Hebreus 4
jivən səndesh (MAI) vs BKJ
1 परमेश्वर अपना विश्राम मे प्रवेश करयबाक वचन जे अपना लोक केँ देलनि, से एखनो कायम अछि। तेँ अपना सभ सावधान रही, कहीं एना नहि होअय जे अहाँ सभ मे सँ केओ एहि सँ वंचित भऽ जाइ,
1 Portanto, temamos, a fim de que, uma promessa nos foi deixada de entrar em seu descanso, qualquer um de vocês deve parecer estar aquém disso.
2 कारण, जहिना ओकरा सभ केँ शुभ समाचार सुनाओल गेल छलैक तहिना अपनो सभ केँ सुनाओल गेल अछि, मुदा ओहि सुनाओल वचन सँ ओकरा सभ केँ कोनो लाभ नहि भेलैक, कारण, ओ सभ सुनि कऽ तकरा विश्वासक संग स्वीकार नहि कयलक।
2 Porque para nós o evangelho foi pregado, assim também como a eles, mas a palavra pregada não lhes serviu, não estando esta misturada com a fé daqueles que a ouviram.
3 आब अपना सभ विश्वास करबाक कारणेँ एहि विश्राम मे प्रवेश कयनिहार छी। अविश्वासी पूर्वज सभक सम्बन्ध मे परमेश्वर ई कहलनि,
3 Porque nós, que temos crido, entramos no repouso, tal como ele disse: Assim como jurei na minha ira eles não entrarão no meu repouso; embora as obras estivessem consumadas desde a fundação do mundo.
4 जेना कतौ धर्मशास्त्र मे सातम दिनक विषय मे हुनकर ई कथन छनि जे,
4 Porque ele falou em um determinado lugar do sétimo dia: E Deus repousou no sétimo dia de todas as suas obras.
5 और फेर, जेना ऊपर लिखल अछि, ओ कहैत छथि,
5 E neste lugar novamente: Não entrarão no meu repouso.
6 जे सभ पहिने शुभ समाचार सुनने छल से सभ एहि विश्राम मे प्रवेश नहि कऽ सकल, कारण ओ सभ आज्ञा नहि मानलक। मुदा ई निश्चित अछि जे किछु लोक एहि विश्राम मे सहभागी होयबे करत।
6 Vendo, portanto, que ainda há alguns que devem entrar, e que aqueles que primeiro receberam a pregação não entraram por causa da incredulidade,
7 तेँ परमेश्वर अपना विश्राम मे सहभागी होयबाक एक आओर समय निश्चित कयलनि, जकरा ओ “आइ” कहैत छथि, कारण ओ बहुत वर्ष बितला पर राजा दाऊद द्वारा ई कहैत छथि, जकर चर्चा ऊपरो कयल गेल अछि,
7 novamente, ele determina um certo dia, dizendo através de Davi: Hoje, depois de muito tempo, como está dito: Hoje, se ouvirdes a sua voz, não endureçais os vossos corações.
8 कारण, जँ यहोशू द्वारा ओकरा सभ केँ विश्राम भेटल रहितैक तँ परमेश्वर तकरा बाद फेर राजा दाऊद द्वारा दोसर दिनक चर्चा नहि कयने रहितथि।
8 Porque, se Jesus lhes houvesse dado repouso, não teria falado depois disso a respeito de um outro dia.
9 तेँ परमेश्वरक प्रजाक लेल परमेश्वरक सातम दिनक विश्राम जकाँ एकटा विशेष विश्राम एखनो बाँकी अछि।
9 Portanto, ainda resta um repouso para o povo de Deus.
10 कारण, जे केओ परमेश्वरक विश्राम मे प्रवेश कऽ लेने अछि सेहो अपन सभ काज सँ विश्राम करैत अछि जेना परमेश्वर अपन सभ काज सँ कयलनि।
10 Porque aquele que entrou no seu repouso, também cessou as suas próprias obras, assim como Deus repousou das suas.
11 तेँ अपनो सभ ओहि विश्राम मे सहभागी होयबाक लेल प्रयत्नशील रही जाहि सँ एना नहि होअय जे ओकरे सभ जकाँ आज्ञा नहि मानबाक कारणेँ ककरो पतन भऽ जाइक।
11 Esforcemo-nos, portanto, para entrar naquele repouso, a fim de que nenhum homem caia no mesmo exemplo de incredulidade.
12 कारण, परमेश्वरक वचन जीवित आ फलदायक अछि आ कोनो दूधारी तरुआरिओ सँ तेज अछि। ओ प्राण आ आत्मा, जोड़-जोड़ आ हड्डीक भीतरका गुद्दी मे छेदि कऽ ओकरा अलग-अलग कऽ दैत अछि और मोनक विचार आ भावनाक जाँच करैत अछि।
12 Porque a palavra de Deus é viva e poderosa, e mais afiada do que qualquer espada de dois gumes, penetrando até a divisão da alma e do espírito, e das juntas e medulas, e discerne os pensamentos e intenções do coração.
13 सम्पूर्ण सृष्टि मे कोनो वस्तु परमेश्वरक दृष्टि सँ नुकायल नहि अछि। जिनका लग अपना सभ केँ अपन लेखा-जोखा देबाक अछि तिनका दृष्टि मे सभ वस्तु खुलल अछि, किछु झाँपल नहि अछि।
13 E não há criatura alguma que não se manifeste à sua vista; porém todas as coisas estão nuas e abertas aos olhos daquele a quem temos de prestar contas.
14 अपना सभ केँ जखन एतेक पैघ महापुरोहित छथि, अर्थात् परमेश्वरक पुत्र यीशु, जे आकाश केँ पार कऽ स्वर्ग मे गेल छथि, तँ अबैत जाउ, आ जाहि विश्वास केँ खुलि कऽ स्वीकार करैत छी, तकरा दृढ़ता सँ पकड़ने रही।
14 Sabendo que temos um grande sumo sacerdote, que adentrou os céus, Jesus, o Filho de Deus, retenhamos firmemente a nossa fé.
15 किएक तँ अपना सभक महापुरोहित एहन नहि छथि जे अपना सभक कमजोरी मे अपना सभक संग सहानुभूति नहि राखि सकथि। ओहो सभ बात मे अपने सभ जकाँ शैतान द्वारा जाँचल गेलाह, मुदा ओ पाप नहि कयलनि।
15 Porque não temos um sumo sacerdote que não possa ser tocado com o sentimento de nossas fraquezas, porém um que em todos os pontos foi tentado, assim como nós, porém sem pecado.
16 तेँ अपना सभ निर्भयतापूर्बक परमेश्वरक सिंहासन लग, जतऽ कृपा कयल जाइत अछि, ततऽ चलू, जाहि सँ अपना सभ पर दया कयल जाय आ अपना सभ ओ कृपा पाबी जे अपना सभक आवश्यकताक समय मे सहायता करत।
16 Portanto, acheguemo-nos confiantemente ao trono da graça, para que possamos obter misericórdia e achar graça e auxílio em tempo de necessidade.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Hebreus 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.