2 Tessalonicenses 3

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 यौ भाइ लोकनि, अन्‍त मे ई—हमरा सभक लेल प्रार्थना करैत रहू जे, प्रभुक वचन जल्‍दी सँ पसरय आ जहिना अहाँ सभक ओतऽ भेल, तहिना ओ दोसरो-दोसरो ठाम आदरक संग स्‍वीकार कयल जाय।
1 Por fim, irmãos, orai por nós, para que a palavra do Senhor se propague e seja estimada, tal como acontece entre vós,
2 और ई प्रार्थना करू जे भ्रष्‍ट आ दुष्‍ट लोक सभ सँ हमरा सभक रक्षा होइत रहय, कारण, सभ लोक वचन सुनि विश्‍वास नहि करैत अछि।
2 e para que sejamos livres dos homens perversos e maus; porque nem todos possuem a fé.
3 मुदा प्रभु विश्‍वासयोग्‍य छथि। ओ अहाँ सभ केँ दृढ़ बनौने रहताह आ दुष्‍ट शैतान सँ अहाँ सभ केँ सुरक्षित रखताह।
3 Mas o Senhor é fiel, e ele há de vos dar forças e vos preservar do mal.
4 प्रभु पर भरोसा राखि हमरा सभ केँ पूरा विश्‍वास अछि जे अहाँ सभ हमरा सभक आज्ञाक पालन कऽ रहल छी आ आगाँ सेहो करैत रहब।
4 Quanto a vós, temos plena certeza no Senhor de que estareis cumprindo e continuareis a cumprir o que vos prescrevemos.
5 प्रभु अहाँ सभक हृदय मे परमेश्‍वरक प्रेमक आ मसीहक धैर्यक अनुभव बढ़बथि।
5 Que o Senhor dirija os vossos corações para o amor de Deus e a paciência de Cristo.
6 यौ भाइ लोकनि, आब हम सभ प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ अहाँ सभ केँ आज्ञा दैत छी जे अहाँ सभ ओहन सभ भाय सँ दूर रहू जे सभ आलसी अछि आ ओहि शिक्षाक अनुसार नहि चलैत अछि जे हमरा सभ द्वारा अहाँ सभ केँ देल गेल।
6 Intimamo-vos, irmãos, em nome de nosso Senhor Jesus Cristo, que eviteis a convivência de todo irmão que leve vida ociosa e contrária à tradição que de nós tendes recebido.
7 अहाँ सभ तँ अपने जनैत छी जे, हम सभ जेना करैत छी, तेना अहूँ सभ केँ करबाक चाही—हम सभ अहाँ सभक बीच रहैत आलसी बनि कऽ नहि रहलहुँ।
7 Sabeis perfeitamente o que deveis fazer para nos imitar. Não temos vivido entre vós desregradamente,
8 हम सभ बिनु मोल चुका कऽ किनको रोटी नहि खयलहुँ, बल्‍कि दिन-राति कष्‍ट सहैत आ परिश्रम करैत खटैत रहलहुँ जाहि सँ अहाँ सभ मे सँ किनको पर भार नहि बनि जाइ।
8 nem temos comido de graça o pão de ninguém. Mas, com trabalho e fadiga, labutamos noite e dia, para não sermos pesados a nenhum de vós.
9 ई बात नहि, जे हमरा सभ केँ अहाँ सभ सँ सहयोग पयबाक अधिकार नहि छल, बल्‍कि बात ई जे, हम सभ अहाँ सभक लेल उदाहरण बनऽ चाहलहुँ जाहि सँ अहूँ सभ तहिना करी।
9 Não porque não tivéssemos direito para isso, mas foi para vos oferecer em nós mesmos um exemplo a imitar.
10 अहाँ सभक संग रहैत हम सभ अहाँ सभ केँ ई आज्ञा देने छलहुँ जे, “केओ जँ काज नहि करऽ चाहैत अछि, तँ ओ खयबो नहि करओ।”
10 Aliás, quando estávamos convosco, nós vos dizíamos formalmente: Quem não quiser trabalhar, não tem o direito de comer.
11 मुदा हम सभ सुनैत छी जे अहाँ सभक बीच किछु लोक आलसीक जीवन व्‍यतीत कऽ रहल अछि। ओ सभ स्‍वयं काज नहि करैत अछि आ दोसराक काज मे बाधा दैत अछि।
11 Entretanto, soubemos que entre vós há alguns desordeiros, vadios, que só se preocupam em intrometer-se em assuntos alheios.
12 एहन लोक सभ केँ हम सभ प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ आज्ञा दैत छिऐक और एहि पर जोर दऽ कऽ अनुरोध करैत छिऐक जे, ओ सभ चुप-चाप अपन काज करओ आ अपन कमाइक रोटी खाओ।
12 A esses indivíduos ordenamos e exortamos a que se dediquem tranqüilamente ao trabalho para merecerem ganhar o que comer.
13 और यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ जे छी से सभ भलाइक काज करऽ सँ नहि थाकू।
13 Vós, irmãos, não vos canseis de fazer o bem.
14 जँ केओ हमरा सभक एहि पत्र मेहक आदेशक पालन नहि करैत अछि तँ ओकरा चिन्‍हू आ ओकरा सँ कोनो सम्‍बन्‍ध नहि राखू, जाहि सँ ओ अपन आचरण-व्‍यवहार सँ लज्‍जित होअय।
14 Se alguém não obedecer ao que ordenamos por esta carta, notai-o e, para que ele se envergonhe, deixai de ter familiaridade com ele.
15 तैयो ओकरा दुश्‍मन नहि बुझिऔक, बल्‍कि भाय मानि कऽ समझबिऔक-बुझबिऔक।
15 Porém, não deveis considerá-lo como inimigo, mas repreendê-lo como irmão.
16 प्रभु यीशु जे शान्‍तिक स्रोत छथि, स्‍वयं अहाँ सभ केँ सदिखन आ सभ तरहेँ शान्‍ति देने रहथि। प्रभु अहाँ सभ गोटेक संग रहथि।
16 O Senhor da paz vos conceda a paz em todo o tempo e em todas as circunstâncias. O Senhor esteja com todos vós.
17 आब हम, पौलुस, ई नमस्‍कार अपने हाथ सँ लिखैत छी। हमरा अपना हाथ सँ लिखल नमस्‍कार सँ हमर सभ चिट्ठी चिन्‍हल जा सकैत अछि। हमर अक्षर एहने होइत अछि।
17 A saudação vai de meu próprio punho: PAULO. É esta a minha assinatura em todas as minhas cartas. É assim que eu escrevo.
18 अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक कृपा अहाँ सभ गोटे पर बनल रहय।
18 A graça de nosso Senhor Jesus Cristo esteja com todos vós!

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Tessalonicenses 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.