Apocalipse 7

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 तकरबाद हम देखलहुँ जे चारिटा स्‍वर्गदूत पृथ्‍वीक चारू कोना पर ठाढ़ छथि आ पृथ्‍वीक चारू बसात केँ रोकि कऽ रखने छथि, जाहि सँ धरती पर, समुद्र पर आ गाछ-वृक्ष सभ पर बसात नहि बहय।
1 Depois disso vi quatro anjos de pé nos quatro cantos da terra, retendo os quatro ventos, para impedir que qualquer vento soprasse na terra, no mar ou em qualquer árvore.
2 फेर हम एकटा आरो स्‍वर्गदूत केँ जीवित परमेश्‍वरक मोहर लऽ कऽ पूब दिस सँ ऊपर अबैत देखलहुँ। ओ ओहि चारू स्‍वर्गदूत केँ, जिनका सभ केँ धरती आ समुद्र केँ हानि पहुँचयबाक अधिकार देल गेल छलनि, जोर सँ आवाज दऽ कऽ कहलथिन,
2 Então vi outro anjo subindo do Oriente, tendo o selo do Deus vivo. Ele bradou em alta voz aos quatro anjos a quem havia sido dado poder para danificar a terra e o mar:
3 “जा धरि हम सभ अपन परमेश्‍वरक सेवक सभक कपार पर मोहरक छाप नहि लगा दैत छी, ता धरि धरती, समुद्र आ गाछ-वृक्ष सभ केँ कोनो हानि नहि पहुँचाउ।”
3 "Não danifiquem nem a terra, nem o mar nem as árvores, até que selemos as testas dos servos do nosso Deus".
4 तखन हम ओहि लोक सभक संख्‍या सुनलहुँ, जकरा सभ पर मोहरक छाप लगाओल गेलैक। ओ संख्‍या छल एक लाख चौआलिस हजार। ओ सभ इस्राएलक प्रत्‍येक कुल मे सँ छल।
4 Então ouvi o número dos que foram selados: cento e quarenta e quatro mil, de todas as tribos de Israel.
5 यहूदा-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर,
5 Da tribo de Judá foram selados doze mil, da tribo de Rúben, doze mil, da tribo de Gade, doze mil,
6 आशेर-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर,
6 da tribo de Aser, doze mil, da tribo de Naftali, doze mil, da tribo de Manassés, doze mil,
7 सिमियोन-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर,
7 da tribo de Simeão, doze mil, da tribo de Levi, doze mil, da tribo de Issacar, doze mil,
8 जबूलून-कुल मे सँ बारह हजार लोक सभ पर,
8 da tribo de Zebulom, doze mil, da tribo de José, doze mil, da tribo de Benjamim, doze mil.
9 तकरबाद हम आँखि ऊपर उठौलहुँ, तँ हमरा सामने मे एक विशाल भीड़ देखाइ पड़ल, जकर गिनती केओ नहि कऽ सकैत छल। ओहि भीड़ मे प्रत्‍येक जाति, प्रत्‍येक कुल, प्रत्‍येक राष्‍ट्र आ प्रत्‍येक भाषाक लोक छल। ओ सभ उज्‍जर वस्‍त्र पहिरने छल आ हाथ मे खजूरक छज्‍जा लेने सिंहासन आ बलि-भेँड़ाक सम्‍मुख ठाढ़ छल।
9 Depois disso olhei, e diante de mim estava uma grande multidão que ninguém podia contar, de todas as nações, tribos, povos e línguas, de pé, diante do trono e do Cordeiro, com vestes brancas e segurando palmas.
10 ओ सभ जोर-जोर सँ कहि रहल छल जे, “सिंहासन पर विराजमान हमरा सभक परमेश्‍वर द्वारा आ बलि-भेँड़ा द्वारा मात्र उद्धार अछि।”
10 E clamavam em alta voz: "A salvação pertence ao nosso Deus, que se assenta no trono, e ao Cordeiro".
11 सभ स्‍वर्गदूत सिंहासनक, धर्मवृद्ध सभक आ ओहि चारू जीवित प्राणीक चारू कात ठाढ़ छलाह। ओ सभ सिंहासनक सम्‍मुख मुँह भरे खसि कऽ ई कहैत परमेश्‍वरक वन्‍दना कयलनि जे,
11 Todos os anjos estavam de pé ao redor do trono, dos anciãos e dos quatro seres viventes. Eles se prostraram com o rosto em terra diante do trono e adoraram a Deus,
12 “ई बात सत्‍य अछि! हमरा सभक परमेश्‍वरक स्‍तुति, महिमा, बुद्धि, धन्‍यवाद, आदर, शक्‍ति आ सामर्थ्‍य युगानुयुग होनि। आमीन!”
12 dizendo: "Amém! Louvor e glória, sabedoria, ação de graças, honra, poder e força sejam ao nosso Deus para todo o sempre. Amém! "
13 तकरबाद धर्मवृद्ध सभ मे सँ एक गोटे हमरा पुछलनि जे, “ई सभ जे उज्‍जर वस्‍त्र पहिरने अछि, से के अछि, आ कतऽ सँ आयल अछि?”
13 Então um dos anciãos me perguntou: "Quem são estes que estão vestidos de branco, e de onde vieram? "
14 हम उत्तर देलियनि, “यौ सरकार, ई बात तँ अहीं जनैत छी।” तखन ओ हमरा कहलनि जे, “ई लोक सभ वैह अछि जे महाकष्‍ट सहि कऽ आयल अछि। ई सभ अपन वस्‍त्र बलि-भेँड़ाक खून मे धो कऽ उज्‍जर कऽ लेने अछि।
14 Respondi: "Senhor, tu o sabes". E ele disse: "Estes são os que vieram da grande tribulação e lavaram as suas vestes e as branquearam no sangue do Cordeiro.
15 एहि लेल ई सभ परमेश्‍वरक सिंहासनक सम्‍मुख ठाढ़ रहैत अछि आ दिन-राति हुनका मन्‍दिर मे हुनकर सेवा करैत रहैत छनि। ओ, जे सिंहासन पर विराजमान छथि, एकरा सभक संग निवास करथिन आ सुरक्षित रखथिन।
15 Por isso, eles estão diante do trono de Deus e o servem dia e noite em seu santuário; e aquele que está assentado no trono estenderá sobre eles o seu tabernáculo.
16 एकरा सभ केँ ने तँ कहियो फेर भूख लगतैक आ ने पियास। एकरा सभ केँ ने तँ प्रचण्‍ड रौद सँ कष्‍ट होयतैक आ ने लू लगतैक।
16 Nunca mais terão fome, nunca mais terão sede. Não cairá sobre eles sol, e nenhum calor abrasador,
17 किएक तँ बलि-भेँड़ा जे सिंहासनक बीच विद्यमान छथि, से एकरा सभक चरबाह रहथिन आ एकरा सभ केँ जीवनक जलक झरना लग लऽ जयथिन। और परमेश्‍वर एकरा सभक आँखिक सभ नोर पोछि देथिन।”
17 pois o Cordeiro que está no centro do trono será o seu Pastor; ele os guiará às fontes de água viva. E Deus enxugará dos seus olhos toda lágrima".

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 7, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.