2 Timóteo 4

jivən səndesh (MAI) vs BKJ

Sair da comparação
1 परमेश्‍वरक सामने आ मसीह यीशुक सामने, जे मरल सभक आ जीवित सभक न्‍याय करताह, हम अहाँ केँ आज्ञा दैत छी। हम ई आज्ञा मसीह यीशुक फेर अयनाइ आ हुनकर राज्‍य केँ ध्‍यान मे राखि कऽ दैत छी जे,
1 Conjuro-te, pois, diante de Deus e do Senhor Jesus Cristo, que há de julgar os vivos e os mortos, na sua aparição e no seu reino;
2 परमेश्‍वरक वचनक प्रचार करू, समय-असमय एहि मे लागल रहू। पूरा-पूरी धैर्य राखि शिक्षा दऽ कऽ लोक सभ केँ समझाउ-बुझाउ, चेतावनी दिअ, आ हिम्‍मत बढ़ाउ।
2 que pregues a palavra, instes a tempo e fora de tempo, reprove, repreendas, exortes com toda longanimidade e doutrina.
3 किएक तँ एहन समय आबि रहल अछि जखन लोक सभ सही शिक्षाक बात सुनब बरदास्‍त नहि करत, बल्‍कि अपना इच्‍छाक अनुसार अपना चारू कात तेहन शिक्षक सभक भीड़ जमा करत जे ओकरा सभ केँ वैह बात सुनौतैक जे ओ सभ सुनऽ चाहैत अछि।
3 Porque virá tempo em que não suportarão a sã doutrina; mas, conforme as suas próprias concupiscências, amontoarão para si mestres, tendo comichão nos ouvidos;
4 ओ सभ सत्‍य केँ सुनऽ काल मे कान मुनि लेत आ कपोल-कल्‍पित खिस्‍सा-पिहानीक पाछाँ दौड़त।
4 e desviarão os seus ouvidos da verdade, voltando às fábulas.
5 मुदा अहाँ प्रत्‍येक परिस्‍थिति मे सचेत होउ, कष्‍ट उठाउ, सुसमाचार-प्रचारक काज मे लागल रहू आ अपन सेवा-काजक सभ कर्तव्‍य पूरा करू।
5 Tu, porém, vigiai em todas as coisas; sofre as aflições, faze a obra de um evangelista, faz plena demonstração do teu ministério.
6 कारण, हम आब बलि कयल जाय वला छी। हमर चलि जयबाक समय आबि गेल अछि।
6 Porque já estou pronto para ser oferecido, e o tempo da minha partida está próximo.
7 हम नीक लड़ाइ लड़ि लेलहुँ, अपन दौड़ पूरा कऽ लेलहुँ और अपन विश्‍वास पर अटल रहलहुँ।
7 Combati o bom combate, terminei a minha carreira, guardei a fé.
8 आब हमरा लेल पुरस्‍कार राखल अछि—धार्मिकताक ओ मुकुट जकरा उचित न्‍याय कयनिहार न्‍यायाधीश, प्रभु, हमरा ताहि दिन देताह जहिया ओ फेर औताह, और से मात्र हमरेटा नहि, बल्‍कि ओहि सभ लोक केँ जे सभ प्रेमपूर्बक हुनकर अयबाक दिनक प्रतीक्षा कऽ रहल अछि।
8 Desde agora, a coroa de justiça me está guardada, a qual o Senhor, o justo juiz, me dará naquele dia; e não somente a mim, mas também a todos os que amam a sua aparição.
9 हमरा लग जल्‍दी अयबाक प्रयत्‍न करू,
9 Procura vir ter comigo depressa.
10 किएक तँ देमास एहि संसारक मोह मे फँसि कऽ हमरा छोड़ि देलक आ थिसलुनिका चल गेल अछि। क्रेसकेंस गलातिया गेल छथि आ तीतुस दलमतिया।
10 Porque Demas me desamparou, amando este mundo presente, e partiu para Tessalônica; Crescente, para a Galácia, Tito, para a Dalmácia.
11 मात्र लूका हमरा लग छथि। मरकुस केँ अपना संग लेने अयबनि, कारण, हमरा सेवा-काज करऽ मे हुनका सँ बहुत सहायता भेटैत अछि।
11 Só Lucas está comigo. Toma Marcos e traze-o contigo, porque ele me é proveitoso no ministério.
12 हम तुखिकुस केँ इफिसुस पठौने छियनि।
12 E Tíquico enviei a Éfeso.
13 अहाँ जखन आयब तँ हमर कम्‍बल जकरा हम त्रोआस मे करपुसक ओतऽ छोड़ने छलहुँ, आ पोथी सभ, खास कऽ चमड़ा वला पोथी सभ, लेने आयब।
13 A capa que deixei em Trôade, com Carpo, quando vieres, traze contigo; e também os livros, especialmente os pergaminhos.
14 सिकन्‍दर सोनार हमरा बहुत हानि पहुँचौलक। प्रभु ओकरा ओकर काजक फल देथिन।
14 Alexandre, o caldeireiro, me fez muito mal; o Senhor lhe recompense segundo as suas obras.
15 ओकरा सँ अहूँ सावधान रहू, किएक तँ ओ हमरा सभक उपदेश सभक घोर विरोध कयलक।
15 Tu, guarda-te também dele, porque ele resistiu muito às nossas palavras.
16 पहिल बेर जखन हमरा कचहरी मे अपन सफाइ देबऽ पड़ल तँ केओ हमर संग नहि देलक, सभ केओ हमरा छोड़ि देलक। प्रभु करथि जे ओकरा सभ केँ एहि बातक लेखा नहि देबऽ पड़ैक!
16 Na minha primeira defesa, ninguém estava comigo; antes, todos me desampararam. Oro a Deus que isto lhes não seja imputado.
17 मुदा प्रभु हमरा संग रहलाह आ हमरा सामर्थ्‍य देलनि, जाहि सँ सभ जातिक लोक केँ हम हुनकर शुभ समाचार पूर्ण रूप सँ सुना सकिऐक। एहि तरहेँ हम “सिंहक मुँह” सँ बचाओल गेलहुँ।
17 Mas o Senhor estava comigo e fortaleceu-me, para que, através de mim, a pregação fosse totalmente conhecida e todos os gentios a ouvissem; e fui salvo da boca do leão.
18 प्रभु हमरा दुष्‍ट सभक हर षड्‌यन्‍त्र सँ बचौताह आ अपन स्‍वर्गीय राज्‍य मे सुरक्षित लऽ जयताह। हुनकर गुणगान युगानुयुग होइत रहनि। आमीन।
18 E o Senhor me livrará de toda má obra e me preservará para o seu reino celestial; a quem seja glória para todo o sempre. Amém.
19 प्रिस्‍किला और अक्‍विला केँ आ उनेसिफुरुसक घरक सभ लोक केँ हमर नमस्‍कार कहिऔन।
19 Saúda a Prisca, e a Áquila, e à casa de Onesíforo.
20 इरास्‍तुस कोरिन्‍थ नगर मे रहि गेलाह और त्रोफिमुस केँ हम मिलेतुस नगर मे बिमार छोड़ि आयल छी।
20 Erasto ficou em Corinto, e deixei Trófimo doente em Mileto.
21 जाड़ शुरू होयबा सँ पहिने चल अयबाक प्रयत्‍न करू। यूबुलुस, पुदेंस, लिनुस, क्‍लौदिया और अन्‍य सभ भाय लोकनि अहाँ केँ नमस्‍कार कहैत छथि।
21 Procura vir antes do inverno. Saúdam-te Êubulo, Prudente, Lino, Cláudia, e todos os irmãos.
22 प्रभु अहाँक आत्‍माक संग रहथि। अहाँ सभ पर हुनकर कृपा बनल रहय।
22 O Senhor Jesus Cristo seja com o teu espírito. A graça seja convosco. Amém.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Timóteo 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.