2 Coríntios 10

jivən səndesh (MAI) vs ACF

Sair da comparação
ACF Almeida Corrigida Fiel
1 हम पौलुस, जे किछु लोकक कथनक अनुसार अहाँ सभक सामने मे कायर छी मुदा अहाँ सभ सँ दूर रहला पर साहस देखबैत छी, से मसीहक नम्रता आ कोमलताक नाम पर अहाँ सभ सँ आग्रह करैत छी—
1 Além disto, eu, Paulo, vos rogo, pela mansidão e benignidade de Cristo, eu que, na verdade, quando presente entre vós, sou humilde, mas ausente, ousado para convosco;
2 अहाँ सभ सँ ई विनती करैत छी जे जखन हम अहाँ सभ लग आबी तँ हमरा तेहन साहस नहि देखाबऽ पड़य जेहन हम तकरा सभक प्रति देखयबाक निश्‍चय कऽ लेने छी जे सभ हमरा सभक सम्‍बन्‍ध मे कहैत अछि जे, “ओ सभ सांसारिक विचारक अनुसार चलैत अछि।”
2 Rogo-vos, pois, que, quando estiver presente, não me veja obrigado a usar com confiança da ousadia que espero ter com alguns, que nos julgam, como se andássemos segundo a carne.
3 कारण, हम सभ संसार मे रहैत छी अवश्‍य, मुदा सांसारिक तरीका सँ युद्ध नहि लड़ैत छी।
3 Porque, andando na carne, não militamos segundo a carne.
4 किएक तँ हमरा सभक युद्धक हथियार सांसारिक नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक शक्‍तिशाली हथियार अछि जाहि द्वारा शक्‍ति-केन्‍द्र सभ केँ ध्‍वस्‍त कयल जाइत अछि।
4 Porque as armas da nossa milícia não são carnais, mas sim poderosas em Deus para destruição das fortalezas;
5 हम सभ परमेश्‍वर सम्‍बन्‍धी सत्‍य ज्ञानक विरोध मे ठाढ़ होमऽ वला कल्‍पना सभ और प्रत्‍येक कुतर्क केँ नष्‍ट करैत छी आ प्रत्‍येक विचार केँ बन्‍दी बना कऽ मसीहक अधीनता मे लबैत छी।
5 Destruindo os conselhos, e toda a altivez que se levanta contra o conhecimento de Deus, e levando cativo todo o entendimento à obediência de Cristo;
6 अहाँ सभ जखन पूर्ण रूप सँ आज्ञाकारी होयब तखन हम सभ आज्ञा केँ तोड़नाइ वला प्रत्‍येक काज केँ दण्‍डित करबाक लेल तैयार रहब।
6 E estando prontos para vingar toda a desobediência, quando for cumprida a vossa obediência.
7 जे बात आँखिक सामने स्‍पष्‍ट अछि तकरा अहाँ सभ देखि लिअ। जँ केओ अपना सम्‍बन्‍ध मे निश्‍चिन्‍त अछि जे ओ मसीहक अछि तँ ओ एहि पर सेहो विचार करय जे जहिना ओ मसीहक अछि तहिना हमहूँ सभ मसीहक छी।
7 Olhais para as coisas segundo a aparência? Se alguém confia de si mesmo que é de Cristo, pense outra vez isto consigo, que, assim como ele é de Cristo, também nós de Cristo somos.
8 जँ हम प्रभु सँ भेटल अधिकार पर विशेष गर्व करबो करी, तँ हमरा एहि बात सँ कोनो लाज नहि होयत; ई अधिकार अहाँ सभक नोकसानक लेल नहि, बल्‍कि अहाँ सभक आत्‍मिक निर्माणक लेल अछि।
8 Porque, ainda que eu me glorie mais alguma coisa do nosso poder, o qual o Senhor nos deu para edificação, e não para vossa destruição, não me envergonharei.
9 अहाँ सभ ई नहि बुझू जे हम अपन पत्र सभक द्वारा अहाँ सभ केँ डेराबऽ चाहैत छी।
9 Para que não pareça como se quisera intimidar-vos por cartas.
10 किएक तँ किछु लोक सभक कथन अछि जे, “ओकर पत्र सभ गम्‍भीर आ प्रभावशाली तँ होइत अछि, मुदा जखन ओ स्‍वयं उपस्‍थित होइत अछि तँ ओ कमजोर लगैत अछि आ ओकर बजबाक तरीका सँ कोनो प्रभाव नहि पड़ैत अछि।”
10 Porque as suas cartas, dizem, são graves e fortes, mas a presença do corpo é fraca, e a palavra desprezível.
11 एहन लोक सभ ई बुझओ जे हम सभ अपन अनुपस्‍थिति मे पत्र सभक माध्‍यम सँ जे कहैत छी, उपस्‍थित भेला पर सैह करबो करब।
11 Pense o tal isto, que, quais somos na palavra por cartas, estando ausentes, tais seremos também por obra, estando presentes.
12 जे लोक सभ अपन प्रशंसा करैत अछि, हम सभ अपना केँ तकरा सभ जकाँ मानबाक आ तकरा सभ सँ अपन तुलना करबाक साहस नहि करैत छी। ओ सभ अपने नाप सँ अपना केँ नपैत अछि आ अपने सँ अपना केँ तुलना करैत अछि। केहन मूर्खता वला बात!
12 Porque não ousamos classificar-nos, ou comparar-nos com alguns, que se louvam a si mesmos; mas estes que se medem a si mesmos, e se comparam consigo mesmos, estão sem entendimento.
13 मुदा हम सभ जे छी, से उचित सीमा केँ नाँघि कऽ गर्व नहि करब। परमेश्‍वर हमरा सभक लेल जे क्षेत्र निर्धारित कयने छथि से अहूँ सभ तक पहुँचैत अछि आ हम सभ तकरा भीतर मे रहि कऽ गर्व करब।
13 Porém, não nos gloriaremos fora da medida, mas conforme a reta medida que Deus nos deu, para chegarmos até vós;
14 हम सभ अपन क्षेत्रक सीमाक उल्‍लंघन नहि करैत छी। जँ अहाँ सभ लग नहि पहुँचल रहितहुँ तँ हमरा सभ सँ सैह होइत, मुदा हम सभ मसीहक शुभ समाचार प्रचार करैत अहाँ सभ लग पहुँचल छी।
14 Porque não nos estendemos além do que convém, como se não houvéssemos de chegar até vós, pois já chegamos também até vós no evangelho de Cristo,
15 हम सभ अपन सीमाक उल्‍लंघन करैत दोसराक परिश्रम पर गर्व सेहो नहि करैत छी, बल्‍कि हमरा सभक आशा अछि जे जहिना-जहिना अहाँ सभक विश्‍वास बढ़ैत जायत, तहिना-तहिना हमरा सभक कार्यक्षेत्र सेहो अहाँ सभक सहायता सँ विस्‍तृत होइत जायत,
15 Não nos gloriando fora da medida nos trabalhos alheios; antes tendo esperança de que, crescendo a vossa fé, seremos abundantemente engrandecidos entre vós, conforme a nossa regra,
16 जाहि सँ हम सभ अहाँ सभ सँ आगाँक इलाका मे सुसमाचारक प्रचार कऽ सकी आ अनकर क्षेत्रक सीमाक भीतर भेल काज पर गर्व नहि करी।
16 Para anunciar o evangelho nos lugares que estão além de vós e não em campo de outrem, para não nos gloriarmos no que estava já preparado.
17 बल्‍कि जेना कि धर्मशास्‍त्र मे लिखल अछि जे, “जे केओ घमण्‍ड करय से प्रभु पर घमण्‍ड करय।”
17 Aquele, porém, que se gloria, glorie-se no Senhor.
18 किएक तँ जे अपन प्रशंसा स्‍वयं करैत अछि से नहि, बल्‍कि जकर प्रशंसा प्रभु करैत छथिन, वैह योग्‍य ठहराओल जाइत अछि।
18 Porque não é aprovado quem a si mesmo se louva, mas, sim, aquele a quem o Senhor louva.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 2 Coríntios 10, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.