Atos 22

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 “बाबू-भैया लोकनि, हम अपना बारे मे जे कहऽ चाहैत छी से सुनू।”
1 Irmãos e pais, ouvi o que vos tenho a dizer em minha defesa.
2 लोक सभ जखन अपना इब्रानी भाषा मे हुनका बजैत सुनलक तँ आरो शान्‍त भऽ गेल। पौलुस आगाँ कहऽ लगलथिन,
2 Quando ouviram que lhes falava em língua hebraica, escutaram-no com a maior atenção.
3 “हम यहूदी छी। किलिकिया प्रदेशक तरसुस नगर मे हमर जन्‍म भेल, मुदा हमर पालन-पोषण एहि यरूशलेम शहर मे भेल। एतऽ आचार्य गमालिएलक चरण मे हमर शिक्षा-दीक्षा भेल। अपना सभक पूर्वजक धर्म-नियम सभ निष्‍ठापूर्बक पालन करबाक लेल हमरा विस्‍तारपूर्बक सिखाओल गेल, और हम परमेश्‍वरक लेल एहन उत्‍साह सँ समर्पित छलहुँ जेना अहाँ सभ आइ छी।
3 Continuou ele: Eu sou judeu, nasci em Tarso da Cilícia, mas criei-me nesta cidade, instruí-me aos pés de Gamaliel, em toda a observância da lei de nossos pais, partidário entusiasta da causa de Deus como todos vós também o sois no dia de hoje.
4 एहि ‘बाट’ पर विश्‍वास कयनिहार सभ केँ सता कऽ हम मारिओ दैत छलहुँ—पुरुष आ स्‍त्रीगण दूनू केँ बान्‍हि-बान्‍हि कऽ जहल मे रखबा दैत छलहुँ।
4 Eu persegui de morte essa doutrina, prendendo e metendo em cárceres homens e mulheres.
5 एहि बातक गवाह महापुरोहित अपने आ धर्मसभाक सदस्‍य सभ छथि। ओ सभ दमिश्‍कक यहूदी भाय सभक नामे हमरा पत्रो देलनि जाहि सँ हम दमिश्‍क जा कऽ विश्‍वासी सभ केँ बन्‍दी बना कऽ यरूशलेम आनि दण्‍ड दिआ सकी।
5 O sumo sacerdote e todo o conselho dos anciãos me são testemunhas. E foi deles que também recebi cartas para os irmãos de Damasco, para onde me dirigi, com o fim de prender os que lá se achassem e trazê-los a Jerusalém, para que fossem castigados.
6 “ओतऽ जाइत-जाइत करीब दुपहरक समय मे जखन हम दमिश्‍क केँ लगचिआ लेने छलहुँ तँ एकाएक आकाश सँ एकटा बहुत तेज इजोत हमरा चारू कात पड़ल।
6 Ora, estando eu a caminho, e aproximando-me de Damasco, pelo meio-dia, de repente me cercou uma forte luz do céu.
7 हम जमीन पर खसि पड़लहुँ, आ एकटा आवाज हमरा ई कहैत सुनाइ देलक, ‘हौ साउल, हौ साउल, तोँ हमरा किएक सतबैत छह?’ हम पुछलियनि,
7 Caí por terra e ouvi uma voz que me dizia: Saulo, Saulo, por que me persegues?
8 ‘यौ प्रभु, अहाँ के छी?’ ओ उत्तर देलनि, ‘हम नासरतक यीशु छी, जिनका तोँ सता रहल छह।’
8 Eu repliquei: Quem és tu, Senhor? A voz me disse: Eu sou Jesus de Nazaré, a quem tu persegues.
9 हमर संगी सभ इजोत देखलनि, मुदा जे हमरा सँ बात कऽ रहल छलाह, तिनकर आवाजक अर्थ नहि बुझलनि।
9 Os meus companheiros viram a luz, mas não ouviram a voz de quem falava.
10 “हम पुछलियनि, ‘आब हम की करू, प्रभु?’ प्रभु उत्तर देलनि, ‘तोँ उठि कऽ दमिश्‍क जाह। ओतऽ तोरा कहल जयतह जे तोरा करबाक लेल परमेश्‍वर की निश्‍चित कयने छथुन।’
10 Então eu disse: Senhor, que devo fazer? E o Senhor me respondeu: Levanta-te, vai a Damasco e lá te será dito tudo o que deves fazer.
11 ओहि बड़का इजोतक कारणेँ हमर आँखि अन्‍हरा गेल छल, आ तेँ हमर संगी सभ हाथ पकड़ि कऽ हमरा दमिश्‍क मे लऽ गेलाह।
11 Como eu não pudesse ver por causa da intensidade daquela luz, guiado pela mão dos meus companheiros, cheguei a Damasco.
12 “हननियाह नामक एक आदमी हमरा सँ भेँट करबाक लेल अयलाह। ओ धर्म-नियम केँ भक्‍तिपूर्बक पालन करऽ वला छलाह, आ दमिश्‍कक सभ यहूदीक बीच प्रतिष्‍ठित मानल जाइत छलाह।
12 Um certo Ananias, homem piedoso e observador da lei, muito bem conceituado entre todos os judeus daquela cidade,
13 ओ हमरा लग मे ठाढ़ भऽ कऽ कहलनि, ‘भाइ साउल, आब अहाँ फेर सँ देखऽ लागू!’ ओही क्षण हमरा फेर सुझऽ लागल आ हम हुनका देखलियनि।
13 veio ter comigo e disse-me: Irmão Saulo, recobra a tua vista. Naquela mesma hora pude enxergá-lo.
14 “तखन ओ हमरा कहलनि, ‘अपना सभक पूर्वजक परमेश्‍वर अहाँ केँ पहिनहि सँ एहि लेल चुनने छथि जे अहाँ हुनकर इच्‍छा केँ जानी, हुनकर धार्मिक सेवक केँ देखी आ हुनकर अपन मुँहक बात सुनी।
14 Continuou ele: O Deus de nossos pais te predestinou para que conhecesses a sua vontade, visses o Justo e ouvisses a palavra da sua boca,
15 सभ मनुष्‍यक सामने अहाँ ओहि बातक गवाह होयब जे देखने आ सुनने छी।
15 pois lhe serás, diante de todos os homens, testemunha das coisas que tens visto e ouvido.
16 आब आओर विलम्‍ब किएक? उठू, और प्रभु यीशु सँ विनती कऽ कऽ बपतिस्‍मा लिअ आ अपन पाप धो लिअ।’
16 E agora, por que tardas? Levanta-te. Recebe o batismo e purifica-te dos teus pecados, invocando o seu nome.
17 “हम यरूशलेम घुरि अयलहुँ। एक दिन मन्‍दिर मे प्रार्थना करैत काल हम प्रभुक दर्शन पौलहुँ।
17 Voltei para Jerusalém e, orando no templo, fui arrebatado em êxtase.
18 हम देखलहुँ जे प्रभु हमरा कहि रहल छथि जे, ‘जल्‍दी करह! यरूशलेम केँ तुरत छोड़ह, कारण लोक सभ हमरा बारे मे तोहर गवाही स्‍वीकार नहि करतह।’
18 E vi Jesus que me dizia: Apressa-te e sai logo de Jerusalém, porque não receberão o teu testemunho a meu respeito.
19 हम हुनका उत्तर देलियनि, ‘मुदा प्रभुजी, ओ सभ जनैत अछि जे हम सभाघर सभ मे जा-जा कऽ अहाँक विश्‍वासी सभ केँ पकड़ि कऽ पिटैत छलहुँ आ जहल मे रखैत छलहुँ।
19 Eu repliquei: Senhor, eles sabem que eu encarcerava e açoitava com varas nas sinagogas os que crêem em ti.
20 और अहाँक गवाह स्‍तिफनुसक जखन हत्‍या भऽ रहल छल तँ हम अपने ओतऽ ठाढ़ छलहुँ आ हुनकर हत्‍या सँ सहमत छलहुँ। हत्‍यारा सभक वस्‍त्रक रखबारिओ कयलहुँ।’
20 E quando se derramou o sangue de Estêvão, tua testemunha, eu estava presente, consentia nisso e guardava os mantos dos que o matavam.
21 तखन प्रभु हमरा कहलनि, ‘तोँ जाह। हम तोरा दूर-दूर तक गैर-यहूदी सभक बीच पठयबह।’ ”
21 Mas ele me respondeu: Vai, porque eu te enviarei para longe, às nações...
22 एतऽ तक लोक सभ पौलुसक बात सुनैत रहल, मुदा आब ई बात सुनिते जे “हम तोरा गैर-यहूदी सभक बीच पठयबह,” ओ सभ जोर-जोर सँ हल्‍ला करऽ लागल, “एकरा खतम कऽ दिअ! पृथ्‍वी पर सँ एकर नामो-निशान मेटा दिअ! ई जीवित रहऽ जोगरक नहि अछि!”
22 Haviam-no escutado até essa palavra. Então levantaram a voz: Tira do mundo esse homem! Não é digno de viver!
23 हल्‍ला करैत ओ सभ अपन कपड़ा हवा मे फेकि रहल छल और आकाश दिस गर्दा उड़ा रहल छल।
23 Como vociferassem, arrojassem de si as vestes e lançassem pó ao ar,
24 तँ सेनापति आदेश देलनि जे, एकरा गढ़ मे लऽ जाह, आ चाबुक सँ पिटि कऽ एकरा सँ पूछ-ताछ करहक जाहि सँ हम बुझि सकब जे लोक सभ एकरा विरोध मे एना किएक हल्‍ला कऽ रहल छैक।
24 o tribuno mandou recolhê-lo à cidadela, açoitá-lo e submetê-lo a torturas, para saber por que causa clamavam assim contra ele.
25 ओ सभ पौलुस केँ जखन पिटबाक लेल बान्‍हि लेने छल तँ पौलुस कप्‍तान, जे लग मे ठाढ़ छलाह, तिनका सँ पुछलथिन, “की कानूनक अनुसार ई बात ठीक अछि जे कोनो रोमी नागरिक केँ पिटब, आ ताहू मे, तकरा जे कोनो अपराधक दोषी नहि ठहराओल गेल होअय?”
25 Quando o iam amarrando com a correia, Paulo perguntou a um centurião que estava presente: É permitido açoitar um cidadão romano que nem sequer foi julgado?
26 कप्‍तान ई सुनि सेनापति लग जा कऽ कहलथिन, “अपने ई की कऽ रहल छी? ई आदमी तँ रोमी नागरिक अछि!”
26 Ao ouvir isso, o centurião foi ter com o tribuno e avisou-o: Que vais fazer? Este homem é cidadão romano.
27 सेनापति पौलुस लग अयलाह आ पुछलथिन, “कहह! की तोँ रोमी नागरिक छह?” ओ उत्तर देलथिन, “हँ।”
27 Veio o tribuno e perguntou-lhe: Dize-me, és romano? Sim, respondeu-lhe.
28 तखन सेनापति कहलथिन, “हमरा तँ अपन नागरिकता प्राप्‍त करऽ मे बहुत पाइ खर्च करऽ पड़ल।” पौलुस उत्तर देलथिन, “मुदा हम तँ जन्‍मे सँ नागरिक छी।”
28 O tribuno replicou: Eu adquiri este direito de cidadão por grande soma de dinheiro. Paulo respondeu: Pois eu o sou de nascimento.
29 तखन ओ सभ जे हुनका सँ पूछ-ताछ करितनि, से सभ तुरत पौलुस केँ छोड़ि कऽ ओतऽ सँ हटि गेल। सेनापति ई बुझि अपनो भयभीत छलाह, जे हम एक रोमी नागरिक केँ जिंजीर सँ बन्‍हबौने छी।
29 Apartaram-se então dele os que iam torturá-lo. O tribuno alarmou-se porque o mandara acorrentar, sendo ele um cidadão romano.
30 प्रात भेने एहि बातक ठीक सँ पता लगयबाक लेल जे यहूदी सभ पौलुस पर किएक अभियोग लगा रहल अछि, सेनापति हुनकर बन्‍हन खोलि देलनि और आदेश देलनि जे मुख्‍यपुरोहित सभ आ सम्‍पूर्ण धर्म-महासभा जमा होअय। धर्म-महासभा जमा भेला पर हुनका सभक सामने पौलुस केँ ठाढ़ कऽ देलनि।
30 No dia seguinte, querendo saber com mais exatidão de que os judeus o acusavam, soltou-o e ordenou que se reunissem os sumos sacerdotes e todo o Grande Conselho. Trouxe Paulo e o mandou comparecer diante deles.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 22, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.