2 Pedro 1

jivən səndesh (MAI) vs NTLH

Sair da comparação
NTLH Nova Tradução na Linguagem de Hoje 2000
1 हम, सिमोन पत्रुस, जे यीशु मसीहक सेवक आ मसीह-दूत छी, से अहाँ सभ केँ ई पत्र लिखि रहल छी, जे सभ अपना सभक परमेश्‍वर आ उद्धारकर्ता यीशु मसीहक धार्मिकता द्वारा वैह बहुमूल्‍य विश्‍वास प्राप्‍त कयने छी जे हमरो सभ केँ प्राप्‍त भेल।
1 Eu, Simão Pedro, servo e apóstolo de Jesus Cristo, escrevo esta carta a vocês que, por causa da bondade do nosso Deus e Salvador Jesus Cristo, receberam uma fé tão preciosa como a nossa.
2 परमेश्‍वर केँ आ यीशु अपना सभक प्रभु केँ चिन्‍हबाक द्वारा अहाँ सभ केँ प्रशस्‍त मात्रा मे कृपा आ शान्‍तिक अनुभव होअय।
2 Que a graça e a paz estejam com vocês e aumentem cada vez mais, por meio do conhecimento que vocês têm de Deus e de Jesus, o nosso Senhor!
3 परमेश्‍वर अपन ईश्‍वरीय सामर्थ्‍य सँ अपना सभ केँ ओ सभ बात देने छथि जे जीवन आ भक्‍तिक लेल आवश्‍यक अछि। ओ जे अपन महिमा आ सद्‌गुण द्वारा अपना सभ केँ बजौने छथि, तिनका चिन्‍हबाक द्वारा अपना सभ केँ ई सभ बात प्राप्‍त भेल।
3 O poder de Deus nos tem dado tudo o que precisamos para viver uma vida que agrada a ele, por meio do conhecimento que temos daquele que nos chamou para tomar parte na sua própria glória e bondade.
4 एहि महिमा आ सद्‌गुण द्वारा ओ अपना सभ केँ बहुमूल्‍य आ उत्तम बात सभ देबाक वचन देने छथि, जाहि सँ ई बात सभ प्राप्‍त कऽ कऽ अहाँ सभ भ्रष्‍ट करऽ वला ओहि अधलाह इच्‍छा सभ सँ बाँचि सकी जे संसार मे अछि, आ ईश्‍वरीय स्‍वभाव मे सहभागी भऽ सकी।
4 Desse modo ele nos tem dado os maravilhosos e preciosos dons que prometeu. Ele fez isso para que, por meio desses dons, nós escapássemos da imoralidade que os maus desejos trouxeram a este mundo e pudéssemos tomar parte na sua natureza divina.
5 एहि लेल पूरा-पूरा प्रयत्‍न करू जे अहाँ सभ अपना विश्‍वास मे सद्‌गुण केँ बढ़बैत चली, अपना सद्‌गुण मे ज्ञान केँ,
5 Por isso mesmo façam todo o possível para juntar a bondade à fé que vocês têm. À bondade juntem o conhecimento
6 अपना ज्ञान मे संयम केँ, अपना संयम मे धैर्य केँ, अपना धैर्य मे भक्‍ति केँ,
6 e ao conhecimento, o domínio próprio. Ao domínio próprio juntem a perseverança e à perseverança, a devoção a Deus.
7 अपना भक्‍ति मे भाय-बहिन वला स्‍नेह केँ, आ अपना भाय-बहिन वला स्‍नेह मे प्रेम केँ बढ़बैत चली।
7 A essa devoção juntem a amizade cristã e à amizade cristã juntem o amor.
8 किएक तँ जँ अहाँ सभ मे ई गुण सभ अछि, आ बढ़ल जा रहल अछि, तँ ई सभ अपना सभक प्रभु यीशु मसीह केँ आओर नीक जकाँ चिन्‍हऽ-जानऽ मे अहाँ सभ केँ निष्‍क्रिय आ निष्‍फल नहि होमऽ देत।
8 Pois são essas as qualidades que vocês precisam ter. Se vocês as tiverem e fizerem com que elas aumentem, serão cada vez mais ativos e produzirão muita coisa boa como resultado do conhecimento que vocês têm do nosso Senhor Jesus Cristo.
9 मुदा जाहि व्‍यक्‍ति मे ई गुण सभ नहि अछि, से कनेको दूर नहि देखि सकैत अछि। ओ आन्‍हर अछि, और ई बिसरि गेल अछि जे ओ पहिलुका पाप सभ सँ शुद्ध कयल गेल अछि।
9 Mas quem não tem essas coisas é como um cego ou como alguém que enxerga pouco e esqueceu que foi purificado dos seus pecados passados.
10 तेँ, यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभ वास्‍तव मे परमेश्‍वर द्वारा बजाओल गेल छी आ चुनल गेल छी, तकरा सिद्ध करबाक लेल पूरा प्रयत्‍न करू। ई बात सभ जाबत धरि करैत रहब, ताबत धरि अहाँ सभ कहियो विश्‍वासक बाट सँ नहि भटकब,
10 Portanto, meus irmãos, procurem ficar cada vez mais firmes na certeza de que Deus os chamou e escolheu. Se vocês fizerem isso, jamais abandonarão a fé
11 बल्‍कि अपना सभक प्रभु आ उद्धारकर्ता यीशु मसीहक अनन्‍त कालीन राज्‍य मे प्रवेश करबाक लेल अहाँ सभक बड़का स्‍वागत होयत।
11 e assim receberão todo o direito de entrar no Reino eterno do nosso Senhor e Salvador Jesus Cristo.
12 तेँ हम बेर-बेर अहाँ सभ केँ एहि बात सभक स्‍मरण करबैत रहब, ओना तँ अहाँ सभ एहि सभ केँ पहिने सँ जनैत छी, और अहाँ सभ केँ जे सत्‍य प्राप्‍त भेल अछि, ताहि मे स्‍थिर सेहो छी।
12 Por isso, farei sempre com que vocês lembrem dessas coisas, embora já as conheçam e estejam firmes na verdade que receberam.
13 हम जाबत धरि एहि शरीर रूपी डेरा मे छी, ताबत धरि एहि बात सभक स्‍मरण दिआ कऽ अहाँ सभ केँ उत्‍साहित करैत रही, से हम अपन कर्तव्‍य बुझैत छी,
13 Penso que, enquanto eu viver, é justo que faça com que vocês lembrem dessas coisas.
14 किएक तँ हम जनैत छी जे हमरा अपन एहि शरीर केँ जल्‍दिए छोड़ि देबाक अछि, जेना कि अपना सभक प्रभु यीशु मसीह हमरा कहने छथि।
14 Pois sei que logo terei de deixar este corpo mortal, como o nosso Senhor Jesus Cristo me disse claramente.
15 एहि लेल हम पूरा प्रयत्‍न करब जे अहाँ सभ हमरा चल गेलाक बादो सभ दिन एहि बात सभक याद कऽ सकी।
15 Portanto, farei tudo o que puder para que, depois da minha morte, vocês lembrem sempre dessas coisas.
16 जखन हम सभ अहाँ सभ केँ सुनौलहुँ जे अपना सभक प्रभु यीशु मसीह कोना सामर्थ्‍य सँ फेर आबऽ वला छथि, तँ हम सभ चलाकी सँ गढ़ल कथा-पिहानी सभक सहारा नहि लेलहुँ, बल्‍कि हम सभ हुनकर महानता केँ अपना आँखि सँ देखने छलहुँ।
16 Nós não estávamos contando coisas inventadas quando anunciamos a vocês a vinda poderosa do nosso Senhor Jesus Cristo, pois com os nossos próprios olhos nós vimos a sua grandeza.
17 कारण, ओ परमेश्‍वर पिता सँ सम्‍मान आ महिमा पौलनि जखन परमेश्‍वरक दिस सँ ई आवाज सुनाइ देलकनि जे, “ई हमर प्रिय पुत्र छथि, हिनका सँ हम अति प्रसन्‍न छी।”
17 Nós estávamos lá quando Deus, o Pai, lhe deu honra e glória . Ele ouviu a voz da Suprema Glória dizer: “Este é o meu Filho querido, que me dá muita alegria!”
18 हम सभ जखन पवित्र पहाड़ पर हुनका संग छलहुँ, तँ हम सभ स्‍वयं स्‍वर्ग सँ आयल एहि आवाज केँ सुनलहुँ।
18 Nós mesmos ouvimos essa voz que veio do céu quando estávamos com o Senhor Jesus no monte sagrado.
19 एहि घटना द्वारा अपना सभ लग जे परमेश्‍वरक प्रवक्‍ता सभक भविष्‍यवाणी सभ अछि, से सभ आरो विश्‍वसनीय प्रमाणित भेल अछि। हुनका सभक वचन एक प्रकाश जकाँ अछि जे अन्‍हार स्‍थान मे चमकि रहल अछि, और ई नीक होयत जे एहि वचन पर अहाँ सभ ताबत धरि ध्‍यान देने रहब जाबत धरि फरीछ नहि होयत आ अहाँ सभक हृदय मे भोरुकवा तारा नहि उगत।
19 Assim temos mais confiança ainda na mensagem anunciada pelos profetas . Vocês fazem bem em prestar atenção nessa mensagem. Pois ela é como uma luz que brilha em lugar escuro, até que o dia amanheça e a luz da estrela da manhã brilhe no coração de vocês.
20 मुदा सभ सँ पहिने अहाँ सभ ई जानि लिअ जे धर्मशास्‍त्रक कोनो भविष्‍यवाणी व्‍यक्‍तिगत विचारधाराक विषय नहि अछि,
20 Acima de tudo, porém, lembrem disto: ninguém pode explicar, por si mesmo, uma profecia das Escrituras Sagradas .
21 किएक तँ धर्मशास्‍त्रक कोनो भविष्‍यवाणी मनुष्‍यक इच्‍छा सँ कहियो नहि भेल, बल्‍कि मनुष्‍य परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍मा द्वारा संचालित भऽ कऽ परमेश्‍वरक दिस सँ बजैत छलाह।
21 Pois nenhuma mensagem profética veio da vontade humana, mas as pessoas eram guiadas pelo Espírito Santo quando anunciavam a mensagem que vinha de Deus.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Pedro 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.