Hebreus 11

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 विश्‍वास की अछि? विश्‍वास ओहि बात सभक पक्‍का आश्‍वासन अछि जकरा लेल आशा कयल जाइत अछि और ओहि वस्‍तु सभक अस्‍तित्‍वक विषय मे दृढ़ निश्‍चय अछि जे वस्‍तु सभ देखार नहि अछि।
1 A fé é o fundamento da esperança, é uma certeza a respeito do que não se vê.
2 विश्‍वासेक कारणेँ प्राचीन समयक भक्‍त सभ सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न भेलाह।
2 Foi ela que fez a glória dos nossos, antepassados.
3 विश्‍वासे द्वारा अपना सभ बुझैत छी जे सम्‍पूर्ण विश्‍वक सृष्‍टि परमेश्‍वरक आज्ञा द्वारा भेल, आ देखाइ पड़ऽ वला वस्‍तु सभ कोनो आन देखाइ पड़ऽ वला वस्‍तु सँ नहि रचल गेल।
3 Pela fé reconhecemos que o mundo foi formado pela palavra de Deus e que as coisas visíveis se originaram do invisível.
4 विश्‍वासेक कारणेँ हाबिल अपन भाय काइन सँ नीक बलिदान परमेश्‍वर केँ चढ़ौलनि। विश्‍वासेक कारणेँ हुनका एक धार्मिक पुरुषक रूप मे सम्‍मान भेटलनि जखन परमेश्‍वर हुनकर चढ़ौना स्‍वीकार कयलनि। हाबिल मरल होइतो अपन विश्‍वास द्वारा आइओ विश्‍वासक सम्‍बन्‍ध मे एक आवाज छथि।
4 Pela fé Abel ofereceu a Deus um sacrifício bem superior ao de Caim, e mereceu ser chamado justo, porque Deus aceitou as suas ofertas. Graças a ela é que, apesar de sua morte, ele ainda fala.
5 विश्‍वासेक कारणेँ हनोक बिनु मृत्‍युक अनुभव कयने एहि पृथ्‍वी परक जीवन सँ सशरीर ऊपर उठा लेल गेलाह। ओ फेर देखाइ नहि पड़लाह कारण परमेश्‍वर हुनका ऊपर उठा लेने छलथिन। धर्मशास्‍त्र मे हनोकक सम्‍बन्‍ध मे चर्चा कयल गेल अछि जे हुनका उठाओल जयबा सँ पहिने परमेश्‍वर हुनका सँ प्रसन्‍न छलथिन।
5 Pela fé Henoc foi arrebatado, sem ter conhecido a morte: e não foi achado, porquanto Deus o arrebatou; mas a Escritura diz que, antes de ser arrebatado, ele tinha agradado a Deus {Gn 5,24}.
6 विश्‍वासक बिना परमेश्‍वर केँ प्रसन्‍न कयनाइ असम्‍भव अछि कारण जे केओ हुनका लग आबऽ चाहैत अछि तकरा ई विश्‍वास कयनाइ आवश्‍यक छैक जे परमेश्‍वर छथि और ओ तकरा प्रतिफल दैत छथिन जे हुनकर खोज मे लगनशील अछि।
6 Ora, sem fé é impossível agradar a Deus, pois para se achegar a ele é necessário que se creia primeiro que ele existe e que recompensa os que o procuram.
7 जे बात ओहि समय तक कहियो नहि देखल गेल छल, तेहन बातक सम्‍बन्‍ध मे नूह परमेश्‍वर सँ चेतावनी पौलनि। विश्‍वासेक कारणेँ ओ परमेश्‍वरक भय मानैत हुनकर आज्ञाक अनुसार अपना परिवार केँ बचयबाक लेल एकटा जहाज बनौलनि। ओ अपन विश्‍वास द्वारा संसार केँ दोषी ठहरौलनि और ओहि धार्मिकताक उत्तराधिकारी बनलाह जे विश्‍वास पर आधारित अछि।
7 Pela fé na palavra de Deus, Noé foi avisado a respeito de acontecimentos imprevisíveis; cheio de santo temor, construiu a arca para salvar a sua família. Pela fé ele condenou o mundo e se tornou o herdeiro da justificação mediante a fé.
8 विश्‍वासेक कारणेँ अब्राहम परमेश्‍वरक आज्ञा मानलनि जखन परमेश्‍वर हुनका ओहि देश मे जयबाक लेल बजौलथिन जे देश बाद मे हुनका उत्तराधिकार मे भेटऽ वला छलनि। ओ इहो नहि जानि जे हम कतऽ जा रहल छी विदा भऽ गेलाह।
8 Foi pela fé que Abraão, obedecendo ao apelo divino, partiu para uma terra que devia receber em herança. E partiu não sabendo para onde ia.
9 जाहि देशक बारे मे परमेश्‍वर हुनका वचन देने छलाह, ताहि देश मे ओ विश्‍वासेक कारणेँ परदेशी भऽ कऽ वास कयलनि। ओ इसहाक आ याकूबक संग, जिनका सभ केँ परमेश्‍वर सेहो वैह वचन देलनि, तम्‍बू मे रहलाह।
9 Foi pela fé que ele habitou na terra prometida, como em terra estrangeira, habitando aí em tendas com Isaac e Jacó, co-herdeiros da mesma promessa.
10 कारण, ओ ओहि नगरक बाट तकैत छलाह जे कहियो नहि हटऽ वला अछि, जकर रचनिहार आ बनौनिहार परमेश्‍वर छथि।
10 Porque tinha a esperança fixa na cidade assentada sobre os fundamentos {eternos}, cujo arquiteto e construtor é Deus.
11 विश्‍वासेक कारणेँ अब्राहमक स्‍त्री, सारा, अवस्‍था ढरि गेलाक बादो गर्भधारण करबाक सामर्थ्‍य पौलनि, कारण ओ मानलनि जे वचन देबऽ वला परमेश्‍वर विश्‍वासयोग्‍य छथि।
11 Foi pela fé que a própria Sara cobrou o vigor de conceber, apesar de sua idade avançada, porque acreditou na fidelidade daquele que lhe havia prometido.
12 एहि तरहेँ एके पुरुष सँ जे मरणासन्‍न छलाह, अर्थात् अब्राहम सँ, आकाशक तरेगन जकाँ असंख्‍य और समुद्र-कातक बालु जकाँ अनगनित वंशज उत्‍पन्‍न भेल।
12 Assim, de um só homem quase morto nasceu uma posteridade tão numerosa como as estrelas do céu e inumerável como os grãos de areia da praia do mar.
13 जाहि बात सभक बारे मे परमेश्‍वर वचन देने छलाह, से बात सभ बिनु पौने ई सभ लोक विश्‍वास करितहि मरलाह मुदा ओहि बात सभ केँ दूरे सँ देखि आनन्‍दित छलाह। ई सभ खुलि कऽ मानि लेलनि जे, “ई संसार हमरा सभक वास्‍तविक घर नहि अछि; हम सभ एतऽ परदेशी भऽ रहि रहल छी।”
13 Foi na fé que todos {nossos pais} morreram. Embora sem atingir o que lhes tinha sido prometido, viram-no e o saudaram de longe, confessando que eram só estrangeiros e peregrinos sobre a terra {Gn 23,4}.
14 जे केओ एहन बात कहैत अछि से स्‍पष्‍ट देखबैत अछि जे ओ एक एहन देशक बाट ताकि रहल अछि जे ओकर अपन होइक।
14 Dizendo isto, declaravam que buscavam uma pátria.
15 ओ सभ ओहि देशक सम्‍बन्‍ध मे नहि सोचैत छलाह जाहि देश सँ ओ सभ निकलल छलाह, कारण जँ से बात रहैत तँ ओतऽ घूमि कऽ फेर जा सकैत छलाह।
15 E se se referissem àquela donde saíram, ocasião teriam de tornar a ela...
16 मुदा नहि। ओ सभ ताहि सँ उत्तम एक देश, अर्थात् “स्‍वर्ग-देश”, मे पहुँचबाक अभिलाषी छलाह। एहि कारणेँ परमेश्‍वर हुनका सभक परमेश्‍वर कहयबा मे कोनो संकोच नहि मानैत छथि। ओ तँ हुनका सभक लेल एक नगर तैयार कऽ लेने छथि।
16 Mas não. Eles aspiravam a uma pátria melhor, isto é, à celestial. Por isso, Deus não se dedigna de ser chamado o seu Deus; de fato, ele lhes preparou uma cidade.
17 परमेश्‍वर जखन अब्राहम सँ परीक्षा लेलनि तखन अब्राहम विश्‍वासेक कारणेँ परमेश्‍वरक आज्ञा मानि इसहाक केँ हुनका अर्पित कयलनि। परमेश्‍वर जिनका वचन देने छलाह से अपन एकमात्र पुत्र इसहाक केँ वेदी पर बलि चढ़यबाक लेल तैयार भेलाह,
17 Foi pela sua fé que Abraão, submetido à prova, ofereceu Isaac, seu único filho,
18 जखन कि परमेश्‍वर हुनका ई कहने छलथिन जे, “इसहाके सँ उत्‍पन्‍न वंशज तोहर वंश मानल जयतह।”
18 depois de ter recebido a promessa e ouvido as palavras: Uma posteridade com o teu nome te será dada em Isaac {Gn 21,12}.
19 अब्राहम ई मानैत छलाह जे परमेश्‍वर मृत्‍युओ मे सँ लोक केँ जीवित कऽ देबऽ मे सामर्थी छथि और एक अर्थे ओ इसहाक केँ मृत्‍यु मे सँ फेर पाबिओ लेलनि।
19 Estava ciente de que Deus é poderoso até para ressuscitar alguém dentre os mortos. Assim, ele conseguiu que seu filho lhe fosse devolvido. E isso é um ensinamento para nós!
20 विश्‍वासेक कारणेँ इसहाक अपन पुत्र सभ याकूब आ एसाव केँ भविष्‍यक सम्‍बन्‍ध मे आशीर्वाद देलथिन।
20 Foi inspirado pela fé que Isaac deu a Jacó e a Esaú uma bênção em vista de acontecimentos futuros.
21 विश्‍वासेक कारणेँ याकूब अपन अन्‍तिम समय मे यूसुफक दूनू पुत्र, अर्थात्‌ अपन पोता सभ केँ एक-एक कऽ आशीर्वाद देलथिन और अपन लाठीक सहारा लैत झुकि कऽ परमेश्‍वरक आराधना कयलनि।
21 Foi pela fé que Jacó, estando para morrer, abençoou cada um dos filhos de José e venerou a extremidade do seu bastão.
22 विश्‍वासेक कारणेँ यूसुफ अपन जीवनक अन्‍तिम समय मे इस्राएली समाजक जे मिस्र देश सँ भविष्‍य मे होमऽ वला प्रस्‍थानक बात छल तकर चर्चा कऽ ई आदेश देलनि जे “परमेश्‍वर अवश्‍य अहाँ सभ केँ बचौताह। तहिया अहाँ सभ निश्‍चित हमर शरीरक हड्डी एहि देश सँ अपना संग लऽ जायब।”
22 Foi pela fé que José, quando estava para morrer, fez menção da partida dos filhos de Israel e dispôs a respeito dos seus despojos.
23 विश्‍वासेक कारणेँ जखन मूसाक जन्‍म भेलनि तखन हुनकर माय-बाबू ई देखि जे ई एक विशेष बच्‍चा अछि, राजाक आज्ञा सँ भयभीत नहि भऽ कऽ हुनका तीन मास धरि नुका कऽ रखलनि।
23 Foi pela fé que os pais de Moisés, vendo nele uma criança encantadora, o esconderam durante três meses e não temeram o edito real.
24 विश्‍वासेक कारणेँ मूसा नमहर भेला पर राजा फरओक नाति कहायब स्‍वीकार नहि कयलनि।
24 Foi pela fé que Moisés, uma vez crescido, renunciou a ser tido como filho da filha do faraó,
25 ओ पापक क्षणिक सुख भोगबाक बदला मे परमेश्‍वरक प्रजाक संग अत्‍याचार सहनाइ चुनलनि।
25 preferindo participar da sorte infeliz do povo de Deus, a fruir dos prazeres culpáveis e passageiros.
26 ओ मिस्र देशक सम्‍पूर्ण धन-सम्‍पत्तिक अपेक्षा आबऽ वला उद्धारकर्ता-मसीहक लेल निन्‍दा सहब अधिक बहुमूल्‍य बुझलनि, कारण हुनकर नजरि भविष्‍य मे भेटऽ वला इनाम पर टिकल रहनि।
26 Com os olhos fixos na recompensa, considerava os ultrajes por amor de Cristo como um bem mais precioso que todos os tesouros dos egípcios.
27 राजाक क्रोध सँ भयभीत नहि भऽ ओ विश्‍वासेक कारणेँ मिस्र देश छोड़ि देलनि। जेना ओ अदृश्‍य परमेश्‍वर केँ देखैत होथि तेना दृढ़ बनल रहलाह।
27 Foi pela fé que deixou o Egito, não temendo a cólera do rei, com tanta segurança como estivesse vendo o invisível.
28 विश्‍वासेक कारणेँ ओ फसह-पाबनि स्‍थापित कयलनि और केबाड़क चौकठि पर खून लगौलनि, जाहि सँ जेठ सन्‍तान केँ विनाश करऽ वला दूत इस्राएली सभ पर अपन हाथ नहि बढ़बथि।
28 Foi pela fé que mandou celebrar a Páscoa e aspergir {os portais} com sangue, para que o anjo exterminador dos primogênitos poupasse os dos filhos de Israel.
29 विश्‍वासेक कारणेँ इस्राएली सभ लाल सागर केँ तेना पार कयलक जेना ओ सुखल भूमि होइक, मुदा जखन मिस्री लोक ओहिना करऽ चाहलक तँ ओ सभ लाल सागरक पानि मे डुबि कऽ मरि गेल।
29 Foi pela fé que os fez atravessar o mar Vermelho, como por terreno seco, ao passo que os egípcios que se atreveram a persegui-los foram afogados.
30 विश्‍वासेक कारणेँ यरीहो नगर केँ चारू कात सँ घेरऽ वला देवाल ढहि गेल जखन इस्राएली लोक सभ सात दिन धरि ओकर परिक्रमा कयलक।
30 Foi pela fé que desabaram as muralhas de Jericó, depois de rodeadas por sete dias.
31 विश्‍वासेक कारणेँ राहाब नामक वेश्‍या परमेश्‍वरक आज्ञा नहि मानऽ वला यरीहो नगरक अन्‍य लोक सभक संग नष्‍ट नहि कयल गेलीह, कारण ओ इस्राएली भेदिया सभ केँ दुश्‍मन नहि मानि स्‍वागत-सत्‍कार कयलनि।
31 Foi pela fé que Raab, a meretriz, não pereceu com aqueles que resistiram, por ter dado asilo aos espias.
32 एहि सँ बेसी हम आओर की कहू? गिदोन, बाराक, शिमशोन, यिप्‍ताह, दाऊद, शमूएल आ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक चर्चा करबाक एखन समय नहि अछि।
32 Que mais direi? Faltar-me-á o tempo, se falar de Gedeão, Barac, Sansão, Jefté, Davi, Samuel e dos profetas.
33 ई सभ विश्‍वासे द्वारा राज्‍य सभ केँ अपन अधीन कयलनि, न्‍यायक संग शासन कयलनि, ओ बात सभ प्राप्‍त कयलनि जाहि बातक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर वचन देने छलाह। ई सभ सिंह सभक मुँह बन्‍द कऽ,
33 Graças à sua fé conquistaram reinos, praticaram a justiça, viram se realizar as promessas. Taparam bocas de leões,
34 धधकैत आगि केँ मिझा कऽ आ तरुआरिक धार सँ बाँचि कऽ सुरक्षित रहलाह। ई सभ निर्बलता मे बलवन्‍त कयल गेलाह और युद्ध मे सामर्थी भऽ आन-आन देशक सेना सभ केँ भगौलनि।
34 extinguiram a violência do fogo, escaparam ao fio de espada, triunfaram de enfermidades, foram corajosos na guerra e puseram em debandada exércitos estrangeiros.
35 स्‍त्रीगण सभ अपन प्रिय लोक केँ मृत्‍यु सँ फेर जीवित पौलनि।
35 Devolveram vivos às suas mães os filhos mortos. Alguns foram torturados, por recusarem ser libertados, movidos pela esperança de uma ressurreição mais gloriosa.
36 परीक्षा सहैत किछु लोक केँ उपहासक पात्र बनऽ पड़ल, कोड़ाक मारि खाय पड़ल, और जंजीर सँ बन्‍हा कऽ जहल मे रहऽ पड़ल।
36 Outros sofreram escárnio e açoites, cadeias e prisões.
37 किछु लोक केँ पथरबाहि कऽ कऽ मारल गेलनि। किछु केँ आरी सँ चीरि कऽ दू फाँक कऽ देल गेलनि। किछु लोक केँ तरुआरि सँ वध कयल गेलनि। किछु लोक गरीबी, अत्‍याचार आ दुर्व्‍यवहार सहैत भेँड़ा और बकरीक छाल ओढ़ने घुमैत छलाह।
37 Foram apedrejados, massacrados, serrados ao meio, mortos a fio de espada. Andaram errantes, vestidos de pele de ovelha e de cabra, necessitados de tudo, perseguidos e maltratados,
38 संसार हुनका सभक जोगरक नहि छल। हुनका सभ केँ निर्जन क्षेत्र मे, पहाड़ पर, गुफा मे और खधिया मे शरण लेबऽ पड़लनि।
38 homens de que o mundo não era digno! Refugiaram-se nas solidões das montanhas, nas cavernas e em antros subterrâneos.
39 विश्‍वासेक कारणेँ एहि सभ लोक सँ परमेश्‍वर प्रसन्‍न भेलाह, मुदा तैयो हिनका सभ केँ ओ बात सभ नहि भेटलनि जाहि सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर वचन देने छलथिन।
39 E, no entanto, todos estes mártires da fé não conheceram a realização das promessas!
40 कारण, परमेश्‍वर अपना सभक लेल एहि सँ उत्तम एक योजना बनौने छलाह, आ से ई अछि जे, मात्र अपना सभक संग हुनका सभ केँ पूर्ण सिद्धता भेटतनि।
40 Porque Deus, que tinha para nós uma sorte melhor, não quis que eles chegassem sem nós à perfeição {da felicidade}.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Hebreus 11, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.