Atos 4

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 पत्रुस और यूहन्‍ना जखन ई बात सभ बाजिए रहल छलाह तखन किछु पुरोहित, मन्‍दिरक सिपाहीक कप्‍तान और सदुकी पंथक लोक सभ हुनका सभ लग अयलाह।
1 Enquanto eles estavam falando ao povo, sobrevieram-lhes os sacerdotes, o capitão do templo e os saduceus,
2 ओ सभ एहि बात सँ खिसिआयल छलाह जे मसीह-दूत सभ लोक सभ केँ उपदेश दैत छलाह आ यीशुक मरनाइ और जीबि उठनाइ द्वारा एहि बातक प्रमाण दैत छलाह जे सभ लोक मृत्‍यु मे सँ निश्‍चित जिआओल जायत।
2 doendo-se muito de que eles ensinassem o povo, e anunciassem em Jesus a ressurreição dentre os mortos,
3 एहि पर ओ सभ हिनका सभ केँ पकड़ि कऽ जहल मे राखि देलनि जे प्रात भेने निर्णय करब, कारण तखन साँझ पड़ि गेल छल।
3 deitaram mão neles, e os encerraram na prisão até o dia seguinte; pois era já tarde.
4 मुदा जे लोक सभ हुनका सभक प्रवचन सुनैत छल ताहि मे सँ बहुतो लोक प्रभु यीशु पर विश्‍वास कयलक आ एहि तरहेँ विश्‍वास करऽ वला मात्र पुरुषक संख्‍या पाँच हजार भऽ गेल।
4 Muitos, porém, dos que ouviram a palavra, creram, e se elevou o número dos homens a quase cinco mil.
5 प्रात भेने यहूदी अधिकारी, बूढ़-प्रतिष्‍ठित आ धर्मशिक्षक सभ यरूशलेम मे जमा भेलाह।
5 No dia seguinte, reuniram-se em Jerusalém as autoridades, os anciãos, os escribas,
6 ओहिठाम महापुरोहित हन्‍ना छलाह, आ काइफा, यूहन्‍ना, सिकन्‍दर और महापुरोहितक परिवारक अन्‍य सदस्‍य सभ सेहो उपस्‍थित छलाह।
6 e Anás, o sumo sacerdote, e Caifás, João, Alexandre, e todos quantos eram da linhagem do sumo sacerdote.
7 ओ सभ पत्रुस और यूहन्‍ना केँ जहल सँ मँगबा कऽ पूछ-ताछ करऽ लगलाह जे “तोँ सभ कोन शक्‍ति सँ आ किनका नाम सँ ई काज कयलह?”
7 E, pondo-os no meio deles, perguntaram: Com que poder ou em nome de quem fizestes vós isto?
8 एहि पर पत्रुस पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ बजलाह, “जनताक आदरणीय पंच और बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोक सभ,
8 Então Pedro, cheio do Espírito Santo, lhes disse: Autoridades do povo e vós, anciãos,
9 एक लोथ आदमीक संग दयापूर्ण व्‍यवहार करबाक कारणेँ आइ जँ हमरा सभ सँ पूछ-ताछ कयल जा रहल अछि आ ई पुछल जाइत अछि जे ई आदमी कोना नीक भेल
9 se nós hoje somos inquiridos acerca do benefício feito a um enfermo, e do modo como foi curado,
10 तँ अपने लोकनि आ सम्‍पूर्ण इस्राएली जनता ई जानि लिअ जे ई आदमी, जे अहाँ सभक सामने ठाढ़ अछि से नासरत-निवासी यीशु मसीहक नाम सँ स्‍वस्‍थ भेल अछि—वैह यीशु जिनका अहाँ सभ क्रूस पर चढ़ा कऽ मारि देलियनि आ परमेश्‍वर जिनका फेर जिआ देलथिन।
10 seja conhecido de vós todos, e de todo o povo de Israel, que em nome de Jesus Cristo, o nazareno, aquele a quem vós crucificastes e a quem Deus ressuscitou dentre os mortos, nesse nome está este aqui, são diante de vós.
11
11 Ele é a pedra que foi rejeitada por vós, os edificadores, a qual foi posta como pedra angular.
12 कोनो दोसर व्‍यक्‍ति द्वारा उद्धार नहि अछि, कारण स्‍वर्गक नीचाँ मनुष्‍य केँ कोनो दोसर नाम नहि देल गेल अछि जाहि द्वारा अपना सभक उद्धार भऽ सकय।”
12 E em nenhum outro há salvação; porque debaixo do céu nenhum outro nome há, dado entre os homens, em que devamos ser salvos.
13 ओ सभ जखन पत्रुस आ यूहन्‍ना केँ निडर भऽ कऽ बजैत देखलनि आ ई बुझि जे ई सभ कम पढ़ल-लिखल साधारण लोक अछि, तँ हुनका सभ केँ बहुत आश्‍चर्य भेलनि आ ओ सभ बुझि गेलाह जे यीशुक संग रहलाक कारणेँ ई सभ एतेक अधिकारपूर्बक बाजि रहल अछि।
13 Então eles, vendo a intrepidez de Pedro e João, e tendo percebido que eram homens iletrados e indoutos, se admiravam; e reconheciam que haviam estado com Jesus.
14 मुदा हुनका सभक संग ओहि स्‍वस्‍थ कयल गेल आदमी केँ ठाढ़ देखि ओ सभ हुनका सभक विरोध मे किछु कहि नहि सकलाह।
14 E vendo em pé com eles o homem que fora curado, nada tinham que dizer em contrário.
15 ओ सभ अपना मे विचार-विमर्श करबाक लेल हुनका सभ केँ महासभा सँ बाहर करबा देलथिन। तखन ओ सभ आपस मे बात करऽ लगलाह जे,
15 Todavia, mandando-os sair do sinédrio, conferenciaram entre si,
16 “अपना सभ एकरा सभक संग की करी? ई सभ तँ एक चमत्‍कारपूर्ण काज कयलक, जकरा बारे मे सम्‍पूर्ण यरूशलेम जनैत अछि आ अपनो सभ अस्‍वीकार नहि कऽ सकैत छी।
16 dizendo: Que havemos de fazer a estes homens? porque a todos os que habitam em Jerusalém é manifesto que por eles foi feito um sinal notório, e não o podemos negar.
17 मुदा जाहि सँ ई बात जनता मे आरो नहि पसरि जाय, एकरा सभ केँ डेरा-धमका कऽ कहिऐक जे, तोँ सभ आब एहि नाम सँ ककरो संग कोनो चर्चा नहि करिहह।”
17 Mas, para que não se divulgue mais entre o povo, ameacemo-los para que de ora em diante não falem neste nome a homem algum.
18 तकरबाद ओ सभ हुनका सभ केँ बजा कऽ आज्ञा देलथिन, “तोँ सभ यीशुक नाम लऽ कऽ चर्चा करब आ लोक केँ उपदेश देब बन्‍द करह!”
18 E, chamando-os, ordenaram-lhes que absolutamente não falassem nem ensinassem em nome de Jesus.
19 मुदा एहि पर पत्रुस आ यूहन्‍ना उत्तर देलथिन, “की परमेश्‍वरक दृष्‍टि मे ई उचित होयत जे हम सभ परमेश्‍वरक बात सँ बढ़ि कऽ अहाँ सभक बात मानी, एकर निर्णय अहीं सभ करू।
19 Mas Pedro e João, respondendo, lhes disseram: Julgai vós se é justo diante de Deus ouvir-nos antes a vós do que a Deus;
20 ई तँ हमरा सभ सँ नहि भऽ सकैत अछि जे, जे बात हम सभ देखने आ सुनने छी से दोसर केँ नहि कहिऐक।”
20 pois nós não podemos deixar de falar das coisas que temos visto e ouvido.
21 अन्‍त मे ओ सभ हुनका सभ केँ आरो डेरा-धमका कऽ छोड़ि देलथिन। हुनका सभ केँ दण्‍ड देबाक कोनो उपाय नहि भेटलनि, कारण सभ लोक ओहि चमत्‍कारक कारणेँ परमेश्‍वरक स्‍तुति-प्रशंसा करैत छल
21 Mas eles ainda os ameaçaram mais, e, não achando motivo para os castigar, soltaram-nos, por causa do povo; porque todos glorificavam a Deus pelo que acontecera;
22 किएक तँ जे आदमी ओहि चमत्‍कार द्वारा स्‍वस्‍थ कयल गेल छल तकर अवस्‍था चालिस वर्ष सँ उपर छलैक।
22 pois tinha mais de quarenta anos o homem em quem se operara esta cura milagrosa.
23 ओतऽ सँ छुटलाक बाद पत्रुस आ यूहन्‍ना अपना संगी सभ लग आबि कऽ मुख्‍यपुरोहित आ बूढ़-प्रतिष्‍ठित लोकनिक कहल बात कहि सुनौलथिन।
23 E soltos eles, foram para os seus, e contaram tudo o que lhes haviam dito os principais sacerdotes e os anciãos.
24 सभ बात सुनि ओ सभ एक संग मिलि ऊँच स्‍वर मे परमेश्‍वर सँ एहि तरहेँ प्रार्थना करऽ लगलाह, “हे परम प्रभु, अहीं आकाश, पृथ्‍वी और समुद्र आ ओहि सभ मे जे किछु अछि, तकर सभक सृष्‍टिकर्ता छी।
24 Ao ouvirem isto, levantaram unanimemente a voz a Deus e disseram: Senhor, tu que fizeste o céu, a terra, o mar, e tudo o que neles há;
25 अहाँ अपना पवित्र आत्‍मा द्वारा अपन सेवक, हमरा सभक पूर्वज दाऊदक मुँह सँ ई कहने छी,
25 que pelo Espírito Santo, por boca de nosso pai Davi, teu servo, disseste: Por que se enfureceram os gentios, e os povos imaginaram coisas vãs?
26 प्रभु और हुनकर मसीहक विरोध मे
26 Levantaram-se os reis da terra, e as autoridades ajuntaram-se à uma, contra o Senhor e contra o seu Ungido.
27 सत्‍ये मे अहाँक पवित्र सेवक यीशु केँ, जिनका अहाँ उद्धारकर्ता-मसीह नियुक्‍त कयलहुँ तिनका विरोध मे राजा हेरोद और पुन्‍तियुस पिलातुस गैर-यहूदी और इस्राएली लोकक संग एही शहर मे षड्‌यन्‍त्र रचबाक लेल जमा भेल।
27 Porque verdadeiramente se ajuntaram, nesta cidade, contra o teu santo Servo Jesus, ao qual ungiste, não só Herodes, mas também Pôncio Pilatos com os gentios e os povos de Israel;
28 मुदा ओ सभ मात्र वैह कयलक जे अहाँ पहिनहि सँ अपन सामर्थ्‍य आ इच्‍छा सँ निश्‍चित कयने छलहुँ।
28 para fazerem tudo o que a tua mão e o teu conselho predeterminaram que se fizesse.
29 हे प्रभु, आब ओकरा सभक धमकी केँ देखू आ अपन सेवक सभ केँ ई वरदान दिअ जे अहाँक शुभ समाचार निर्भय भऽ कऽ सुनबैत रही।
29 Agora pois, ó Senhor, olha para as suas ameaças, e concede aos teus servos que falem com toda a intrepidez a tua palavra,
30 संगहि अपन हाथ बढ़ा कऽ पीड़ित लोक सभ केँ स्‍वस्‍थ करू आ अपन पवित्र सेवक यीशुक नाम सँ चमत्‍कारपूर्ण काज करबैत रहू।”
30 enquanto estendes a mão para curar e para que se façam sinais e prodígios pelo nome de teu santo Servo Jesus.
31 जखन ओ सभ प्रार्थना समाप्‍त कयलनि तखन ओ स्‍थान, जतऽ ओ सभ जमा भेल छलाह, से हिलि गेल और ओ सभ गोटे पवित्र आत्‍मा सँ भरि गेलाह आ निर्भयतापूर्बक परमेश्‍वरक वचन सुनाबऽ लगलाह।
31 E, tendo eles orado, tremeu o lugar em que estavam reunidos; e todos foram cheios do Espírito Santo, e anunciavam com intrepidez a palavra de Deus.
32 विश्‍वासी सभक समूह एक मोन एक प्राण छल। आ केओ अपना सम्‍पत्ति केँ अपने नहि बुझैत छलाह, बल्‍कि सभक सझिआ मानैत छलाह।
32 Da multidão dos que criam, era um só o coração e uma só a alma, e ninguém dizia que coisa alguma das que possuía era sua própria, mas todas as coisas lhes eram comuns.
33 मसीह-दूत सभ पूर्ण सामर्थ्‍यक संग प्रभु यीशुक जीबि उठनाइक सम्‍बन्‍ध मे अपन गवाही दैत छलाह। हुनका सभ गोटेक संग परमेश्‍वरक प्रशस्‍त आशिष छलनि।
33 Com grande poder os apóstolos davam testemunho da ressurreição do Senhor Jesus, e em todos eles havia abundante graça.
34 किनको कोनो बातक कमी नहि छलनि, कारण जिनका घर वा जमीन छलनि से सभ ओकरा बेचि-बेचि कऽ
34 Pois não havia entre eles necessitado algum; porque todos os que possuíam terras ou casas, vendendo-as, traziam o preço do que vendiam e o depositavam aos pés dos apóstolos.
35 ओकर मूल्‍य मसीह-दूत सभक चरण मे राखि दैत छलाह। तखन ओ पाइ जिनका जतबा आवश्‍यकता रहैत छलनि ताहि अनुसार बाँटल जाइत छल।
35 E se repartia a qualquer um que tivesse necessidade.
36 जेना साइप्रस-निवासी लेवी-कुलक यूसुफ नामक एक आदमी छलाह जिनका मसीह-दूत सभ बरनबास, अर्थात् “उत्‍साहित कयनिहार,” नाम देने छलनि,
36 Então José, cognominado pelos apóstolos Barnabé {que quer dizer, filho de consolação}, levita, natural de Chipre,
37 तिनका किछु जमीन छलनि, जकरा ओ बेचि कऽ ओकर मूल्‍य मसीह-दूत सभ केँ आनि कऽ देलथिन।
37 possuindo um campo, vendeu-o, trouxe o preço e o depositou aos pés dos apóstolos.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.