Apocalipse 8
jivən səndesh (MAI) vs NAA
1 जखन बलि-भेँड़ा सातम छाप खोललनि, तँ करीब आधा घण्टा धरि स्वर्ग मे कोनो आवाज नहि सुनाइ पड़ल; सभ शान्त रहल।
1 Quando o Cordeiro quebrou o sétimo selo, houve silêncio no céu durante quase meia hora.
2 तकरबाद हम ओहि सातटा स्वर्गदूत केँ देखलियनि, जे सभ परमेश्वरक सम्मुख ठाढ़ रहैत छथि। हुनका सभ केँ सातटा धुतहू देल गेलनि।
2 Então vi os sete anjos que estão em pé diante de Deus, e lhes foram dadas sete trombetas.
3 तखन एकटा आरो स्वर्गदूत सोनाक धूपदानी लऽ कऽ अयलाह आ वेदी लग मे ठाढ़ भऽ गेलाह। हुनका बहुत रास धूप देल गेलनि, जाहि सँ ओ ओकरा सिंहासनक समक्ष स्थित सोनाक वेदी पर परमेश्वरक सभ लोकक प्रार्थनाक संग चढ़बथि।
3 Veio outro anjo e ficou em pé junto ao altar, com um incensário de ouro, e lhe foi dado muito incenso para oferecê-lo com as orações de todos os santos sobre o altar de ouro que está diante do trono.
4 स्वर्गदूतक हाथ सँ धूपक धुआँ परमेश्वरक लोकक प्रार्थना सभक संग परमेश्वरक सम्मुख ऊपर पहुँचलनि।
4 E da mão do anjo subiu à presença de Deus a fumaça do incenso, com as orações dos santos.
5 तकरबाद स्वर्गदूत धूपदानी लेलनि आ वेदी परक आगि सँ भरि कऽ ओकरा पृथ्वी पर फेकि देलथिन। एहि पर मेघ तड़कऽ आ गोंगिआय लागल, बिजुली चमकऽ लागल आ भूकम्प भेल।
5 Então o anjo pegou o incensário, encheu-o do fogo do altar e o atirou à terra. E houve trovões, vozes, relâmpagos e terremoto.
6 आब ओ सातो स्वर्गदूत, जिनका सभ लग सातटा धुतहू छलनि, ओकरा फुकबाक लेल तैयार भऽ गेलाह।
6 Então os sete anjos que tinham as sete trombetas se prepararam para tocar.
7 पहिल स्वर्गदूत धुतहू फुकलनि। एहि पर खूनक संग पाथर आ आगि पृथ्वी पर बरसाओल गेल। एहि सँ पृथ्वीक एक तिहाइ भाग आ गाछ-वृक्ष सभक एक तिहाइ भाग भस्म भऽ गेल, और सभ हरियर घास-पात भस्म भऽ गेल।
7 O primeiro anjo tocou a trombeta, e houve granizo e fogo misturados com sangue, e foram atirados à terra. Então foi queimada a terça parte da terra, foi queimada a terça parte das árvores, e também toda a erva verde foi queimada.
8 दोसर स्वर्गदूत धुतहू फुकलनि, तँ आगि सँ जरैत एक विशाल पहाड़ सन वस्तु समुद्र मे फेकल गेल। एहि सँ समुद्रक एक तिहाइ भाग खून बनि गेल।
8 O segundo anjo tocou a trombeta, e uma espécie de grande montanha em chamas foi atirada ao mar. Uma terça parte do mar se transformou em sangue,
9 समुद्र मेहक एक तिहाइ प्राणी मरि गेल आ एक तिहाइ पानि जहाज सभ नष्ट भऽ गेल।
9 e morreu a terça parte das criaturas do mar, e foi destruída a terça parte das embarcações.
10 तेसर स्वर्गदूत धुतहू फुकलनि, तँ एक विशाल तारा, मशाल जकाँ जरैत, आकाश सँ टुटल आ नदी सभक और जलस्रोत सभक एक तिहाइ भाग पर खसि पड़ल।
10 O terceiro anjo tocou a trombeta, e uma grande estrela, queimando como uma tocha, caiu do céu sobre a terça parte dos rios e sobre as fontes das águas.
11 ओहि ताराक नाम “चिरैंता”, अर्थात् तिताह, अछि। ओहि सँ जलक एक तिहाइ भाग तीत भऽ गेल आ जल केँ तीत भऽ जयबाक कारणेँ बहुतो लोक मरि गेल।
11 O nome da estrela é Absinto. E a terça parte das águas se transformou em absinto, e muitas pessoas morreram por causa dessas águas, porque se tornaram amargas.
12 चारिम स्वर्गदूत धुतहू फुकलनि, तँ सूर्यक एक तिहाइ भाग, चन्द्रमाक एक तिहाइ भाग आ तारा सभक एक तिहाइ भाग पर प्रहार भेल, जाहि सँ ओकरा सभक एक तिहाइ भाग अन्हार भऽ गेलैक। दिनक एक तिहाइ भाग मे इजोत नहि रहल आ तहिना रातिक एक तिहाइ भागक सेहो वैह अवस्था भऽ गेलैक।
12 O quarto anjo tocou a trombeta, e foi ferida a terça parte do sol, da lua e das estrelas, para que a terça parte deles escurecesse e uma terça parte do dia, e também da noite, ficasse sem luz.
13 हम फेर नजरि उठौलहुँ तँ बीच आकाश मे एकटा गरुड़ केँ उड़ैत देखलहुँ, जे जोर सँ ई घोषणा कऽ रहल छल, “कष्ट! कष्ट! कष्ट! पृथ्वीक निवासी सभ पर धुतहूक बाँकी आवाजक कारणेँ, जकरा तीनटा स्वर्गदूत फुकऽ वला छथि कतेक भयानक विपत्ति औतैक! हाय! हाय! हाय!”
13 Então vi e ouvi uma águia que, voando pelo meio do céu, dizia com voz forte: — Ai! Ai! Ai dos que moram na terra, por causa do som das outras trombetas que os três anjos ainda vão tocar!
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 8, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.