2 Coríntios 9

jivən səndesh (MAI) vs BKJ

Sair da comparação
1 ई आवश्‍यक नहि अछि जे प्रभुक लोक सभक लेल जमा होमऽ वला एहि दानक विषय मे हम अहाँ सभ केँ एहि तरहेँ लिखी।
1 No tocante à ministração aos santos, é supérfluo para mim escrever-vos;
2 किएक तँ हम जनैत छी जे अहाँ सभ सहायता करबाक लेल तत्‍पर छी। हम मकिदुनिया प्रदेशक विश्‍वासी सभ लग एहि विषय मे अहाँ सभ पर गर्व करैत कहने छी जे अखाया प्रदेशक विश्‍वासी सभ एक साल सँ दान देबाक लेल तैयार छथि। अहाँ सभक तत्‍परता सँ हुनका सभ मे सँ बहुतो केँ जोस भेटल छनि।
2 porque eu conheço a presteza de vossa mente, da qual me glorio de vós para com os da Macedônia; que a Acaia estava pronta há um ano; e o vosso zelo tem estimulado a muitos.
3 मुदा हम एहि भाय सभ केँ अहाँ सभ लग एहि लेल पठा रहल छी जे हम एहि विषय मे अहाँ सभक जे बड़ाइ कयलहुँ से निरर्थक नहि ठहरय आ जाहि सँ जहिना हम कहैत आयल छी तहिना अहाँ सभ तैयार पाओल जाइ।
3 Mas eu enviei os irmãos, para que a nossa glória em vós, não seja vã nesta parte; para que, como eu disse, possais estar prontos,
4 नहि तँ कतौ एना नहि होअय जे जँ किछु मकिदुनियाक विश्‍वासी हमरा संग अबथि आ अहाँ सभ केँ तैयार नहि पबथि तँ एहि भरोसा लेल जे अहाँ सभ पर कयने छी, हमरा सभ केँ लज्‍जित होमऽ पड़य आ हमरो सभ सँ बेसी अहीं सभ केँ होमऽ पड़य।
4 para que não aconteça que, se os macedônios vierem comigo, e vos acharem despreparados, nós (para não dizermos vós), não fôssemos envergonhados nesta mesma glória confiante.
5 तेँ हमरा ई आवश्‍यक बुझायल जे हम एहि भाय सभ सँ अनुरोध करी जे ओ सभ हमरा सँ पहिने अहाँ सभक ओतऽ पहुँचथि आ एहन प्रबन्‍ध करथि जे अहाँ सभ जे दान देबाक लेल पहिने सँ वचन देने छी से तैयार रहय। मुदा ई दान जोर-जबरदस्‍ती सँ नहि, बल्‍कि स्‍वेच्‍छा सँ देल जाय।
5 Portanto, julguei necessário exortar os irmãos, para que eles fossem ter convosco, e preparassem de antemão a vossa liberalidade, da qual fostes informados antes, para que esteja pronta como uma questão de generosidade e não de avareza.
6 मुदा एहि बातक ध्‍यान राखू जे, जे कम बीया बाउग करत से कम काटत आ जे प्रशस्‍त बाउग करत से बेसी काटत।
6 Mas digo isto: O que semeia com moderação, também colherá com moderação; e o que semeia em abundância, em abundância também ceifará.
7 प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति, जतबा ओ अपना मोन मे निश्‍चय कयने होअय ततबा देअय, दुखी भऽ कऽ वा जोर-जबरदस्‍तीक कारणेँ नहि, किएक तँ प्रसन्‍नतापूर्बक देबऽ वला सँ परमेश्‍वर प्रेम करैत छथिन।
7 Cada homem dê conforme propôs no seu coração, não com má vontade ou por necessidade; porque Deus ama um alegre doador.
8 परमेश्‍वर अपना कृपा सँ अहाँ सभ केँ प्रशस्‍त मात्रा मे सभ प्रकारक आशिष देबऽ मे समर्थ छथि जाहि सँ अहाँ सभ केँ जे किछु आवश्‍यक होअय, से सदिखन अहाँ सभ लग रहय, आ प्रत्‍येक भलाइक काजक लेल सेहो अहाँ सभ लग बहुत किछु बचि जाय।
8 E Deus é capaz de fazer toda a graça abundar em vós, para que vós, tendo sempre toda a suficiência em todas as coisas, abundeis em todo bom trabalho;
9 धर्मशास्‍त्र मे एहन व्‍यक्‍तिक बारे मे लिखल अछि जे,
9 (conforme está escrito: Ele espalhou, deu aos pobres; a sua justiça permanece para sempre.
10 जे बाउग करऽ वला केँ बीया, आ भोजन करऽ वला केँ रोटी दैत छथिन सैह अहाँ सभक बीयाक भण्‍डार बढ़ौताह आ अहाँ सभक परोपकार रूपी फसिलक वृद्धि करताह।
10 Ora, aquele que ministra a semente ao que semeia, também ministre o pão para o alimento, e multiplique a vossa sementeira, e aumente os frutos da vossa justiça);
11 अहाँ सभ प्रत्‍येक बात मे सम्‍पन्‍न बनाओल जायब जाहि सँ अहाँ सभ हमेशा बिनु कंजूसी कऽ खुशी-खुशी सँ दोसर केँ दऽ सकब। तखन हमरा सभक माध्‍यम सँ पठाओल अहाँ सभक दानक कारणेँ बहुत लोक परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देतनि।
11 sendo enriquecidos em todas as coisas para toda a generosidade, a qual faz através de nós ação de graças a Deus.
12 किएक तँ अहाँ सभक एहि दान वला सेवा-काजक द्वारा मात्र प्रभुक लोक सभक आवश्‍यकते सभ पूरा नहि होइत अछि, बल्‍कि ई बहुते लोकक मोन मे परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देबाक कारण सेहो बनैत अछि।
12 Porque a administração deste serviço, não só supre as necessidades dos santos, mas é abundante também em muitas ações de graças a Deus;
13 अहाँ सभक एहि सेवा सँ प्रमाण लऽ कऽ लोक परमेश्‍वरक स्‍तुति करतनि जे अहाँ सभ मसीहक सुसमाचार पर विश्‍वास करबाक गवाही देबाक संग-संग तकरा अनुसार चलितो छी आ अपन सम्‍पत्ति मे सँ ओकरा सभ केँ और सभ केँ खुशी सँ दैत छी।
13 pois, pela experiência desta ministração, eles glorificam a Deus pela vossa submissão ao evangelho de Cristo, e pela vossa distribuição liberal para com eles e para com todos os homens;
14 ओ सभ अहाँ सभ केँ परमेश्‍वर सँ प्राप्‍त कयल अपार कृपा केँ देखि हृदय खोलि कऽ अहाँ सभक लेल प्रार्थना करताह।
14 e pela sua oração por vós, ansiando por vós, por causa da superior graça de Deus em vós.
15 परमेश्‍वरक ओहि दानक लेल जे वर्णन सँ बाहर अछि हुनका धन्‍यवाद होनि!
15 Graças a Deus por seu dom inefável.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Coríntios 9, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.