Hebreus 10

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 धर्म-नियम मे जे भेटैत अछि, से आबऽ वला नीक बात सभक वास्‍तविक स्‍वरूप नहि, बल्‍कि तकर छाया मात्र अछि। तेँ धर्म-नियमक व्‍यवस्‍था साले-साल चढ़ाओल जाय वला एके तरहक बलिदान सभ द्वारा आराधना करऽ वला सभ केँ सिद्ध नहि कऽ सकैत अछि।
1 A lei, por ser apenas a sombra dos bens futuros, não sua expressão real, é de todo impotente para aperfeiçoar aqueles que assistem aos sacrifícios que se renovam indefinidamente cada ano.
2 जँ से बात होइत तँ की ओ बलिदान सभ बन्‍द नहि भऽ गेल रहैत? आराधना कयनिहार सभ एके बेर मे शुद्ध भऽ गेल रहैत आ ओकरा सभक विवेक फेर ओकरा सभ केँ दोषी नहि ठहरबैत रहितैक।
2 Realmente, se os fiéis, uma vez purificados, não tivessem mais pecado algum na consciência, não teriam cessado de oferecê-los?
3 मुदा ठीक एकर विपरीत होइत अछि। एहि बलिदान सभ द्वारा प्रति वर्ष पाप सभक स्‍मरण दिआओल जाइत अछि।
3 Pelo contrário, pelos sacrifícios se renova cada ano a memória dos pecados.
4 किएक तँ ई असम्‍भव अछि जे साँढ़ आ छागरक खून पाप केँ मेटाबय।
4 Pois é impossível que o sangue de touros e de carneiros tire pecados.
5 तेँ मसीह संसार मे अयबाक समय मे परमेश्‍वर केँ कहलथिन,
5 Eis por que, ao entrar no mundo, Cristo diz: Não quiseste sacrifício nem oblação, mas me formaste um corpo.
6 अहाँ होम-बलि आ पाप-बलि सँ प्रसन्‍न नहि छलहुँ।
6 Holocaustos e sacrifícios pelo pecado não te agradam.
7 तखन हम कहलहुँ जे, ‘हे परमेश्‍वर, जहिना धर्मशास्‍त्र मे हमरा सम्‍बन्‍ध मे लिखल अछि,
7 Então eu disse: Eis que venho {porque é de mim que está escrito no rolo do livro}, venho, ó Deus, para fazer a tua vontade {Sl 39,7ss}.
8 ऊपर कहल बात मे मसीहक कथन छनि जे, “अहाँ ने बलिदान, ने चढ़ौना, ने होम-बलि आ ने पाप-बलि चाहलहुँ और ने ओहि सभ सँ प्रसन्‍न छलहुँ,” जखन कि धर्म-नियमेक अनुसार ओ सभ चढ़ाओल जाइत छल।
8 Disse primeiro: Tu não quiseste, tu não recebeste com agrado os sacrifícios nem as ofertas, nem os holocaustos, nem as vítimas pelo pecado {quer dizer, as imolações legais}.
9 ओ फेर आगाँ कहैत छथि जे, “देखू, हम अहाँक इच्‍छा पूरा करबाक लेल आयल छी।” एहि तरहेँ ओ पहिल व्‍यवस्‍था केँ समाप्‍त कयलनि जाहि सँ दोसर केँ स्‍थापित करथि।
9 Em seguida, ajuntou: Eis que venho para fazer a tua vontade. Assim, aboliu o antigo regime e estabeleceu uma nova economia.
10 और परमेश्‍वरक ओही इच्‍छा द्वारा अपना सभ यीशु मसीहक शरीरक बलिदान सँ, जे सदाकालक लेल एके बेर सम्‍पन्‍न भेल, पवित्र कयल गेल छी।
10 Foi em virtude desta vontade de Deus que temos sido santificados uma vez para sempre, pela oblação do corpo de Jesus Cristo.
11 प्रत्‍येक पुरोहित दिन-प्रतिदिन ठाढ़ भऽ कऽ अपन सेवाक काज करैत छथि आ एके तरहक बलिदान बेर-बेर चढ़बैत छथि, जे बलिदान पाप केँ कहियो नहि मेटा सकैत अछि।
11 Enquanto todo sacerdote se ocupa diariamente com o seu ministério e repete inúmeras vezes os mesmos sacrifícios que, todavia, não conseguem apagar os pecados,
12 मुदा ई पुरोहित, अर्थात्‌ मसीह, पापक वास्‍ते सदाक लेल एकेटा बलिदान चढ़ा कऽ परमेश्‍वरक दहिना कात बैसलाह।
12 Cristo ofereceu pelos pecados um único sacrifício e logo em seguida tomou lugar para sempre à direita de Deus,
13 ओ ओही समय सँ एहि बातक प्रतीक्षा कऽ रहल छथि जे हुनकर शत्रु सभ केँ हुनका पयरक नीचाँ राखि देल जानि।
13 onde espera de ora em diante que os seus inimigos sejam postos por escabelo dos seus pés {Sl 109,1}.
14 कारण, ओ अपन एकमात्र बलिदान द्वारा तकरा सभ केँ सदाक लेल सिद्ध कऽ देलनि जे सभ पवित्र कयल जा रहल अछि।
14 Por uma só oblação ele realizou a perfeição definitiva daqueles que recebem a santificação.
15 परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा सेहो एहि विषय मे धर्मशास्‍त्र मे अपना सभ केँ गवाही दैत पहिने ई कहैत छथि,
15 É o que nos confirma o testemunho do Espírito Santo. Depois de ter dito:
16 “प्रभु कहैत छथि जे, आबऽ वला समय मे
16 Eis a aliança que, depois daqueles dias, farei com eles - oráculo do Senhor: imprimirei as minhas leis nos seus corações e as escreverei no seu espírito,
17 फेर ओ आगाँ कहैत छथि जे,
17 acrescenta: dos seus pecados e das suas iniqüidades já não mais me lembrarei {Jr 31,33s}.
18 क्षमा जखन भऽ गेल अछि तखन पापक लेल बलि-प्रदानक आवश्‍यकता नहि रहल।
18 Ora, onde houve plena remissão dos pecados não há por que oferecer sacrifício por eles.
19 एहि कारणेँ, यौ भाइ लोकनि, यीशुक खून द्वारा अपना सभ केँ सोझे परमपवित्र स्‍थान मे निडर भऽ कऽ जयबाक साहस अछि।
19 Por esse motivo, irmãos, temos ampla confiança de poder entrar no santuário eterno, em virtude do sangue de Jesus,
20 कारण, ओ अपना शरीरक बलिदान द्वारा अपना सभक लेल ओहि परदा बाटे नव आ जीवित रस्‍ता खोलि देलनि।
20 pelo caminho novo e vivo que nos abriu através do véu, isto é, o caminho de seu próprio corpo.
21 संगहि अपना सभक एहन महान्‌ पुरोहित छथि जे परमेश्‍वरक घरक अधिकारी छथि,
21 E dado que temos um Sumo-sacerdote estabelecido sobre a casa de Deus,
22 तेँ आउ, निष्‍कपट मोन सँ पूर्ण विश्‍वास आ भरोसाक संग परमेश्‍वर लग चली, ई जानि जे हृदय पर मसीहक खून छिटल गेला सँ अपना सभक भितरी मोन सभ दोष सँ शुद्ध भऽ गेल अछि आ शरीर शुद्ध पानि सँ साफ भऽ गेल अछि।
22 acheguemo-nos a ele com coração sincero, com plena firmeza da fé, o mais íntimo da alma isento de toda mácula de pecado e o corpo lavado com a água purificadora {do batismo}.
23 अपना सभ जाहि आशा पर खुलि कऽ विश्‍वास रखने छी ताहि आशा केँ दृढ़ता सँ पकड़ने रही, कारण, जे अपना सभ केँ वचन देने छथि से विश्‍वासयोग्‍य छथि।
23 Conservemo-nos firmemente apegados à nossa esperança, porque é fiel aquele cuja promessa aguardamos.
24 प्रेम आ भलाइक काज करऽ मे अपना सभ एक-दोसर केँ कोना प्रेरित कऽ सकी ताहि पर ध्‍यान राखी।
24 Olhemos uns pelos outros para estímulo à caridade e às boas obras.
25 अपना सभ एक संग जमा भेनाइ नहि छोड़ी जेना कि किछु लोकक आदत अछि, बल्‍कि एक-दोसर केँ प्रोत्‍साहित करैत रही, विशेष कऽ आब जखन देखैत छी जे ओ दिन लगचिआ गेल अछि जहिया यीशु फेर औताह।
25 Não abandonemos a nossa assembléia, como é costume de alguns, mas admoestemo-nos mutuamente, e tanto mais quando vedes aproximar-se o Grande Dia.
26 कारण जँ अपना सभ सत्‍यक ज्ञान प्राप्‍त कयलाक बादो जानि-बुझि कऽ पाप करैत रहब तँ फेर पापक प्रायश्‍चित्तक लेल कोनो बलिदान बाँचल नहि रहल।
26 Depois de termos recebido e conhecido a verdade, se a abandonarmos voluntariamente, já não haverá sacrifício para expiar este pecado.
27 बल्‍कि एतबे बाँचल रहल जे अपना सभ भयभीत भऽ न्‍यायक प्रतीक्षा आ ओहि भीषण आगिक प्रतीक्षा करी जे परमेश्‍वरक विरोधी सभ केँ भस्‍म कऽ देत।
27 Só teremos que esperar um juízo tremendo e o fogo ardente que há de devorar os rebeldes.
28 जे केओ मूसा द्वारा देल गेल धर्म-नियमक उल्‍लंघन करैत छल तकरा दू वा तीन लोकक गवाही सँ बिना कोनो दया देखौने मृत्‍युदण्‍ड दऽ देल जाइत छल।
28 Se alguém transgredir a Lei de Moisés - e isto provado com duas ou três testemunhas -, deverá ser morto sem misericórdia.
29 आब सोचू, जे केओ परमेश्‍वरक पुत्रक अनादर कयने अछि, जे केओ ओहि खून केँ, जाहि द्वारा परमेश्‍वर आ हुनकर लोकक बीच नव सम्‍बन्‍ध स्‍थापित कयल गेल आ जाहि खून द्वारा ओ स्‍वयं पवित्र कयल गेल, तकरा तुच्‍छ बुझने अछि, आ जे केओ परमेश्‍वरक दयावान पवित्र आत्‍मा केँ अपमानित कयने अछि तकरा की होयतैक? एहन लोक आरो कतेक भयंकर दण्‍ड भोगबाक योग्‍य भेल!
29 Quanto pior castigo julgais que merece quem calcar aos pés o Filho de Deus, profanar o sangue da aliança, em que foi santificado, e ultrajar o Espírito Santo, autor da graça!
30 कारण, अपना सभ तिनका चिन्‍हैत छियनि जे ई कहलनि, “बदला लेब हमरे काज अछि; हमहीं प्रतिफल देब।” और फेर इहो जे, “प्रभु अपन लोकक न्‍याय करताह।”
30 Pois bem sabemos quem é que disse: Minha é a vingança; eu a exercerei {Dt 32,35}. E ainda: O Senhor julgará o seu povo {Sl 134,14}.
31 जीवित परमेश्‍वरक हाथ मे पड़नाइ भयंकर बात अछि।
31 É horrendo cair nas mãos de Deus vivo.
32 बितल समयक स्‍मरण करू जहिया इजोत प्राप्‍त कयलाक बाद अहाँ सभ महा कष्‍टक संघर्ष मे स्‍थिर रहलहुँ।
32 Lembrai-vos dos dias de outrora, logo que fostes iluminados. Quão longas e dolorosas lutas sustentastes.
33 कहियो-कहियो अहाँ सभ निन्‍दा आ अत्‍याचार द्वारा लोकक सम्‍मुख तमाशा बनलहुँ और कहियो-कहियो ओहने संकट मे पड़ल लोक केँ देखि अहाँ सभ स्‍वेच्‍छा सँ हुनका सभ केँ संग देलहुँ।
33 Seja tornando-vos alvo de toda espécie de opróbrios e humilhações, seja tomando moralmente parte nos sofrimentos daqueles que os tiveram que suportar.
34 अहाँ सभ जहल मे राखल गेल लोकक संग सहानुभूति रखलहुँ, और अहाँ सभक धन-सम्‍पत्ति जखन लुटि लेल गेल तँ तकरा खुशी सँ बरदास्‍त कयलहुँ, कारण अहाँ सभ केँ बुझल छल जे अहाँ सभ लग एहि सँ नीक और टिकऽ वला सम्‍पत्ति अछि।
34 Não só vos compadecestes dos encarcerados, mas aceitastes com alegria a confiscação dos vossos bens, pela certeza de possuirdes riquezas muito melhores e imperecíveis.
35 तेँ अपन साहस नहि छोड़ू, कारण एकर प्रतिफल बहुत पैघ होयत।
35 Não percais esta convicção a que está vinculada uma grande recompensa,
36 अहाँ सभ केँ स्‍थिर रहनाइ अति आवश्‍यक अछि जाहि सँ परमेश्‍वरक इच्‍छा पूरा कऽ कऽ अहाँ सभ ओ बात सभ प्राप्‍त करी जकरा बारे मे परमेश्‍वर वचन देने छथि।
36 pois vos é necessária a perseverança para fazerdes a vontade de Deus e alcançardes os bens prometidos.
37 कारण, जेना धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि,
37 Ainda um pouco de tempo - sem dúvida, bem pouco -, e o que há de vir virá e não tardará.
38 हमर धार्मिक लोक विश्‍वास करैत जीवित रहत
38 Meu justo viverá da fé. Porém, se ele desfalecer, meu coração já não se agradará dele {Hab 2,3s}.
39 पाछाँ हटि कऽ विनाश होमऽ वला सभ मे सँ अपना सभ नहि छी, बल्‍कि विश्‍वास करैत उद्धार पौनिहार सभ मे सँ छी।
39 Não somos, absolutamente, de perder o ânimo para nossa ruína; somos de manter a fé, para nossa salvação!

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Hebreus 10, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.