1 João 4
jivən səndesh (MAI) vs BKJ
1 प्रिय मित्र सभ, ताहि सभ लोकक विश्वास नहि करू जे कहैत अछि जे हमरा मे परमेश्वरक आत्मा छथि, बल्कि ओकरा सभक जाँच करू, ई बुझबाक लेल जे ओकरा मे जे आत्मा छैक, से परमेश्वरक दिस सँ अछि वा नहि। किएक तँ बहुतो लोक संसार मे निकलि गेल अछि जे झूठ बाजि कऽ अपना केँ परमेश्वरक प्रवक्ता कहैत अछि।
1 Amados, não creiais em todo o espírito, mas provai se os espíritos são de Deus, porque muitos falsos profetas têm aparecido no mundo.
2 परमेश्वरक आत्मा केँ अहाँ सभ एहि तरहेँ चिन्हि सकैत छी—जे केओ स्वीकार करैत अछि जे यीशु मसीह मनुष्य बनि कऽ अयलाह, तकरा मे परमेश्वरक आत्मा छथि।
2 Nisto conhecereis o Espírito de Deus: Todo o espírito que confessa que Jesus Cristo veio em carne é de Deus.
3 मुदा जे केओ यीशु केँ एहि तरहेँ स्वीकार नहि करैत अछि, तकरा मे जे आत्मा अछि, से परमेश्वरक दिस सँ नहि अछि। ओकरा मे “मसीह-विरोधी”क आत्मा अछि, जकरा बारे मे अहाँ सभ सुनने छलहुँ जे आबऽ वला अछि, और एखनो ओ संसार मे आबि गेल अछि।
3 E todo o espírito que não confessa que Jesus Cristo veio em carne não é de Deus; mas este é o espírito do anticristo, do qual já ouvistes que há de vir, e já agora está no mundo.
4 प्रिय बौआ सभ, अहाँ सभ ओहि झुट्ठा शिक्षक सभ पर विजयी भऽ गेल छी, कारण अहाँ सभ परमेश्वरक छी, और जे अहाँ सभ मे छथि, से तकरा सँ शक्तिशाली छथि जे संसार मे अछि।
4 Vós sois de Deus, filhinhos, e já os tendes vencido; porque maior é aquele que está em vós do que aquele que está no mundo.
5 ओ सभ संसारक अछि आ तेँ संसारेक बात कहैत अछि, और संसार ओकरा सभक बात सुनैत छैक।
5 Eles são do mundo, por isso falam do mundo, e o mundo os ouve.
6 मुदा अपना सभ परमेश्वरक छी, और जे केओ परमेश्वर केँ चिन्हैत छनि, से अपना सभक सुनैत अछि। मुदा जे केओ परमेश्वरक नहि अछि से अपना सभक नहि सुनैत अछि। एहि सँ अपना सभ सत्यक आत्मा और झूठक आत्मा चिन्हि सकैत छी।
6 Nós somos de Deus; aquele que conhece a Deus nos ouve; aquele que não é de Deus não nos ouve. Nisto conhecemos o espírito da verdade e o espírito do erro.
7 प्रिय मित्र सभ, अपना सभ एक-दोसर सँ प्रेम करी, किएक तँ प्रेम परमेश्वर सँ उत्पन्न होइत अछि। जे प्रेम करैत अछि, से परमेश्वरक सन्तान अछि और परमेश्वर केँ चिन्हैत अछि।
7 Amados, amemo-nos uns aos outros; porque o amor é de Deus; e qualquer que ama é nascido de Deus e conhece a Deus.
8 जे प्रेम नहि करैत अछि, से परमेश्वर केँ नहि चिन्हैत अछि, किएक तँ परमेश्वर प्रेम छथि।
8 Aquele que não ama não conhece a Deus; porque Deus é amor.
9 परमेश्वर अपन प्रेम अपना सभक बीच एहि प्रकारेँ प्रगट कयलनि—ओ अपन एकलौता पुत्र केँ संसार मे पठा देलनि जाहि सँ अपना सभ हुनका द्वारा जीवन प्राप्त करी।
9 Nisto foi manifestado o amor de Deus para conosco: por esta causa Deus enviou seu Filho unigênito ao mundo, para que pudéssemos viver através dele.
10 प्रेमक अर्थ ई नहि, जे अपना सभ परमेश्वर सँ प्रेम कयलियनि, बल्कि ई, जे ओ अपना सभ सँ प्रेम कयलनि और अपन पुत्र केँ अपना सभक पापक प्रायश्चित्त करऽ वला बलि बना कऽ पठा देलनि।
10 Nisto está o amor, não em que nós tenhamos amado a Deus, mas em que ele nos amou, e enviou seu Filho para ser a propiciação pelos nossos pecados.
11 प्रिय मित्र सभ, जँ परमेश्वर अपना सभ सँ एहन प्रेम कयलनि, तँ अपनो सभ केँ एक-दोसर सँ प्रेम करबाक चाही।
11 Amados, se Deus assim nos amou, devemos também amar uns aos outros.
12 परमेश्वर केँ केओ कहियो नहि देखने छनि, मुदा अपना सभ जँ एक-दोसर सँ प्रेम करैत छी तँ ओ अपना सभ मे वास करैत छथि और अपना सभ मे हुनकर प्रेम सिद्ध होइत अछि।
12 Ninguém viu a Deus em tempo algum; se amamos uns aos outros, Deus habita em nós, e o seu amor é aperfeiçoado em nós.
13 अपना सभ हुनका मे रहैत छी और ओ अपना सभ मे, तकर प्रमाण ई भेल जे ओ अपना सभ केँ अपन आत्मा मे सहभागी बना लेने छथि।
13 Nisto sabemos que habitamos nele, e ele em nós, porque ele nos deu do seu Espírito.
14 अपना सभ देखने छी और गवाही दैत छी जे पिता अपना पुत्र केँ संसारक उद्धारकर्ताक रूप मे पठौलनि।
14 E nós vimos e testificamos que o Pai enviou seu Filho para ser o Salvador do mundo.
15 जँ केओ स्वीकार करैत अछि जे यीशु परमेश्वरक पुत्र छथि, तँ परमेश्वर ओकरा मे रहैत छथि और ओ परमेश्वर मे।
15 Qualquer que confessar que Jesus é o Filho de Deus, Deus habita nele, e ele em Deus.
16 परमेश्वरक प्रेम जे अपना सभक प्रति छनि, तकरा अपना सभ जानि गेल छी और ताही पर भरोसा करैत छी।
16 E nós conhecemos e cremos no amor que Deus tem para nós. Deus é amor; e aquele que habita em amor, habita em Deus, e Deus nele.
17 अपना सभ मे प्रेम सिद्ध होयबाक उद्देश्य ई अछि जे अपना सभ न्यायक दिन मे निर्भय रही, और एहि कारण निर्भय रही जे संसार मे अपना सभ तेहन छी जेहन यीशु छथि।
17 Nisto o nosso amor é aperfeiçoado, para que tenhamos ousadia no dia do julgamento; porque, como ele é, assim somos nós também neste mundo.
18 प्रेम मे डर नहि होइत अछि। सिद्ध प्रेम डर केँ भगा दैत अछि, कारण डर दण्ड सँ सम्बन्धित अछि। जे डेराइत अछि, से प्रेम मे सिद्ध नहि भेल अछि।
18 Não há temor no amor, mas o amor perfeito lança fora o medo; porque o medo traz tormento. Aquele que teme não é perfeito em amor.
19 अपना सभ एहि लेल प्रेम करैत छी जे ओ पहिने अपना सभ सँ प्रेम कयलनि।
19 Nós o amamos porque ele primeiro nos amou.
20 जँ केओ कहैत अछि जे, हम परमेश्वर सँ प्रेम करैत छी, जखन कि अपना भाय सँ घृणा करैत अछि, तँ ओ झूठ बाजऽ वला अछि। कारण, जे अपना भाय सँ जकरा ओ देखने छैक प्रेम नहि करैत अछि, से परमेश्वर सँ जिनका ओ नहि देखने छनि कोना प्रेम कऽ सकैत अछि?
20 Se um homem diz: Eu amo a Deus, e odeia seu irmão, é mentiroso. Porque se ele não ama seu irmão, a quem viu, como pode amar a Deus, a quem não viu?
21 और ओ अपना सभ केँ ई आज्ञा देने छथि जे, जे परमेश्वर सँ प्रेम करैत अछि से अपना भाय सँ सेहो प्रेम करय।
21 E este mandamento temos dele: que aquele que ama a Deus, ame também o seu irmão.
Atalhos do teclado
- Capítulo anterior←
- Próximo capítulo→
- Versículo anteriork
- Próximo versículoj
- Limpar seleçãoEsc
- Esta ajuda?
Estude este capítulo no WhatsApp
Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 João 4, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.