Atos 8

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 साउल स्‍तिफनुसक हत्‍या सँ सहमत छल।
1 Naquele dia levantou-se grande perseguição contra a igreja que estava em Jerusalém; e todos exceto os apóstolos, foram dispersos pelas regiões da Judéia e da Samária.
2 परमेश्‍वरक भक्‍त सभ स्‍तिफनुसक लास लऽ जा कऽ कबर मे गाड़ि देलनि और हुनका लेल बहुत शोक मनौलनि।
2 E uns homens piedosos sepultaram a Estêvão, e fizeram grande pranto sobre ele.
3 एम्‍हर साउल विश्‍वासी मण्‍डली केँ नष्‍ट करबाक कोशिश कऽ रहल छल। ओ घर-घर मे हुलि कऽ स्‍त्रीगण और पुरुष सभ केँ पकड़ि जहल मे बन्‍द करबा दैत छल।
3 Saulo porém, assolava a igreja, entrando pelas casas e, arrastando homens e mulheres, os entregava à prisão.
4 जे विश्‍वासी सभ छिड़िया गेल से सभ घूमि-घूमि कऽ प्रभुक वचनक प्रचार करैत छल।
4 No entanto os que foram dispersos iam por toda parte, anunciando a palavra.
5 फिलिपुस सामरिया प्रदेशक एक शहर मे आबि कऽ उद्धारकर्ता-मसीहक प्रचार करऽ लगलाह।
5 E descendo Filipe à cidade de Samária, pregava-lhes a Cristo.
6 फिलिपुसक प्रचारक बात सुनि आ हुनका द्वारा कयल चमत्‍कार सभ देखि भीड़क सभ लोक एक चित्त भऽ कऽ हुनका कथन पर पूरा ध्‍यान देबऽ लागल।
6 As multidões escutavam, unânimes, as coisas que Filipe dizia, ouvindo-o e vendo os sinais que operava;
7 बहुत लोक मे सँ दुष्‍टात्‍मा सभ चिचिया-चिचिया कऽ निकलि गेल और बहुत लकवा मारल आ नाङड़ आदमी सभ स्‍वस्‍थ भऽ गेल।
7 pois saíam de muitos possessos os espíritos imundos, clamando em alta voz; e muitos paralíticos e coxos foram curados;
8 एहि सभ सँ ओहि शहरक लोक बहुत आनन्‍दित भेल।
8 pelo que houve grande alegria naquela cidade.
9 ओहि शहर मे सिमोन नामक एक जादूगर बहुत दिन सँ अपन जादू देखा कऽ सामरियाक लोक सभ केँ आश्‍चर्यित कयने छल। ओ अपना केँ बड्ड पैघ लोक कहैत छल,
9 Ora, estava ali certo homem chamado Simão, que vinha exercendo naquela cidade a arte mágica, fazendo pasmar o povo da Samária, e dizendo ser ele uma grande personagem;
10 और ऊँच-नीच सभ तरहक लोक ओकर बात मानैत छल। ओ सभ कहैत छल जे “ई आदमी ईश्‍वरक ओहि शक्‍तिक अवतार छथि जे ‘महाशक्‍ति’ कहबैत छथि।”
10 ao qual todos atendiam, desde o menor até o maior, dizendo: Este é o Poder de Deus que se chama Grande.
11 लोक सभ एहि लेल ओकर बात मानैत छल जे ओ बहुत दिन सँ एकरा सभ केँ अपन जादू द्वारा प्रभावित कयने छल।
11 Eles o atendiam porque já desde muito tempo os vinha fazendo pasmar com suas artes mágicas.
12 मुदा ओ सभ जखन फिलिपुसक प्रचार सुनि यीशु मसीह आ परमेश्‍वरक राज्‍यक शुभ समाचार पर विश्‍वास कयलक तँ, पुरुष और स्‍त्रीगण, सभ केओ बपतिस्‍मा लेबऽ लागल।
12 Mas, quando creram em Filipe, que lhes pregava acerca do reino de Deus e do nome de Jesus, batizavam-se homens e mulheres.
13 सिमोन सेहो विश्‍वास कयलक आ बपतिस्‍मा लेलक। ओ फिलिपुसक संगे-संग सभतरि घुमैत छल आ हुनकर अद्‌भुत चिन्‍ह और चमत्‍कारपूर्ण काज सभ देखि चकित रहि जाइत छल।
13 E creu até o próprio Simão e, sendo batizado, ficou de contínuo com Filipe; e admirava-se, vendo os sinais e os grandes milagres que se faziam.
14 यरूशलेम मे जखन मसीह-दूत सभ ई सुनलनि जे सामरिया प्रदेशक लोक सभ परमेश्‍वरक वचन स्‍वीकार कऽ लेने अछि तँ ओ सभ पत्रुस आ यूहन्‍ना केँ ओतऽ पठौलनि।
14 Os apóstolos, pois, que estavam em Jerusalém, tendo ouvido que os da Samária haviam recebido a palavra de Deus, enviaram-lhes Pedro e João;
15 ओ दूनू गोटे ओतऽ पहुँचि कऽ ओकरा सभक लेल प्रार्थना कयलनि जाहि सँ ओ सभ पवित्र आत्‍मा केँ प्राप्‍त करय,
15 os quais, tendo descido, oraram por eles, para que recebessem o Espírito Santo.
16 कारण एखन तक ओकरा सभ मे सँ ककरो पर पवित्र आत्‍मा नहि आयल छलथिन—ओ सभ मात्र प्रभु यीशु पर विश्‍वास कऽ कऽ हुनका नाम सँ बपतिस्‍मा लेने छल।
16 Porque sobre nenhum deles havia ele descido ainda; mas somente tinham sido batizados em nome do Senhor Jesus.
17 तखन ओ दूनू गोटे ओकरा सभ पर हाथ रखलनि और ओ सभ पवित्र आत्‍मा केँ प्राप्‍त कयलक।
17 Então lhes impuseram as mãos, e eles receberam o Espírito Santo.
18 सिमोन जखन देखलक जे ककरो शरीर पर मसीह-दूत सभ अपन हाथ रखैत छथि तँ ओकरा पवित्र आत्‍मा भेटैत छथिन तखन ओ अपन पाइ लऽ कऽ हुनका सभ लग गेल
18 Quando Simão viu que pela imposição das mãos dos apóstolos se dava o Espírito Santo, ofereceu-lhes dinheiro,
19 आ कहलकनि, “हमरो ई गुण दिअ जाहि सँ हम ककरो शरीर पर हाथ रखिऐक तँ ओकरा पवित्र आत्‍मा भेटैक।”
19 dizendo: Dai-me também a mim esse poder, para que aquele sobre quem eu impuser as mãos, receba o Espírito Santo.
20 एहि पर पत्रुस उत्तर देलथिन, “सत्‍यानाश होउ तोहर और तोरा पाइ केँ जे तोँ परमेश्‍वरक दान केँ पाइ सँ मोल लेबऽ चाहैत छेँ!
20 Mas disse-lhe Pedro: Vá tua prata contigo à perdição, pois cuidaste adquirir com dinheiro o dom de Deus.
21 एहि काज मे तोहर कोनो हिस्‍सा वा अधिकार नहि छौक कारण परमेश्‍वरक दृष्‍टि मे तोहर मोन भ्रष्‍ट छौक।
21 Tu não tens parte nem sorte neste ministério, porque o teu coração não é reto diante de Deus.
22 आब तोँ अपना एहि दुष्‍ट विचारक लेल पश्‍चात्ताप कर और प्रभु सँ क्षमा माँग। भऽ सकैत अछि जे ओ तोहर एहन विचार केँ क्षमा कऽ देथुन।
22 Arrepende-te, pois, dessa tua maldade, e roga ao Senhor para que porventura te seja perdoado o pensamento do teu coração;
23 हम देखैत छी जे तोँ ईर्ष्‍याक विष सँ भरल आ पाप मे जकड़ल छेँ।”
23 pois vejo que estás em fel de amargura, e em laços de iniqüidade.
24 एहि पर सिमोन कहलकनि, “अहीं सभ हमरा लेल प्रार्थना करू जाहि सँ अहाँ जेना कहलहुँ तेना हमरा संग नहि होअय।”
24 Respondendo, porém, Simão, disse: Rogai vós por mim ao Senhor, para que nada do que haveis dito venha sobre mim.
25 पत्रुस और यूहन्‍ना प्रभु यीशुक विषय मे साक्षी दऽ कऽ आ परमेश्‍वरक वचनक प्रचार कऽ कऽ यरूशलेमक लेल फेर विदा भेलाह और रस्‍ता मे सामरिया प्रदेशक बहुतो गाम मे शुभ समाचार सुनबैत गेलाह।
25 Eles, pois, havendo testificado e falado a palavra do Senhor, voltando para Jerusalém, evangelizavam muitas aldeias dos samaritanos.
26 एम्‍हर परमेश्‍वरक एक स्‍वर्गदूत फिलिपुस केँ कहलथिन, “तोँ एतऽ सँ दक्षिण मुँहें विदा भऽ कऽ यरूशलेम सँ गाजा नगर जाय वला रस्‍ता पर जाह जे बंजरभूमि दऽ कऽ गेल अछि।”
26 Mas um anjo do Senhor falou a Filipe, dizendo: Levanta-te, e vai em direção do sul pelo caminho que desce de Jerusalém a Gaza, o qual está deserto.
27 ई सुनि फिलिपुस विदा भऽ गेलाह। रस्‍ता मे हुनका इथियोपिया देशक एक हाकिम भेटलथिन जे इथियोपियाक रानी कन्‍दकीक मुख्‍य खजांची छलाह। ओ आराधना करबाक लेल यरूशलेम गेल छलाह,
27 E levantou-se e foi; e eis que um etíope, eunuco, mordomo-mor de Candace, rainha dos etíopes, o qual era superintendente de todos os seus tesouros e tinha ido a Jerusalém para adorar,
28 आ ओतऽ सँ घुमैत काल अपना रथ मे बैसल धर्मशास्‍त्र मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता यशायाह द्वारा लिखल भाग केँ पढ़ि रहल छलाह।
28 regressava e, sentado no seu carro, lia o profeta Isaías.
29 तखन पवित्र आत्‍मा फिलिपुस केँ कहलथिन, “आगाँ बढ़ि कऽ ओहि रथक संगे-संग चलह।”
29 Disse o Espírito a Filipe: Chega-te e ajunta-te a esse carro.
30 फिलिपुस दौड़ि कऽ रथ लग गेलाह और ओहि हाकिम केँ यशायाहक पुस्‍तक मे सँ पढ़ैत सुनलनि। तखन फिलिपुस पुछलथिन, “अहाँ जे पढ़ि रहल छी से बुझितो छी?”
30 E correndo Filipe, ouviu que lia o profeta Isaías, e disse: Entendes, porventura, o que estás lendo?
31 ओ उत्तर देलथिन, “हम कोना बुझब जाबत केओ हमरा बुझाओत नहि?” ई कहि कऽ ओ हुनका सँ रथ पर बैसबाक आग्रह कयलथिन।
31 Ele respondeu: Pois como poderei entender, se alguém não me ensinar? e rogou a Filipe que subisse e com ele se sentasse.
32 धर्मशास्‍त्रक जे भाग ओ पढ़ि रहल छलाह से ई छल,
32 Ora, a passagem da Escritura que estava lendo era esta: Foi levado como a ovelha ao matadouro, e, como está mudo o cordeiro diante do que o tosquia, assim ele não abre a sua boca.
33 ओ बेइज्‍जति कयल गेलाह
33 Na sua humilhação foi tirado o seu julgamento; quem contará a sua geração? porque a sua vida é tirada da terra.
34 हाकिम फिलिपुस सँ पुछलथिन, “हमरा कहल जाओ—लेखक ई बात किनका विषय मे कहि रहल छथि, अपना विषय मे वा किनको दोसराक विषय मे?”
34 Respondendo o eunuco a Filipe, disse: Rogo-te, de quem diz isto o profeta? de si mesmo, ou de algum outro?
35 एहि पर फिलिपुस धर्मशास्‍त्रक ओही पाठ सँ शुरू कऽ कऽ हुनका यीशुक सम्‍बन्‍ध मे शुभ समाचार सुनौलथिन।
35 Então Filipe tomou a palavra e, começando por esta escritura, anunciou-lhe a Jesus.
36 जाइत-जाइत आगाँ रस्‍ता मे हुनका सभ केँ पानि भेटला पर हाकिम फिलिपुस केँ कहलथिन, “देखल जाओ, एतऽ पानि अछि। आब हम किएक नहि बपतिस्‍मा लऽ ली?”
36 E indo eles caminhando, chegaram a um lugar onde havia água, e disse o eunuco: Eis aqui água; que impede que eu seja batizado?
37 [फिलिपुस उत्तर देलथिन, “जँ अहाँ सम्‍पूर्ण मोन सँ विश्‍वास करैत छी तँ लऽ सकैत छी।” ओ कहलथिन, “हम विश्‍वास करैत छी जे यीशु मसीह परमेश्‍वरक पुत्र छथि।”]
37 {E disse Felipe: é lícito, se crês de todo o coração. E, respondendo ele, disse: Creio que Jesus Cristo é o Filho de Deus.}
38 ई कहि हाकिम रथ केँ रोकबा देलथिन और दूनू गोटे उतरि कऽ पानि मे गेलाह और फिलिपुस हुनका बपतिस्‍मा देलथिन।
38 mandou parar o carro, e desceram ambos à água, tanto Filipe como o eunuco, e Filipe o batizou.
39 जखन ओ सभ पानि मे सँ उपर भेलाह तखन एकाएक प्रभुक आत्‍मा फिलिपुस केँ दोसर ठाम लऽ गेलथिन आ हाकिम फेर हुनका नहि देखलथिन मुदा आनन्‍दपूर्बक ओ अपन रस्‍ता पर बढ़ैत गेलाह।
39 Quando saíram da água, o Espírito do Senhor arrebatou a Filipe, e não o viu mais o eunuco, que jubiloso seguia o seu caminho.
40 एम्‍हर फिलिपुस अपना केँ अश्‍दोद नगर मे पौलनि। ओतऽ सँ आगाँ बढ़ि कऽ सभ नगर मे ओ शुभ समाचारक प्रचार करैत-करैत कैसरिया पहुँचलाह।
40 Mas Filipe achou-se em Azoto e, indo passando, evangelizava todas as cidades, até que chegou a Cesaréia.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 8, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.