Apocalipse 14

jivən səndesh (MAI) vs NVT

Sair da comparação
NVT Nova Versão Transformadora
1 तकरबाद हम आँखि ऊपर उठौलहुँ, तँ देखलहुँ जे बलि-भेँड़ा सियोन पहाड़ पर ठाढ़ छथि आ हुनका संग एक लाख चौआलिस हजार लोक छथि जिनका सभक कपार पर बलि-भेँड़ाक नाम आ हुनकर पिताक नाम लिखल छनि।
1 Então vi o Cordeiro em pé no monte Sião, e com ele estavam os 144 mil que tinham o nome dele e o nome de seu Pai escritos na testa.
2 तखन हम स्‍वर्ग सँ समुद्रक गरजनाइ जकाँ आ मेघक जोर सँ तड़कनाइ जकाँ, आवाज सुनलहुँ। हम जे आवाज सुनि रहल छलहुँ से एहन छल जेना वीणा बजौनिहार सभ वीणा बजा रहल होअय।
2 E ouvi um som que vinha do céu, como o som de fortes ondas do mar, como o som de um poderoso trovão. Era como o som de muitos harpistas tocando juntos.
3 ओ सभ सिंहासनक सम्‍मुख आ चारू जीवित प्राणी और धर्मवृद्ध सभक सम्‍मुख एक नव गीत गाबि रहल छलाह। ओहि एक लाख चौआलिस हजार लोक जे सभ पृथ्‍वी पर सँ किनल गेल छलाह, तिनका सभ केँ छोड़ि, केओ नहि ओहि गीत केँ जानि सकैत छल।
3 Esse grande coral cantava um cântico novo diante do trono de Deus e diante dos quatro seres vivos e dos 24 anciãos. Ninguém podia aprender o cântico, a não ser os 144 mil que haviam sido comprados da terra.
4 ई सभ ओ लोक छथि जे स्‍त्रीक संसर्ग सँ दुषित नहि भेल छथि, किएक तँ ई सभ अपना केँ पवित्र रखने छथि। जतऽ कतौ बलि-भेँड़ा जाइत छथि, ततऽ ई लोक सभ हुनका संग चलैत छथि। हिनका सभ केँ फसिलक प्रथम फलक चढ़ौना जकाँ परमेश्‍वर आ बलि-भेँड़ा केँ विशेष रूप सँ अर्पित होयबाक लेल मनुष्‍य सभ मे सँ किनल गेल छनि।
4 Eles se conservaram puros, sem manter relações com mulheres, e seguem o Cordeiro por onde quer que ele vá. Foram comprados dentre os habitantes da terra como oferta especial a Deus e ao Cordeiro.
5 हिनका सभक मुँह सँ कहियो झूठ नहि बहरायल। ई सभ निष्‍कलंक छथि।
5 Não mentem; são irrepreensíveis.
6 तकरबाद हम एक आओर स्‍वर्गदूत केँ आकाशक बीच मे उड़ैत देखलियनि। हुनका लग पृथ्‍वी पर रहनिहार प्रत्‍येक जाति, कुल, भाषा आ राष्‍ट्रक लोक सभ केँ सुनयबाक लेल अनन्‍त काल तक रहऽ वला सनातन शुभ समाचार छलनि।
6 Vi outro anjo que voava no ponto mais alto do céu, levando as boas-novas eternas para anunciá-las aos habitantes da terra, a toda nação, tribo, língua e povo.
7 ओ ऊँ‍च स्‍वर मे कहलनि, “परमेश्‍वरक भय मानू आ हुनकर महिमाक गुणगान करू, किएक तँ हुनकर न्‍याय करबाक समय आबि गेल अछि। स्‍वर्ग, पृथ्‍वी, समुद्र आ जलस्रोत सभक जे सृष्‍टि कयने छथि, तिनकर आराधना करू।”
7 “Temam a Deus!”, dizia em alta voz. “Deem glória a ele, pois chegou o tempo em que ele julgará a humanidade. Adorem aquele que fez os céus, a terra, o mar e todas as fontes de água.”
8 तकरबाद एक दोसर स्‍वर्गदूत अयलाह आ कहलनि, “सर्वनाश भऽ गेलैक! ओहि महान् बेबिलोन नगरक जे अपन कुकर्मक काम-वासना वला मदिरा सभ जाति केँ पिऔने छलैक, तकर सर्वनाश भऽ गेलैक!”
8 Então outro anjo o seguiu, dizendo em alta voz: “Caiu a Babilônia! Caiu a grande cidade que fez todas as nações beberem do vinho da fúria de sua imoralidade!”.
9 फेर एक तेसर स्‍वर्गदूत अयलाह। ओ ऊँ‍च स्‍वर मे कहलनि, “जँ कोनो मनुष्‍य जानबरक आ ओकर मूर्तिक पूजा करत और अपन कपार वा हाथ पर ओकर छाप लगबाओत,
9 Um terceiro anjo os seguiu, dizendo em alta voz: “Aqueles que adorarem a besta e sua estátua, ou aceitarem sua marca na testa ou na mão,
10 तँ ओकरा परमेश्‍वरक क्रोधक ओ मदिरा पिबऽ पड़तैक जे बिनु कोनो मिलावट कऽ हुनका क्रोधक बाटी मे ढारल गेल अछि। ओ पवित्र स्‍वर्गदूत सभ आ बलि-भेँड़ाक सम्‍मुख आगि आ गन्‍धक मे घोर यातना भोगत।
10 beberão do vinho da fúria de Deus, que foi derramado, sem mistura, na taça da ira de Deus. E serão atormentados com fogo e enxofre na presença dos santos anjos e do Cordeiro.
11 जे लोक जानबर आ ओकर मूर्तिक पूजा करैत अछि आ ओकर नामक छाप स्‍वीकार करैत अछि तकर सभक यातनाक धुआँ युगानुयुग तक उड़ैत रहत आ ओकरा सभ केँ दिन-राति कखनो चैन नहि भेटतैक।”
11 A fumaça de seu tormento subirá para todo o sempre, e não terão alívio de dia nem de noite, pois adoraram a besta e sua estátua e aceitaram a marca de seu nome”.
12 एहि कारणेँ परमेश्‍वरक लोक सभ केँ, अर्थात् तकरा सभ केँ, जे सभ परमेश्‍वरक आज्ञाक पालन करैत अछि आ यीशु पर विश्‍वास करऽ मे स्‍थिर रहैत अछि, धैर्यक संग साहस रखनाइ जरूरी अछि।
12 Isso significa que o povo santo deve ser perseverante, obedecendo aos mandamentos de Deus e permanecendo fiel a Jesus.
13 तखन हमरा स्‍वर्ग सँ एकटा आवाज ई कहैत सुनाइ देलक जे, “ई लिखह—आब ओ लोक सभ जे प्रभु पर विश्‍वास कऽ कऽ मरैत अछि, से कतेक धन्‍य अछि!” प्रभुक आत्‍मा ई कहैत छथि जे, “हँ, ओ सभ अपन-अपन परिश्रम सँ आराम पाओत, किएक तँ ओकरा सभक सत्‍कर्म ओकरा सभक संग जयतैक।”
13 E ouvi uma voz que vinha do céu, dizendo: “Escreva isto: Felizes os que, de agora em diante, morrem no Senhor. Sim, diz o Espírito, eles são verdadeiramente felizes, pois descansarão de seu trabalho árduo; porque suas boas obras os acompanharão”.
14 फेर हम नजरि उठौलहुँ तँ देखैत छी जे एक उज्‍जर मेघ अछि आ मेघ पर मनुष्‍य-पुत्र सन केओ बैसल छथि। हुनका सिर पर सोनाक मुकुट आ हाथ मे एक तेज हाँसू छनि।
14 Em seguida, vi uma nuvem branca e, sentado na nuvem, alguém semelhante ao Filho do Homem. Tinha uma coroa de ouro na cabeça e uma foice afiada na mão.
15 तखन एक दोसर स्‍वर्गदूत मन्‍दिर सँ बहरयलाह आ मेघ पर बैसल व्‍यक्‍ति केँ ऊँ‍च स्‍वर मे कहलथिन, “अपन हाँसू चलाउ आ फसिल काटू, किएक तँ कटनी करबाक समय भऽ गेल अछि, पृथ्‍वीक फसिल पाकि गेल अछि।”
15 Então outro anjo veio do templo e gritou bem forte para aquele que estava sentado na nuvem: “Use a foice e comece a ceifar, pois chegou a hora da colheita; a safra da terra está madura!”.
16 मेघ पर बैसल व्‍यक्‍ति पृथ्‍वी पर अपन हाँसू घुमौलनि आ पृथ्‍वीक फसिल कटा गेल।
16 Assim, aquele que estava sentado na nuvem passou a foice sobre a terra, e toda a terra foi ceifada.
17 तकरबाद एक दोसर स्‍वर्गदूत स्‍वर्गक मन्‍दिर मे सँ बहरयलाह। हुनको हाथ मे एकटा तेजगर हाँसू छलनि।
17 Depois disso, outro anjo saiu do templo no céu, e ele também tinha uma foice afiada.
18 एकटा आओर स्‍वर्गदूत, जिनका आगि पर अधिकार छलनि, से वेदी लग सँ आबि ऊँ‍च स्‍वर मे ओहि स्‍वर्गदूत केँ जे तेजगर हाँसू लेने छलाह, कहलथिन, “अपन तेजगरहा हाँसू घुमाउ आ पृथ्‍वी पर सँ अंगूरक गुच्‍छा सभ जमा कऽ लिअ, किएक तँ ओ सभ पाकि गेल अछि।”
18 Então ainda outro anjo, que tinha poder para destruir com fogo, veio do altar e gritou bem forte para o anjo que segurava a foice afiada: “Agora use sua foice para ajuntar os cachos de uvas da videira da terra, pois estão maduras!”.
19 ओ स्‍वर्गदूत अपन हाँसू घुमौलनि आ पृथ्‍वी परक अंगूर सभ केँ काटि कऽ परमेश्‍वरक क्रोध रूपी विशाल रसकुण्‍ड मे राखि देलनि।
19 O anjo passou a foice sobre a terra e encheu de uvas o grande tanque de prensar da fúria de Deus.
20 ओ रसकुण्‍ड जे नगरक बाहर छल, ताहि मे अंगूर सभ पयर सँ पिचल गेल, और रसकुण्‍ड मे सँ जे खून बहल से घोड़ाक लगामक उँचाइ तक ऊँच, आ लगभग एक सय कोस दूर तक पहुँचि गेल।
20 As uvas foram pisadas no tanque, fora da cidade, e dele correu sangue como um rio de quase trezentos quilômetros de comprimento, com altura que chegava aos freios de um cavalo.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar Apocalipse 14, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.