Atos 14

jivən səndesh (MAI) vs ACF

Sair da comparação
ACF Almeida Corrigida Fiel
1 करीब वैह बात इकुनियुम मे सेहो भेल—पौलुस आ बरनबास यहूदी सभक सभाघर मे गेलाह, और एहन उपदेश देलनि जे बहुतो यहूदी और आन जातिक लोक सभ विश्‍वास कऽ लेलक।
1 E aconteceu que em Icônio entraram juntos na sinagoga dos judeus, e falaram de tal modo que creu uma grande multidão, não só de judeus mas de gregos.
2 मुदा जे यहूदी सभ विश्‍वास नहि करऽ चाहलक, से सभ आन जातिक लोक केँ बहकाबऽ लागल आ ओकरा सभक मोन मे विश्‍वासी भाय सभक प्रति दुश्‍मनी उत्‍पन्‍न कऽ देलकैक।
2 Mas os judeus incrédulos incitaram e irritaram, contra os irmãos, os ânimos dos gentios.
3 पौलुस आ बरनबास ओतऽ बहुत दिन धरि रहलाह आ निडर भऽ प्रभु यीशुक लेल प्रचार करैत रहलाह। प्रभु हुनका सभक माध्‍यम सँ आश्‍चर्यपूर्ण चिन्‍ह आ चमत्‍कारक काज सभ कऽ कऽ अपन कृपाक विषय मे हुनका सभक प्रचार केँ सत्‍य ठहरौलनि।
3 Detiveram-se, pois, muito tempo, falando ousadamente acerca do Senhor, o qual dava testemunho à palavra da sua graça, permitindo que por suas mãos se fizessem sinais e prodígios.
4 शहरक लोक मे आब फूट पड़ि गेल—किछु लोक यहूदी सभक संग भऽ गेल, आ किछु लोक मसीह-दूत सभक संग।
4 E dividiu-se a multidão da cidade; e uns eram pelos judeus, e outros pelos apóstolos.
5 जखन आन जातिक लोक आ यहूदी सभ अपन अधिकारी सभक संग मिलि कऽ हिनका सभ केँ अपमानित करबाक आ पथरबाहि कऽ मारि देबाक लेल नियारलक,
5 E havendo um motim, tanto dos judeus como dos gentios, com os seus principais, para os insultarem e apedrejarem,
6 तँ ई बात हिनको सभ केँ बुझऽ मे आबि गेलनि, आ तुरत लुकाउनिया क्षेत्रक लुस्‍त्रा और दरबे नगर मे भागि गेलाह।
6 Sabendo-o eles, fugiram para Listra e Derbe, cidades de Licaônia, e para a província circunvizinha;
7 ओ सभ ओहि नगर सभ मे आ लग-पासक देहात मे शुभ समाचारक प्रचार करैत रहलाह।
7 E ali pregavam o evangelho.
8 लुस्‍त्रा नगर मे एक लोथ आदमी बैसल छल। ओ जन्‍मे सँ लोथ छल आ कहियो चलल नहि छल।
8 E estava assentado em Listra certo homem leso dos pés, coxo desde o ventre de sua mãe, o qual nunca tinha andado.
9 ई आदमी पौलुसक प्रवचन सुनि रहल छल। पौलुस ओकरा टकटकी लगा कऽ देखलथिन आ ई देखि जे ओकरा ई विश्‍वास छैक जे हम स्‍वस्‍थ भऽ सकैत छी,
9 Este ouviu falar Paulo, que, fixando nele os olhos, e vendo que tinha fé para ser curado,
10 ओ जोर सँ ओहि आदमी केँ कहलथिन, “अपन पयर पर सोझ भऽ कऽ ठाढ़ होउ!” एहि पर ओ छरपि कऽ ठाढ़ भेल आ चलऽ-फिरऽ लागल।
10 Disse em voz alta: Levanta-te direito sobre teus pés. E ele saltou e andou.
11 भीड़क लोक सभ जखन देखलक जे पौलुस की कयलनि, तँ ओ सभ लुकाउनियाक भाषा मे जोर-जोर सँ बाजि कऽ कहऽ लागल, “देवता सभ मनुष्‍य बनि कऽ हमरा सभक बीच अयलाह अछि!”
11 E as multidões, vendo o que Paulo fizera, levantaram a sua voz, dizendo em língua licaônica: Fizeram-se os deuses semelhantes aos homens, e desceram até nós.
12 बरनबास केँ ओ सभ “ज्‍यूस-देवता” सँ सम्‍बोधन करऽ लगलनि, आ पौलुस केँ “हिरमेस-देवता,” कारण पौलुस मुख्‍य बाजऽ वला छलाह।
12 E chamavam Júpiter a Barnabé, e Mercúrio a Paulo; porque este era o que falava.
13 ज्‍यूस-देवताक पुजारी, जकर मन्‍दिर शहर सँ बाहर छल, से बड़का भीड़क संग हुनका सभ लग पशु-बलि चढ़यबाक लेल बड़द आ फूलक माला सभ लऽ कऽ शहरक प्रवेश-द्वारि लग आयल।
13 E o sacerdote de Júpiter, cujo templo estava em frente da cidade, trazendo para a entrada da porta touros e grinaldas, queria com a multidão sacrificar-lhes.
14 मुदा बरनबास आ पौलुस ई सुनि कऽ विरोध स्‍वरूप अपन वस्‍त्र फाड़लनि आ ओहि भीड़ मे दौड़ि कऽ गेलाह आ ओकरा सभ केँ जोर सँ कहऽ लगलाह,
14 Ouvindo, porém, isto os apóstolos Barnabé e Paulo, rasgaram as suas vestes, e saltaram para o meio da multidão, clamando,
15 “अहाँ सभ ई की कऽ रहल छी?! हमहूँ सभ अहीं सभ जकाँ मनुष्‍ये छी! हम सभ अहाँ सभ केँ ई शुभ समाचार सुनयबाक लेल आयल छी जे अहाँ सभ निरर्थक मुरुतक पूजा-पाठ कयनाइ छोड़ि कऽ जीवित परमेश्‍वर जे आकाश, पृथ्‍वी, समुद्र और ओहि मे जे किछु अछि, तकर सभक रचना कयने छथि, तिनका पर विश्‍वास करू।
15 E dizendo: Senhores, por que fazeis essas coisas? Nós também somos homens como vós, sujeitos às mesmas paixões, e vos anunciamos que vos convertais dessas vaidades ao Deus vivo, que fez o céu, e a terra, o mar, e tudo quanto há neles;
16 प्राचीन समय मे ओ सभ जाति केँ अपना-अपना रस्‍ता पर चलऽ देलनि,
16 O qual nos tempos passados deixou andar todas as nações em seus próprios caminhos.
17 तैयो ओ अपना भलाइक काज द्वारा मनुष्‍य जाति केँ अपना बारे मे साक्षी दैत रहलाह—ओ अहाँ सभ केँ आकाश सँ वर्षा आ ठीक समय पर उपजा दैत छथि। अहाँ सभ केँ भोजनक वस्‍तु सँ तृप्‍त करैत छथि और अहाँ सभक मोन केँ हर्षित करैत छथि।”
17 E contudo, não se deixou a si mesmo sem testemunho, beneficiando-vos lá do céu, dando-vos chuvas e tempos frutíferos, enchendo de mantimento e de alegria os vossos corações.
18 ई सभ बात कहलाक बादो ओ सभ ओकरा सभ केँ बहुत मुश्‍किल सँ मना सकलाह जे हमरा सभ लग बलि नहि चढ़ाउ।
18 E, dizendo isto, com dificuldade impediram que as multidões lhes sacrificassem.
19 तखन अन्‍ताकिया और इकुनियुम सँ यहूदी सभ आयल और जनता केँ अपना पक्ष मे कऽ कऽ पौलुस पर पथरबाहि कयलक, आ हुनका मरल बुझि कऽ शहर सँ बाहर घिसिआ कऽ धऽ अयलनि।
19 Sobrevieram, porém, uns judeus de Antioquia e de Icônio que, tendo convencido a multidão, apedrejaram a Paulo e o arrastaram para fora da cidade, cuidando que estava morto.
20 मुदा शिष्‍य सभ जखन हुनका चारू कात जमा भेलनि तँ हुनका होश अयलनि और ओ उठि कऽ शहर मे गेलाह। प्रात भेने ओ बरनबासक संग दरबे नगर चल गेलाह।
20 Mas, rodeando-o os discípulos, levantou-se, e entrou na cidade, e no dia seguinte saiu com Barnabé para Derbe.
21 ओहू नगर मे ओ सभ शुभ समाचारक प्रचार कयलनि, और बहुत शिष्‍य सभ बना कऽ लुस्‍त्रा, इकुनियुम आ अन्‍ताकिया नगर घूमि अयलाह।
21 E, tendo anunciado o evangelho naquela cidade e feito muitos discípulos, voltaram para Listra, e Icônio e Antioquia,
22 एहि नगर सभ मे ओ सभ शिष्‍य सभक हिम्‍मत बढ़बैत ओकरा सभ केँ विश्‍वास मे स्‍थिर रहबाक लेल प्रोत्‍साहित करैत छलाह, और कहैत छलाह जे “परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश करबाक लेल अपना सभ केँ बहुत कष्‍ट सहऽ पड़त।”
22 Confirmando os ânimos dos discípulos, exortando-os a permanecer na fé, pois que por muitas tribulações nos importa entrar no reino de Deus.
23 ओ सभ शिष्‍य सभक लेल प्रत्‍येक मण्‍डली मे देख-रेख कयनिहार सभ केँ नियुक्‍त कयलथिन और उपास आ प्रार्थना कऽ कऽ प्रभु यीशु, जिनका पर ओ सभ विश्‍वास रखने छलाह, तिनका हाथ मे सौंपि देलथिन।
23 E, havendo-lhes, por comum consentimento, eleito anciãos em cada igreja, orando com jejuns, os encomendaram ao Senhor em quem haviam crido.
24 ओतऽ सँ पौलुस आ बरनबास पिसिदिया अंचल दऽ कऽ पंफूलिया प्रदेश मे अयलाह।
24 Passando depois por Pisídia, dirigiram-se a Panfília.
25 ओहि अंचलक पर्गा नगर मे शुभ समाचार सुना कऽ अतालिया नगर अयलाह।
25 E, tendo anunciado a palavra em Perge, desceram a Atália.
26 ओतऽ सँ ओ सभ पानि जहाज सँ ⌞सीरिया प्रदेशक⌟ अन्‍ताकिया नगर मे घूमि अयलाह, जतऽ विश्‍वासी भाय सभ हुनका सभ केँ परमेश्‍वरक जिम्‍मा मे ओहि काजक लेल सौंपि देने छलनि, जाहि काज केँ ओ सभ आब पूरा कऽ लेने छलाह।
26 E dali navegaram para Antioquia, de onde tinham sido encomendados à graça de Deus para a obra que já haviam cumprido.
27 ओ सभ ओहिठाम पहुँचि कऽ मण्‍डली केँ जमा कऽ कऽ सुनौलनि जे परमेश्‍वर हुनका सभक द्वारा केहन-केहन काज कयलनि, आ कोना परमेश्‍वर गैर-यहूदी लोकक लेल विश्‍वासक द्वारि खोलि देलनि।
27 E, quando chegaram e reuniram a igreja, relataram quão grandes coisas Deus fizera por eles, e como abrira aos gentios a porta da fé.
28 ओ सभ अन्‍ताकिया मे शिष्‍य सभक संग बहुत दिन धरि रहलाह।
28 E ficaram ali não pouco tempo com os discípulos.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 14, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.