय-परिवर्तनक बाट पर लौनाइ असम्‍भव अछि, किएक तँ एहन लोक अपने अहित करैत परमेश्‍वरक पुत्र केँ फेर क्रूस पर चढ़बैत अछि आ खुल्‍लमखुल्‍ला हुनकर अपमान करैत छनि।
6 e caíram, sim, é impossível outra vez renová-los para arrependimento, visto que, de novo, estão crucificando para si mesmos o Filho de Deus e expondo-o à zombaria.
7 जे जमीन बेर-बेर वर्षाक पानि सोखैत अछि आ जोताइ-बोआइ कयनिहार किसानक लेल नीक अन्‍नक उपजा दैत अछि से जमीन परमेश्‍वरक आशिष पबैत अछि।
7 Porque a terra que absorve a chuva que frequentemente cai sobre ela e produz plantas úteis para aqueles que a cultivam recebe bênção da parte de Deus;
8 मुदा जे जमीन काँट-कुश उपजबैत अछि से जमीन बेकार अछि। ओ सरापित होमऽ पर अछि और अन्‍त मे जराओल जायत।
8 mas, se produz espinhos e ervas daninhas, é rejeitada e está perto da maldição; e o seu fim é ser queimada.
9 यौ प्रिय मित्र लोकनि, हम सभ एहन बात सभ तँ कहलहुँ मुदा तैयो हमरा सभ केँ अहाँ सभक विषय मे एहि सँ नीक बात, अर्थात् उद्धार सँ मिलऽ वला बातक विश्‍वास अछि।
9 Quanto a vocês, meus amados, ainda que falemos desta maneira, estamos certos de que coisas melhores os esperam, coisas relacionadas com a salvação.
10 किएक तँ परमेश्‍वर अन्‍यायी नहि छथि जे ओ अहाँ सभक काज आ हुनका प्रति अहाँ सभक ओहि प्रेम केँ बिसरि जाथि, जे प्रेम अहाँ सभ हुनकर लोक सभक सेवा करैत देखौने छी, जे सेवा एखनो कऽ रहल छी।
10 Porque Deus não é injusto para se esquecer do trabalho que vocês fizeram e do amor que mostraram para com o seu nome, pois vocês serviram e ainda estão servindo aos santos.
11 हमरा सभक हार्दिक इच्‍छा अछि जे अहाँ सभ मे सँ प्रत्‍येक गोटे एहिना प्रयत्‍नशील रही जाहि सँ अहाँ सभ पूरा विश्‍वासक संग अन्‍त तक अपना आशा मे स्‍थिर रही।
11 Desejamos que cada um de vocês continue mostrando, até o fim, o mesmo empenho para a plena certeza da esperança,
12 आलसी नहि होउ, बल्‍कि ओहन लोक सभ जकाँ बनू जे सभ विश्‍वास आ धैर्य द्वारा ओहि बात सभक उत्तराधिकारी बनैत अछि जाहि बात सभक विषय मे परमेश्‍वर वचन देलनि।
12 para que não se tornem preguiçosos, mas imitadores daqueles que, pela fé e pela paciência, herdam as promessas.
13 अब्राहमक उदाहरण लिअ—परमेश्‍वर अब्राहम केँ वचन दैत समय मे अपने नाम लऽ कऽ सपत खयलनि, कारण, हुनका सँ पैघ केओ नहि छल जकर नाम लऽ कऽ ओ सपत खइतथि।
13 Pois, quando Deus fez a promessa a Abraão, visto que não tinha ninguém superior por quem jurar, jurou por si mesmo,
14 ओ कहलथिन, “निश्‍चय हम तोरा आशिष देबह। आ तोरा वंश केँ बहुत बढ़यबह।”
14 dizendo: “Certamente eu o abençoarei e multiplicarei os seus descendentes.”
15 अब्राहम धैर्यपूर्बक प्रतीक्षा कयलनि आ ओ बात प्राप्‍त कयलनि जाहि सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर वचन देने छलाह।
15 E assim, depois de esperar com paciência, Abraão obteve a promessa.
16 लोक तँ अपना सँ पैघ आदमीक नाम लऽ कऽ सपत खाइत अछि। सपत द्वारा कोनो बात पकिया बनाओल जाइत अछि आ सभ विवाद समाप्‍त कयल जाइत अछि।
16 Porque as pessoas juram pelo que lhes é superior, e o juramento, servindo de garantia, põe fim a toda discussão.
17 तेँ जखन परमेश्‍वर अपन वचनक उत्तराधिकारी सभक लेल ई बात आरो स्‍पष्‍ट करऽ चाहलनि जे हुनकर उद्देश्‍य बदलि नहि सकैत अछि तँ ओ सपतो खयलनि।
17 Por isso, Deus, quando quis mostrar com mais clareza aos herdeiros da promessa que o seu propósito era imutável, confirmou-o com um juramento.
18 परमेश्‍वर दूटा अटल प्रमाण देलनि, वचन आ सपत, जाहि मे हुनका झुट्ठा भेनाइ असम्‍भव अछि। ओ ई एहि लेल कयलनि जाहि सँ अपना सभ केँ मजगूत प्रोत्‍साहन भेटय, अर्थात्‌, अपना सभ केँ जे सभ सामने मे राखल आशाक प्राप्‍ति करबाक लेल हुनका शरण मे दौड़ैत आयल छी।
18 Ele fez isso para que, mediante duas coisas imutáveis, nas quais é impossível que Deus minta, nós, que já corremos para o refúgio, tenhamos forte alento, para tomar posse da esperança que nos foi proposta.
19 जहिना एक लंगर नाव केँ पानि मे स्‍थिर रखैत अछि तहिना ई आशा अपना सभक आत्‍मा केँ सुरक्षित आ स्‍थिर रखैत अछि। ई आशा अपना सभ केँ “परदाक भीतर”, स्‍वर्गिक परमपवित्र स्‍थान मे लऽ जाइत अछि,
19 Temos esta esperança por âncora da alma, segura e firme e que entra no santuário que fica atrás do véu,
20 जतऽ यीशु अपना सभक लेल अपना सभ सँ पहिने प्रवेश कयने छथि। ओ मलकीसेदेकक अनुरूप अनन्‍त कालक लेल महापुरोहित बनि गेल छथि।
20 onde Jesus, como precursor, entrou por nós, tendo-se tornado sumo sacerdote para sempre, segundo a ordem de Melquisedeque.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Hebreus 6, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.