Apocalipse 3

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 “सरदीसक मण्‍डलीक दूत केँ ई लिखह,
1 Ao anjo da igreja de Sardes, escreve: Eis o que diz aquele que tem os sete Espíritos de Deus e as sete estrelas. Conheço as tuas obras: és considerado vivo, mas estás morto.
2 जागू, आ जे किछु अहाँ लग बाँचल अछि, तकरा मजगूत बनाउ, कारण ओहो मरऽ पर अछि। हम अपन परमेश्‍वरक दृष्‍टि मे अहाँक काज सभ केँ अपूर्ण पौलहुँ।
2 Sê vigilante e consolida o resto que ia morrer, pois não achei tuas obras perfeitas diante de meu Deus.
3 स्‍मरण करू जे अहाँ कोन उपदेश सुनने छलहुँ आ स्‍वीकार कयने छलहुँ। ओकर पालन करू आ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू। जँ अहाँ नहि जागब, तँ हम चोर जकाँ आबि जायब—अहाँ केँ बुझहो मे नहि आओत जे हम कखन अहाँ लग पहुँचि रहल छी।
3 Lembra-te de como recebeste e ouviste a doutrina. Observa-a e arrepende-te. Se não vigiares, virei a ti como um ladrão, e não saberás a que horas te surpreenderei.
4 तैयो सरदीस मे अहाँ सभक बीच किछु एहन व्‍यक्‍ति सेहो अछि, जे सभ अपन वस्‍त्र गन्‍दा नहि कयने अछि। ओ सभ उज्‍जर वस्‍त्र पहिरने हमरा संग टहलत, किएक तँ ओ सभ ताहि बातक योग्‍य अछि।
4 Todavia, tens em Sardes algumas pessoas que não contaminaram suas vestes; andarão comigo vestidas de branco, porque o merecem.
5 जे सभ विजय प्राप्‍त करत, तकरा सभ केँ एहिना उज्‍जर वस्‍त्र पहिराओल जयतैक। ओकरा सभक नाम हम जीवनक पुस्‍तक मे सँ किन्‍नहुँ नहि मेटयबैक, आ अपन पिता और हुनकर स्‍वर्गदूत सभक सम्‍मुख ओकरा सभक नाम लऽ कऽ स्‍वीकार करब जे ई हमर लोक अछि।
5 O vencedor será assim revestido de vestes brancas. Jamais apagarei o seu nome do livro da vida, e o proclamarei diante do meu Pai e dos seus anjos.
6 जकरा सभ केँ कान होइक से सभ सुनि लओ जे प्रभुक आत्‍मा मण्‍डली सभ केँ की कहैत छथि।
6 Quem tiver ouvidos, ouça o que o Espírito diz às igrejas.
7 “फिलादेलफियाक मण्‍डलीक दूत केँ ई लिखह,
7 Ao anjo da igreja de Filadélfia, escreve: Eis o que diz o Santo e o Verdadeiro, aquele que tem a chave de Davi - que abre e ninguém pode fechar; que fecha e ninguém pode abrir.
8 हम अहाँक काज सभ सँ परिचित छी। देखू, हम अहाँक सामने एक द्वारि खोलि कऽ रखने छी जकरा केओ बन्‍द नहि कऽ सकैत अछि। हम जनैत छी जे अहाँ केँ बेसी बल नहि अछि, तैयो अहाँ हमर शिक्षाक पालन कयने छी आ एहि बात केँ अस्‍वीकार नहि कयने छी जे अहाँ हमर लोक छी।
8 Conheço as tuas obras: eu pus diante de ti uma porta aberta, que ninguém pode fechar; porque, apesar de tua fraqueza, guardaste a minha palavra e não renegaste o meu nome.
9 सुनू, हम शैतानक समूहक ओहि सदस्‍य सभ केँ, जे सभ यहूदी भऽ कऽ अपना केँ परमेश्‍वरक लोक कहैत अछि मुदा अछि नहि, जे सभ झूठ बजैत अछि, तकरा सभ केँ एहि बातक लेल बाध्‍य करबैक जे ओ सभ आबि कऽ अहाँक चरण मे खसय आ ई जानि लय जे हम अहाँ सँ प्रेम करैत छी।
9 Eu te entrego adeptos da sinagoga de Satanás, desses que se dizem judeus, e não o são, mas mentem. Eis que os farei vir prostrar-se aos teus pés e reconhecerão que eu te amo.
10 हम जे अहाँ केँ सहनशीलताक संग स्‍थिर रहबाक आदेश देलहुँ, तकर अहाँ पालन कयलहुँ, तेँ हमहूँ अहाँ केँ ओहि विपत्तिक घड़ी मे सुरक्षित राखब जे पृथ्‍वीक निवासी सभक परीक्षा लेबाक लेल सम्‍पूर्ण संसार पर आबऽ वला अछि।
10 Porque guardaste a palavra de minha paciência, também eu te guardarei da hora da provação, que está para sobrevir ao mundo inteiro, para provar os habitantes da terra.
11 हम जल्‍दिए आबऽ वला छी। जे बात अहाँ लग अछि, ताहि पर दृढ़ बनल रहू, जाहि सँ अहाँक मुकुट सँ केओ अहाँ केँ वंचित नहि कऽ दय।
11 Venho em breve. Conserva o que tens, para que ninguém tome a tua coroa.
12 जे सभ विजय प्राप्‍त करत तकरा सभ केँ हम अपन परमेश्‍वरक मन्‍दिर मे एक खाम्‍ह बनयबैक, और ओ सभ ओतऽ सँ फेर कहियो बाहर नहि जायत। हम अपन परमेश्‍वरक नाम और अपन परमेश्‍वरक नगरक नाम ओकरा सभ पर लिखबैक, अर्थात् ओहि नव यरूशलेमक नाम जे हमर परमेश्‍वरक ओतऽ सँ स्‍वर्ग सँ उतरऽ वला अछि। और हम अपन नव नाम सेहो ओकरा सभ पर लिखबैक।
12 Farei do vencedor uma coluna no templo de meu Deus, de onde jamais sairá, e escreverei sobre ele o nome de meu Deus, e o nome da cidade de meu Deus, a nova Jerusalém, que desce dos céus enviada por meu Deus, assim como o meu nome novo.
13 जकरा सभ केँ कान होइक से सभ सुनि लओ जे प्रभुक आत्‍मा मण्‍डली सभ केँ की कहैत छथि।
13 Quem tiver ouvidos, ouça o que o Espírito diz às igrejas.
14 “लौदीकियाक मण्‍डलीक दूत केँ ई लिखह,
14 Ao anjo da igreja de Laodicéia, escreve: Eis o que diz o Amém, a Testemunha fiel e verdadeira, o Princípio da criação de Deus.
15 हम अहाँक काज सभ सँ परिचित छी। हम जनैत छी जे अहाँ ने तँ ठण्‍ढा छी आ ने गरम। नीक रहैत जे अहाँ चाहे ठण्‍ढा रहितहुँ वा गरम!
15 Conheço as tuas obras: não és nem frio nem quente. Oxalá fosses frio ou quente!
16 तेँ हम अपना मुँह सँ अहाँ केँ उगिलि देब, किएक तँ अहाँ ने ठण्‍ढा छी ने गरम, बल्‍कि सुसुम छी।
16 Mas, como és morno, nem frio nem quente, vou vomitar-te.
17 अहाँ कहैत छी जे, “हम धनवान छी, हम सुखी-सम्‍पन्‍न भऽ गेलहुँ, हमरा कोनो बातक अभाव नहि अछि।” मुदा अहाँ नहि जनैत छी जे अहाँक दशा कतेक खराब अछि। अहाँ अभागल, गरीब, आन्‍हर आ नाङट छी।
17 Pois dizes: Sou rico, faço bons negócios, de nada necessito - e não sabes que és infeliz, miserável, pobre, cego e nu.
18 हम अहाँ केँ जे सल्‍लाह दैत छी, से सुनू। हमरा सँ आगि मे शुद्ध कयल सोना किनि कऽ धनिक भऽ जाउ, हमरा सँ उज्‍जर वस्‍त्र मोल लऽ कऽ पहिरि लिअ आ अपन नाङटपनक लज्‍जा केँ झाँपि लिअ, हमरा सँ मलहम किनि कऽ अपना आँखि पर लगाउ जाहि सँ अहाँ देखि सकब।
18 Aconselho-te que compres de mim ouro provado ao fogo, para ficares rico; roupas alvas para te vestires, a fim de que não apareça a vergonha de tua nudez; e um colírio para ungir os olhos, de modo que possas ver claro.
19 हम जकरा सभ सँ प्रेम करैत छी, तकरा सभ केँ डँटैत छिऐक आ सजाय दऽ कऽ सुधारैत छिऐक। एहि लेल तन-मन-धन सँ हमर बात मानू आ अपना पापक लेल पश्‍चात्ताप कऽ कऽ हृदय-परिवर्तन करू।
19 Eu repreendo e castigo aqueles que amo. Reanima, pois, o teu zelo e arrepende-te.
20 देखू, हम द्वारि पर ठाढ़ भऽ कऽ केबाड़ ढकढकबैत आवाज दऽ रहल छी। जँ केओ हमर आवाज सुनि केबाड़ खोलत, तँ हम ओकरा लग भीतर आबि कऽ ओकरा संग भोजन करबैक आ ओ हमरा संग।
20 Eis que estou à porta e bato: se alguém ouvir a minha voz e me abrir a porta, entrarei em sua casa e cearemos, eu com ele e ele comigo.
21 जहिना हम विजयी भऽ कऽ अपन पिताक संग हुनका सिंहासन पर बैसि रहलहुँ, तहिना जे सभ विजय प्राप्‍त करत, तकरा सभ केँ हम अपना संग सिंहासन पर बैसबाक अधिकार देबैक।
21 Ao vencedor concederei assentar-se comigo no meu trono, assim como eu venci e me assentei com meu Pai no seu trono.
22 जकरा सभ केँ कान होइक, से सभ सुनि लओ जे प्रभुक आत्‍मा मण्‍डली सभ केँ की कहैत छथि।”
22 Quem tiver ouvidos, ouça o que o Espírito diz às igrejas.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.