Gálatas 4
jivən səndesh (MAI) vs ARIB
1 हमर कहबाक तात्पर्य ई अछि जे जाबत धरि उत्तराधिकारी नाबालिग अछि ताबत धरि ओ समस्त सम्पत्तिक मालिक होइतो ओकरा मे आ गुलाम मे कोनो अन्तर नहि रहैत अछि।
1 Ora, digo que por todo o tempo em que o herdeiro é menino, em nada difere de um servo, ainda que seja senhor de tudo;
2 ओ पिता द्वारा निर्धारित समय धरि संरक्षक सभक आ घर-व्यवहारक प्रबन्ध कयनिहार सभक अधीन रहैत अछि।
2 mas está debaixo de tutores e curadores até o tempo determinado pelo pai.
3 एही तरहेँ अपनो सभ जाबत धरि नाबालिग छलहुँ ताबत धरि संसारक प्रारम्भिक सिद्धान्त सभक गुलाम बनल छलहुँ।
3 Assim também nós, quando éramos meninos, estávamos reduzidos à servidão debaixo dos rudimentos do mundo;
4 मुदा निर्धारित समय आबि गेला पर परमेश्वर अपना पुत्र केँ पठौलनि। हुनकर जन्म एक स्त्री सँ आ धर्म-नियमक अधीन भेलनि,
4 mas, vindo a plenitude dos tempos, Deus enviou seu Filho, nascido de mulher, nascido debaixo de lei,
5 जाहि सँ ओ मूल्य चुका कऽ धर्म-नियमक अधीन रहऽ वला लोक सभ केँ छुटकारा दिअबथि, आ जाहि सँ छुटकारा पाबि कऽ अपना सभ परमेश्वरक पुत्रक पूरा हक पाबि सकी।
5 para resgatar os que estavam debaixo de lei, a fim de recebermos a adoção de filhos.
6 आब अहाँ सभ पुत्र छी आ तेँ परमेश्वर अपना सभक हृदय मे अपन पुत्रक आत्मा केँ पठौने छथि। वैह आत्मा ई कहैत पुकार करैत छथि जे, “हे बाबूजी! हे पिता!”
6 E, porque sois filhos, Deus enviou aos nossos corações o Espírito de seu Filho, que clama: Aba, Pai.
7 एहि लेल आब अहाँ सभ गुलाम नहि, बल्कि पुत्र छी आ जखन पुत्र छी तँ परमेश्वर द्वारा उत्तराधिकारी सेहो बनाओल गेल छी।
7 Portanto já não és mais servo, mas filho; e se és filho, és também herdeiro por Deus.
8 पहिने, जखन अहाँ सभ परमेश्वर केँ नहि चिन्हैत छलहुँ, तखन अहाँ सभ एहन देवता सभक गुलाम छलहुँ जे वास्तव मे देवता अछिए नहि।
8 Outrora, quando não conhecíeis a Deus, servíeis aos que por natureza não são deuses;
9 मुदा आब तँ अहाँ सभ परमेश्वर केँ चिन्हि लेने छी वा एना कही जे परमेश्वर अहाँ सभ केँ चिन्हि लेने छथि, तखन फेर अहाँ सभ ओहि निर्बल आ तुच्छ सिद्धान्त सभक दिस कोना फिरि रहल छी? की अहाँ सभ फेर ओकर गुलाम होमऽ चाहैत छी?
9 agora, porém, que já conheceis a Deus, ou, melhor, sendo conhecidos por Deus, como tornais outra vez a esses rudimentos fracos e pobres, aos quais de novo quereis servir?
10 अहाँ सभ आब विशेष दिन, महिना, ऋतु आ वर्षक पाबनिक नियम मानऽ लागल छी!
10 Guardais dias, e meses, e tempos, e anos.
11 हमरा डर भऽ रहल अछि जे कतौ अहाँ सभक लेल कयल गेल हमर परिश्रम व्यर्थ ने भेल होअय।
11 Temo a vosso respeito não haja eu trabalhado em vão entre vós.
12 यौ भाइ लोकनि, हम अहाँ सभ सँ हाथ जोड़ि कऽ विनती करैत छी जे एहि बात सभक विषय मे जहिना हम छी तहिना अहूँ सभ बनू, किएक तँ जहिना अहाँ सभ पहिने धर्म-नियमक अधीनता सँ स्वतन्त्र छलहुँ तहिना हमहूँ स्वतन्त्र भऽ गेल छी।
12 Irmãos, rogo-vos que vos torneis como eu, porque também eu me tornei como vós. Nenhum mal me fizestes;
13 अहाँ सभ जनैत छी जे अहाँ सभक बीच पहिल बेर शुभ समाचार सुनयबाक अवसर हमरा अस्वस्थ होयबाक कारणेँ भेटल छल।
13 e vós sabeis que por causa de uma enfermidade da carne vos anunciei o evangelho a primeira vez,
14 ओना तँ हमर शरीरक दुर्बलता अहाँ सभक लेल कष्टक कारण छल, तैयो अहाँ सभ हमरा हेय दृष्टि सँ नहि देखलहुँ आ ने हमरा प्रति घृणा प्रगट कयलहुँ, बल्कि अहाँ सभ हमर एहन स्वागत कयलहुँ जेना हम परमेश्वरक एक स्वर्गदूत वा स्वयं मसीह यीशु होइ।
14 e aquilo que na minha carne era para vós uma tentação, não o desprezastes nem o repelistes, antes me recebestes como a um anjo de Deus, mesmo como a Cristo Jesus.
15 आब अहाँ सभक आनन्दक ओ भावना कतऽ चल गेल? एहि बातक गवाही हम अपने दऽ सकैत छी जे जँ सम्भव होइत तँ अहाँ सभ अपन आँखि तक निकालि कऽ हमरा दऽ देने रहितहुँ।
15 Onde está, pois, aquela vossa satisfação? Porque vos dou testemunho de que, se possível fora, teríeis arrancado os vossos olhos, e mos teríeis dado.
16 की अहाँ सभ केँ सत्य कहबाक कारणेँ हम अहाँ सभक दुश्मन बनि गेल छी?
16 Tornei-me acaso vosso inimigo, porque vos disse a verdade?
17 जे सभ अहाँ सभ केँ धर्म-नियमक अधीन कराबऽ चाहैत अछि से सभ अहाँ सभ पर विशेष ध्यान दैत अछि मुदा नीक उद्देश्य सँ नहि। ओ सभ अहाँ सभ केँ हमरा सभ सँ दूर करऽ चाहैत अछि जाहि सँ अहाँ सभ ओकरा सभ पर विशेष ध्यान दिऐक।
17 Eles vos procuram zelosamente não com bons motivos, mas querem vos excluir, para que zelosamente os procureis a eles.
18 ककरो पर विशेष ध्यान देनाइ बढ़ियाँ बात अछि जँ उद्देश्य नीक अछि तँ, आ से तखने नहि कयल जयबाक चाही जखन हम अहाँ सभक संग छी, बल्कि सदिखन।
18 No que é bom, é bom serdes sempre procurados, e não só quando estou presente convosco.
19 यौ हमर बौआ सभ, जाबत धरि मसीहक स्वरूप अहाँ सभ मे नहि बनि जायत, ताबत धरि हम अहाँ सभक लेल फेर प्रसव-पीड़ा सहि रहल छी।
19 Meus filhinhos, por quem de novo sinto as dores de parto, até que Cristo seja formado em vós;
20 हमरा कतेक मोन होइत अछि जे हम एखन अहाँ सभक बीच रहितहुँ, तखन एहि तरहेँ बात नहि करऽ पड़ैत। अहाँ सभक व्यवहार हमरा एकदम बुझऽ मे नहि अबैत अछि।
20 eu bem quisera estar presente convosco agora, e mudar o tom da minha voz; porque estou perplexo a vosso respeito.
21 अहाँ सभ जे धर्म-नियमक अधीन रहऽ चाहैत छी से हमरा ई कहू—की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे धर्म-नियम की कहैत अछि?
21 Dizei-me, os que quereis estar debaixo da lei, não ouvis vós a lei?
22 ओहि मे लिखल अछि जे अब्राहम केँ दूटा पुत्र छलनि, एकटा ⌞हागार नामक⌟ दासी सँ आ दोसर अपन स्त्री सँ जे दासी नहि, बल्कि स्वतन्त्र छलीह।
22 Porque está escrito que Abraão teve dois filhos, um da escrava, e outro da livre.
23 दासी सँ जन्मल हुनकर पुत्र प्राकृतिक सीमाक अन्तर्गत जन्मल, मुदा स्वतन्त्र स्त्री सँ जे पुत्र भेलनि से परमेश्वरक देल वचनक कारणेँ जन्म लेलक।
23 Todavia o que era da escrava nasceu segundo a carne, mas, o que era da livre, por promessa.
24 ई बात सभ दृष्टान्तक रूप मे बुझल जा सकैत अछि—ई दूटा स्त्रीगण दूटा विशेष सम्बन्ध पर संकेत करैत अछि जे परमेश्वर अपना लोकक संग स्थापित कयलनि। एक स्त्री, हागार, सीनय पहाड़ पर स्थापित कयल विशेष सम्बन्ध पर संकेत करैत अछि जे धर्म-नियम पर केन्द्रित अछि। एहि सम्बन्धक अधीन रहऽ वला सभ लोक गुलाम होइत अछि जहिना हागारक बच्चा छल।
24 O que se entende por alegoria: pois essas mulheres são dois pactos; um do monte Sinai, que dá à luz filhos para a servidão, e que é Agar.
25 हागार जे अरब देशक सीनय पहाड़ पर संकेत करैत अछि तकर तुलना एहि पृथ्वी परक वर्तमान यरूशलेम सँ कयल जा सकैत अछि, किएक तँ यरूशलेम अपन सन्ततिक संग, ⌞अर्थात् यहूदी सभक संग,⌟ धर्म-नियमक गुलाम अछि।
25 Ora, esta Agar é o monte Sinai na Arábia e corresponde à Jerusalém atual, pois é escrava com seus filhos.
26 मुदा स्वर्गक यरूशलेम स्वतन्त्र स्त्री जकाँ स्वतन्त्र अछि आ वैह अपना सभक माय अछि।
26 Mas a Jerusalém que é de cima é livre; a qual é nossa mãe.
27 किएक तँ धर्मशास्त्रक लेख अछि जे,
27 Pois está escrito: Alegra-te, estéril, que não dás à luz; esforça-te e clama, tu que não estás de parto; porque mais são os filhos da desolada do que os da que tem marido.
28 यौ भाइ लोकनि, इसहाक जकाँ अहाँ सभ परमेश्वरक देल वचनक अनुसार जन्मल सन्तान छी।
28 Ora vós, irmãos, sois filhos da promessa, como Isaque.
29 मुदा जहिना ओहि समय मे प्राकृतिक परिस्थिति मे जन्मल बेटा परमेश्वरक आत्माक सामर्थ्य द्वारा जन्मल बेटा केँ सतबैत छल, तहिना आइओ भऽ रहल अछि।
29 Mas, como naquele tempo o que nasceu segundo a carne perseguia ao que nasceu segundo o Espírito, assim é também agora.
30 परन्तु धर्मशास्त्र की कहैत अछि? ई कहैत अछि जे, “दासी आ ओकरा बेटा केँ घर सँ बाहर निकालि दिअ, किएक तँ दासीक बेटा स्वतन्त्र स्त्रीक बेटाक संग उत्तराधिकारक हिस्सेदार नहि होयत।”
30 Que diz, porém, a Escritura? Lança fora a escrava e seu filho, porque de modo algum o filho da escrava herdará com o filho da livre.
31 एहि लेल यौ भाइ लोकनि, अपना सभ दासीक सन्तान नहि छी ⌞जे धर्म-नियमक गुलाम होइ⌟, बल्कि स्वतन्त्र स्त्रीक सन्तान ⌞भऽ कऽ स्वतन्त्र⌟ छी।
31 Pelo que, irmãos, não somos filhos da escrava, mas da livre.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Gálatas 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.