2 Coríntios 1

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 हम पौलुस, जे परमेश्‍वरक इच्‍छा सँ मसीह यीशुक एक मसीह-दूत छी, और भाइ तिमुथियुस सेहो, ई पत्र अहाँ सभ केँ लिखि रहल छी, जे सभ कोरिन्‍थ नगर मे परमेश्‍वरक मण्‍डली छी। आ संगहि समस्‍त अखाया प्रदेशक हुनकर सभ पवित्र लोक केँ सेहो लिखि रहल छी।
1 Paulo, apóstolo de Cristo Jesus pela vontade de Deus, e o irmão Timóteo, à igreja de Deus que está em Corinto, juntamente com todos os santos de toda a Acaia:
2 अपना सभक पिता परमेश्‍वर आ प्रभु यीशु मसीह अहाँ सभ पर कृपा करथि और अहाँ सभ केँ शान्‍ति देथि।
2 A vocês, graça e paz da parte de Deus nosso Pai e do Senhor Jesus Cristo.
3 अपना सभक प्रभु यीशु मसीहक जे परमेश्‍वर आ पिता छथि, तिनकर स्‍तुति होनि, जे दया करऽ वला पिता छथि आ सभ प्रकारक सान्‍त्‍वना देबऽ वला परमेश्‍वर छथि।
3 Bendito seja o Deus e Pai de nosso Senhor Jesus Cristo, Pai das misericórdias e Deus de toda consolação,
4 ओ अपना सभ केँ सभ प्रकारक दुःख-तकलीफ मे सान्‍त्‍वना दैत छथि जाहि सँ अपनो सभ परमेश्‍वर सँ प्राप्‍त एहि सान्‍त्‍वना द्वारा सभ प्रकारक दुःख मे पड़ल लोक सभ केँ सान्‍त्‍वना दऽ सकिऐक।
4 que nos consola em todas as nossas tribulações, para que, com a consolação que recebemos de Deus, possamos consolar os que estão passando por tribulações.
5 किएक तँ जाहि तरहेँ मसीहक कष्‍ट प्रशस्‍त मात्रा मे अपना सभक जीवन मे अबैत रहैत अछि ताहि तरहेँ मसीह द्वारा सान्‍त्‍वना सेहो प्रशस्‍त मात्रा मे अबैत रहैत अछि।
5 Pois assim como os sofrimentos de Cristo transbordam sobre nós, também por meio de Cristo transborda a nossa consolação.
6 जँ हमरा सभ केँ दुःख-कष्‍ट भोगऽ पड़ैत अछि तँ ई अहाँ सभक सान्‍त्‍वना आ उद्धारक लेल अछि। कारण, जखन हम सभ सान्‍त्‍वना पबैत छी तँ से एहि लेल जे हम सभ अहूँ सभ केँ सान्‍त्‍वना दऽ सकी, जाहि सँ अहाँ सभ धैर्यपूर्बक ओहि सभ कष्‍ट केँ सहबाक लेल साहस करी जकरा हमहूँ सभ सहैत छी।
6 Se somos atribulados, é para consolação e salvação de vocês; se somos consolados, é para consolação de vocês, a qual lhes dá paciência para suportarem os mesmos sofrimentos que nós estamos padecendo.
7 अहाँ सभक विषय मे हमरा सभ केँ पूरा विश्‍वास अछि जे अहाँ सभ स्‍थिर रहब, किएक तँ हम सभ ई जनैत छी जे जहिना अहाँ सभ कष्‍ट मे सहभागी छी तहिना सान्‍त्‍वना मे सेहो सहभागी छी।
7 E a nossa esperança em relação a vocês está firme, porque sabemos que, da mesma forma como vocês participam dos nossos sofrimentos, participam também da nossa consolação.
8 यौ भाइ लोकनि, हम सभ अहाँ सभ सँ ई नहि नुकाबऽ चाहैत छी जे आसिया प्रदेश मे हमरा सभ केँ केहन-केहन कष्‍ट उठाबऽ पड़ल। एहि कष्‍टक भार एतेक भारी छल जे ओ हमरा सभक सहनशक्‍तिक सीमा सँ बाहर छल, एतऽ तक जे हमरा सभ केँ जीवित बचबाक कोनो आशा नहि रहि गेल छल।
8 Irmãos, não queremos que vocês desconheçam as tribulações que sofremos na província da Ásia, as quais foram muito além da nossa capacidade de suportar, a ponto de perdermos a esperança da própria vida.
9 वास्‍तव मे हमरा सभ केँ एना बुझाइत छल जे आब हमरा सभक मृत्‍यु निश्‍चित अछि। ई सभ एहि लेल भेल जे हम सभ अपना पर नहि, बल्‍कि परमेश्‍वर पर भरोसा राखी, जे मरल सभ केँ जीवित कऽ दैत छथि।
9 De fato, já tínhamos sobre nós a sentença de morte, para que não confiássemos em nós mesmos, mas em Deus, que ressuscita os mortos.
10 ओ हमरा सभ केँ एहन मृत्‍युक संकट सँ बचौलनि आ एखनो बँचौताह। हुनका पर हम सभ आशा लगौने छी जे ओ हमरा सभ केँ आबऽ वला समय मे सेहो बचबैत रहताह।
10 Ele nos livrou e continuará nos livrando de tal perigo de morte. Nele temos colocado a nossa esperança de que continuará a livrar-nos,
11 एहि बात मे अहूँ सभ प्रार्थना द्वारा हमरा सभक सहायता करैत छी। एहि तरहेँ अनेक लोकक प्रार्थनाक उत्तर मे जे आशिष हमरा सभ केँ भेटत तकरा लेल बहुत लोक हमरा सभक कारणेँ परमेश्‍वर केँ धन्‍यवाद देतनि।
11 enquanto vocês nos ajudam com as suas orações. Assim muitos darão graças por nossa causa, pelo favor a nós concedido em resposta às orações de muitos.
12 हमरा सभ केँ एकटा गर्वक बात अछि—हमरा सभक मोन एहि बातक गवाही दैत अछि जे संसार मे हमरा सभक आचरण, आ विशेष रूप सँ अहाँ सभक संग जे व्‍यवहार कयने छी, से ओहि पवित्रताक संग आ शुद्ध मोन सँ छल जे परमेश्‍वर सँ भेटैत अछि। हमरा सभक भरोसा सांसारिक बुद्धि पर नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक कृपा पर छल।
12 Este é o nosso orgulho: A nossa consciência dá testemunho de que nos temos conduzido no mundo, especialmente em nosso relacionamento com vocês, com santidade e sinceridade provenientes de Deus, não de acordo com a sabedoria do mundo, mas de acordo com a graça de Deus.
13 हम सभ तँ अहाँ सभ केँ कोनो एहन बात नहि लिखैत छी जकरा पढ़ला सँ अर्थ नहि बुझल जा सकैत अछि। हमरा आशा अछि जे अहाँ सभ जहिना एखन आंशिक रूप मे हमरा सभ केँ जनैत छी,
13 Pois nada lhes escrevemos que vocês não sejam capazes de ler ou entender. E espero que,
14 तहिना पूर्ण रूप सँ ई बात जानी जे जाहि तरहेँ हम सभ प्रभु यीशुक अयबाक दिन मे अहाँ सभ पर गर्व करब ताहि तरहेँ अहाँ सभ हमरो सभ पर गर्व कऽ सकब।
14 assim como vocês nos entenderam em parte, venham a entender plenamente que podem orgulhar-se de nós, assim como nos orgulharemos de vocês no dia do Senhor Jesus.
15 हमरा एहि बातक पूरा विश्‍वास अछि। एहि लेल हम अहाँ सभ केँ दू बेर आशिष पयबाक अवसर देबाक विचार कऽ कऽ पहिने अहीं सभ लग अयबाक निश्‍चय कयने छलहुँ।
15 Confiando nisso, e para que vocês fossem duplamente beneficiados, planejava primeiro visitá-los
16 हम अहाँ सभक ओतऽ होइत मकिदुनिया प्रदेश जाइ आ फेर मकिदुनिया सँ लौटैत काल अहाँ सभक ओतऽ आबी, से चाहैत छलहुँ, जाहि सँ अहाँ सभ हमरा लेल यहूदिया प्रदेशक यात्राक लेल प्रबन्‍ध कऽ सकी।
16 em minha ida à Macedônia e voltar a vocês vindo de lá, para que me ajudassem em minha viagem para a Judéia.
17 हमर निश्‍चय जँ यैह छल, तँ की हम बिनु कारणेँ अपन विचार बदलि लेलहुँ? की हम सांसारिक लोक सभ जकाँ बात नियारैत छी जे एके समय मे “हँ, हँ” सेहो आ “नहि, नहि” सेहो कही?
17 Quando planejei isso, será que o fiz levianamente? Ou será que faço meus planos de modo mundano, dizendo ao mesmo tempo "sim" e "não"?
18 जाहि तरहेँ परमेश्‍वर विश्‍वसनीय छथि ताहि तरहेँ अहाँ सभक प्रति हमर वचन मे कखनो “हँ” आ कखनो “नहि” वला बात नहि अछि।
18 Todavia, como Deus é fiel, nossa mensagem a vocês não é "sim" e "não",
19 किएक तँ परमेश्‍वरक पुत्र यीशु मसीह, जिनकर प्रचार अहाँ सभक बीच हम सभ, अर्थात् सिलास, तिमुथियुस आ हम, कयलहुँ, तिनका मे कखनो “हँ” कखनो “नहि” वला बात नहि अछि, बल्‍कि हुनका मे सदा सँ “हँ” “हँ”ए रहल अछि।
19 pois o Filho de Deus, Jesus Cristo, pregado entre vocês por mim e também por Silvano e Timóteo, não foi "sim" e "não", mas nele sempre houve "sim";
20 परमेश्‍वर जतेक बात सभ करबाक लेल वचन देने छथि, से सभ बात मसीह मे पूरा होइत अछि, तेँ अपना सभ हुनका द्वारा परमेश्‍वरक बड़ाइ मे “आमीन, हँ, एहिना होअय” कहैत छी।
20 pois quantas forem as promessas feitas por Deus, tantas têm em Cristo o "sim". Por isso, por meio dele, o "Amém" é pronunciado por nós para a glória de Deus.
21 परमेश्‍वरे हमरो सभ केँ आ अहूँ सभ केँ मसीह मे स्‍थिर रखैत छथि। ओ अपना सभक अभिषेक कयने छथि,
21 Ora, é Deus que faz que nós e vocês permaneçamos firmes em Cristo. Ele nos ungiu,
22 अपना सभ पर अपन छाप लगौने छथि, बेनाक रूप मे अपन पवित्र आत्‍मा केँ अपना सभक हृदय मे वास करौने छथि।
22 nos selou como sua propriedade e pôs o seu Espírito em nossos corações como garantia do que está por vir.
23 हम परमेश्‍वर केँ साक्षी मानि कऽ कहैत छी जे हम एहि लेल दोहरा कऽ कोरिन्‍थ नगर नहि अयलहुँ जे अहाँ सभ केँ दुःख नहि पहुँचाबी।
23 Invoco a Deus como testemunha de que foi a fim de poupá-los que não voltei a Corinto.
24 हम सभ अहाँ सभक विश्‍वास पर अधिकार नहि जमाबऽ चाहैत छी, बल्‍कि अहाँ सभक आनन्‍दक लेल अहाँ सभक संगे-संग काज करऽ वला छी। अहाँ सभ तँ अपना विश्‍वास मे स्‍थिर छी।
24 Não que tenhamos domínio sobre a sua fé, mas cooperamos com vocês para que tenham alegria, pois é pela fé que vocês permanecem firmes.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Coríntios 1, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.