Atos 27

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 जखन ई निश्‍चय भऽ गेल जे हम सभ पानि जहाज सँ इटली देश जायब तँ पौलुस और दोसरो बन्‍दी सभ केँ सम्राटक सैन्‍यदलक कप्‍तान यूलियुसक जिम्‍मा मे लगा देल गेलनि।
1 Logo que foi determinado que embarcássemos para a Itália, Paulo foi entregue com outros presos a um centurião da coorte Augusta, chamado Júlio.
2 हम सभ अद्रमुतियुम नगरक एक जहाज जे आसिया प्रदेशक समुद्रक कछेर पर पड़ऽ वला शहर सभ होइत जाय वला छल, ताहि पर चढ़ि कऽ विदा भेलहुँ। हमरा सभक संग मकिदुनिया प्रदेशक थिसलुनिका नगरक निवासी अरिस्‍तर्खुस सेहो छलाह।
2 Embarcamos num navio de Adramito que devia costear as terras da Ásia, e levantamos âncora. Em nossa companhia estava Aristarco, macedônio de Tessalônica.
3 दोसर दिन सीदोन नगर मे पहुँचलहुँ। ओतऽ यूलियुस पौलुस पर दया कऽ कऽ हुनका संगी-साथी सभक ओहिठाम जा कऽ अपन आवश्‍यकताक वस्‍तु स्‍वीकार करबाक अनुमति देलथिन।
3 No dia seguinte, fazendo escala em Sidônia, Júlio, usando de bondade com Paulo, permitiu-lhe ir ver os seus amigos e prover-se do que havia de necessário.
4 ओतऽ सँ ओही जहाज सँ फेर विदा भेलहुँ, और हवा विपरीत दिस सँ रहबाक कारणेँ हम सभ साइप्रस द्वीपक अऽढ़ मे चललहुँ।
4 Dali, fazendo-nos ao mar, fomos navegando perto das costas de Chipre, por nos serem contrários os ventos.
5 तखन किलिकिया और पंफूलिया प्रदेशक सामनेक समुद्री भाग दऽ कऽ आगाँ बढ़ि लुकिया प्रदेशक मूरा नामक स्‍थान पर पहुँचलहुँ।
5 Tendo atravessado o mar da Cilícia e da Panfília, chegamos a Mira, cidade da Lícia.
6 ओतऽ कप्‍तान केँ सिकन्‍दरिया नगरक एक जहाज भेटलनि जे इटली देश जा रहल छल। ओ हमरा सभ केँ ओहि पर चढ़ा देलनि।
6 O centurião encontrou ali um navio de Alexandria, que rumava para a Itália, e fez-nos passar para ele.
7 कतेक दिन धरि धिरे-धिरे आगाँ बढ़ैत अन्‍त मे बहुत कठिनाइ सँ हम सभ कनिदुस नगर लग पहुँचलहुँ। हवा हमरा सभ केँ ओहि दिस आरो आगाँ बढ़ऽ नहि दऽ रहल छल आ तेँ हम सभ सलमोन नगर लग क्रेत द्वीपक अऽढ़ मे चल गेलहुँ।
7 Por muitos dias navegamos lentamente e com dificuldade até diante de Cnido, onde o vento não nos permitiu aportar.
8 द्वीपक काते-काते बहुत कठिनाइ सँ आगाँ बढ़ैत हम सभ “असल शरण” नामक स्‍थान पर पहुँचलहुँ, जे लसिया नगर लग अछि।
8 Fomos então costeando ao sul da ilha de Creta, junto ao cabo Salmona. Navegando com dificuldade ao longo da costa, chegamos afinal a um lugar, a que chamam Bons Portos, perto do qual está a cidade de Lasaia.
9 एहि तरहेँ बहुत समय बिति गेल छल। प्रायश्‍चित्त-दिवसक उपास सेहो बिति गेल छल, और जल-यात्रा करब आब खतरनाक छल। तेँ पौलुस लोक सभ केँ ई चेतावनी देलथिन जे,
9 Passara o tempo - já havia passado a época do jejum - e a navegação se tornava perigosa. Paulo advertiu-os:
10 “यौ मित्र लोकनि! हम देखैत छी जे एहि यात्रा मे एखन आगाँ बढ़ला सँ बहुत भारी खतरा होयत। मात्र जहाज आ माल-सामानक नहि, बल्‍कि अपना सभ केँ अपन प्राणोक हानि उठाबऽ पड़त।”
10 Amigos, vejo que a navegação não se fará sem perigo e sem graves danos, não somente ao navio e à sua carga, mas ainda às nossas vidas.
11 मुदा सेनाक कप्‍तान पौलुसक सल्‍लाह नहि मानि कऽ जहाजक कप्‍तान आ मालिकक बात मानलनि।
11 O centurião, porém, dava mais crédito ao piloto e ao mestre do que ao que Paulo dizia.
12 एहि स्‍थान पर जाड़ मास बितयबाक लेल जहाज ठाढ़ करबाक उपयुक्‍त जगह नहि छल, आ तेँ अधिकांश लोक एहि आशा मे आगाँ बढ़ऽ चाहैत छल जे कोहुना कऽ फीनिक्‍स नगर तक पहुँचि जाइ और ओतहि जाड़ मास बिताबी। फीनिक्‍स क्रेत द्वीपक एक बन्‍दरगाह अछि जकर मुँह दक्षिण-पश्‍चिम आ उत्तर-पश्‍चिमक दिस अछि।
12 O porto era impróprio para passar o inverno, pelo que a maior parte deles foi de parecer que se retornasse ao mar, na esperança de chegar a Fenice, para passar ali o inverno, por ser esse um porto de Creta, abrigado dos ventos do sudeste e do nordeste.
13 जखन दक्षिण सँ हवा सिहकऽ लागल तँ ई सोचि जे हमरा सभक उद्देश्‍य पूरा भऽ गेल, नाविक सभ लंगर खोललक आ क्रेत द्वीपक काते-काते बढ़ऽ लागल।
13 Soprava então brandamente o vento sul. Julgavam poder executar os seus planos. Levantaram a âncora e foram costeando de perto a ilha de Creta.
14 मुदा कनेके कालक बाद द्वीपक दिस सँ भयंकर अन्‍हड़-बिहारि उठल जे “उत्तरबरिया-पुबरिया” कहबैत अछि।
14 Mas, não muito depois, veio do lado da ilha um tufão chamado Euroaquilão.
15 जहाज अन्‍हड़-बिहारि मे तेना ने फँसि गेल जे नाविक सभ जेम्‍हर सँ अन्‍हड़-बिहारि आबि रहल छल जहाज केँ तेम्‍हर मोड़ऽ सँ असमर्थ भऽ गेल। तेँ हम सभ अपना केँ हवाक रुखि पर छोड़ि देलहुँ जे जतऽ लऽ जाय।
15 Sem poder resistir à ventania, o navio foi arrebatado e deixamo-nos arrastar.
16 कौदा नामक छोट द्वीपक अऽढ़ मे पहुँचला पर हम सभ बहुत कठिनाइ सँ जहाजक पाछाँ बान्‍हल छोट नाव केँ अपना वश मे कऽ सकलहुँ।
16 Impelidos rapidamente para uma pequena ilha chamada Cauda, conseguimos, com muito esforço, recolher o batel.
17 ओकरा जहाज पर लऽ लेलाक बाद नाविक सभ जहाज केँ मजगूत बनयबाक उद्देश्‍य सँ जहाज केँ नीचाँ-ऊपर रस्‍सी लपेटि कऽ बन्‍हलक। तकरबाद, एहि डरेँ जे जहाज कहीं सुरतिस नामक बालु वला क्षेत्र मे ने धँसि जाय, ओ सभ पाल उतारि कऽ जहाज केँ ओहिना हवा मे दहाय देलक।
17 Içaram-no e, depois, como meio de segurança, cingiram o navio com cabos. Então, temendo encalhar em Sirte, arriaram as velas e entregaram-se à mercê dos ventos.
18 अन्‍हड़-बिहारि हमरा सभ केँ ततेक झकझोड़ि रहल छल जे प्रात भेने ओ सभ जहाज परक माल-सामान समुद्र मे फेकऽ लागल।
18 No dia seguinte, sendo a tempestade ainda mais violenta, atiraram fora a carga.
19 तेसर दिन ओ सभ अपने हाथ सँ जहाजक रस्‍सी-पाल इत्‍यादि फेकि देलक।
19 No terceiro dia, atiramos para fora com as nossas próprias mãos os acessórios do navio.
20 बहुतो दिन तक जखन सूर्य आ तारा सभ देखाइ नहि देलक और अन्‍हड़-बिहारि चलिते रहल तँ हमरा सभ केँ बचबाक कोनो आशा नहि रहि गेल।
20 Ora, não aparecendo por muitos dias nem sol nem estrelas e sendo batidos por forte tempestade, tínhamos por fim perdido toda a esperança de sermos salvos.
21 जहाज परक लोक सभ बहुतो दिन सँ भोजन नहि कऽ रहल छल। तखन सभक बीच ठाढ़ भऽ कऽ पौलुस कहलथिन, “मित्र लोकनि! उचित तँ ई छल जे अहाँ सभ हमर सल्‍लाह मानि कऽ क्रेत द्वीप सँ विदाए नहि भेल रहितहुँ। तखन ने ई विपत्ति अबैत आ ने ई हानि उठाबऽ पड़ैत।
21 Desde muito tempo ninguém havia comido nada. Paulo levantou-se no meio deles e disse: Amigos, deveras devíeis ter-me atendido e não ter saído de Creta, e assim evitar esse perigo e essas perdas.
22 मुदा एखनो हम अहाँ सभ सँ आग्रह करैत छी जे, साहस राखू, कारण ककरो प्राणक हानि नहि उठाबऽ पड़त, मात्र जहाज नष्‍ट भऽ जायत।
22 Agora, porém, vos admoesto a que tenhais coragem, pois não perecerá nenhum de vós, mas somente o navio.
23 आइए राति मे, परमेश्‍वर, जिनकर हम छियनि आ जिनकर सेवा करैत छी, तिनकर स्‍वर्गदूत हमरा लग ठाढ़ भऽ कऽ कहलनि जे,
23 Esta noite apareceu-me um anjo de Deus, a quem pertenço e a quem sirvo, o qual me disse:
24 ‘हौ पौलुस, डेराह नहि! तोँ सम्राटक समक्ष अवश्‍य ठाढ़ होयबह। और परमेश्‍वर तोरा पर दया कऽ कऽ, तकरा सभ केँ सुरक्षित रखथुन जे सभ तोरा संग यात्रा कऽ रहल छह।’
24 Não temas, Paulo. É necessário que compareças diante de César. Deus deu-te todos os que navegam contigo.
25 तेँ अहाँ सभ साहस राखू! कारण, हमरा परमेश्‍वर पर पूरा विश्‍वास अछि जे जेना हमरा कहल गेल अछि तेना हयबो करत।
25 Por isso, amigos, coragem! Eu confio em Deus que há de acontecer como me foi dito.
26 मुदा अपना सभक जहाज कोनो द्वीप पर भसिया जायत।”
26 Vamos dar a uma ilha.
27 चौदहम राति मे जखन आद्रिया सागर मे एम्‍हर-ओम्‍हर भटकि रहल छलहुँ तँ करीब दुपहर राति कऽ नाविक सभ केँ बुझयलैक जे कोनो कछेरक लग मे आबि गेल छी।
27 Já estávamos na décima quarta noite, pelo mar Adriático, quando, pela meia-noite, os marinheiros pressentiram que estavam perto de alguma terra.
28 ओ सभ जखन थाह लेलक तँ ओतऽ अस्‍सी हाथ गहिंराइ छलैक। कनेक कालक बाद फेर थाह लेलक तँ साठि हाथ भेटलैक।
28 Então, atirando a sonda, perceberam que a profundidade era de vinte braças. Depois, um pouco mais adiante, viram que era de quinze braças.
29 एहि डरेँ जे कहीं पाथर सभ मे ने टकरा जाइ ओ सभ जहाजक पछिलका भाग सँ चारिटा लंगर समुद्र मे खसा देलक आ भोर होयबाक प्रतीक्षा करऽ लागल।
29 Temendo que déssemos em algum recife, lançaram quatro âncoras da popa, esperando ansiosos que amanhecesse o dia.
30 नाविक सभ केँ जहाज पर सँ भागि जयबाक विचार छलैक, तेँ जहाजक अगिला भाग सँ लंगर खसयबाक बहाना सँ ओ सभ छोटका नाव समुद्र मे उतारने छल।
30 Imediatamente, os marinheiros procuraram fugir e, sob o pretexto de largar as âncoras da proa, lançaram o bote ao mar.
31 मुदा पौलुस सेनाक कप्‍तान और सैनिक सभ केँ कहलथिन, “ई सभ जँ जहाज पर नहि रहत तँ अहूँ सभ नहि बाँचब।”
31 Paulo disse ao centurião e aos soldados: Se estes homens não permanecerem no navio, não podereis salvar-vos.
32 तेँ सैनिक सभ रस्‍सी सभ काटि कऽ ओहि छोटका नाव केँ समुद्र मे दहा देलक।
32 Os soldados cortaram, então, os cabos do bote e deixaram-no cair.
33 जखन भोर होमऽ-होमऽ पर छल तँ पौलुस सभ केँ भोजन करबाक लेल आग्रह कयलथिन। ओ कहलथिन, “आइ चौदह दिन भऽ गेल जे अहाँ सभ चिन्‍ताक कारणेँ भूखले छी, किछु नहि खयलहुँ हँ।
33 Enquanto ia amanhecendo, Paulo encorajou a todos que comessem alguma coisa, e disse: Já faz hoje catorze dias que estais em jejum, sem comer nada.
34 आब हम अहाँ सभ सँ विनती करैत छी, किछु खा लिअ! नहि तँ बाँचब कोना? अहाँ सभ मे सँ ककरो कोनो तरहक हानि नहि होयत।”
34 Rogo-vos que comais alguma coisa, no interesse de vossa vida, porque nem um cabelo da cabeça de alguém de vós perecerá.
35 एतबा कहि ओ रोटी लेलनि आ सभक सामने मे परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद दऽ कऽ रोटी तोड़ि खाय लगलाह।
35 Tendo dito isso, tomou do pão, pronunciou uma bênção na presença de todos e, depois de parti-lo, começou a comer.
36 एहि सँ सभ केँ साहस भेटलैक आ ओहो सभ भोजन करऽ लागल।
36 Com isso, todos cobraram ânimo e puseram-se igualmente a comer.
37 जहाज पर सभ मिला कऽ हम सभ 276 गोटे छलहुँ।
37 No navio éramos ao todo duzentas e setenta e seis pessoas.
38 भरि इच्‍छा भोजन कयलाक बाद ओ सभ जहाज परक भार हल्‍लुक करबाक लेल गहुम केँ समुद्र मे फेकि देलक।
38 Depois de terem comido à vontade, aliviaram o navio, atirando o trigo ao mar.
39 भोर भेला पर ओ सभ ओहि लगक जगह केँ नहि चिन्‍हि सकल, मुदा ओकरा सभक दृष्‍टि कछेर परक एक लम्‍बा-चौड़ा बालु वला भाग पर पड़लैक, और ओ सभ निर्णय कयलक जे जँ सम्‍भव होअय तँ जहाज केँ ओही भाग मे लगाओल जाय।
39 Afinal, clareou o dia. Os marinheiros não reconheceram a terra, mas viram uma enseada com uma praia, na qual tencionavam encalhar o navio, caso o pudessem.
40 ओ सभ लंगरक रस्‍सी सभ काटि कऽ लंगर सभ केँ समुद्र मे छोड़ि देलक, आ संगहि पतवारक बन्‍हन ढील कऽ देलक। तखन जहाजक अगिला भागक पाल हवाक सम्‍मुख चढ़ा कऽ कछेर दिस आगाँ बढ़ल।
40 Levantaram as âncoras e largaram ao mesmo tempo as amarras dos lemes. Desfraldaram ao vento a vela mestra e rumaram para a praia.
41 मुदा जहाज पानि मेहक बलुआह भाग मे टकरा कऽ फँसि गेल। जहाजक अगिला भाग तेना धँसि गेल जे टस्‍स सँ मस्‍स नहि होइत छल, आ पछिलका भाग बड़का लहरि सभ सँ टकरा-टकरा कऽ टुकड़ा-टुकड़ा भऽ रहल छल।
41 Mas deram numa língua de terra, e o navio encalhou aí. A proa, encalhada, permanecia imóvel, ao mesmo tempo que a popa se abria com a força do mar.
42 सैनिक सभक विचार छलैक जे कैदी सभ केँ जान सँ मारि दी जाहि सँ केओ हेलि कऽ भागि नहि सकय।
42 Os soldados tencionavam matar os presos, por temerem que algum deles fugisse a nado.
43 मुदा सेनाक कप्‍तान केँ पौलुसक जान बचयबाक इच्‍छा छलनि, तेँ ओ ओकरा सभ केँ एना करऽ सँ रोकि देलथिन। ओ आज्ञा देलनि जे जकरा सभ केँ हेलऽ अबैत होइक से सभ पहिने पानि मे कुदय और हेलि कऽ कछेर पर चल जाय,
43 O centurião, porém, querendo salvar Paulo, impediu que o fizessem e ordenou que aqueles que pudessem nadar fossem os primeiros a lançar-se ao mar e alcançar a terra.
44 आ बाँकी लोक काठक पटरा वा जहाजक कोनो टुटल टुकड़ाक सहारा लऽ कऽ पाछाँ सँ जाय। एना कऽ कऽ सभ केओ ओहि भूमि पर सकुशल पहुँचि गेलहुँ।
44 Os demais, uns atingiram a terra em tábuas, outros em cima dos destroços do navio. Desse modo, todos conseguiram chegar à terra, sãos e salvos.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 27, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.