1 Timóteo 2

jivən səndesh (MAI) vs NVI

Sair da comparação
NVI Nova Versão Internacional
1 हम सभ सँ पहिने ई अनुरोध करैत छी जे, विनती, प्रार्थना, निवेदन आ धन्‍यवाद सभ मनुष्‍यक लेल परमेश्‍वर लग चढ़ाओल जाय,
1 Antes de tudo, recomendo que se façam súplicas, orações, intercessões e ação de graças por todos os homens;
2 राजा लोकनि और आरो सभ अधिकारीक लेल सेहो, जाहि सँ अपना सभ भक्‍ति और मर्यादाक संग चैन आ शान्‍ति सँ जीवन व्‍यतीत कऽ सकी।
2 pelos reis e por todos os que exercem autoridade, para que tenhamos uma vida tranqüila e pacífica, com toda a piedade e dignidade.
3 एहन प्रार्थना कयनाइ अपना सभक उद्धारकर्ता-परमेश्‍वरक दृष्‍टि मे उत्तम बात अछि, और एहि सँ हुनका खुशी होइत छनि,
3 Isso é bom e agradável perante Deus, nosso Salvador,
4 कारण, हुनकर इच्‍छा ई छनि जे, सभ मनुष्‍य उद्धार पाबय आ सत्‍य केँ जानय।
4 que deseja que todos os homens sejam salvos e cheguem ao conhecimento da verdade.
5 किएक तँ परमेश्‍वर एकेटा छथि और परमेश्‍वर आ मनुष्‍यक बीच मध्‍यस्‍थ सेहो एकेटा, अर्थात् मसीह यीशु, जे स्‍वयं मनुष्‍य छथि,
5 Pois há um só Deus e um só mediador entre Deus e os homens: o homem Cristo Jesus,
6 और सभ मनुष्‍यक छुटकाराक मोल चुकयबाक लेल अपना केँ अर्पित कऽ देलनि। एहि तरहेँ मनुष्‍यक सम्‍बन्‍ध मे जे परमेश्‍वरक इच्‍छा छनि, ताहि केँ निश्‍चित कयल समय पर प्रमाणित कऽ देल गेल।
6 o qual se entregou a si mesmo como resgate por todos. Esse foi o testemunho dado em seu próprio tempo.
7 हम एही बात केँ प्रचार करबाक लेल, आ मसीह-दूत होयबाक लेल नियुक्‍त कयल गेलहुँ और गैर-यहूदी सभ केँ विश्‍वास आ सत्‍यक विषय मे सिखयबाक लेल पठाओल गेलहुँ। हम सत्‍य कहैत छी, झूठ नहि बजैत छी।
7 Para isso fui designado pregador e apóstolo mestre da verdadeira fé aos gentios. Digo-lhes a verdade, não minto.
8 एहि लेल हम चाहैत छी जे सभ ठाम पुरुष सभ, क्रोध आ विवाद मे नहि पड़ि, अपन निर्दोष हाथ ऊपर उठा कऽ प्रार्थना करथि।
8 Quero, pois, que os homens orem em todo lugar, levantando mãos santas, sem ira e sem discussões.
9 तहिना स्‍त्रीगण सभ सेहो अपन ओढ़न-पहिरन वला बात मे मर्यादा आ शालीनताक ध्‍यान राखथि। अपन श्रृंगार केशक सजावट, सोना वा मोतीक गहना और दामी-दामी वस्‍त्र सँ नहि,
9 Da mesma forma quero que as mulheres se vistam modestamente, com decência e discrição, não se adornando com tranças, nem ouro, nem pérolas, nem roupas caras,
10 बल्‍कि भलाइक काज सभ द्वारा करथि। ई बात ओहि स्‍त्रीगण सभ केँ शोभा दैत छनि जे सभ अपना केँ परमेश्‍वरक भक्‍तिनि कहैत छथि।
10 mas com boas obras, como convém a mulheres que professam adorar a Deus.
11 स्‍त्रीगण सभ मण्‍डलीक सभा मे शान्‍त रहि कऽ अधीनताक संग सिखथि।
11 A mulher deve aprender em silêncio, com toda a sujeição.
12 हम एहि बातक अनुमति नहि दैत छी जे स्‍त्रीगण सभ उपदेश देथि अथवा पुरुष पर हुकुम चलबथि; हुनका सभ केँ चुप रहबाक चाहियनि।
12 Não permito que a mulher ensine, nem que tenha autoridade sobre o homem. Esteja, porém, em silêncio.
13 कारण, पहिने आदमक सृष्‍टि भेलनि, आ बाद मे हव्‍वाक।
13 Porque primeiro foi formado Adão, e depois Eva.
14 दोसर बात, आदम नहि ठकयलाह, बल्‍कि हव्‍वा ठका कऽ पाप मे पड़ि गेलीह।
14 E Adão não foi enganado, mas sim a mulher, que, tendo sido enganada, tornou-se transgressora.
15 मुदा तैयो जँ स्‍त्रीगण सभ शालीनताक संग विश्‍वास, प्रेम आ पवित्रता मे स्‍थिर रहतीह, तँ अपन मातृत्‍वक कर्तव्‍य पूरा करैत उद्धार पौतीह।
15 Entretanto, a mulher será salva dando à luz filhos — se elas permanecerem na fé, no amor e na santidade, com bom senso.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Timóteo 2, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.