Atos 12

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 एही समय मे राजा हेरोद मण्‍डलीक किछु विश्‍वासी सभ पर अत्‍याचार करबाक लेल हुनका सभ केँ बन्‍दी बना लेलनि।
1 Por aquele mesmo tempo, o rei Herodes mandou prender alguns membros da Igreja para os maltratar.
2 ओ यूहन्‍नाक भाय याकूब केँ तरुआरि सँ मरबा देलनि।
2 Assim foi que matou à espada Tiago, irmão de João.
3 जखन ओ देखलनि जे एहि घटना सँ यहूदी सभ प्रसन्‍न भेल अछि तँ ओ पत्रुस केँ सेहो पकड़बा लेलनि। ई “बिनु खमीरक रोटी वला पाबनि”क समय मे भेल।
3 Vendo que isto agradava aos judeus, mandou prender Pedro. Eram então os dias dos pães sem fermento.
4 पत्रुस केँ बन्‍दी बना कऽ जहल मे रखबा देलनि, आ चारि-चारि सैनिकक चारिटा दलक पहरा मे राखि देलनि। हेरोद सोचलनि जे पत्रुस केँ फसह-पाबनिक बाद जनताक सामने न्‍यायक लेल उपस्‍थित करायब।
4 Mandou prendê-lo e lançou-o no cárcere, entregando-o à guarda de quatro grupos, de quatro soldados cada um, com a intenção de apresentá-lo ao povo depois da Páscoa.
5 तँ पत्रुस जहल मे छलाह, मुदा एम्‍हर विश्‍वासी सभ पूरा मोन सँ पत्रुसक लेल परमेश्‍वर सँ प्रार्थना कऽ रहल छलाह।
5 Pedro estava assim encerrado na prisão, mas a Igreja orava sem cessar por ele a Deus.
6 जाहि दिन राजा हेरोद पत्रुस केँ जनताक समक्ष अनबाक विचार कयने छलाह, ओहि सँ पहिलुके राति मे पत्रुस दू सैनिकक बीच, दूनू कात जिंजीर सँ बान्‍हल, सुतल छलाह। द्वारि लग सेहो सैनिक सभ पहरा दऽ रहल छल।
6 Ora, quando Herodes estava para o apresentar, naquela mesma noite dormia Pedro entre dois soldados, ligado com duas cadeias. Os guardas, à porta, vigiavam o cárcere.
7 एकाएक प्रभुक एक स्‍वर्गदूत पत्रुस लग जहल मे ठाढ़ भेलाह। सम्‍पूर्ण कोठली प्रकाशमय भऽ गेल। स्‍वर्गदूत पत्रुस केँ हिला कऽ जगौलनि आ कहलथिन, “जल्‍दी उठह!” तुरत हिनकर दूनू हाथ सँ जिंजीर खुजि कऽ खसि पड़ल।
7 De repente, apresentou-se um anjo do Senhor, e uma luz brilhou no recinto. Tocando no lado de Pedro, o anjo despertou-o: Levanta-te depressa, disse ele. Caíram-lhe as cadeias das mãos.
8 स्‍वर्गदूत कहलथिन, “कपड़ा सम्‍हारि लैह, आ चप्‍पल पहिरि लैह।” पत्रुस ओहिना कयलनि। तखन स्‍वर्गदूत कहलथिन, “चद्दरि ओढ़ि लैह आ हमरा पाछाँ आबह।”
8 O anjo ordenou: Cinge-te e calça as tuas sandálias. Ele assim o fez. O anjo acrescentou: Cobre-te com a tua capa e segue-me.
9 ओ हुनका पाछाँ-पाछाँ जहल सँ बाहर अयलाह, मुदा हुनका निश्‍चित भान नहि भऽ रहल छलनि जे स्‍वर्गदूत जे कऽ रहल छथि से सही घटना अछि—हुनका होइत छलनि जे हम कोनो तरहक सपना देखि रहल छी।
9 Pedro saiu e seguiu-o, sem saber se era real o que se fazia por meio do anjo. Julgava estar sonhando.
10 ओ सभ पहिल और दोसर पहरेदार केँ टपि कऽ लोहाक मुख्‍य फाटक लग पहुँचलाह। हुनका सभ केँ पहुँचतहि ओ फाटक अपने सँ खुजि गेल, और ओ सभ निकलि कऽ शहर मे प्रवेश कऽ गेलाह। ओ सभ जखन गलीक अन्‍त तक गेलाह तँ स्‍वर्गदूत एकाएक पत्रुस केँ छोड़ि कऽ चल गेलाह।
10 Passaram o primeiro e o segundo postos da guarda. Chegaram ao portão de ferro, que dá para a cidade, o qual se lhes abriu por si mesmo. Saíram e tomaram juntos uma rua. Em seguida, de súbito, o anjo desapareceu.
11 तखन हिनका होश भेलनि आ बजलाह, “आब तँ निश्‍चय जानि गेलहुँ जे ठीके प्रभु अपन स्‍वर्गदूत पठा कऽ हेरोदक हाथ सँ और जे बात यहूदी सभ चाहैत छल, ताहि सभ सँ हमरा बचौलनि।”
11 Então Pedro tornou a si e disse: Agora vejo que o Senhor mandou verdadeiramente o seu anjo e me livrou da mão de Herodes e de tudo o que esperava o povo dos judeus.
12 ई बात बुझि ओ यूहन्‍ना, जिनकर दोसर नाम मरकुस छलनि, तिनकर माय मरियमक ओतऽ गेलाह, जतऽ बहुत लोक जमा भऽ कऽ प्रार्थना कऽ रहल छलाह।
12 Refletiu um momento e dirigiu-se para a casa de Maria, mãe de João, que tem por sobrenome Marcos, onde muitos se tinham reunido e faziam oração.
13 पत्रुस बाहर सँ केबाड़ खटखटौलनि। एक नोकरनी, जकर नाम रोदा छलैक, से केबाड़ खोलबाक लेल आयल।
13 Quando bateu à porta de entrada, uma criada, chamada Rode, adiantou-se para escutar.
14 पत्रुसक आवाज चिन्‍हि कऽ ओ ततेक खुश भेल जे बिनु केबाड़ खोलनहि ओ ई कहैत भीतर दौड़ि कऽ गेल जे, “पत्रुस बाहर छथि!”
14 Mal reconheceu a voz de Pedro, de tanta alegria não abriu a porta, mas, correndo para dentro, foi anunciar que era Pedro que estava à porta.
15 ओ सभ ओकरा कहलथिन, “तोँ बताहि छह!” मुदा ओ जखन बहुत जोर दऽ कऽ कहैत रहल जे वैह छथि तखन ओ सभ बजलाह, “हुनकर रक्षा करऽ वला स्‍वर्गदूत होयतनि।”
15 Disseram-lhe: Estás louca! Mas ela persistia em afirmar que era verdade. Diziam eles: Então é o seu anjo.
16 एम्‍हर पत्रुस केबाड़ खटखटबिते रहलाह। ओ सभ जखन खोलि कऽ हुनका देखलथिन तँ चकित रहि गेलाह।
16 Pedro continuava a bater. Afinal abriram a porta, viram-no e ficaram atônitos.
17 पत्रुस हुनका सभ केँ शान्‍त होयबाक लेल हाथ सँ संकेत कयलनि आ कहऽ लगलथिन जे प्रभु कोना जहल सँ मुक्‍त कऽ देलनि। तखन कहलथिन, “ई सभ बात याकूब और दोसरो भाय सभ केँ कहि देबनि।” ई कहि ओ ओतऽ सँ दोसर ठाम चल गेलाह।
17 Ele, acenando-lhes com a mão que se calassem, contou como o Senhor o havia livrado da prisão, e disse: Comunicai-o a Tiago e aos irmãos. Em seguida, saiu dali e retirou-se para outro lugar.
18 प्रात भेने जहल मे पहरेदारक बीच बड़का खलबली मचि गेल जे पत्रुस की भऽ गेल?
18 Logo que amanheceu, houve um sobressalto pouco comum entre os soldados sobre o que acontecera a Pedro.
19 राजा हेरोद हुनका खोजबाक हुकुम देलथिन, मुदा ओ नहि भेटलथिन। तेँ हेरोद सैनिक सभ सँ पूछ-ताछ कऽ कऽ ओकरा सभ केँ मृत्‍युदण्‍डक आज्ञा देलथिन। तखन हेरोद यहूदिया प्रदेश छोड़ि कैसरिया नगर जा कऽ रहऽ लगलाह।
19 Herodes, procurando-o e não o achando, instaurou um processo contra os guardas e mandou supliciá-los. Em seguida, desceu da Judéia para Cesaréia, onde permaneceu.
20 हेरोद सूर और सीदोनक लोक सभ पर खिसिआयल छलाह। तेँ ओ सभ मिलि कऽ हेरोद सँ भेँट करबाक लेल पहुँचल। राजभवनक मुख्‍यकर्मचारी ब्‍लास्‍तुस केँ अपना पक्ष मे कऽ कऽ हुनका माध्‍यम सँ राजा लग मेल करबाक प्रस्‍ताव रखलक, कारण ओकरा सभक भोजनक वस्‍तु हेरोदक देश सँ अबैत छलैक।
20 Estava Herodes em conflito com os habitantes de Tiro e de Sidônia. Estes, porém, de comum acordo, se apresentaram a ele, e, com o favor de Blasto, que era camareiro do rei, pediram a paz. {Porque a sua região era abastecida por ele.}
21 निश्‍चित कयल दिन अयला पर राजा हेरोद राजसी वस्‍त्र पहिरने ओकरा सभक सामने सिंहासन पर बैसलाह और भाषण देलनि।
21 No dia marcado, Herodes, vestido em traje real, sentou-se no tribunal e lhes dirigiu uma alocução.
22 भाषण सुनि लोक सभ जोर-जोर सँ प्रशंसा करऽ लागल जे, “ई तँ मनुष्‍य नहि, देवते बाजि रहल छथि!”
22 O povo aplaudia: É a voz de um deus, e não de um homem!
23 एहि पर परमेश्‍वरक स्‍वर्गदूत हेरोद केँ ओही क्षण कष्‍ट सँ पीड़ित कऽ देलथिन, कारण जे स्‍तुति-प्रशंसा परमेश्‍वर केँ देबाक चाही से ओ नहि देलथिन। और हुनका देह मे पिलुआ फड़ि गेलनि और ओ मरि गेलाह।
23 No mesmo instante, o anjo do Senhor o feriu, por ele não haver dado honra a Deus. E, roído de vermes, expirou.
24 मुदा परमेश्‍वरक वचन पसरैत गेल और लोक सभ मे ओकर प्रभाव बढ़ैत गेल।
24 Entretanto, a palavra de Deus crescia e se espalhava sempre mais.
25 एम्‍हर बरनबास और साउल दान पहुँचाबऽ वला काज पूरा कऽ कऽ यरूशलेम सँ घूमि अयलाह आ अपना संग यूहन्‍ना जिनकर दोसर नाम मरकुस छलनि, तिनको लेने अयलाह।
25 Tendo Barnabé e Saulo concluído a sua missão, voltaram de Jerusalém {a Antioquia}, levando consigo João, que tem por sobrenome Marcos.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Atos 12, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.