Apocalipse 17

jivən səndesh (MAI) vs BKJ

Sair da comparação
1 जाहि सात स्‍वर्गदूत लग सातटा कटोरा छलनि ताहि मे सँ एकटा स्‍वर्गदूत हमरा लग आबि कऽ कहलनि, “एतऽ आउ, हम अहाँ केँ देखायब जे ओहि महावेश्‍या केँ कोना कऽ दण्‍डित कयल जायत जे बहुतो नदी-नहरिक पानि पर बैसल अछि।
1 E veio um dos sete anjos que tinham as sete taças, e falou comigo, dizendo-me: Vem aqui, mostrar-te-ei o juízo da grande prostituta que está assentada sobre as muitas águas;
2 ओकरा संग पृथ्‍वीक राजा सभ कुकर्म कयलक आ पृथ्‍वीक निवासी सभ ओकर कुकर्मक मदिरा पिबि कऽ माति गेल अछि।”
2 com a qual os reis da terra cometeram fornicação; e os habitantes da terra foram embebedados com o vinho da sua fornicação.
3 तकरबाद ओ स्‍वर्गदूत हमरा प्रभुक आत्‍माक नियन्‍त्रण मे राखि कऽ मरुभूमि मे लऽ गेलाह। हम ओतऽ एक स्‍त्रीगण केँ एक लाल जानबर पर बैसल देखलहुँ। जानबरक सम्‍पूर्ण शरीर पर परमेश्‍वरक निन्‍दा करऽ वला नाम सभ लिखल छल। ओकरा सातटा मूड़ी आ दसटा सीँग छलैक।
3 Assim, ele levou-me em espírito para o deserto, e eu vi uma mulher assentada sobre uma besta de cor escarlate, cheia de nomes de blasfêmia, tendo sete cabeças e dez chifres.
4 ओ स्‍त्री बैगनी आ लाल रंगक वस्‍त्र पहिरने छलि आ सोन, बहुमूल्‍य पाथर आ मोती सभ सँ सुसज्‍जित छलि। ओ हाथ मे सोनाक लोटा लेने छलि जे घृणित वस्‍तु सभ सँ आ ओकर वेश्‍यावृत्तिक अशुद्धता सँ भरल छलैक।
4 E a mulher estava vestida de púrpura e escarlate, e adornada com ouro, e pedras preciosas e pérolas; tendo um cálice de ouro em sua mão, cheio das abominações e imundícias da sua fornicação.
5 ओकरा कपार पर एक रहस्‍यमय नाम अंकित छलैक—“महान् बेबिलोन, पृथ्‍वीक वेश्‍या सभ आ घृणित वस्‍तु सभक माय।”
5 E sobre sua testa havia um nome escrito: Mistério, Babilônia a Grande, a Mãe das Prostitutas e Abominações da Terra.
6 हम देखलहुँ जे ओ स्‍त्री परमेश्‍वरक लोक सभक खून पिबि कऽ माति गेल अछि। ओ तिनका सभक खून पिबि लेने छल, जे सभ यीशुक लेल गवाही देबाक कारणेँ मारल गेल छलाह। हम ओकरा देखि कऽ अत्‍यन्‍त चकित भऽ गेलहुँ।
6 E eu vi a mulher embriagada com o sangue dos santos, e com o sangue dos mártires de Jesus; e, eu vendo-a, maravilhei-me com grande admiração.
7 तखन ओ स्‍वर्गदूत हमरा कहलनि, “अहाँ किएक चकित होइत छी? हम अहाँ केँ ओहि स्‍त्रीक रहस्‍य बुझा दैत छी आ ओहि जानबरक सेहो, जाहि पर ओ सवार अछि, जकरा सातटा मूड़ी आ दसटा सीँग छैक।
7 E o anjo me disse: Por causa disso te maravilhaste? Dir-te-ei o mistério da mulher, e da besta que a leva, a qual tem sete cabeças e dez chifres.
8 जाहि जानबर केँ अहाँ देखलहुँ से पहिने छल, आब नहि अछि, आ अथाह कुण्‍ड मे सँ निकलऽ वला अछि; ओ निकलत आ नष्‍ट कयल जायत। मुदा पृथ्‍वीक ओ निवासी सभ जकरा सभक नाम सृष्‍टिक आरम्‍भहि सँ जीवनक पुस्‍तक मे नहि लिखल गेल अछि, से सभ ई देखि कऽ आश्‍चर्य मे पड़ि जायत जे ओ जानबर पहिने छल, तखन नहि छल, और फेर आबि गेल अछि।
8 A besta que viste, era, e não é, e subirá do abismo sem fundo, e irá à perdição; e aqueles que habitam na terra hão de se maravilhar, cujos nomes não foram inscritos no livro da vida, desde a fundação do mundo, quando eles contemplarem a besta que era, e já não é, ainda que agora seja.
9 एकरा बुझबाक लेल विवेकपूर्ण बुद्धिक आवश्‍यकता अछि। ओ सातटा मूड़ी सातटा पहाड़ अछि जाहि पर ओ स्‍त्री बैसल अछि।
9 E aqui está a mente que tem sabedoria. As sete cabeças são sete montanhas, sobre as quais a mulher está assentada.
10 ओ सभ सातटा राजा सेहो अछि जाहि मे सँ पाँचटाक पतन भऽ गेल अछि, एकटा एखन अछि आ दोसर एखनो आयल नहि अछि, मुदा जखन ओ आओत तँ किछुए समय तक रहि पाओत।
10 E há sete reis; cinco caíram, e um é; e o outro ainda não é vindo; e quando vier, deverá continuar por um curto espaço de tempo.
11 ओ जानबर जे पहिने छल आ आब नहि अछि, से आठम राजा अछि। मुदा वास्‍तव मे ओ ओही सात राजाक समूह मेहक अछि, और ओकर विनाश निश्‍चित अछि।
11 E a besta que era, e não é mais, mesmo sendo o oitavo, e é dos sete, e vai à perdição.
12 “अहाँ जे दस सीँग देखलहुँ, से दसटा राजा अछि। ओकरा सभ केँ एखन तक राज्‍य-सत्ता नहि भेटल छैक, मुदा ओकरा सभ केँ घड़ी भरिक लेल मात्रे ओहि जानबरक संग राज्‍याधिकार देल जयतैक।
12 E os dez chifres que tu viste são dez reis, que não receberam reino algum ainda, mas recebem poder como reis por uma hora com a besta.
13 ओकरा सभक एकेटा उद्देश्‍य छैक और तकरा लेल ओ सभ अपन शक्‍ति आ अधिकार ओहि जानबर केँ सौंपि देतैक।
13 Estes têm uma só mente, e darão o seu poder e força à besta.
14 ओ सभ बलि-भेँड़ाक संग युद्ध करत आ बलि-भेँड़ा ओकरा सभ पर विजयी भऽ जयताह, किएक तँ ओ प्रभु सभक प्रभु आ राजा सभक राजा छथि। हुनका संग ओ लोक सभ रहत जे सभ हुनकर बजाओल गेल, चुनल गेल आ विश्‍वासयोग्‍य लोक सभ अछि।”
14 Estes guerrearão contra o Cordeiro, e o Cordeiro os vencerá; porque ele é o Senhor dos senhores e o Rei dos reis; e os que estão com ele são chamados, e escolhidos, e fiéis.
15 तकरबाद स्‍वर्गदूत हमरा कहलनि, “नदी-नहरि सभक ओ पानि जे अहाँ देखलहुँ आ जाहि पर वेश्‍या बैसल अछि, से सभ अनेक राष्‍ट्र, विशाल जनसमूह, जाति-जातिक लोक आ विभिन्‍न भाषाक लोक सभ अछि।
15 E ele disse-me: As águas que tu viste, onde a prostituta se assenta, são povos, e multidões, e nações, e línguas.
16 अहाँ जाहि जानबर केँ आ दसटा सीँग केँ देखलहुँ से सभ ओहि वेश्‍याक शत्रु बनि जायत। ओ सभ ओकरा उजाड़ कऽ कऽ नाङट कऽ देतैक। ओकर माँसु खा जयतैक आ ओकरा आगि मे जरा देतैक।
16 E os dez chifres que tu viste sobre a besta; estes odiarão a prostituta, e a deixarão assolada e nua, e comerão sua carne, e a queimarão com fogo.
17 किएक तँ जाबत तक परमेश्‍वरक कहल बात पूरा नहि भऽ जानि, ताबत तक परमेश्‍वर अपन उद्देश्‍य पूरा करयबाक लेल ओहि राजा सभ केँ एहि बात मे एकमत रहबाक भावना देथिन जे हम सभ अपन राजकीय अधिकार जानबर केँ सौंपने रहब।
17 Porque Deus tem posto em seus corações que cumpram a sua vontade, e concordar, e dar seu reino à besta, até que as palavras de Deus sejam cumpridas.
18 अहाँ जाहि स्‍त्री केँ देखलहुँ, से ओ महानगर अछि जे पृथ्‍वीक राजा सभ पर राज्‍य करैत अछि।”
18 E a mulher que tu viste é a grande cidade que reina sobre os reis da terra.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 17, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.