Atos 2

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 पेन्‍तेकुस्‍त पाबनिक दिन अयला पर सभ विश्‍वासी एके ठाम जमा छलाह।
1 Chegando o dia de Pentecoste, estavam todos reunidos num só lugar.
2 एकाएक आकाश सँ बड़का अन्‍हड़-बिहारि जकाँ आवाज आयल और ओ घर जाहि मे ओ सभ बैसल छलाह से ओहि आवाज सँ गोंगिया उठल।
2 De repente veio do céu um som, como de um vento muito forte, e encheu toda a casa na qual estavam assentados.
3 ओ सभ देखलनि जे जीहक आकार मे आगि सनक कोनो वस्‍तु आयल और अलग-अलग भऽ कऽ हुनका सभ मे प्रत्‍येक गोटे पर रूकि गेल।
3 E viram o que parecia línguas de fogo, que se separaram e pousaram sobre cada um deles.
4 सभ केओ पवित्र आत्‍मा सँ परिपूर्ण भऽ गेलाह और पवित्र आत्‍मा हुनका सभ केँ जे बजबाक क्षमता देलनि, ताहि अनुसार ओ सभ भिन्‍न-भिन्‍न भाषा मे बाजऽ लगलाह।
4 Todos ficaram cheios do Espírito Santo e começaram a falar noutras línguas, conforme o Espírito os capacitava.
5 ओहि समय मे परमेश्‍वर केँ मानऽ वला बहुत देशक यहूदी सभ यरूशलेम मे रहैत छल।
5 Havia em Jerusalém judeus, tementes a Deus, vindos de todas as nações do mundo.
6 ई आवाज जखन भेल तँ बहुत लोक ओतऽ जमा भऽ गेल आ गुम्‍म रहि गेल, कारण मसीह-दूत सभ जे बात बजैत छलाह से ओ सभ अपना-अपना भाषा मे सुनैत छल।
6 Ouvindo-se este som, ajuntou-se uma multidão que ficou perplexa, pois cada um os ouvia falar em sua própria língua.
7 ओ सभ अकचका कऽ कहलक, “की ई सभ जे बाजि रहल छथि से सभ गलीले प्रदेशक नहि छथि?
7 Atônitos e maravilhados, eles perguntavam: "Acaso não são galileus todos estes homens que estão falando?
8 तँ ई कोना भेल जे अपना सभ हिनकर सभक बात अपना-अपना मातृभाषा मे सुनि रहल छी?
8 Então, como os ouvimos, cada um de nós, em nossa própria língua materna?
9 अपना सभ जे पार्थी, मेदी और एलामी लोक छी, मेसोपोतामिया, यहूदिया, कप्‍पदुकिया, पुन्‍तुस, आसिया,
9 Partos, medos e elamitas; habitantes da Mesopotâmia, Judéia e Capadócia, Ponto e da província da Ásia,
10 फ्रूगिया, पंफूलिया, मिस्र और कुरेनक लग मे पड़ऽ वला लिबियाइ क्षेत्रक निवासी छी, रोम सँ आयल यहूदी लोक आ दोसर समाजक लोक जे यहूदी धर्म केँ स्‍वीकार कयने अछि,
10 Frígia e Panfília, Egito e das partes da Líbia próximas a Cirene; visitantes vindos de Roma,
11 से छी, क्रेत द्वीपक वासी और अरबी लोक सभ छी—से हिनका सभक मुँह सँ परमेश्‍वरक महान्‌ काजक चर्चा अपना-अपना भाषा मे कोना सुनि रहल छी?”
11 tanto judeus como convertidos ao judaísmo; cretenses e árabes. Nós os ouvimos declarar as maravilhas de Deus em nossa própria língua! "
12 ओ सभ आश्‍चर्यित भऽ कऽ एक-दोसर सँ पुछऽ लागल, “एकर अर्थ की भऽ सकैत अछि?”
12 Atônitos e perplexos, todos perguntavam uns aos outros: "Que significa isto? "
13 एहि पर किछु लोक ठट्ठा करैत कहऽ लागल, “ई सभ दारू पिबि कऽ मातल अछि।”
13 Alguns, todavia, zombavam deles e diziam: "Eles beberam vinho demais".
14 तखन पत्रुस एगारहो मसीह-दूतक संग ठाढ़ भेलाह और भीड़क लोक केँ जोर सँ कहऽ लगलथिन, “यहूदी भाइ लोकनि आ यरूशलेमक सभ निवासी, हम जे किछु कहैत छी तकरा ध्‍यानपूर्बक सुनू।
14 Então Pedro levantou-se com os Onze e, em alta voz, dirigiu-se à multidão: "Homens da Judéia e todos os que vivem em Jerusalém, deixem-me explicar-lhes isto! Ouçam com atenção:
15 अहाँ सभ ई बुझि लिअ जे हम सभ मातल नहि छी, जेना कि अहाँ सभ सोचि रहल छी, कारण एखन तँ भोरक नौए बाजल अछि!
15 estes homens não estão bêbados, como vocês supõem. Ainda são nove horas da manhã!
16 नहि, ई वैह बात अछि जकरा सम्‍बन्‍ध मे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता योएल कहने छथि,
16 Pelo contrário, isto é o que foi predito pelo profeta Joel:
17 ‘परमेश्‍वर ई कहैत छथि जे,
17 ‘Nos últimos dias, diz Deus, derramarei do meu Espírito sobre todos os povos. Os seus filhos e as suas filhas profetizarão, os jovens terão visões, os velhos terão sonhos.
18 हँ, हम अपन दास-दासी सभ केँ सेहो ओहि समय मे अपन आत्‍मा देबैक
18 Sobre os meus servos e as minhas servas derramarei do meu Espírito naqueles dias, e eles profetizarão.
19 हम ऊपर आकाश मे अद्‌भुत काज सभ करब
19 Mostrarei maravilhas em cima no céu e sinais em baixo, na terra, sangue, fogo e nuvens de fumaça.
20 परमेश्‍वरक महान् महिमापूर्ण दिन आबऽ सँ पहिने
20 O sol se tornará em trevas e a lua em sangue, antes que venha o grande e glorioso dia do Senhor.
21 मुदा जे केओ प्रभु सँ विनती करत तकर उद्धार होयतैक।’
21 E todo aquele que invocar o nome do Senhor será salvo! ’
22 “इस्राएली भाइ लोकनि, हमर बात सुनू। परमेश्‍वर नासरत-निवासी यीशु द्वारा अहाँ सभक बीच मे बहुत आश्‍चर्यजनक काज आ चमत्‍कारपूर्ण चिन्‍ह देखौलनि, जे अहाँ सभ केँ बुझले अछि। ओ एहि काज आ चिन्‍ह सभक द्वारा एहि बात केँ प्रमाणित कयलनि जे हुनका ओ अपने पठौने छथि।
22 "Israelitas, ouçam estas palavras: Jesus de Nazaré foi aprovado por Deus diante de vocês por meio de milagres, maravilhas e sinais, que Deus fez entre vocês por intermédio dele, como vocês mesmos sabem.
23 ओ परमेश्‍वरक निश्‍चित योजना आ पूर्वज्ञानक अनुसार अहाँ सभक जिम्‍मा मे देल गेलाह और अहाँ सभ हुनका अधर्मी सभक हाथेँ क्रूस पर चढ़बा कऽ मारि देलियनि।
23 Este homem lhes foi entregue por propósito determinado e pré-conhecimento de Deus; e vocês, com a ajuda de homens perversos, o mataram, pregando-o na cruz.
24 मुदा परमेश्‍वर हुनका मृत्‍युक कष्‍ट सँ मुक्‍त कऽ कऽ फेर जीवित कऽ देलथिन, कारण ई असम्‍भव छल जे मृत्‍यु अपना वश मे हुनका रखितनि।
24 Mas Deus o ressuscitou dos mortos, rompendo os laços da morte, porque era impossível que a morte o retivesse.
25 जेना दाऊद हुनका विषय मे कहलनि,
25 A respeito dele, disse Davi: ‘Eu sempre via o Senhor diante de mim. Porque ele está à minha direita, não serei abalado.
26 एहि कारणेँ हम खुशी मोन सँ अहाँक स्‍तुति गबैत छी,
26 Por isso o meu coração está alegre e a minha língua exulta; o meu corpo também repousará em esperança,
27 कारण, अहाँ हमरा मरले नहि छोड़ब
27 porque tu não me abandonarás no sepulcro, nem permitirás que o teu Santo sofra decomposição.
28 अहाँ हमरा जीवनक बाट देखौने छी;
28 Tu me fizeste conhecer os caminhos da vida e me encherás de alegria na tua presença’.
29 “भाइ लोकनि, हम अहाँ सभ केँ खुलि कऽ कहि सकैत छी जे अपना सभक कुल-पिता दाऊद मरलाह आ गाड़ल गेलाह और हुनकर कबर एखनो कायम अछि।
29 "Irmãos, posso dizer-lhes com franqueza que o patriarca Davi morreu e foi sepultado, e o seu túmulo está entre nós até o dia de hoje.
30 मुदा ओ परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता छलाह और ओ जनैत छलाह जे परमेश्‍वर सपत खा कऽ हुनका वचन देने छथिन जे, हम तोरा वंश मे सँ एक आदमी केँ तोरा सिंहासन पर बैसयबह।
30 Mas ele era profeta e sabia que Deus lhe prometera sob juramento que colocaria um dos seus descendentes em seu trono.
31 तेँ जखन ओ कहलनि जे हमरा मरले नहि छोड़ल जायत आ ने हमर शरीर सड़त तँ से ओ उद्धारकर्ता-मसीहक जीबि उठनाइक सम्‍बन्‍ध मे कहलनि, किएक तँ परमेश्‍वर हुनका पहिने सँ ओ बात देखौने छलथिन।
31 Prevendo isso, falou da ressurreição do Cristo, que não foi abandonado no sepulcro e cujo corpo não sofreu decomposição.
32 एही यीशु केँ परमेश्‍वर जिआ देलथिन तकर हम सभ केओ साक्षी छी।
32 Deus ressuscitou este Jesus, e todos nós somos testemunhas desse fato.
33 हुनका परमेश्‍वरक दहिना कातक सर्वोच्‍च पद देल गेलनि, और जहिना पिता हुनका वचन देने छलथिन, तहिना ओ हुनका सँ पवित्र आत्‍मा प्राप्‍त कयलनि। और अहाँ सभ आइ जे बात देखि आ सुनि रहल छी, से एकर परिणाम अछि जे ओ हमरा सभ केँ वैह पवित्र आत्‍मा देने छथि।
33 Exaltado à direita de Deus, ele recebeu do Pai o Espírito Santo prometido e derramou o que vocês agora vêem e ouvem.
34 दाऊद तँ स्‍वर्ग पर नहि उठाओल गेलाह, तैयो ओ बजलाह,
34 Pois Davi não subiu ao céu, mas ele mesmo declarou: ‘O Senhor disse ao meu Senhor: Senta-te à minha direita
35 और हम अहाँक शत्रु सभ केँ अहाँक पयरक तर मे कऽ देब।’
35 até que eu ponha os teus inimigos como estrado para os teus pés’.
36 “तेँ समस्‍त इस्राएली लोक ई निश्‍चय जानि लेअय जे एही यीशु केँ जिनका अहाँ सभ क्रूस पर चढ़ा कऽ मारि देलियनि, परमेश्‍वर तिनके प्रभु और उद्धारकर्ता-मसीह ठहरा देलथिन।”
36 "Portanto, que todo Israel fique certo disto: Este Jesus, a quem vocês crucificaram, Deus o fez Senhor e Cristo".
37 सुनऽ वला लोक सभक मोन मे ई बात गड़ि गेलैक, और ओ सभ पत्रुस और आन मसीह-दूत सभ सँ पुछलकनि, “यौ भाइ लोकनि, हम सभ आब की करू?”
37 Quando ouviram isso, os seus corações ficaram aflitos, e eles perguntaram a Pedro e aos outros apóstolos: "Irmãos, que faremos? "
38 पत्रुस उत्तर देलथिन, “अहाँ सभ गोटे अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू और यीशु मसीहक नाम सँ बपतिस्‍मा लिअ, जाहि सँ परमेश्‍वर अहाँ सभक पाप केँ क्षमा करथि आ अहाँ सभ केँ पवित्र आत्‍मा प्रदान करथि।
38 Pedro respondeu: "Arrependam-se, e cada um de vocês seja batizado em nome de Jesus Cristo, para perdão dos seus pecados, e receberão o dom do Espírito Santo.
39 कारण, परमेश्‍वर जे वचन देलनि, से अहाँ सभक लेल और अहाँ सभक सन्‍तानक लेल अछि, और तकरो सभक लेल जे दूर-दूर रहैत अछि; हँ, तकरा सभ गोटेक लेल जकरा सभ केँ अपना सभक प्रभु-परमेश्‍वर अपना लग बजौथिन।”
39 Pois a promessa é para vocês, para os seus filhos e para todos os que estão longe, para todos quantos o Senhor, o nosso Deus chamar".
40 पत्रुस आरो बहुत बात द्वारा ओकरा सभ केँ बुझौलथिन आ चेतावनी दैत आग्रह कयलथिन जे, “अहाँ सभ एहि भ्रष्‍ट पीढ़ी पर आबऽ वला दण्‍ड सँ बँचू!”
40 Com muitas outras palavras os advertia e insistia com eles: "Salvem-se desta geração corrompida! "
41 जे सभ हुनकर बात स्‍वीकार कयलक, से सभ बपतिस्‍मा लेलक। ओहि दिन करीब तीन हजार लोक विश्‍वासी सभक समूह मे सम्‍मिलित भऽ गेल।
41 Os que aceitaram a mensagem foram batizados, e naquele dia houve um acréscimo de cerca de três mil pessoas.
42 ओ सभ मसीह-दूत सभक शिक्षा मे, सत्‍संग मे, “प्रभु-भोज” मे आ प्रार्थना मे तल्‍लीन रहऽ लागल।
42 Eles se dedicavam ao ensino dos apóstolos e à comunhão, ao partir do pão e às orações.
43 मसीह-दूत सभक द्वारा बहुत चमत्‍कारपूर्ण काज आ चिन्‍ह सभ देखाओल जाइत छल जकरा देखि सभ लोक आश्‍चर्य आ भय सँ भरि जाइत छल।
43 Todos estavam cheios de temor, e muitas maravilhas e sinais eram feitos pelos apóstolos.
44 सभ विश्‍वासी मिलि-जुलि कऽ रहैत छलाह, और सभ धन-सम्‍पत्ति केँ सझिआ बुझैत छलाह।
44 Todos os que criam mantinham-se unidos e tinham tudo em comum.
45 ओ सभ अपन घर-जमीन वा धन-सम्‍पत्ति बेचि कऽ जिनका जेहन आवश्‍यकता होइत छलनि, ताहि अनुसार अपना मे बाँटि लैत छलाह।
45 Vendendo suas propriedades e bens, distribuíam a cada um conforme a sua necessidade.
46 हरेक दिन ओ सभ मन्‍दिर मे जमा होइत छलाह, घर-घर मे “प्रभु-भोज” ग्रहण करैत छलाह, और खुशी आ विनम्र मोन सँ एक संग भोजन करैत छलाह।
46 Todos os dias, continuavam a reunir-se no pátio do templo. Partiam o pão em suas casas, e juntos participavam das refeições, com alegria e sinceridade de coração,
47 ओ सभ परमेश्‍वरक स्‍तुति करैत रहलाह और सभ लोक हुनका सभ सँ प्रसन्‍न छलनि। प्रभु प्रति दिन आरो-आरो लोक सभ केँ जे सभ उद्धार पबैत छलाह तिनका सभ केँ विश्‍वासी सभक समूह मे सम्‍मिलित करैत जाइत छलाह।
47 louvando a Deus e tendo a simpatia de todo o povo. E o Senhor lhes acrescentava todos os dias os que iam sendo salvos.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.