2 Tessalonicenses 1

jivən səndesh (MAI) vs BKJ

Sair da comparação
1 पौलुस, सिलास आ तिमुथियुसक दिस सँ,
1 Paulo, e Silvano, e Timóteo, à igreja dos tessalonicenses, em Deus, nosso Pai, e no Senhor Jesus Cristo:
2 पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि आ अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।
2 Graça a vós e paz da parte de Deus, nosso Pai, e do Senhor Jesus Cristo.
3 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभक लेल सदिखन परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देनाइ हमरा सभक कर्तव्‍य अछि। ई बात उचितो अछि, कारण अहाँ सभक विश्‍वास बहुत नीक सँ बढ़ि रहल अछि, और अहाँ सभ मे सँ प्रत्‍येक गोटे केँ जे एक-दोसराक लेल प्रेम अछि, तकर वृद्धि भऽ रहल अछि।
3 Devemos sempre dar graças a Deus por vós, irmãos, como é adequado, porque a vossa fé cresce excessivamente, e a caridade de cada um de vós aumenta de uns para com os outros,
4 एहि लेल परमेश्‍वरक आन मण्‍डली सभक बीच हम सभ अहाँ सभक बड़ाइ करैत छी जे, जतेक कष्‍ट आ अत्‍याचार अहाँ सभ सहि रहल छी ताहि सभ मे सेहो अहाँ सभक धैर्य आ विश्‍वास स्‍थिर रहैत अछि।
4 de maneira que nós mesmos nos gloriamos de vós nas igrejas de Deus, por causa da vossa paciência e fé, em todas as vossas perseguições e tribulações que suportais,
5 ई सभ एहि बातक प्रमाण अछि जे परमेश्‍वरक न्‍याय उचित होइत छनि; आ एकर फल ई अछि जे अहाँ सभ परमेश्‍वरक राज्‍यक योग्‍य ठहरब, जाहि राज्‍यक लेल अहाँ सभ एखन दुःख सहि रहल छी।
5 isto é o sinal manifesto do justo julgamento de Deus, para que sejais considerados dignos do reino de Deus, pelo qual também sofreis.
6 परमेश्‍वर न्‍यायी छथि—ओ अहाँ सभ केँ कष्‍ट देनिहार सभ केँ कष्‍ट देथिन,
6 Visto que é algo justo diante de Deus recompensar tribulação aos que vos atribulam,
7 और अहाँ सभ केँ, जे कष्‍ट पौनिहार छी, आ हमरो सभ केँ, ओ आराम देताह। ओ ई सभ तहिया करताह जहिया प्रभु यीशु अपन सामर्थी स्‍वर्गदूत सभक संग धधकैत आगि मे प्रगट होइत स्‍वर्ग सँ औताह।
7 e a vós, que sois atribulados, descanso conosco, quando o Senhor Jesus se revelar desde o céu, com os seus anjos poderosos,
8 ओहि समय मे ओ तकरा सभ केँ दण्‍ड देथिन जे सभ परमेश्‍वर केँ स्‍वीकार नहि कयलक आ अपना सभक प्रभु यीशुक शुभ समाचार केँ नहि मानलक।
8 em chama de fogo, tomando vingança dos que não conhecem a Deus e dos que não obedecem ao evangelho de nosso Senhor Jesus Cristo;
9 एहन लोक सभ प्रभुक उपस्‍थिति आ हुनकर शक्‍तिक प्रताप सँ दूर कयल जायत और अनन्‍त कालीन विनाशक दण्‍ड पाओत।
9 os quais serão punidos com eterna destruição, longe da presença do Senhor e da glória do seu poder.
10 ई बात ओहि दिन होयत जहिया प्रभु यीशु अपन पवित्र लोकक बीच अपन महिमाक गुणगान स्‍वीकार करबाक हेतु औताह, और ताहि सभ लोकक लेल अत्‍यन्‍त खुशी और आश्‍चर्यक कारण बनबाक हेतु औताह, जे सभ हुनका पर विश्‍वास कयने अछि। और ओहि मे अहूँ सभ रहब, कारण अहाँ सभ केँ हम सभ हुनका बारे मे जे बात सुनौलहुँ ताहि पर अहाँ सभ विश्‍वास कयलहुँ।
10 Quando vier para ser glorificado nos seus santos e para ser admirado naquele dia, em todos os que creem (porque o nosso testemunho foi crido entre vós).
11 ई सभ बात ध्‍यान मे राखि, हम सभ लगातार अहाँ सभक लेल प्रार्थना करैत छी जे अपना सभक परमेश्‍वर अहाँ सभ केँ ताहि बातक योग्‍य बुझथि जकरा लेल ओ अहाँ सभ केँ बजौलनि। हुनका सँ इहो प्रार्थना करैत छी जे ओ अपना सामर्थ्‍य सँ भलाइ करबाक अहाँ सभक प्रत्‍येक इच्‍छा केँ पूरा करथि आ विश्‍वास सँ प्रेरित प्रत्‍येक काज केँ सम्‍पन्‍न करऽ मे अहाँ सभक मदति करथि।
11 Pelo que também oramos sempre por vós, para que o nosso Deus vos considere dignos dessa vocação e cumpra todo desejo da sua bondade e a obra da fé com poder.
12 किएक तँ एहि तरहेँ अपना सभक परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीहक कृपाक कारणेँ अहाँ सभ द्वारा अपना सभक प्रभु यीशु केँ आदर-प्रशंसा प्राप्‍त होयतनि, आ हुनका द्वारा अहाँ सभ केँ आदर-प्रशंसा प्राप्‍त होयत।
12 Para que o nome de nosso Senhor Jesus Cristo seja glorificado em vós, e vós nele, segundo a graça de nosso Deus e do Senhor Jesus Cristo.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Tessalonicenses 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.