1 Pedro 4

jivən səndesh (MAI) vs VC

Sair da comparação
VC Versão Católica
1 मसीह अपना शरीर मे दुःख भोगलनि। एहि लेल अहूँ सभ शस्‍त्र जकाँ ओही मनोभावना केँ धारण करू जे हुनका मे छलनि, किएक तँ जे केओ अपना शरीर मे दुःख भोगने अछि, से पाप सँ सम्‍बन्‍ध तोड़ि लेने अछि,
1 Assim, pois, como Cristo padeceu na carne, armai-vos também vós deste mesmo pensamento: quem padeceu na carne rompeu com o pecado,
2 और एहि तरहेँ ओ आब अपन मनुष्‍य-स्‍वभावक अधलाह इच्‍छा सभक अनुसार नहि, बल्‍कि परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार अपन शेष जीवन बितबैत अछि।
2 a fim de que, no tempo que lhe resta para o corpo, já não viva segundo as paixões humanas, mas segundo a vontade de Deus.
3 अहाँ सभ बितल समय मे ओहन काज सभ जे सांसारिक लोक कयनाइ पसन्‍द करैत अछि, ताहि मे जतबा समय व्‍यतीत कयलहुँ सैह बहुत भेल—अर्थात्, निर्लज्‍जता वला विचार-व्‍यवहार कयनाइ, शारीरिक इच्‍छा सभ मे लीन रहनाइ, पिबि कऽ मातल भेनाइ, भोग-विलास आ मौज-मजा कयनाइ, आ मूर्तिपूजा वला घृणित काज कयनाइ।
3 Baste-vos que no tempo passado tenhais vivido segundo os caprichos dos pagãos, em luxúrias, concupiscências, embriaguez, orgias, bebedeiras e criminosas idolatrias.
4 विनाश मे लऽ जाय वला एहि दुराचारक बाट पर आब अहाँ सभ ओकरा सभक संग नहि दौड़ैत छी, तेँ ओकरा सभ केँ आश्‍चर्य लगैत छैक आ ओ सभ अहाँ सभक निन्‍दा करैत अछि।
4 Estranham eles agora que já não vos lanceis com eles nos mesmos desregramentos de libertinagem, e por isso vos cobrem de calúnias.
5 मुदा एहन लोक सभ केँ अपन लेखा तिनका लग देबऽ पड़तैक जे जीवित सभक आ मरल सभक न्‍याय करबाक लेल तैयार छथि।
5 Eles darão conta àquele que está pronto para julgar os vivos e os mortos.
6 एहि लेल तकरो सभ केँ सुसमाचार सुनाओल गेल छलैक जे सभ एखन मरल अछि, जाहि सँ ओना तँ ओकरा सभक मरनाइ द्वारा ओ सभ शरीर मे वैह न्‍याय पौलक जे सभ मनुष्‍य केँ भेटैत छैक, तैयो आत्‍मा मे ओ सभ ओहन जीवन पाबय जेहन परमेश्‍वर केँ छनि।
6 Pois para isto foi o Evangelho pregado também aos mortos; para que, embora sejam condenados em sua humanidade de carne, vivam segundo Deus quanto ao espírito.
7 सभ बातक अन्‍त नजदीक अछि। तेँ समझदार बनू और अपना पर काबू राखू जाहि सँ प्रार्थना कऽ सकी।
7 O fim de todas as coisas está próximo. Sede, portanto, prudentes e vigiai na oração.
8 सभ सँ पैघ बात ई जे अहाँ सभ आपस मे अटूट प्रेम राखू, किएक तँ प्रेम असंख्‍य पाप केँ झाँपि दैत अछि।
8 Antes de tudo, mantende entre vós uma ardente caridade, porque a caridade cobre a multidão dos pecados {Pr 10,12}.
9 बिनु कुड़बुड़ा कऽ एक-दोसराक अतिथि-सत्‍कार करू।
9 Exercei a hospitalidade uns para com os outros, sem murmuração.
10 अहाँ सभ मे सँ प्रत्‍येक गोटे केँ परमेश्‍वर सँ वरदान भेटल अछि। आब परमेश्‍वरक विश्‍वस्‍त सेवक जकाँ हुनकर कृपाक विभिन्‍न गुणक वरदान सभ केँ एक-दोसराक सेवा मे लगाउ।
10 Como bons dispensadores das diversas graças de Deus, cada um de vós ponha à disposição dos outros o dom que recebeu:
11 जे केओ उपदेश दैत छथि, से एना देथि जेना परमेश्‍वरेक बात सभ बाजि रहल छथि। जे दोसराक सहायता करैत छथि, से ओहि बल सँ करथि जे परमेश्‍वर दैत छथि, जाहि सँ सभ बात मे यीशु मसीहक माध्‍यम सँ परमेश्‍वरक स्‍तुति होनि। महिमा आ सामर्थ्‍य युगानुयुग परमेश्‍वरेक छनि। आमीन।
11 a palavra, para anunciar as mensagens de Deus; um ministério, para exercê-lo com uma força divina, a fim de que em todas as coisas Deus seja glorificado por Jesus Cristo. A ele seja dada a glória e o poder por toda a eternidade! Amém.
12 प्रिय भाइ लोकनि, अपन अग्‍नि-परीक्षा पर, जे अहाँ सभ केँ जँचबाक लेल भऽ रहल अछि, आश्‍चर्य नहि मानू, जेना कोनो असाधारण बात भऽ रहल होअय।
12 Caríssimos, não vos perturbeis no fogo da provação, como se vos acontecesse alguma coisa extraordinária.
13 बल्‍कि आनन्‍द मनाउ जे अहाँ सभ मसीहक दुःख-भोग मे सहभागी छी। तखन जाहि दिन मसीह अपना महिमा मे फेर औताह, ताहि दिन अहाँ सभ आओर आनन्‍दित होयब।
13 Pelo contrário, alegrai-vos em ser participantes dos sofrimentos de Cristo, para que vos possais alegrar e exultar no dia em que for manifestada sua glória.
14 जँ अहाँ सभक अपमान एहि लेल कयल जाइत अछि जे अहाँ सभ मसीहक लोक छी, तँ ई अहाँ सभक लेल सौभाग्‍यक बात अछि, किएक तँ एहि सँ स्‍पष्‍ट होइत अछि जे महिमाक आत्‍मा, जे परमेश्‍वरक आत्‍मा छथि, से अहाँ सभ मे वास करैत छथि।
14 Se fordes ultrajados pelo nome de Cristo, bem-aventurados sois vós, porque o Espírito de glória, o Espírito de Deus repousa sobre vós.
15 एना नहि होअय जे अहाँ सभ मे सँ कोनो व्‍यक्‍ति हत्‍यारा, चोर वा आओर कोनो तरहक अपराधी बनि कऽ, वा दोसराक काज मे टाँग अड़यबाक कारणेँ दुःख भोगय।
15 Que ninguém de vós sofra como homicida, ou ladrão, ou difamador, ou cobiçador do alheio.
16 मुदा जँ केओ मसीही होयबाक कारणेँ दुःख उठबैत छी तँ लज्‍जित नहि होउ, बल्‍कि परमेश्‍वरक स्‍तुति करू जे मसीहक लोकक रूप मे परिचित छी।
16 Se, porém, padecer como cristão, não se envergonhe; pelo contrário, glorifique a Deus por ter este nome.
17 किएक तँ न्‍यायक समय आबि गेल अछि आ से परमेश्‍वरक परिवारे सँ शुरू भऽ रहल अछि। जँ न्‍यायक शुरुआत अपना सभ सँ भऽ रहल अछि, तँ तकरा सभ केँ की होयतैक जे सभ अनाज्ञाकारी भऽ परमेश्‍वरक शुभ समाचार केँ नहि मानैत अछि?
17 Porque vem o momento em que se começará o julgamento pela casa de Deus. Ora, se ele começa por nós, qual será a sorte daqueles que são infiéis ao Evangelho de Deus?
18 जेना लिखल अछि,
18 E, se o justo se salva com dificuldade, que será do ímpio e do pecador?
19 एहि लेल जे सभ परमेश्‍वरक इच्‍छाक अनुसार दुःख उठा रहल छथि, से सभ अपना केँ विश्‍वासयोग्‍य सृष्‍टिकर्ताक हाथ मे सौंपि देथि आ उचित काज करैत रहथि।
19 Assim também aqueles que sofrem segundo a vontade de Deus encomendem as suas almas ao Criador fiel, praticando o bem.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Pedro 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.