2 Coríntios 5

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 कारण, अपना सभ जनैत छी जे जँ अपना सभक ई देहरूपी तम्‍बू, पृथ्‍वी पर अपना सभक ई डेरा, नष्‍ट होयत तँ परमेश्‍वरक दिस सँ अपना सभ केँ स्‍वर्ग मे एक देहरूपी भवन अछि—अनन्‍त काल तक रहऽ वला एक एहन “घर” जे मनुष्‍यक बनाओल नहि अछि।
1 Sabemos, com efeito, que ao se desfazer a tenda que habitamos neste mundo, recebemos uma casa preparada por Deus e não por mãos humanas, uma habitação eterna no céu.
2 ताबत अपना सभ एहि “तम्‍बू” मे कुहरैत अपन स्‍वर्गिक “भवन” केँ वस्‍त्र जकाँ धारण करबाक लेल लालाइत छी,
2 E por isto suspiramos e anelamos ser sobrevestidos da nossa habitação celeste,
3 किएक तँ ओहि “वस्‍त्र” केँ धारण कयला पर अपना सभ नाङट नहि पाओल जायब।
3 contanto que sejamos achados vestidos e não despidos.
4 वास्‍तव मे जाबत धरि अपना सभ एहि “तम्‍बू” मे छी, अर्थात्‌, एहि भौतिक शरीर मे, तँ बोझ सँ दबायल कुहरैत छी। कारण, अपना सभ एहि तम्‍बू केँ उतारऽ चाहैत छी, से बात नहि अछि, मुदा ओहि स्‍वर्गिक शरीर केँ उपर सँ धारण करऽ चाहैत छी जाहि सँ एहि मरणशील शरीरक स्‍थान पर अनन्‍त काल तक जीवित रहऽ वला प्राप्‍त करी।
4 Pois, enquanto permanecemos nesta tenda, gememos oprimidos: desejamos ser não despojados, mas revestidos com uma veste nova por cima da outra, de modo que o que há de mortal em nós seja absorvido pela vida.
5 जे अपना सभक रचना एही अभिप्राय सँ कयलनि से परमेश्‍वरे छथि आ ओ बेनाक रूप मे अपना सभ मे अपन पवित्र आत्‍मा वास करौने छथि।
5 Aquele que nos formou para este destino é Deus mesmo, que nos deu por penhor o seu Espírito.
6 एहि लेल हम सभ सदत साहस रखैत छी। हम सभ ई बुझैत छी जे जाबत धरि ई देह हमरा सभक घर अछि ताबत धरि हम सभ प्रभुक लग वला “घर पर” नहि छी।
6 Por isso, estamos sempre cheios de confiança. Sabemos que todo o tempo que passamos no corpo é um exílio longe do Senhor.
7 हम सभ तँ आँखि सँ देखल बातक आधार पर नहि, बल्‍कि विश्‍वास पर चलैत छी।
7 Andamos na fé e não na visão.
8 हँ, हम सभ साहस रखैत छी आ एहि देह सँ अलग भऽ कऽ प्रभुक लग वला “घर पर” रहनाइ केँ सभ सँ उत्तम मानैत छी।
8 Estamos, repito, cheios de confiança, preferindo ausentar-nos deste corpo para ir habitar junto do Senhor.
9 तेँ हम सभ चाहे एहि देह मे रही वा एकरा सँ अलग, हमरा सभक एकमात्र लक्ष्‍य ई अछि जे हम सभ हुनकर प्रसन्‍नताक अनुसार चलैत रही।
9 É também por isso que, vivos ou mortos, nos esforçamos por agradar-lhe.
10 किएक तँ अपना सभ गोटे केँ मसीहक न्‍यायासनक सामने उपस्‍थित होमऽ पड़त जाहि सँ प्रत्‍येक व्‍यक्‍ति केँ अपना देहधारी जीवन मे कयल नीक अथवा अधलाह काज सभक प्रतिफल भेटैक।
10 Porque teremos de comparecer diante do tribunal de Cristo. Ali cada um receberá o que mereceu, conforme o bem ou o mal que tiver feito enquanto estava no corpo.
11 हम सभ प्रभुक भय मानैत छी, तेँ लोक सभ केँ समझबैत-बुझबैत रहैत छी। हम सभ की छी से परमेश्‍वर स्‍पष्‍ट रूप सँ जनैत छथि आ हमरा आशा अछि जे अहाँ सभक मोन मे सेहो स्‍पष्‍ट अछि।
11 Compenetrados do temor do Senhor, procuramos persuadir os homens. Estamos a descoberto aos olhos de Deus, e espero que o estejamos também ante as vossas consciências.
12 हम सभ फेर अहाँ सभक सामने अपन प्रशंसा नहि कऽ रहल छी, बल्‍कि अहाँ सभ केँ हमरा सभ पर गर्व करबाक मौका दऽ रहल छी जाहि सँ अहाँ सभ ओहन लोक केँ उत्तर दऽ सकिऐक जे सभ हृदयक भावना पर नहि, बल्‍कि बाहरी बात सभ पर गर्व करैत अछि।
12 Não estamos a gabar-nos ante os vossos olhos, mas damo-vos ocasião de vos gloriardes por nossa causa. Tereis assim o que responder àqueles que se prevalecem das aparências e não do que há no coração.
13 की हम सभ “पागल” छी? जँ छीहो तँ ई परमेश्‍वरक लेल अछि। जँ हमरा सभक होश ठीक अछि तँ ई अहाँ सभक कल्‍याणक लेल अछि।
13 De fato, se ficamos arrebatados fora dos sentidos, é por Deus; e se raciocinamos sobriamente, é por vós.
14 मसीहक प्रेम हमरा सभ केँ बाध्‍य करैत अछि, किएक तँ हम सभ बुझि गेल छी जे जखन एक गोटे सभक लेल मरलाह तँ सभ केओ मरि गेल।
14 O amor de Cristo nos constrange, considerando que, se um só morreu por todos, logo todos morreram.
15 मसीह सभक लेल मरलाह जाहि सँ जे सभ जीवित अछि से सभ आब अपना लेल नहि, बल्‍कि तिनका लेल जीवन बिताबय जे ओकरा सभक लेल मरलाह आ जिआओल गेलाह।
15 Sim, ele morreu por todos, a fim de que os que vivem já não vivam para si, mas para aquele que por eles morreu e ressurgiu.
16 एहि लेल आब हम सभ कोनो मनुष्‍य केँ सांसारिक दृष्‍टि सँ नहि देखैत छी। पहिने हम सभ मसीहो केँ सांसारिक दृष्‍टि सँ देखैत छलहुँ मुदा आब हम सभ हुनका तेना नहि देखैत छी।
16 Por isso, nós daqui em diante a ninguém conhecemos de um modo humano. Muito embora tenhamos considerado Cristo dessa maneira, agora já não o julgamos assim.
17 एकर अर्थ अछि जे जँ केओ मसीह मे अछि तँ ओ एक नव सृष्‍टि अछि। पुरान बात सभ समाप्‍त भऽ गेल, आब सभ किछु नव बनि गेल अछि।
17 Todo aquele que está em Cristo é uma nova criatura. Passou o que era velho; eis que tudo se fez novo!
18 ई सभ परमेश्‍वरक दिस सँ भेल। ओ मसीह द्वारा अपना संग हमरा सभक मिलाप करौने छथि आ हमरा सभ केँ मिलाप करयबाक सेवा-काजक जिम्‍मा देने छथि।
18 Tudo isso vem de Deus, que nos reconciliou consigo, por Cristo, e nos confiou o ministério desta reconciliação.
19 एकर अर्थ ई अछि जे परमेश्‍वर मनुष्‍य सभक अपराधक लेखा नहि लऽ कऽ मसीह मे अपना संग संसारक मिलाप करा रहल छलाह, आ हमरा सभ केँ एहि मिलापक सुसमाचार सुनयबाक जिम्‍मा दऽ देने छथि।
19 Porque é Deus que, em Cristo, reconciliava consigo o mundo, não levando mais em conta os pecados dos homens, e pôs em nossos lábios a mensagem da reconciliação.
20 एहि लेल हम सभ मसीहक राजदूत छी, मानू जेना हमरा सभक द्वारा परमेश्‍वर अहाँ सभ सँ अनुरोध कऽ रहल छथि। तेँ हम सभ मसीहक दिस सँ अहाँ सभ सँ यैह अनुरोध कऽ रहल छी जे अहाँ सभ परमेश्‍वरक मेल-मिलाप केँ स्‍वीकार करू।
20 Portanto, desempenhamos o encargo de embaixadores em nome de Cristo, e é Deus mesmo que exorta por nosso intermédio. Em nome de Cristo vos rogamos: reconciliai-vos com Deus!
21 मसीह, जिनका मे कोनो पाप नहि छलनि, तिनका परमेश्‍वर हमरा सभक लेल पाप ठहरौलथिन जाहि सँ हम सभ हुनका द्वारा परमेश्‍वरक धार्मिकता ठहरी।
21 Aquele que não conheceu o pecado, Deus o fez pecado por nós, para que nele nós nos tornássemos justiça de Deus.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Coríntios 5, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.