Filipenses 1

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 पौलुस आ तिमुथियुस, जे मसीह यीशुक दास सभ छथि, तिनका सभक दिस सँ फिलिप्‍पी नगर मे रहऽ वला परमेश्‍वरक सभ पवित्र लोक जे मसीह यीशु मे छथि, मण्‍डलीक जिम्‍मेवार लोकनि और मण्‍डली-सेवक सभ सेहो, तिनका सभक नाम मे ई पत्र।
1 Paulo e Timóteo, servos de Cristo Jesus, a todos os santos em Cristo Jesus, inclusive bispos e diáconos que vivem em Filipos.
2 अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि और अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।
2 Que a graça e a paz de Deus, nosso Pai, e do Senhor Jesus Cristo estejam com vocês.
3 जखन कखनो हम अहाँ सभक स्‍मरण करैत छी तँ हम अपना परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दैत छियनि।
3 Dou graças ao meu Deus por tudo o que lembro de vocês,
4 जखन अहाँ सभ गोटेक लेल प्रार्थना करैत छी तँ हरदम आनन्‍देक संग करैत छी,
4 fazendo sempre, com alegria, súplicas por todos vocês, em todas as minhas orações.
5 किएक तँ अहाँ सभ पहिलुके दिन सँ लऽ कऽ एखन धरि शुभ समाचारक काज मे हमरा संग सहभागी छी।
5 Dou graças pela maneira como vocês têm participado na proclamação do evangelho, desde o primeiro dia até agora.
6 हमरा एहि बातक निश्‍चयता अछि जे, जे परमेश्‍वर अहाँ सभ मे नीक काज शुरू कयने छथि, से मसीह यीशुक अयबाक दिन धरि ओकरा पूरा सेहो करताह।
6 Estou certo de que aquele que começou boa obra em vocês há de completá-la até o Dia de Cristo Jesus.
7 अहाँ सभक प्रति हमर ई भावना ठीको अछि—अहाँ सभ तँ हमरा हृदय मे बसि गेल छी, किएक तँ हम चाहे जहलक भीतर मे छी वा बाहर शुभ समाचारक सत्‍यताक साक्षी दऽ रहल छी आ ओकर पुष्‍टि कऽ रहल छी, अहाँ सभ गोटे हमरा संग परमेश्‍वरक कृपा मे सहभागी छी।
7 Aliás, é justo que eu assim pense de todos vocês, porque os trago no coração, seja nas minhas algemas, seja na defesa e confirmação do evangelho, pois todos vocês são participantes da graça comigo.
8 परमेश्‍वर हमर गवाह छथि जे हमर हृदय अहाँ सभक प्रति मसीह यीशुक प्रेम सँ भरल अछि और अहाँ सभ गोटे केँ देखबाक लेल हमर मोन कतेक लागल रहैत अछि।
8 Pois Deus é testemunha da saudade que tenho de todos vocês, no profundo afeto de Cristo Jesus.
9 परमेश्‍वर सँ हमर प्रार्थना यैह अछि जे अहाँ सभक प्रेम सत्‍य-ज्ञान आ पूर्ण बुद्धि-विवेकक संग निरन्‍तर बढ़ैत जाय,
9 E também faço esta oração: que o amor de vocês aumente mais e mais em conhecimento e toda a percepção,
10 जाहि सँ अहाँ लोकनि सभ सँ उत्तम बात सभ चिन्‍हि ली आ मसीहक अयबाक दिन धरि निर्दोष आ शुद्ध मोनक रही
10 para que vocês aprovem as coisas excelentes e sejam sinceros e inculpáveis para o Dia de Cristo,
11 आ अहाँ सभक जीवन यीशु मसीह द्वारा उत्‍पन्‍न होमऽ वला धार्मिकता सँ भरल होअय, जाहि सँ परमेश्‍वरक सम्‍मान आ प्रशंसा होनि।
11 cheios do fruto de justiça que vem por meio de Jesus Cristo, para glória e louvor de Deus.
12 यौ भाइ लोकनि, हम अहाँ सभ केँ एहि बातक जानकारी दऽ देबऽ चाहैत छी जे हमरा पर जे बितल अछि ताहि सँ शुभ समाचारक प्रचार मे उन्‍नतिए भेल अछि,
12 Quero ainda, irmãos, que saibam que as coisas que me aconteceram têm até contribuído para o progresso do evangelho,
13 एतऽ तक जे राज-महलक सम्‍पूर्ण सुरक्षा दल और आरो सभ लोकक बीच सेहो ई बात पसरि गेल अछि जे हम मसीहक प्रचार करबाक कारणेँ बन्‍दी बनाओल गेल छी।
13 de maneira que toda a guarda pretoriana e todos os demais sabem que estou preso por causa de Cristo.
14 हमरा बन्‍दी होयबाक कारणेँ अधिकांश मसीही भाय सभक मोन मे प्रभु पर भरोसा बढ़ि गेल छनि जाहि सँ ओ सभ आब पहिने सँ बेसी साहसक संग निडर भऽ कऽ परमेश्‍वरक वचन सुनबैत छथि।
14 E os irmãos, em sua maioria, estimulados no Senhor por minhas algemas, ousam falar a palavra com mais coragem.
15 किछु लोक हमरा सँ डाह कऽ कऽ विरोधक भावना सँ मसीहक प्रचार करैत छथि, से बुझैत छी, मुदा किछु लोक नीक भावना सँ।
15 É verdade que alguns proclamam Cristo por inveja e rivalidade, mas outros o fazem de boa vontade.
16 ई लोक प्रेम सँ प्रचार करैत छथि, ई जानि जे हम शुभ समाचारक रक्षाक लेल एतऽ राखल गेल छी।
16 Estes o fazem por amor, sabendo que estou incumbido da defesa do evangelho;
17 मुदा दोसर सभ शुद्ध मोन सँ नहि, स्‍वार्थ सँ मसीहक शुभ समाचार सुनबैत अछि, ई सोचि जे एहि तरहेँ हमरा लेल जहल मे कष्‍ट बढ़ा रहल अछि।
17 aqueles, porém, pregam Cristo por interesse pessoal, não de forma sincera, pensando que assim podem aumentar meu sofrimento na prisão.
18 मुदा ताहि सँ की? कपट सँ होअय वा सदभाव सँ, मसीहक प्रचार सभ तरहेँ भऽ रहल अछि। हम एहि बात सँ आनन्‍दित छी।
18 Mas que importa? Uma vez que, de uma forma ou de outra, Cristo está sendo pregado, seja com fingimento, seja com sinceridade, também com isto me alegro; sim, sempre me alegrarei.
19 किएक तँ हम जनैत छी जे अहाँ सभक प्रार्थना सभक द्वारा आ यीशु मसीहक आत्‍माक सहायता द्वारा एहि सभ बातक परिणाम ई होयत जे हमर छुटकारा भऽ जायत।
19 Porque estou certo de que, pela súplica de vocês e com a ajuda do Espírito de Jesus Cristo, isso resultará em minha libertação.
20 ई हमर एहि हार्दिक आशा आ अभिलाषाक अनुसार सेहो अछि जे हम कोनो बात मे लज्‍जित होयबाक जोगरक नहि बनी, बल्‍कि हमरा पूरा साहस रहय जाहि सँ जहिना हमरा जीवन सँ मसीहक आदर सदा होइत रहल अछि तहिना आब सेहो होइत रहओ, चाहे हम जीवित रही वा मरि जाइ।
20 Minha ardente expectativa e esperança é que em nada serei envergonhado, mas que, com toda a ousadia, como sempre, também agora, Cristo será engrandecido no meu corpo, quer pela vida, quer pela morte.
21 हमरा लेल जीवित रहबाक अर्थ अछि मसीहक लेल जीनाइ, आ मरनाइ अछि लाभ।
21 Porque para mim o viver é Cristo, e o morrer é lucro.
22 मुदा जँ हम जीवित रही तँ फलदायक परिश्रम कऽ सकब। तखन हम कोन चुनी—जीनाइ वा मरनाइ, से नहि जनैत छी।
22 Entretanto, se eu continuar vivendo, poderei ainda fazer algum trabalho frutífero. Assim, não sei o que devo escolher.
23 हम बड़का दुबिधा मे छी। मोन तँ होइत अछि जे एहि संसार केँ छोड़ि कऽ मसीह लग जा कऽ रही, जे शरीर मे जीवित रहनाइ सँ बहुत नीक अछि।
23 Estou cercado pelos dois lados, tendo o desejo de partir e estar com Cristo, o que é incomparavelmente melhor.
24 मुदा अहाँ सभक लेल बेसी आवश्‍यक ई अछि जे हम शरीर मे जीवित रही।
24 Mas, por causa de vocês, é mais necessário que eu continue a viver.
25 एहि बातक हमरा पूरा विश्‍वास अछि, आ तेँ हम जनैत छी जे हम जीवित रहब और अहाँ सभक संग रहब, जाहि सँ विश्‍वास मे अहाँ सभक आनन्‍द बढ़य और प्रगति होअय।
25 E, convencido disto, estou certo de que ficarei e permanecerei com todos vocês, para que progridam e tenham alegria na fé.
26 एहि तरहेँ जखन हम फेर अहाँ सभक ओतऽ आयब तँ मसीह यीशु हमरा लेल की सभ कयलनि, ताहि पर अहाँ सभ केँ आरो गर्व करबाक आधार भेटत।
26 Desse modo, vocês terão mais motivo para se gloriarem em Cristo Jesus por minha causa, pela minha presença, de novo, no meio de vocês.
27 मुदा जे किछु होअय, अहाँ सभ एक बातक ध्‍यान राखू—अहाँ सभक आचरण-व्‍यवहार मसीहक शुभ समाचारक योग्‍य होअय। एहि तरहेँ हम चाहे आबि कऽ अहाँ सभ सँ भेँट करी वा दूर रहि कऽ अहाँ सभक विषय मे सुनी, हमरा यैह पता चलय जे अहाँ सभ एक आत्‍मा मे स्‍थिर छी और एक मोनक भऽ कऽ एक संग मिलि कऽ ओहि विश्‍वासक लेल संघर्ष करैत छी जे शुभ समाचार पर आधारित अछि
27 Acima de tudo, vivam de modo digno do evangelho de Cristo, para que, ou indo até aí para vê-los ou estando ausente, eu ouça a respeito de vocês que estão firmes em um só espírito, como uma só alma, lutando juntos pela fé do evangelho;
28 आ अपन विरोधी सभ सँ कनेको डेरायल नहि छी। ई ओकरा सभक विनाशक, मुदा अहाँ सभक उद्धारक स्‍पष्‍ट प्रमाण अछि। और ई सभ बात परमेश्‍वरक दिस सँ अछि।
28 e que em nada se sentem intimidados pelos adversários. Pois o que para eles é prova evidente de perdição para vocês é sinal de salvação, e isto da parte de Deus.
29 कारण, अहाँ सभ केँ ई वरदान देल गेल अछि जे अहाँ सभ मात्र मसीह पर विश्‍वासे नहि करी, बल्‍कि हुनका लेल कष्‍ट सेहो सही।
29 Porque vocês receberam a graça de sofrer por Cristo, e não somente de crer nele,
30 अर्थात्, अहूँ सभ ओहने संघर्ष मे लागल छी जेहन अहाँ सभ हमरा करैत देखलहुँ आ सुनैत होयब जे एखनो कऽ रहल छी।
30 pois vocês têm o mesmo combate que viram em mim e que agora estão ouvindo que continuo a ter.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Filipenses 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.