Apocalipse 21
jivən səndesh (MAI) vs NVT
1 तखन हम एक नव आकाश आ एक नव पृथ्वी देखलहुँ। पुरान आकाश आ पुरान पृथ्वी, दूनू लुप्त भऽ गेल छल आ आब समुद्रो नहि रहल।
1 Então vi um novo céu e uma nova terra, pois o primeiro céu e a primeira terra já não existiam, e o mar também não mais existia.
2 तकरबाद हम पवित्र नगर, नव यरूशलेम, केँ स्वर्ग सँ परमेश्वर लग सँ उतरैत देखलहुँ। ओ अपन वरक लेल श्रृंगार कयल गेल नव कनियाँ जकाँ सजाओल गेल छल।
2 E vi a cidade santa, a nova Jerusalém, que descia do céu, da parte de Deus, como uma noiva belamente vestida para seu marido.
3 तखन हमरा सिंहासन सँ एक आवाज जोर सँ ई कहैत सुनाइ पड़ल, “देखू, परमेश्वरक निवास आब मनुष्यक बीच मे छनि। परमेश्वर ओकरा सभक संग निवास करताह। ओ सभ हुनकर प्रजा होयत आ परमेश्वर अपने ओकरा सभक बीच रहि कऽ ओकरा सभक परमेश्वर होयथिन।
3 Ouvi uma forte voz que vinha do trono e dizia: “Vejam, o tabernáculo de Deus está no meio de seu povo! Deus habitará com eles, e eles serão seu povo. O próprio Deus estará com eles.
4 ओ ओकरा सभक आँखिक सभ नोर पोछि देथिन। तकरबाद ने मृत्यु रहत, ने शोक, ने विलाप आ ने कष्ट, किएक तँ पहिलुका बात सभ समाप्त भऽ गेल अछि।”
4 Ele lhes enxugará dos olhos toda lágrima, e não haverá mais morte, nem tristeza, nem choro, nem dor. Todas essas coisas passaram para sempre”.
5 तकरबाद सिंहासन पर जे विराजमान छलाह, से व्यक्ति हमरा कहलनि, “देखू, सभ किछु हम नव बना दैत छी।” तखन ओ हमरा कहलनि, “ई बात सभ लिखू, किएक तँ ई सत्य अछि और एहि पर भरोसा राखल जा सकैत अछि।”
5 E aquele que estava sentado no trono disse: “Vejam, faço novas todas as coisas!”. Em seguida, disse: “Escreva isto, pois o que lhe digo é digno de confiança e verdadeiro”.
6 ओ हमरा फेर कहलनि, “पूर्ण भऽ गेल! हम अल्फा और ओमेगा, अर्थात् शुरुआत आ अन्त छी। जे केओ पियासल होअय तकरा हम मङनी मे जीवनक जलक सोता सँ पिअयबैक।
6 E disse ainda: “Está terminado! Eu sou o Alfa e o Ômega, o Princípio e o Fim. A quem tiver sede, darei de beber gratuitamente das fontes da água da vida.
7 जे सभ विजयी होयत, से सभ ई बात सभ प्राप्त करबाक अधिकारी होयत। हम ओकरा सभक परमेश्वर होयबैक आ ओ सभ हमर पुत्र होयत।
7 O vitorioso herdará todas essas bênçãos, e eu serei seu Deus, e ele será meu filho.
8 मुदा डरपोक सभक, अविश्वासी सभक, घृणित लोकक, हत्यारा सभक, अनैतिक शारीरिक सम्बन्ध राखऽ वला सभक, जादू-टोना कयनिहार सभक, मुरुतक पूजा कयनिहार सभक आ सभ झूठ बजनिहारक स्थान ओहि आगिक कुण्ड मे होयतैक जे गन्धक सँ धधकैत रहैत अछि। यैह अछि दोसर मृत्यु।”
8 “Mas os covardes, os incrédulos, os corruptos, os assassinos, os sexualmente impuros, os que praticam feitiçaria, os adoradores de ídolos e todos os mentirosos estão destinados ao lago de fogo que arde com enxofre. Esta é a segunda morte”.
9 तकरबाद जाहि सात स्वर्गदूत सभ लग सातटा अन्तिम विपत्ति सँ भरल सात कटोरा छलनि, तिनका सभ मे सँ एक गोटे हमरा लग आबि कऽ कहलनि, “एतऽ आउ, हम अहाँ केँ दुल्हिन, अर्थात् बलि-भेँड़ाक स्त्रीक दर्शन करायब।”
9 Então um dos sete anjos que seguravam as sete taças com as últimas sete pragas se aproximou e me disse: “Venha comigo, e eu lhe mostrarei a noiva, a esposa do Cordeiro”.
10 तखन ओ हमरा प्रभुक आत्माक नियन्त्रण मे राखि कऽ एक विशाल आ उँचगर पहाड़ पर लऽ जा कऽ पवित्र नगर, अर्थात् यरूशलेम, देखौलनि। ओ नगर परमेश्वर लग सँ स्वर्ग सँ उतरि रहल छल।
10 Ele me levou no Espírito até um grande e alto monte e me mostrou a cidade santa, Jerusalém, que descia do céu da parte de Deus.
11 ओ परमेश्वरक महिमाक तेज सँ प्रकाशित छल आ बहुमूल्य पाथरक समान, सूर्यकान्त वा आर-पार देखाय वला सीसा जकाँ चमकि रहल छल।
11 Brilhava com a glória de Deus e cintilava como uma pedra preciosa, como jaspe, transparente como cristal.
12 ओकर चारू कात एक पैघ आ उँचगर छहरदेवाली छल जाहि मे बारहटा फाटक छल आ प्रत्येक फाटक पर एक-एकटा स्वर्गदूत ठाढ़ छलाह। सभ फाटक पर इस्राएलक बारहो कुल मे सँ एक-एक कुलक नाम लिखल छल।
12 O muro da cidade era grande e alto, com doze portas guardadas por doze anjos, e nelas estavam escritos os nomes das doze tribos de Israel.
13 पूब दिस तीन फाटक, उत्तर दिस तीन फाटक, दक्षिण दिस तीन फाटक आ पश्चिम दिस तीन फाटक छल।
13 Havia três portas de cada lado: leste, norte, sul e oeste.
14 नगरक छहरदेवाली बारहटा न्योक पाथर पर बनाओल गेल छल जाहि पर बलि-भेँड़ाक बारहो मसीह-दूतक नाम लिखल छल।
14 O muro da cidade tinha doze pedras de alicerce, e nelas estavam escritos os nomes dos doze apóstolos do Cordeiro.
15 जे स्वर्गदूत हमरा सँ बात कऽ रहल छलाह तिनका लग नगर आ ओकर फाटक सभ आ नगरक छहरदेवाली केँ नपबाक लेल सोनाक एकटा नापऽ वला लग्गा छलनि।
15 O anjo que falava comigo tinha na mão uma vara de ouro para medir a cidade, suas portas e seu muro.
16 नगर चौखूट छल। ओकर लम्बाइ आ चौराइ बराबरि छल। ओ लग्गा सँ नगर केँ जखन नपलनि तँ ओकर लम्बाइ 800 कोस भेल। ओकर लम्बाइ, चौराइ आ उँचाइ एके रंग छलैक।
16 A cidade tinha o formato de um quadrado, de comprimento e largura iguais. De fato, tinha 2.200 quilômetros de comprimento, de largura e de altura.
17 नगरक छहरदेवाली केँ जखन नपलनि, तँ ओकर मोटाइ मनुष्य सभक नापक अनुसार, जे नाप स्वर्गदूत सेहो प्रयोग कयलनि, 144 हाथ भेल।
17 Então ele mediu o muro e descobriu que tinha quase 65 metros de espessura (de acordo com a medida humana usada pelo anjo).
18 नगरक छहरदेवाली सूर्यकान्त पाथर सँ बनल छल, आ नगर शुद्ध सोन सँ बनल छल, जे साफ सीसा जकाँ आर-पार देखाइ दैत छल।
18 O muro era feito de jaspe, e a cidade era de ouro puro, transparente como vidro.
19 ओहि नगरक न्यो हर प्रकारक बहुमूल्य पाथर सँ सुसज्जित छल। न्योक पहिल पाथर सूर्यकान्तक, दोसर नीलमक, तेसर गोदन्तीक, चारिम मरकतक,
19 O muro da cidade era construído sobre alicerces ornamentados com doze pedras preciosas: a primeira com jaspe, a segunda com safira, a terceira com ágata, a quarta com esmeralda,
20 पाँचम सुलेमानीक, छठम गोमेदक, सातम स्वर्णमणिक, आठम पेरोजक, नवम पुखराजक, दसम लहसनियांक, एगारहम धूम्रकान्तक आ बारहम चन्द्रकान्तक छल।
20 a quinta com ônix, a sexta com cornalina, a sétima com crisólito, a oitava com berilo, a nona com topázio, a décima com crisópraso, a décima primeira com jacinto, e a décima segunda com ametista.
21 बारहो फाटक बारह मोती सँ बनल छल। प्रत्येक फाटक एक-एकटा मोतीक बनल छल। ओहि नगरक मुख्य सड़क आर-पार देखाय वला सीसा जकाँ शुद्ध सोन सँ बनल छल।
21 As doze portas eram feitas de pérolas, cada porta de uma única pérola. E a rua principal era de ouro puro, transparente como vidro.
22 हम ओहि नगर मे कोनो मन्दिर नहि देखलहुँ, किएक तँ सर्वशक्तिमान प्रभु-परमेश्वर आ बलि-भेँड़ा ओकर मन्दिर छथि।
22 Não vi templo algum na cidade, pois o Senhor Deus, o Todo-poderoso, e o Cordeiro são seu templo.
23 नगर मे सूर्य आ चन्द्रमाक प्रकाशक आवश्यकता नहि अछि, किएक तँ परमेश्वरक महिमाक तेज ओकर इजोत होइत अछि आ बलि-भेँड़ा ओकर डिबिया छथि।
23 A cidade não precisa de sol nem de lua, pois a glória de Deus a ilumina, e o Cordeiro é sua lâmpada.
24 जाति-जातिक लोक सभ नगरक इजोत मे चलत आ पृथ्वीक राजा सभ अपन वैभव केँ ओहि मे लाओत।
24 As nações andarão em sua luz, e os reis, em toda a sua glória, entrarão na cidade.
25 नगरक फाटक कखनो दिन मे बन्द नहि कयल जायत आ राति ओतऽ होयबे नहि करत।
25 Suas portas nunca se fecharão, pois ali não haverá noite.
26 ओहि नगर मे जाति-जातिक लोक सभक वैभव आ सम्मान लाओल जायत।
26 E todas as nações trarão sua glória e honra à cidade.
27 मुदा कोनो अपवित्र वस्तु आ घृणित काज कयनिहार अथवा झूठ पर आचरण कयनिहार व्यक्ति ओहि नगर मे प्रवेश नहि कऽ पाओत, बल्कि मात्र ओ लोक सभ जिनकर नाम बलि-भेँड़ाक जीवनक पुस्तक मे लिखल छनि।
27 Nenhum mal terá permissão de entrar, nem pessoa alguma que pratique o que é vergonhoso ou enganoso, mas somente aqueles cujos nomes estão escritos no Livro da Vida do Cordeiro.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 21, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.