Atos 6

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 ओहि समय मे जखन शिष्‍यक संख्‍या बढ़ि रहल छल तँ यूनानी भाषी यहूदी सभ इब्रानी भाषी यहूदी सभ पर कुड़बुड़ाय लागल जे सभ दिन जखन भोजन वला वस्‍तु सभ बाँटल जाइत अछि तँ यूनानी विधवा सभ पर ठीक सँ ध्‍यान नहि देल जाइत अछि।
1 Naqueles dias, crescendo o número de discípulos, os judeus de fala grega entre eles queixaram-se dos judeus de fala hebraica, porque suas viúvas estavam sendo esquecidas na distribuição diária de alimento.
2 तखन सभ शिष्‍य केँ बारहो मसीह-दूत सभ बजा कऽ कहलथिन, “ई उचित नहि होयत जे हम सभ परमेश्‍वरक वचनक शिक्षा देनाइ छोड़ि कऽ खुअयबा-पिअयबा मे लागि जाइ।
2 Por isso os Doze reuniram todos os discípulos e disseram: "Não é certo negligenciarmos o ministério da palavra de Deus, a fim de servir às mesas.
3 तेँ यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ अपना मे सँ सात गोटे केँ चुनि कऽ दिअ जे पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण और सच्‍चरित्र आ नीक बुद्धिक होथि। हम सभ हुनका सभ केँ एहि काजक भार दऽ देबनि
3 Irmãos, escolham entre vocês sete homens de bom testemunho, cheios do Espírito e de sabedoria. Passaremos a eles essa tarefa
4 आ अपने हम सभ प्रार्थना और परमेश्‍वरक वचनक शिक्षाक काज मे लागल रहब।”
4 e nos dedicaremos à oração e ao ministério da palavra".
5 एहि विचार सँ सभ केओ प्रसन्‍न भेल आ ओ सभ स्‍तिफनुस जे पवित्र आत्‍मा आ विश्‍वास सँ परिपूर्ण छलाह, और फिलिपुस, प्रुखुरुस, निकानोर, तीमोन, परमिनास और अन्‍ताकिया निवासी निकुलाउस जे यहूदी धर्म स्‍वीकार कयने छलाह तिनका सभ केँ चुनलकनि।
5 Tal proposta agradou a todos. Então escolheram Estêvão, homem cheio de fé e do Espírito Santo, além de Filipe, Prócoro, Nicanor, Timom, Pármenas e Nicolau, um convertido ao judaísmo, proveniente de Antioquia.
6 तकरबाद ओ सभ हुनका सातो गोटे केँ मसीह-दूत सभक सामने आनि देलकनि। ई सभ प्रार्थना कयलनि आ हुनका सभ पर हाथ राखि ओहि काजक लेल नियुक्‍त कयलनि।
6 Apresentaram esses homens aos apóstolos, os quais oraram e lhes impuseram as mãos.
7 एहि तरहेँ परमेश्‍वरक वचन पसरैत गेल। यरूशलेम मे शिष्‍यक संख्‍या बहुत बढ़ि गेल और बहुत यहूदी पुरोहित सभ सेहो वचन स्‍वीकार कऽ आज्ञाकारी बनि प्रभु पर विश्‍वास कयलनि।
7 Assim, a palavra de Deus se espalhava. Crescia rapidamente o número de discípulos em Jerusalém; também um grande número de sacerdotes obedecia à fé.
8 स्‍तिफनुस परमेश्‍वरक कृपा आ सामर्थ्‍य सँ परिपूर्ण भऽ लोकक बीच बड़का-बड़का अद्‌भुत काज आ चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह सभ देखबैत छलाह।
8 Estêvão, homem cheio da graça e do poder de Deus, realizava grandes maravilhas e sinais entre o povo.
9 मुदा किछु यहूदी सभ हिनकर विरोध करऽ लागल। ओ सभ “मुक्‍त लोकक सभाघर” नामक समूहक सदस्‍य सभ, कुरेन और सिकन्‍दरिया नगर आ किलिकिया और आसिया प्रदेशक निवासी सभ छल। ओ सभ स्‍तिफनुस सँ वाद-विवाद करऽ लागल
9 Contudo, levantou-se oposição dos membros da chamada Sinagoga dos Libertos, dos judeus de Cirene e de Alexandria, bem como das províncias da Cilícia e da Ásia. Esses homens começaram a discutir com Estêvão,
10 मुदा पवित्र आत्‍मा हिनका बाजऽ काल मे ततेक नीक बुद्धि देलथिन जे ओ सभ हिनका सामने मे नहि टिकि सकल।
10 mas não podiam resistir à sabedoria e ao Espírito com que ele falava.
11 तखन ओ सभ किछु लोक केँ गुप्‍त रूप सँ चढ़ा-बढ़ा कऽ सिखौलक जे अहाँ सभ कहू जे हम सभ एकरा मूसा आ परमेश्‍वरक निन्‍दा करैत सुनलहुँ।
11 Então subornaram alguns homens para dizerem: "Ouvimos Estêvão falar palavras blasfemas contra Moisés e contra Deus".
12 एहि तरहेँ ओ सभ जनता, बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोकनि आ धर्मशिक्षक सभ केँ बहका देलक और ओ सभ मिलि कऽ स्‍तिफनुस केँ पकड़ि लेलकनि आ धर्म-महासभाक सामने अनलकनि।
12 Com isso agitaram o povo, os líderes religiosos e os mestres da lei. E, prendendo Estêvão, levaram-no ao Sinédrio.
13 ओ सभ झुट्ठा गवाह सभ पेश कऽ कऽ कहबौलक जे, “ई आदमी सदिखन अपना सभक पवित्र मन्‍दिर आ धर्म-नियमक विरोध मे बजैत अछि
13 Ali apresentaram falsas testemunhas que diziam: "Este homem não pára de falar contra este lugar santo e contra a lei.
14 कारण हम सभ एकरा एहि तरहेँ कहैत सुनलहुँ जे, ‘ई नासरतक यीशु एहि मन्‍दिर केँ ढाहि देताह और मूसा द्वारा देल गेल प्रथा सभ केँ बदलि देताह।’ ”
14 Pois o ouvimos dizer que esse Jesus, o Nazareno, destruirá este lugar e mudará os costumes que Moisés nos legou".
15 महासभा मे बैसल लोक सभ जखन स्‍तिफनुसक दिस तकलनि तँ देखलनि जे हुनकर मुँह स्‍वर्गदूतक मुँह जकाँ देखाइ दऽ रहल अछि।
15 Olhando para ele, todos os que estavam sentados no Sinédrio viram que o seu rosto parecia o rosto de um anjo.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 6, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.