1 João 3

jivən səndesh (MAI) vs ARC

Sair da comparação
ARC Almeida Revista e Corrigida 2009
1 सोचू! पिता अपना सभ सँ कतेकटा प्रेम कयने छथि, जे अपना सभ परमेश्‍वरक सन्‍तान कहाबी! और वास्‍तव मे सैह छीहो। संसार अपना सभ केँ नहि चिन्‍हैत अछि, से एहि कारणेँ जे हुनको नहि चिन्‍हलकनि।
1 Vede quão grande amor nos tem concedido o Pai: que fôssemos chamados filhos de Deus. Por isso, o mundo não nos conhece, porque não conhece a ele.
2 प्रिय मित्र सभ, अपना सभ एखन परमेश्‍वरक सन्‍तान छी। और भविष्‍य मे की होयब, से एखन तक प्रगट नहि कयल गेल अछि। मुदा ई जनैत छी जे, मसीह जखन फेर औताह तखन अपना सभ हुनके जकाँ होयब, कारण हुनका ठीक ओहने देखबनि जेहन ओ छथि।
2 Amados, agora somos filhos de Deus, e ainda não é manifesto o que havemos de ser. Mas sabemos que, quando ele se manifestar, seremos semelhantes a ele; porque assim como é o veremos.
3 जकरा हुनका सँ ई आशा छैक, से अपना केँ पवित्र रखैत अछि जेना ओ पवित्र छथि।
3 E qualquer que nele tem esta esperança purifica-se a si mesmo, como também ele é puro.
4 जे केओ पाप करैत अछि से परमेश्‍वरक नियमक उल्‍लंघन करैत अछि, कारण पाप सैह अछि, अर्थात् परमेश्‍वरक नियमक उल्‍लंघन कयनाइ।
4 Qualquer que pratica o pecado também pratica iniquidade, porque o pecado é iniquidade.
5 मुदा अहाँ सभ जनैत छी जे मसीह पाप दूर करबाक लेल अयलाह, और हुनका मे कोनो पाप नहि छनि।
5 E bem sabeis que ele se manifestou para tirar os nossos pecados; e nele não há pecado.
6 जे हुनका मे वास करैत अछि, से पाप नहि करैत रहैत अछि। जे पाप करैत रहैत अछि, से ने हुनका देखने छनि आ ने हुनका चिन्‍हने छनि।
6 Qualquer que permanece nele não vive pecando; qualquer que vive pecando não o viu nem o conheceu.
7 यौ बौआ सभ! एहि विषय मे अहाँ सभ केँ केओ बहकाबओ नहि! जे केओ धार्मिकताक आचरण करैत रहैत अछि, सैह धार्मिक अछि जेना यीशु मसीह धार्मिक छथि।
7 Filhinhos, ninguém vos engane. Quem pratica justiça é justo, assim como ele é justo.
8 और जे केओ पापक आचरण करैत रहैत अछि, से शैतानक सन्‍तान अछि, कारण शैतान शुरुए सँ पाप करैत आयल अछि। परमेश्‍वरक पुत्र एहि लेल संसार मे अयलाह जे ओ शैतानक काज नष्‍ट करथि।
8 Quem pratica o pecado é do diabo, porque o diabo vive pecando desde o princípio. Para isto o Filho de Deus se manifestou: para desfazer as obras do diabo.
9 जे केओ वास्‍तव मे परमेश्‍वरक सन्‍तान अछि से पाप नहि करैत रहत, कारण परमेश्‍वरक स्‍वभाव ओकरा मे रहैत छैक। ओ पापक आचरण नहि कऽ सकैत अछि, कारण ओ परमेश्‍वरक सन्‍तान भऽ गेल अछि।
9 Qualquer que é nascido de Deus não vive na prática do pecado; porque a sua semente permanece nele; e não pode viver pecando, porque é nascido de Deus.
10 एही प्रकारेँ अपना सभ चिन्‍हि सकब जे परमेश्‍वरक सन्‍तान के अछि और शैतानक सन्‍तान के अछि—जे धार्मिकताक आचरण नहि करैत अछि से परमेश्‍वरक सन्‍तान नहि अछि, आ ने ओ जे अपना भाय सँ प्रेम नहि करैत अछि।
10 Nisto são manifestos os filhos de Deus e os filhos do diabo: qualquer que não pratica a justiça e não ama a seu irmão não é de Deus.
11 जे सम्‍बाद अहाँ सभ शुरू सँ सुनने छी, से यैह अछि—अपना सभ एक-दोसर सँ प्रेम करी।
11 Porque esta é a mensagem que ouvistes desde o princípio: que nos amemos uns aos outros.
12 काइन जकाँ नहि बनू, जे शैतानक छल और अपन भायक हत्‍या कयलक। ओ भायक हत्‍या किएक कयलक? एहि लेल, जे ओकर अपन काज अधलाह छलैक और ओकर भायक नीक छलैक।
12 Não como Caim, que era do maligno e matou a seu irmão. E por que causa o matou? Porque as suas obras eram más, e as de seu irmão, justas.
13 यौ भाइ सभ, जँ संसार अहाँ सभ सँ घृणा करैत अछि तँ एहि सँ आश्‍चर्यित नहि होउ।
13 Meus irmãos, não vos maravilheis, se o mundo vos aborrece.
14 अपना सभ जनैत छी जे मृत्‍यु मे सँ निकलि कऽ जीवन मे पहुँचि गेल छी, कारण अपना भाय सभ सँ प्रेम करैत छी। जे केओ प्रेम नहि करैत अछि, से मृत्‍यु मे रहैत अछि।
14 Nós sabemos que passamos da morte para a vida, porque amamos os irmãos; quem não ama a seu irmão permanece na morte.
15 जे अपना भाय सँ घृणा करैत अछि से हत्‍यारा अछि और अहाँ सभ जनैत छी जे कोनो हत्‍यारा मे अनन्‍त जीवन वास नहि करैत छैक।
15 Qualquer que aborrece a seu irmão é homicida. E vós sabeis que nenhum homicida tem permanente nele a vida eterna.
16 प्रेम की अछि, से अपना सभ एहि सँ जनैत छी, जे प्रभु यीशु मसीह अपना सभक लेल अपन प्राण देलनि। और अपना सभ केँ सेहो अपन भाय सभक लेल अपन प्राण देबाक चाही।
16 Conhecemos o amor nisto: que ele deu a sua vida por nós, e nós devemos dar a vida pelos irmãos.
17 जँ ककरो संसारक सम्‍पत्ति छैक, और ओ अपना भाय केँ आवश्‍यकता मे देखैत छैक, मुदा ओकरा प्रति अपन हृदय कठोर कऽ लैत अछि, तँ ओकरा मे परमेश्‍वरक प्रेम कोना रहि सकैत छैक?
17 Quem, pois, tiver bens do mundo e, vendo o seu irmão necessitado, lhe cerrar o seu coração, como estará nele o amor de Deus?
18 प्रिय बौआ सभ, अपना सभ खाली शब्‍द वा बात द्वारा प्रेम नहि करी, बल्‍कि शुद्ध मोन सँ और काज द्वारा करी।
18 Meus filhinhos, não amemos de palavra, nem de língua, mas por obra e em verdade.
19 — ausente —
19 E nisto conhecemos que somos da verdade e diante dele asseguraremos nosso coração;
20 — ausente —
20 sabendo que, se o nosso coração nos condena, maior é Deus do que o nosso coração e conhece todas as coisas.
21 प्रिय मित्र सभ, जँ अपना सभक मोन अपना सभ केँ दोषी नहि ठहरबैत अछि, तँ अपना सभ परमेश्‍वरक सामने साहस सँ आबि सकैत छी,
21 Amados, se o nosso coração nos não condena, temos confiança para com Deus;
22 और जे किछु हुनका सँ मँगबनि से प्राप्‍त करब, किएक तँ हुनकर आज्ञाक पालन करैत छियनि और वैह करैत छी जे हुनका प्रिय छनि।
22 e qualquer coisa que lhe pedirmos, dele a receberemos, porque guardamos os seus mandamentos e fazemos o que é agradável à sua vista.
23 हुनकर आज्ञा ई अछि जे अपना सभ हुनकर पुत्र यीशु मसीह पर विश्‍वास करी, और जहिना ओ अपना सभ केँ आदेश देलनि तहिना एक-दोसर सँ प्रेम करी।
23 E o seu mandamento é este: que creiamos no nome de seu Filho Jesus Cristo e nos amemos uns aos outros, segundo o seu mandamento.
24 जे केओ हुनकर आज्ञा सभक पालन करैत अछि, से हुनका मे रहैत अछि और ओ तकरा मे। ओ अपना सभ मे वास करैत छथि, से अपना सभ ओहि आत्‍मा द्वारा जनैत छी जे ओ अपना सभ केँ देने छथि।
24 E aquele que guarda os seus mandamentos nele está, e ele nele. E nisto conhecemos que ele está em nós: pelo Espírito que nos tem dado.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 João 3, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.