1 Timóteo 4
jivən səndesh (MAI) vs NVT
1 परमेश्वरक आत्मा स्पष्ट कहैत छथि जे अन्तिम समय मे एहनो लोक सभ होयत जे सभ बहकाबऽ वला आत्मा सभ केँ आ दुष्टात्मा सभक शिक्षा सभ केँ मानि कऽ विश्वास त्यागि देत।
1 O Espírito afirma claramente que nos últimos tempos alguns se desviarão da fé, dando ouvidos a espíritos enganadores e a ensinamentos de demônios,
2 एहन शिक्षा ओहन झूठ बाजऽ वला कपटी लोक द्वारा आओत जकरा सभक विवेक धिपल लोहा सँ दगायल जकाँ सुन्न भऽ गेल छैक।
2 que vêm de indivíduos hipócritas e mentirosos, cuja consciência está morta.
3 ओ सभ विवाह और कोनो-कोनो खयबाक वस्तु सभ सँ परहेज करबाक शिक्षा दैत अछि, जखन कि परमेश्वर एहि वस्तु सभक रचना एहि लेल कयलनि जे, सत्य केँ जानऽ वला आ विश्वास करऽ वला सभ द्वारा ई वस्तु सभ धन्यवादक संग ग्रहण कयल जाय।
3 Tais pessoas afirmam que é errado se casar e proíbem que se comam certos alimentos, que Deus criou para serem recebidos com ação de graças pelos que são fiéis e conhecedores da verdade.
4 परमेश्वरक सृष्टि कयल प्रत्येक वस्तु नीक अछि। कोनो वस्तु अस्वीकार कयल जाय जोगरक नहि होइत अछि, जँ ओकरा धन्यवादक संग स्वीकार कयल जाइत छैक तँ,
4 Porque tudo que Deus fez é bom, não devemos rejeitar nada, mas a tudo receber com ação de graças,
5 कारण, ओ परमेश्वरक कहल बात द्वारा आ प्रार्थना सँ पवित्र ठहराओल जाइत अछि।
5 pois sabemos que se torna aceitável pela palavra de Deus e pela oração.
6 ई सभ बात विश्वासी भाय सभ केँ अहाँ बुझाउ। एहि तरहेँ अहाँ मसीह यीशुक असली सेवक बनल रहब—एहन सेवक जिनकर भरण-पोषण विश्वासक सिद्धान्त सभ सँ आ ओहि नीक शिक्षा सभ सँ भेल होनि, जकर अहाँ पालन करैत आबि रहल छी।
6 Se você explicar estas coisas aos irmãos, será um bom servo de Cristo Jesus, nutrido pela mensagem da fé e pelo bom ensino que tem seguido.
7 परमेश्वर केँ अपमानित करऽ वला निरर्थक काल्पनिक कथा-पिहानी सभ सँ दूर रहू। तकर बदला मे परमेश्वर केँ पसन्द पड़ऽ वला भक्तिक जीवनक साधना मे लीन रहू।
7 Não perca tempo discutindo mitos profanos e crendices absurdas. Em vez disso, exercite-se na devoção.
8 शारीरिक साधना सँ किछु लाभ तँ अछि, मुदा भक्ति सँ असीमित लाभ अछि, किएक तँ ओ जीवनक आश्वासन दैत अछि इहलोक मे सेहो और परलोक मे सेहो।
8 “O exercício físico tem algum valor, mas exercitar-se na devoção é muito melhor, pois promete benefícios não apenas nesta vida, mas também na vida futura.”
9 ई एक सत्य बात अछि, जकर विश्वास सभ केँ करबाक चाही।
9 Essa é uma afirmação digna de confiança, e todos devem aceitá-la.
10 एहि कारणेँ अपना सभ परिश्रम करैत छी आ संघर्ष मे लागल रहैत छी; किएक तँ अपना सभ अपन आशा जीवित परमेश्वर पर रखने छी, जे सम्पूर्ण मनुष्य जातिक, आ विशेष रूप सँ विश्वासी सभक उद्धारकर्ता छथि।
10 Trabalhamos arduamente e continuamos a lutar porque nossa esperança está no Deus vivo, o Salvador de todos, especialmente dos que creem.
11 अहाँ अपना उपदेश मे एही बात सभक शिक्षा और आदेश दैत रहू।
11 Ensine estas coisas e insista nelas.
12 युवा अवस्थाक कारणेँ केओ अहाँ केँ तुच्छ नहि बुझओ, बरु बात-चीत, चालि-चलन, प्रेम, विश्वास आ पवित्रता मे विश्वासी सभक लेल अहाँ नमूना बनू।
12 Não deixe que ninguém o menospreze porque você é jovem. Seja exemplo para todos os fiéis nas palavras, na conduta, no amor, na fé e na pureza.
13 जाबत धरि हम नहि आयब, ताबत धरि मण्डली केँ धर्मशास्त्र पढ़ि कऽ सुनाबऽ मे, विश्वासी सभ केँ उत्साहित करऽ मे, और शिक्षा देबऽ मे लीन रहू।
13 Até minha chegada, dedique-se à leitura pública das Escrituras, ao encorajamento e ao ensino.
14 अहाँ अपन ओहि वरदानक उपयोग करू, जे अहाँ केँ ओहि समय मे भविष्यवाणी द्वारा देल गेल जखन मण्डलीक देख-रेख कयनिहारक समुदाय अहाँ पर हाथ रखलनि।
14 Não descuide do dom que recebeu por meio de profecia quando os presbíteros impuseram as mãos sobre você.
15 एहि बात सभक ध्यान राखू आ पूर्ण रूप सँ एहि मे लागि जाउ, जाहि सँ सभ लोक अहाँक आत्मिक उन्नति देखि सकय।
15 Dedique total atenção a essas questões. Entregue-se inteiramente a suas tarefas, para que todos vejam seu progresso.
16 अहाँ एहि बात सभ मे दृढ़ बनल रहू। अहाँ जे करैत छी आ जे सिखबैत छी, दूनू पर विशेष ध्यान दिअ। एहि तरहेँ कयला सँ अहाँ अपनो लेल और अहाँक शिक्षा केँ सुननिहारो सभक लेल उद्धारक कारण होयब।
16 Fique atento a seu modo de viver e a seus ensinamentos. Permaneça fiel ao que é certo, e assim salvará a si mesmo e àqueles que o ouvem.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Timóteo 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.