Apocalipse 22
jivən səndesh (MAI) vs VC
1 आब ओ स्वर्गदूत हमरा जीवन-जलक नदी देखौलनि, जे आर-पार देखाय वला सीसाक समान साफ छल आ जे परमेश्वर और बलि-भेँड़ाक सिंहासन सँ निकलि कऽ,
1 Mostrou-me então o anjo um rio de água viva resplandecente como cristal de rocha, saindo do trono de Deus e do Cordeiro.
2 नगरक मुख्य सड़कक बीच बाटे बहि रहल छल। नदीक दूनू कात मे जीवनक गाछ छल जे साल मे बारह बेर फड़ैत छल—हर मास मे एक बेर। ओहि गाछक पात जाति-जातिक लोक सभ केँ स्वस्थता प्रदान करबाक लेल छल।
2 No meio da avenida e às duas margens do rio, achava-se uma árvore da vida, que produz doze frutos, dando cada mês um fruto, servindo as folhas da árvore para curar as nações.
3 ओतऽ आब कोनो सरापित बात नहि रहत। परमेश्वरक आ बलि-भेँड़ाक सिंहासन ओहि नगर मे रहत, आ हुनकर सेवक सभ हुनकर आराधना करथिन।
3 Não haverá aí nada de execrável, mas nela estará o trono de Deus e do Cordeiro. Seus servos lhe prestarão um culto.
4 ओ सभ हुनकर मुँह देखथिन आ हुनका सभक कपार पर हुनकर नाम लिखल रहतनि।
4 Verão a sua face e o seu nome estará nas suas frontes.
5 ओतऽ फेर कखनो राति नहि होयत। ओकरा सभ केँ डिबियाक इजोत वा सूर्यक प्रकाशक आवश्यकता नहि होयतैक, किएक तँ प्रभु-परमेश्वर ओकरा सभक प्रकाश रहथिन, आ ओ सभ युगानुयुग राज्य करैत रहताह।
5 Já não haverá noite, nem se precisará da luz de lâmpada ou do sol, porque o Senhor Deus a iluminará, e hão de reinar pelos séculos dos séculos.
6 तकरबाद स्वर्गदूत हमरा कहलनि, “ई बात सभ सत्य अछि और एहि पर भरोसा राखल जा सकैत अछि। प्रभु-परमेश्वर, जे अपन प्रवक्ता सभ केँ प्रेरित करैत छथि, से अपना स्वर्गदूत केँ पठौलनि जाहि सँ ओ अपना सेवक सभ केँ ओ घटना सभ देखबथि जे जल्दी होमऽ वला अछि।”
6 Ele me disse: Estas palavras são fiéis e verdadeiras, e o Senhor Deus dos espíritos dos profetas enviou o seu anjo para mostrar aos seus servos o que deve acontecer em breve.
7 “देखू, हम जल्दिए आबऽ वला छी। धन्य छथि ओ सभ, जे सभ एहि पुस्तकक भविष्यवाणीक बात सभ केँ मानैत छथि।”
7 Eis que venho em breve! Felizes aqueles que põem em prática as palavras da profecia deste livro.
8 हम, यूहन्ना, अपने ई बात सभ देखलहुँ आ सुनलहुँ। ई बात सभ देखि कऽ आ सुनि कऽ हम एहि बात सभ केँ देखाबऽ वला स्वर्गदूतक आराधना करबाक लेल हुनका चरण पर खसि पड़लहुँ।
8 Fui eu, João, que vi e ouvi estas coisas. Depois de as ter ouvido e visto, prostrei-me aos pés do anjo que as mostrava.
9 मुदा ओ हमरा कहलनि, “एना नहि करू! हम तँ अहाँ जकाँ आ अहाँक भाय सभ, अर्थात्, ओ सभ जे प्रभुक प्रवक्ता सभ छथि, तिनका सभ जकाँ आ एहि पुस्तकक बात सभ केँ माननिहार सभ लोक जकाँ दासे छी। अहाँ परमेश्वरेक आराधना करू!”
9 Mas ele me disse: Não faças isto! Sou um servo como tu e teus irmãos, os profetas, e aqueles que guardam as palavras deste livro. Prostra-te diante de Deus.
10 ओ हमरा आगाँ कहलनि, “अहाँ एहि पुस्तकक भविष्यवाणीक बात सभ केँ गुप्त नहि राखू, किएक तँ समय लगचिआ गेल अछि।
10 Disse ele ainda: Não seles o texto profético deste livro, porque o momento está próximo.
11 जे अन्याय करैत अछि से अन्याये करैत रहओ, जे भ्रष्ट अछि से भ्रष्टे बनल रहओ, जे नीक काज करैत अछि, से नीके करैत रहओ, आ जे पवित्र अछि से पवित्रे बनल रहओ।”
11 O injusto faça ainda injustiças, o impuro pratique impurezas. Mas o justo faça a justiça e o santo santifique-se ainda mais.
12 “देखू, हम जल्दिए आबि रहल छी। हमरा लग प्रत्येक मनुष्य केँ ओकरा कर्मक अनुसार देबाक लेल प्रतिफल अछि।
12 Eis que venho em breve, e a minha recompensa está comigo, para dar a cada um conforme as suas obras.
13 हम अल्फा आ ओमेगा, पहिल आ अन्तिम, शुरुआत आ अन्त छी।
13 Eu sou o Alfa e o Ômega, o Primeiro e o Último, o Começo e o Fim.
14 धन्य छथि ओ सभ जे अपन वस्त्र केँ धोइत छथि। हुनका सभ केँ जीवनक गाछक फल खयबाक और नगर मे जयबाक लेल फाटक सभ बाटे प्रवेश करबाक अधिकार भेटतनि।
14 Felizes aqueles que lavam as suas vestes para ter direito à árvore da vida e poder entrar na cidade pelas portas.
15 मुदा ‘कुकुर’, जादू-टोना कयनिहार, अनैतिक शारीरिक सम्बन्ध रखनिहार, हत्यारा, मुरुतक पूजा कयनिहार, आ असत्य सँ प्रेम कयनिहार और ओहि पर आचरण कयनिहार बाहरे रहि जायत।
15 Fora os cães, os envenenadores, os impudicos, os homicidas, os idólatras e todos aqueles que amam e praticam a mentira!
16 “हम, यीशु, स्वयं अपना स्वर्गदूत केँ पठौने छी जाहि सँ ओ अहाँ सभ केँ एहि बात सभक गवाही देथि, आ अहाँ सभ मण्डली सभ केँ दी। हम दाऊद-वंशक मूल छी, दाऊदक श्रेष्ठ वंशज छी, हम भोरक चमकैत तारा छी।”
16 Eu, Jesus, enviei o meu anjo para vos atestar estas coisas a respeito das igrejas. Eu sou a raiz e o descendente de Davi, a estrela radiosa da manhã.
17 परमेश्वरक आत्मा आ बलि-भेँड़ाक दुल्हिन कहैत छथि, “आउ!” जे सभ सुनैत अछि सेहो सभ कहओ, “आउ!”
17 O Espírito e a Esposa dizem: Vem! Possa aquele que ouve dizer também: Vem! Aquele que tem sede, venha! E que o homem de boa vontade receba, gratuitamente, da água da vida!
18 जे लोक सभ एहि पुस्तकक भविष्यवाणीक बात सभ सुनैत अछि, हम तकरा सभ केँ ई चेतावनी दैत छिऐक जे, “जँ केओ एहि मे किछु जोड़त तँ परमेश्वर एहि पुस्तक मे लिखल विपत्ति सभ ओकरा जीवन मे जोड़ि देथिन।
18 Eu declaro a todos aqueles que ouvirem as palavras da profecia deste livro: se alguém lhes ajuntar alguma coisa, Deus ajuntará sobre ele as pragas descritas neste livro;
19 और जँ केओ भविष्यवाणीक एहि पुस्तकक बात सभ मे सँ कोनो बात हटा देत, तँ परमेश्वर जीवनक गाछ आ पवित्र नगर, जाहि सभक वर्णन एहि पुस्तक मे कयल गेल, ताहि मे सँ ओकर हिस्सा हटा देथिन।”
19 e se alguém dele tirar qualquer coisa, Deus lhe tirará a sua parte da árvore da vida e da Cidade Santa, descritas neste livro.
20 जे एहि बात सभक गवाही दऽ रहल छथि, से ई कहैत छथि, “हँ, हम जल्दी आबऽ वला छी।”
20 Aquele que atesta estas coisas diz: Sim! Eu venho depressa! Amém. Vem, Senhor Jesus!
21 प्रभु यीशुक कृपा अहाँ सभ गोटे पर बनल रहय। आमीन।
21 A graça do Senhor Jesus esteja com todos.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 22, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.