Atos 3

jivən səndesh (MAI) vs NAA

Sair da comparação
NAA Nova Almeida Atualizada 2017
1 एक दिन पत्रुस आ यूहन्‍ना दुपहरियाक तीन बजे प्रार्थनाक समय मे मन्‍दिर जा रहल छलाह।
1 Pedro e João estavam se dirigindo ao templo para a oração das três horas da tarde.
2 ओही समय मे किछु लोक जन्‍म सँ लोथ एक आदमी केँ अनलक और मन्‍दिरक “सुन्‍दर” नामक द्वारि लग, जतऽ ओकरा सभ दिन बैसा देल जाइत छल ततऽ राखि देलकैक, जाहि सँ ओ मन्‍दिर मे जाय-आबऽ वला लोक सभ सँ भीख माँगि सकय।
2 Estava sendo levado um homem, coxo de nascença, que diariamente era colocado à porta do templo chamada Formosa, para pedir esmolas aos que entravam.
3 ओ जखन पत्रुस आ यूहन्‍ना केँ भीतर जाइत देखलकनि तँ हुनका सभ सँ भीख मँगलक।
3 Quando ele viu Pedro e João, que iam entrar no templo, pediu que lhe dessem uma esmola.
4 पत्रुस आ यूहन्‍ना एकटक लगा कऽ ओकरा देखलनि। पत्रुस कहलथिन, “हमरा सभ दिस ताकह!”
4 Pedro, fitando-o, juntamente com João, disse: — Olhe para nós!
5 ओ लोथ आदमी हिनका सभ सँ किछु पयबाक आशा मे हिनका दिस तकलकनि।
5 Ele os olhava atentamente, esperando receber alguma coisa.
6 पत्रुस कहलथिन, “हमरा संग मे सोना वा चानी नहि अछि, मुदा जे किछु अछि से तोरा दैत छिअह। नासरत-निवासी यीशु मसीहक नाम सँ चलह-फिरह!”
6 Pedro, porém, lhe disse: — Não possuo nem prata nem ouro, mas o que tenho, isso lhe dou: em nome de Jesus Cristo, o Nazareno, levante-se e ande!
7 पत्रुस ओकर दहिना हाथ पकड़ि कऽ उठौलथिन, आ तखने ओकर पयर और घुट्ठी मे बल आबि गेलैक।
7 E, pegando na mão direita do homem, ajudou-o a se levantar. Imediatamente os seus pés e tornozelos se firmaram;
8 ओ फुर्ती सँ ठाढ़ भऽ गेल आ चलऽ-फिरऽ लागल। ओ दौड़ैत आ कुदि-कुदि कऽ चलैत और परमेश्‍वरक स्‍तुति करैत हुनका सभक संग मन्‍दिर मे प्रवेश कयलक।
8 e, dando um salto, ficou em pé, começou a andar e entrou com eles no templo, pulando e louvando a Deus.
9 लोक सभ ओकरा चलैत-फिरैत आ परमेश्‍वरक स्‍तुति करैत देखलक
9 Todo o povo viu o homem andando e louvando a Deus,
10 आ जखन चिन्‍हलकैक जे, ई वैह अछि जे मन्‍दिरक “सुन्‍दर द्वारि” लग बैसि कऽ भीख मँगैत छल तँ आश्‍चर्यित भऽ अवाक रहि गेल जे, एकरा ई कोना भऽ गेलैक?
10 e reconheceram que ele era o mesmo que pedia esmolas, assentado à Porta Formosa do templo; e ficaram muito admirados e espantados com o que lhe tinha acontecido.
11 ओ नीक कयल आदमी पत्रुस और यूहन्‍ना केँ पकड़नहि छल तखने सभ लोक आश्‍चर्य सँ भरल हुनका सभ लग “सुलेमानक असोरा” नामक जगह पर दौड़ि कऽ आयल।
11 Enquanto aquele homem ainda se mantinha ao lado de Pedro e João, todo o povo, perplexo, correu para junto deles no pórtico chamado de Salomão.
12 ई देखि पत्रुस ओकरा सभ केँ कहलथिन, “यौ इस्राएली भाइ लोकनि, एहि बात सँ अहाँ सभ आश्‍चर्यित किएक छी? अहाँ सभ हमरा सभ दिस एना किएक तकैत छी जेना हम सभ अपनहि शक्‍ति वा भक्‍ति सँ एकरा चलबाक सामर्थ्‍य देने होइऐक?
12 Quando Pedro viu isso, dirigiu-se ao povo, dizendo: — Israelitas, por que vocês estão admirados com isto ou por que estão com os olhos fixos em nós como se pelo nosso próprio poder ou piedade tivéssemos feito este homem andar?
13 अब्राहम, इसहाक और याकूबक परमेश्‍वर, अपना सभक पुरखा सभक परमेश्‍वर अपन सेवक यीशु केँ महिमा प्रदान कयलथिन। अहाँ सभ हुनका पकड़ि कऽ मृत्‍युदण्‍डक लेल पिलातुसक हाथ मे सौंपि देलहुँ और ओ जखन हुनका छोड़बाक निश्‍चय कयलनि तँ अहाँ सभ पिलातुसक समक्ष हुनका अस्‍वीकार कयलहुँ।
13 O Deus de Abraão, o Deus de Isaque e o Deus de Jacó, o Deus dos nossos pais, glorificou o seu Servo Jesus, a quem vocês traíram e negaram diante de Pilatos, quando este já havia decidido soltá-lo.
14 अस्‍वीकार कयलहुँ तिनका जे पवित्र और धार्मिक छलाह, और अपना लेल छोड़बाक माँग कयलहुँ तकरा जे खूनी आदमी छल।
14 Vocês negaram o Santo e o Justo e pediram que fosse solto um assassino.
15 एहि तरहेँ अहाँ सभ जीवनक स्रोत केँ मारि देलहुँ मुदा परमेश्‍वर हुनका जिआ देलथिन। हम सभ एहि बातक गवाह छी।
15 Vocês mataram o Autor da vida, a quem Deus ressuscitou dentre os mortos, do que nós somos testemunhas.
16 यीशुएक शक्‍ति सँ आ हुनका नाम पर विश्‍वास कयला सँ ई आदमी, जकरा अहाँ सभ देखि रहल छी आ चिन्‍हितो छी, से स्‍वस्‍थ कयल गेल अछि। हँ, ओही नाम पर विश्‍वास कयलाक कारणेँ ई लोथ आदमी एखन अहाँ सभक समक्ष पूर्ण स्‍वस्‍थ अछि।
16 Pela fé no nome de Jesus é que esse mesmo nome fortaleceu a este homem que vocês estão vendo e bem conhecem. Sim, a fé que vem por meio de Jesus deu a este homem saúde perfeita na presença de todos vocês.
17 “प्रिय भाइ लोकनि, हम जनैत छी जे अहाँ सभ और अहाँ सभक धर्मगुरु लोकनि सेहो बिनु किछु जननहि-बुझनहि ई काज कयलहुँ।
17 — E agora, irmãos, eu sei que vocês fizeram isso por ignorância, como também as suas autoridades o fizeram.
18 मुदा एहि तरहेँ परमेश्‍वर अपन ओहि बात केँ पूरा कयलनि जे ओ अपन सभ प्रवक्‍ता लोकनिक माध्‍यम सँ कहने छलाह जे, हमर उद्धारकर्ता-मसीह केँ दुःख उठाबऽ पड़तनि।
18 Mas Deus, assim, cumpriu o que tinha anunciado anteriormente pela boca de todos os profetas: que o seu Cristo havia de padecer.
19 तेँ आब अहाँ सभ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू और परमेश्‍वर लग आउ, जाहि सँ अहाँ सभक पाप मेटित होअय और प्रभु अहाँ सभ केँ आत्‍मिक उत्‍साहक समय प्रदान करथि,
19 Portanto, arrependam-se e se convertam, para que sejam cancelados os seus pecados,
20 और जाहि सँ अहाँ सभ लग परमेश्‍वर अपन मसीह केँ पठबथि जिनका ओ पहिनहि सँ नियुक्‍त कयने छथिन, अर्थात् यीशु केँ।
20 a fim de que, da presença do Senhor, venham tempos de refrigério, e que ele envie o Cristo, que já foi designado para vocês, a saber, Jesus,
21 ई आवश्‍यक अछि जे ओ ताबत धरि स्‍वर्ग मे रहथि जाबत धरि सभ बातक सुधार करबाक ओ समय नहि आओत जाहि समयक सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वर प्राचीन काल मे अपन चुनल प्रवक्‍ता लोकनि द्वारा वचन देने छथि।
21 ao qual é necessário que o céu receba até os tempos da restauração de todas as coisas, de que Deus falou por boca dos seus santos profetas desde a antiguidade.
22 मूसा कहने छलाह जे, ‘तोरा सभक प्रभु-परमेश्‍वर तोरा सभक लेल हमरा जकाँ एक प्रवक्‍ता तोरा सभक अपन लोक मे सँ नियुक्‍त करथुन। ओ तोरा सभ केँ जे किछु कहथुन से तोँ सभ मानिहह।
22 Porque Moisés disse: “O Senhor Deus fará com que, do meio dos irmãos de vocês, se levante um profeta semelhante a mim; a esse vocês ouvirão em tudo o que ele lhes disser.
23 जे केओ हुनकर बात नहि मानत से अपना लोक मे सँ नष्‍ट कयल जायत।’
23 Quem não der ouvidos a esse profeta será exterminado do meio do povo.”
24 एहि तरहेँ शमूएल सँ लऽ कऽ हुनका बाद मे एखन तक आबऽ वला परमेश्‍वरक सभ प्रवक्‍ता लोकनि एहि वर्तमान समयक भविष्‍यवाणी कयने छथि।
24 — E todos os profetas, a começar com Samuel, assim como todos os que falaram depois dele, também anunciaram estes dias.
25 ओ सभ जाहि बातक भविष्‍यवाणी कयलनि, से अहाँ सभक बीच पूरा भेल, और परमेश्‍वर वचन दऽ कऽ अहाँ सभक पूर्वज सभक संग जे विशेष सम्‍बन्‍ध स्‍थापित कयलनि, ताहि मे अहूँ सभ सहभागी छी। ओ अब्राहम केँ कहलथिन, ‘तोरा वंश द्वारा पृथ्‍वीक सभ जाति आशिष पाओत।’
25 Vocês são os filhos dos profetas e da aliança que Deus estabeleceu com os pais de vocês, dizendo a Abraão: “Na sua descendência, serão abençoadas todas as nações da terra.”
26 परमेश्‍वर अपन सेवक यीशु केँ नियुक्‍त कऽ कऽ सभ सँ पहिने अहीं सभ लग पठौलनि जाहि सँ ओ अहाँ सभ केँ अधलाह मार्ग सँ घुमा कऽ आशिष देथि।”
26 — Tendo Deus ressuscitado o seu Servo, enviou-o primeiramente a vocês para abençoá-los, no sentido de que cada um abandone as suas maldades.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.