1 Tessalonicenses 3

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 तेँ अन्‍त मे जखन हमरा सभ केँ आरो नहि रहल गेल तँ ई नीक बुझायल जे हम सभ अपने एथेन्‍स नगर मे रही,
1 Por isso, quando não pudemos mais suportar, achamos por bem permanecer sozinhos em Atenas
2 और अहाँ सभ लग तिमुथियुस केँ पठाबी। ओ हमरा सभक भाय और मसीहक शुभ समाचार सुनाबऽ मे परमेश्‍वरक संग-संग काज कयनिहार छथि। हुनका एहि लेल पठौलहुँ जे ओ अहाँ सभ केँ विश्‍वास मे मजगूत करथि और अहाँ सभक हिम्‍मत बढ़बथि,
2 e, assim, enviamos Timóteo, nosso irmão e cooperador de Deus no evangelho de Cristo, para fortalecê-los e dar-lhes ânimo na fé,
3 जाहि सँ अहाँ सभ मे सँ केओ एहि अत्‍याचार सभक कारणेँ जे अहाँ सभ सहि रहल छी डगमगाय नहि लागी। अहाँ सभ तँ जनिते छी जे एहन कष्‍ट अपना सभक जीवन मे अयबेटा करत।
3 para que ninguém seja abalado por essas tribulações. Vocês sabem muito bem que fomos designados para isso.
4 हम सभ अहाँ सभक ओतऽ जखन छलहुँ तँ अहाँ सभ केँ कहबो कयलहुँ जे अपना सभ केँ अत्‍याचारक सामना अवश्‍य करऽ पड़त, आ जेना अहाँ सभ जनिते छी, से बात भेबो कयल।
4 Quando estávamos com vocês, já lhes dizíamos que seríamos perseguidos, o que realmente aconteceu, como vocês sabem.
5 तेँ जखन हमरा आरो नहि रहल गेल तँ हम अहाँ सभक विश्‍वासक हाल-समाचार बुझबाक लेल तिमुथियुस केँ अहाँ सभ लग पठौलहुँ। हमरा डर छल जे कतौ एना तँ नहि भेल जे धोखा देबऽ वला शैतान अहाँ सभ केँ लोभ देखौने होअय आ हमरा सभक मेहनत बेकार भऽ गेल होअय।
5 Por essa razão, não suportando mais, enviei Timóteo para saber a respeito da fé que vocês têm, a fim de que o tentador não os seduzisse, tornando inútil o nosso esforço.
6 मुदा तिमुथियुस एखने अहाँ सभक ओहिठाम सँ आबि गेलाह और अहाँ सभक विश्‍वास आ प्रेमक नीक समाचार सुनौलनि। ओ कहलनि जे अहाँ सभ हमरा सभ केँ सदिखन प्रेम सँ याद करैत छी आ हमरा सभ केँ फेर देखबाक लेल ओतेक उत्‍सुक छी जतेक हम सभ अहाँ सभ केँ देखबाक लेल।
6 Agora, porém, Timóteo acaba de chegar da parte de vocês, dando-nos boas notícias a respeito da fé e do amor que vocês têm. Ele nos falou que vocês sempre guardam boas recordações de nós, desejando ver-nos, assim como nós queremos vê-los.
7 यौ भाइ लोकनि, अहाँ सभक विश्‍वासक समाचार जानि हमरा सभ केँ अपन सभ कष्‍ट-विपत्ति मे अहाँ सभक विषय मे प्रोत्‍साहन भेटल।
7 Por isso, irmãos, em toda a nossa necessidade e tribulação temos bom ânimo a seu respeito, por sabermos da sua fé;
8 अहाँ सभ प्रभु मे स्‍थिर छी, से सुनि आब हमरा सभ मे जान आबि गेल!
8 pois agora vivemos, visto que vocês estão firmes no Senhor.
9 अहाँ सभक कारणेँ जे अपना सभक परमेश्‍वरक सम्‍मुख हमरा सभक बड़का आनन्‍द अछि, तकरा लेल हम सभ परमेश्‍वर केँ कोन शब्‍द सँ धन्‍यवाद दियनि?
9 Como podemos ser suficientemente gratos a Deus por vocês, por toda a alegria que temos diante dele por causa de vocês?
10 हम सभ दिन-राति पूरा मोन सँ हुनका सँ ई प्रार्थना करैत रहैत छी जे हम सभ अहाँ सभ केँ फेर देखि सकी और अहाँ सभक विश्‍वास मे जे कमी रहि गेल अछि, तकरा पूरा कऽ सकी।
10 Noite e dia com perseverança oramos para que possamos vê-los pessoalmente e suprir o que falta à sua fé.
11 आब अपना सभक पिता परमेश्‍वर स्‍वयं और अपना सभक प्रभु यीशु हमरा सभक लेल अहाँ सभ लग अयबाक रस्‍ता खोलथि।
11 Que o próprio Deus, nosso Pai, e nosso Senhor Jesus preparem o nosso caminho até vocês.
12 प्रभु एना करथि जे, जाहि तरहेँ हम सभ अहाँ सभ सँ प्रेम करैत छी, ताहि तरहेँ अहाँ सभक प्रेम एक-दोसराक लेल और सभ लोकक लेल बढ़ैत आ उमड़ैत रहय।
12 Que o Senhor faça crescer e transbordar o amor que vocês têm uns para com os outros e para com todos, a exemplo do nosso amor por vocês.
13 ओ अहाँ सभक मोन स्‍थिर करथि जाहि सँ अपना सभक प्रभु यीशु जहिया अपन सभ पवित्र लोकक संग औताह तहिया अहाँ सभ अपना सभक पिता परमेश्‍वरक सम्‍मुख पवित्र आ निर्दोष पाओल जाइ।
13 Que ele fortaleça os seus corações para serem irrepreensíveis em santidade diante de nosso Deus e Pai, na vinda de nosso Senhor Jesus com todos os seus santos.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Tessalonicenses 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.