Efésios 4

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 एहि सभ बातक कारणेँ हम, जे प्रभुक लेल कैदी छी, अहाँ सभ सँ अनुरोध करैत छी जे, जाहि उद्देश्‍य सँ परमेश्‍वर अहाँ सभ केँ हुनकर लोक होयबाक लेल बजौलनि, ताहि उद्देश्‍यक अनुरूप जीवन व्‍यतीत करू।
1 Rogo-vos, pois, eu, o prisioneiro no Senhor, que andeis como é digno da vocação com que fostes chamados,
2 पूर्ण रूप सँ विनम्र भऽ कऽ कोमलताक संग एक-दोसराक संग धैर्य राखू। प्रेम सँ एक-दोसराक संग सहनशील होउ।
2 com toda a humildade e mansidão, com longanimidade, suportando-vos uns aos outros em amor,
3 एक-दोसराक संग मेल सँ रहि कऽ ओहि एकता केँ कायम रखबाक प्रयत्‍न करैत रहू जे पवित्र आत्‍मा प्रदान करैत छथि।
3 procurando diligentemente guardar a unidade do Espírito no vínculo da paz.
4 मसीहक शरीर एके होइत अछि, और परमेश्‍वरक आत्‍मा सेहो एके छथि—जहिना अहाँ सभ जखन बजाओल गेलहुँ तँ एके आशा मे सहभागी होयबाक लेल बजाओल गेलहुँ।
4 Há um só corpo e um só Espírito, como também fostes chamados em uma só esperança da vossa vocação;
5 एके प्रभु छथि, एके विश्‍वास अछि, और एके बपतिस्‍मा।
5 um só Senhor, uma só fé, um só batismo;
6 एकेटा छथि जे अपना सभ गोटेक परमेश्‍वर और पिता छथि, अपना सभ गोटेक उपर छथि, अपना सभ गोटेक माध्‍यम सँ काज करैत छथि, और अपना सभ गोटेक हृदय मे वास करैत छथि।
6 um só Deus e Pai de todos, o qual é sobre todos, e por todos e em todos.
7 मुदा अपना सभ केँ भेटल वरदान अलग-अलग अछि—मसीह जाहि रूप मे बाँटऽ चाहलनि, ताहि अनुसारेँ अपना सभ मे सँ हर एक केँ कृपाक विशेष वरदान देल गेल अछि।
7 Mas a cada um de nós foi dada a graça conforme a medida do dom de Cristo.
8 धर्मशास्‍त्र ई बात कहितो अछि, जेना लिखल अछि जे,
8 Por isso foi dito: Subindo ao alto, levou cativo o cativeiro, e deu dons aos homens.
9 जखन लिखल अछि जे, “ओ चढ़लाह”, तँ तकर अर्थ की भेल? ओकर अर्थ ई अछि जे ओ पहिने नीचाँ, पृथ्‍वी पर उतरल छलाह।
9 Ora, isto-ele subiu-que é, senão que também desceu às partes mais baixas da terra?
10 जे नीचाँ उतरलाह, सैह छथि जे आब ऊपर चढ़लाह—समस्‍त आकाशो सँ बहुत उपर, जाहि सँ ओ सम्‍पूर्ण सृष्‍टि केँ परिपूर्णता धरि लऽ जा सकथि।
10 Aquele que desceu é também o mesmo que subiu muito acima de todos os céus, para cumprir todas as coisas.
11 वैह विभिन्‍न वरदान बँटलनि—किछु लोक केँ मसीह-दूत होयबाक वरदान देलथिन, किछु लोक केँ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता होयबाक, किछु लोक केँ शुभ समाचारक प्रचार करऽ वला होयबाक, आ किछु लोक केँ मण्‍डलीक देख-रेख करऽ वला और शिक्षक होयबाक वरदान देलथिन।
11 E ele deu uns como apóstolos, e outros como profetas, e outros como evangelistas, e outros como pastores e mestres,
12 ई वरदान सभ देबऽ मे मसीहक उद्देश्‍य ई छलनि जे एहि सभ द्वारा परमेश्‍वरक लोक केँ सेवा-काज सभ करबाक लेल तैयार कयल जाय जाहि सँ हुनकर देह मजगूत होनि।
12 tendo em vista o aperfeiçoamento dos santos, para a obra do ministério, para edificação do corpo de Cristo;
13 एहि तरहेँ अपना सभ केओ संग-संग बढ़ि कऽ, विश्‍वास मे और परमेश्‍वरक पुत्रक ज्ञान मे एक भऽ जायब, और पूर्ण सिद्धता, अर्थात् मसीहक पूर्णता, धरि पहुँचब।
13 até que todos cheguemos à unidade da fé e do pleno conhecimento do Filho de Deus, ao estado de homem feito, à medida da estatura da plenitude de Cristo;
14 एहि प्रकारेँ अपना सभ छोट बच्‍चा नहि रहि जायब जे प्रत्‍येक शिक्षाक झोंक सँ एम्‍हर-ओम्‍हर फेकाइत रही आ धोखा देबऽ वला धूर्त लोकक छल-प्रपंच सँ बनाओल जाल मे फँसि कऽ बहकाओल जाइ।
14 para que não mais sejamos meninos, inconstantes, levados ao redor por todo vento de doutrina, pela fraudulência dos homens, pela astúcia tendente à maquinação do erro;
15 बल्‍कि प्रेमक संग सत्‍य बजैत अपना सभ बढ़ि कऽ सभ बात मे तिनका जकाँ बनैत जायब जे शरीरक सिर छथि, अर्थात्‌ मसीह।
15 antes, seguindo a verdade em amor, cresçamos em tudo naquele que é a cabeça, Cristo,
16 हुनके द्वारा पूरा देह एक संग जुटल रहैत अछि, देहक सभ अलग-अलग अंग प्रत्‍येक जोड़क सहायता सँ एक-दोसर सँ संयुक्‍त रहैत अछि, और एहि तरहेँ जखन प्रत्‍येक अंग ठीक सँ अपन काज करैत अछि तँ पूरा देह बढ़ि कऽ प्रेम मे अपना केँ मजगूत करैत अछि।
16 do qual o corpo inteiro bem ajustado, e ligado pelo auxílio de todas as juntas, segundo a justa operação de cada parte, efetua o seu crescimento para edificação de si mesmo em amor.
17 तेँ अहाँ सभ केँ हम ई कहऽ चाहैत छी आ प्रभु केँ साक्षी राखि एहि बात पर जोर दैत छी जे, आब सँ तकरा सभ जकाँ आचरण नहि करू जे सभ परमेश्‍वर केँ नहि चिन्‍हऽ वला जाति सभक लोक अछि। ओकरा सभक सोच-विचार निरर्थक छैक,
17 Portanto digo isto, e testifico no Senhor, para que não mais andeis como andam os gentios, na verdade da sua mente,
18 ओकरा सभक बुद्धि अन्‍हार सँ भरल छैक और ओ सभ ओहि जीवन सँ वंचित अछि जे परमेश्‍वर प्रदान करैत छथि। एकर कारण ई अछि जे ओ सभ जिद्दी बनि कऽ अज्ञान भऽ गेल अछि।
18 entenebrecidos no entendimento, separados da vida de Deus pela ignorância que há neles, pela dureza do seu coração;
19 ओकरा सभक विवेक सुन्‍न भऽ गेल छैक, ओकरा सभ केँ कोनो लाजे नहि छैक। ओ सभ जानि-बुझि कऽ शारीरिक इच्‍छाक दास बनल अछि, आ सभ तरहक गन्‍दा काज करैत, ओहने-ओहने आओर काज करबाक लेल लालायित रहैत अछि।
19 os quais, tendo-se tornado insensíveis, entregaram-se à lascívia para cometerem com avidez toda sorte de impureza.
20 मुदा अहाँ सभ जखन मसीह केँ चिन्‍हलहुँ तँ हुनका सँ एहि प्रकारक जीवन बितयबाक बात नहि सिखलहुँ।
20 Mas vós não aprendestes assim a Cristo.
21 अहाँ सभ अवश्‍य हुनका विषय मे सुनने छी और हुनका सम्‍बन्‍ध मे शिक्षा पौने छी, जे शिक्षा ओहि सत्‍यक अनुसार अछि जे यीशु मे प्रगट भेल।
21 se é que o ouvistes, e nele fostes instruídos, conforme é a verdade em Jesus,
22 अहाँ सभ केँ ई सिखाओल गेल जे अपन पुरान स्‍वभाव, जे अहाँ सभक पहिलुका चालि-चलन सँ स्‍पष्‍ट होइत छल, तकरा अहाँ सभ केँ त्‍यागि देबाक अछि, किएक तँ ओ स्‍वभाव धोखा देबऽ वला अभिलाषा सभक कारणेँ बिगड़ैत जा रहल अछि।
22 a despojar-vos, quanto ao procedimento anterior, do velho homem, que se corrompe pelas concupiscências do engano;
23 अहाँ सभ केँ ई सिखाओल गेल जे पूर्ण रूप सँ आत्‍मा और विचार मे नव लोक बनबाक अछि,
23 a vos renovar no espírito da vossa mente;
24 और नवका स्‍वभाव धारण करबाक अछि। नवका स्‍वभाव परमेश्‍वरक स्‍वरूप मे रचल गेल अछि आ ओहि धार्मिकता और पवित्रता मे व्‍यक्‍त होइत अछि जे सत्‍य पर आधारित अछि।
24 e a vos revestir do novo homem, que segundo Deus foi criado em verdadeira justiça e santidade.
25 एहि लेल, अहाँ सभ मे सँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति झूठ बजनाइ छोड़ू, और एक-दोसर सँ सत्‍य बाजू, कारण, अपना सभ एके शरीरक अंग भऽ कऽ एक-दोसराक छी।
25 Pelo que deixai a mentira, e falai a verdade cada um com o seu próximo, pois somos membros uns dos outros.
26 “जँ क्रोधित भऽ जाइ, तँ अपना क्रोध केँ पापक कारण नहि बनऽ दिअ”—सूर्य डुबऽ सँ पहिनहि अपना क्रोध सँ मुक्‍त होउ।
26 Irai-vos, e não pequeis; não se ponha o sol sobre a vossa ira;
27 शैतान केँ अवसर नहि दिऔक!
27 nem deis lugar ao Diabo.
28 जे चोरी करैत अछि, से आब चोरी नहि करओ, बल्‍कि अपना हाथ सँ इमानदारीपूर्बक परिश्रम करओ, जाहि सँ ओ आवश्‍यकता मे पड़ल लोक सभक मदति कऽ सकय।
28 Aquele que furtava, não furte mais; antes trabalhe, fazendo com as mãos o que é bom, para que tenha o que repartir com o que tem necessidade.
29 अहाँ सभक मुँह सँ कोनो हानि पहुँचाबऽ वला बात नहि निकलय, बल्‍कि एहन बात जे दोसराक उन्‍नतिक लेल होअय और अवसरक अनुरूप होअय, जाहि सँ ओहि सँ सुननिहारक हित होयतैक।
29 Não saia da vossa boca nenhuma palavra torpe, mas ó a que seja boa para a necessária edificação, a fim de que ministre graça aos que a ouvem.
30 परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा केँ दुखी नहि करिऔन, किएक तँ पवित्र आत्‍मा स्‍वयं अहाँ सभ पर परमेश्‍वरक लगाओल छाप छथि जे एहि बात केँ पक्‍का करैत अछि जे छुटकाराक दिन मे अहूँ सभक छुटकारा होयत।
30 E não entristeçais o Espírito Santo de Deus, no qual fostes selados para o dia da redenção.
31 अहाँ सभ हर तरहक कटुता, क्रोध, तामस, चिकरनाइ, दोसराक निन्‍दा कयनाइ और दुष्‍ट भावना केँ अपना सँ दूर करू।
31 Toda a amargura, e cólera, e ira, e gritaria, e blasfêmia sejam tiradas dentre vós, bem como toda a malícia.
32 एक-दोसराक प्रति दयालु बनू, एक-दोसर केँ करुणा देखाउ, और जहिना परमेश्‍वर मसीहक कारणेँ अहाँ सभ केँ क्षमा कऽ देलनि तहिना अहूँ सभ एक-दोसर केँ क्षमा करू।
32 Antes sede bondosos uns para com os outros, compassivos, perdoando-vos uns aos outros, como também Deus vos perdoou em Cristo.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Efésios 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.