Gálatas 6

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 यौ भाइ लोकनि, जँ केओ कोनो गलत काज मे पड़ि जाय तँ अहाँ सभ जे परमेश्‍वरक आत्‍माक निर्देशन अनुसार चलैत छी से ओकरा नम्रतापूर्बक ठीक रस्‍ता पर घूमि अयबाक लेल सहायता करू। मुदा अहाँ सावधान रहू जे कतौ अहूँ प्रलोभन मे ने पड़ि जाइ।
1 Irmãos, se alguém for surpreendido em alguma falta, vocês, que são espirituais, restaurem essa pessoa com espírito de brandura. E que cada um tenha cuidado para que não seja também tentado.
2 एक दोसराक भार उठाउ। एहि तरहेँ अहाँ सभ मसीहक नियम पूरा करब।
2 Levem as cargas uns dos outros e, assim, estarão cumprindo a lei de Cristo.
3 किएक तँ जँ केओ किछु नहि रहितो अपना केँ किछु बुझैत अछि तँ ओ अपना केँ धोखा दैत अछि।
3 Porque, se alguém julga ser alguma coisa, não sendo nada, engana a si mesmo.
4 प्रत्‍येक मनुष्‍य अपने काजक जाँच करय। तखन बिनु अपना केँ दोसर सँ तुलना कयने ओ अपन कयल काज सँ गर्व कऽ सकत।
4 Mas que cada um examine o seu próprio modo de agir e, então, terá motivo de gloriar-se unicamente em si e não em outro.
5 किएक तँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति केँ अपन बोझ स्‍वयं उठाबऽ पड़ैत छैक।
5 Porque cada um levará o seu próprio fardo.
6 जे परमेश्‍वरक वचनक शिक्षा पाबि रहल अछि से अपन सभ प्रकारक नीक वस्‍तु सभ मे सँ अपना शिक्षक केँ सेहो देअय।
6 Mas aquele que está sendo instruído na palavra compartilhe todas as coisas boas com aquele que o instrui.
7 धोखा नहि खाउ! परमेश्‍वर ठट्ठा मे नहि उड़ाओल जाइत छथि। मनुष्‍य जे बाउग करत सैह कटनी करत।
7 Não se enganem: de Deus não se zomba. Pois aquilo que a pessoa semear, isso também colherá.
8 किएक तँ जे अपन पापी स्‍वभावक इच्‍छानुसार बाउग करैत अछि, से पापी स्‍वभावक द्वारा विनाशक कटनी करत। मुदा जे परमेश्‍वरक आत्‍माक इच्‍छानुसार बाउग करैत अछि, से परमेश्‍वरक आत्‍मा द्वारा अनन्‍त जीवनक कटनी करत।
8 Quem semeia para a sua própria carne, da carne colherá corrupção; mas quem semeia para o Espírito, do Espírito colherá vida eterna.
9 अपना सभ भलाइक काज करऽ सँ थाकी नहि, किएक तँ जँ अपना सभ हिम्‍मत नहि हारब तँ उचित समय पर कटनी काटब।
9 E não nos cansemos de fazer o bem, porque no tempo certo faremos a colheita, se não desanimarmos.
10 एहि लेल जतऽ धरि अवसर भेटय, सभक लेल भलाइ करी, विशेष रूप सँ तिनका सभक लेल जे सभ विश्‍वासक कारणेँ अपना सभक भाय-बहिन छथि।
10 Por isso, enquanto tivermos oportunidade, façamos o bem a todos, mas principalmente aos da família da fé.
11 देखू, कतेक बड़का-बड़का अक्षर मे हम एखन अपने हाथ सँ अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी।
11 Vejam com que letras grandes escrevi a vocês de próprio punho.
12 जे सभ बाहरी बात मे लोक केँ प्रभावित करऽ चाहैत अछि सैह सभ अहाँ सभ केँ खतना करयबाक लेल बाध्‍य करैत अछि। ओ सभ ई मात्र एहि लेल करैत अछि जे मसीहक क्रूसक कारणेँ ओकरा सभ केँ अत्‍याचार नहि सहऽ पड़ैक।
12 Todos os que querem ostentar-se na carne, esses querem obrigar vocês a se deixarem circuncidar, e agem assim somente para não serem perseguidos por causa da cruz de Cristo.
13 किएक तँ जकरा सभक खतना भेल अछि से सभ स्‍वयं तँ धर्म-नियमक पालन नहि करैत अछि। ओ सभ अहाँ सभक खतना कराबऽ चाहैत अछि जाहि सँ अहाँ सभक शरीर मे एहि धर्म-विधि केँ स्‍वीकार करा कऽ गर्व कऽ सकय।
13 Pois nem mesmo os que se deixam circuncidar guardam a lei, mas querem apenas que vocês se submetam à circuncisão para que eles possam se gloriar na carne de vocês.
14 मुदा ई किन्‍नहुँ नहि होअय जे हम अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक क्रूस केँ छोड़ि कऽ कोनो आन बात पर गर्व करी। मसीहक क्रूस परक मृत्‍यु द्वारा संसार हमरा लेखेँ मरि गेल अछि आ संसारक लेखेँ हम मरि गेल छी।
14 Mas longe de mim gloriar-me, senão na cruz de nosso Senhor Jesus Cristo, pela qual o mundo está crucificado para mim, e eu estou crucificado para o mundo.
15 किएक तँ ककरो खतना भेल होइक वा खतना नहि भेल होइक तकर कोनो महत्‍व नहि अछि। महत्‍व एहि बातक अछि जे, केओ पूर्ण रूप सँ नव सृष्‍टि बनि जाय।
15 Pois nem a circuncisão é coisa alguma, nem a incircuncisão, mas o ser nova criatura.
16 जतेक लोक एहि नियम पर चलैत छथि तिनका सभ पर, अर्थात् परमेश्‍वरक असली प्रजा पर, शान्‍ति और दया होइत रहय।
16 E, a todos os que andarem em conformidade com esta regra, paz e misericórdia sejam sobre eles e sobre o Israel de Deus.
17 ई पत्र समाप्‍त करैत हम अहाँ सभ सँ विनती करैत छी जे आब हमरा केओ आओर कष्‍ट नहि दिअ। किएक तँ हमरा शरीर परक घाव सभक चेन्‍ह द्वारा यीशुक छाप हमरा मे स्‍पष्‍ट अछि।
17 Quanto ao mais, ninguém me moleste; porque eu trago no corpo as marcas de Jesus.
18 यौ भाइ लोकनि, अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँ सभक आत्‍मा मे बनल रहय। आमीन।
18 A graça de nosso Senhor Jesus Cristo esteja com o espírito de vocês, irmãos. Amém!

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Gálatas 6, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.