1 Coríntios 8

jivən səndesh (MAI) vs ARIB

Sair da comparação
ARIB Almeida Revisada Imprensa Bíblica
1 आब मूर्ति पर चढ़ाओल गेल बलिक माँसुक सम्‍बन्‍ध मे अहाँ सभक प्रश्‍नक उत्तर—अपना सभ गोटे केँ ज्ञान अछि से हमहूँ सभ मानैत छी। मुदा ज्ञान मोन केँ घमण्‍ड सँ फुलबैत अछि जखन कि प्रेम उन्‍नति करबैत अछि।
1 Ora, no tocante às coisas sacrificadas aos ídolos, sabemos que todos temos ciência. A ciência incha, mas o amor edifica.
2 जँ केओ अपना बारे मे बुझैत अछि जे हमरा लग ज्ञान अछि तँ ओकरा एखन धरि असली ज्ञान सँ परिचय नहि छैक।
2 Se alguém cuida saber alguma coisa, ainda não sabe como convém saber.
3 मुदा जे केओ परमेश्‍वर सँ प्रेम करैत अछि तकरा परमेश्‍वर जनैत छथिन।
3 Mas, se alguém ama a Deus, esse é conhecido dele.
4 तखन मुरुत पर चढ़ाओल बलिक माँसु खयबाक विषय मे—अपना सभ जनैत छी जे मुरुतक पाछाँ कोनो वास्‍तविकता नहि अछि आ एकेटा परमेश्‍वर केँ छोड़ि आन कोनो परमेश्‍वर नहि अछि।
4 Quanto, pois, ao comer das coisas sacrificadas aos ídolos, sabemos que o ídolo nada é no mundo, e que não há outro Deus, senão um só.
5 आकाश मे आ पृथ्‍वी पर देवी-देवता कहाबऽ वला सभ होइतो, आ सत्‍य पुछल जाय तँ एहन “देवी-देवता” आ “प्रभु” बहुत अछि,
5 Pois, ainda que haja também alguns que se chamem deuses, quer no céu quer na terra {como há muitos deuses e muitos senhores},
6 तैयो अपना सभक लेल एकेटा परमेश्‍वर छथि, अर्थात् पिता, जिनका सँ सभ किछु उत्‍पन्‍न भेल अछि आ जिनका लेल अपना सभ जीबैत छी। आ एकेटा प्रभु छथि, अर्थात् यीशु मसीह, जिनका द्वारा सभ किछु बनाओल गेल अछि आ जिनका द्वारा अपना सभ जीबैत छी।
6 todavia para nós há um só Deus, o Pai, de quem são todas as coisas e para quem nós vivemos; e um só Senhor, Jesus Cristo, pelo qual existem todas as coisas, e por ele nós também.
7 मुदा सभ लोक केँ ई ज्ञान नहि अछि। किछु विश्‍वासी सभ बितल समय मे मुरुतक पूजाक अभ्‍यस्‍त होयबाक कारणेँ एखनो धरि जखन मुरुत पर चढ़ाओल वस्‍तु खाइत अछि तँ ओकरा प्रसाद मानैत अछि आ ओकर नीक-अधलाह बुझबाक ज्ञान कमजोर रहबाक कारणेँ ओकर मोन ओकरा अशुद्ध ठहरा दैत छैक।
7 Entretanto, nem em todos há esse conhecimento; pois alguns há que, acostumados até agora com o ídolo, comem como de coisas sacrificadas a um ídolo; e a sua consciência, sendo fraca, contamina-se.
8 भोजनक वस्‍तु अपना सभ केँ परमेश्‍वरक नजदीक नहि पहुँचा सकैत अछि। जँ ओकरा नहि खाइ तँ ताहि सँ कोनो हानि नहि होयत आ जँ ओकरा खाइ तँ ओहि सँ कोनो लाभ नहि होयत।
8 Não é, porém, a comida que nos há de recomendar a Deus; pois não somos piores se não comermos, nem melhores se comermos.
9 मुदा एकर ध्‍यान राखू, जे अहाँक स्‍वतन्‍त्रता कमजोर लोक सभक लेल ठोकर लगबाक कारण नहि बनि जाय।
9 Mas, vede que essa liberdade vossa não venha a ser motivo de tropeço para os fracos.
10 कारण, जँ केओ, जकर नीक-अधलाह बुझबाक ज्ञान कमजोर छैक अहाँ केँ, जकरा एहि बात सभक ज्ञान अछि, देवताक मन्‍दिर मे भोजन करैत देखय तँ की मूर्ति पर चढ़ाओल बलिक माँसु खयनाइ गलत मानिओ कऽ तकरा खयबाक लेल उत्‍साहित नहि भऽ जायत?
10 Porque, se alguém te vir a ti, que tens ciência, reclinado à mesa em templo de ídolos, não será induzido, sendo a sua consciência fraca, a comer das coisas sacrificadas aos ídolos?
11 एहि तरहेँ अहाँक ज्ञानक कारणेँ ओ कमजोर भाय, जकरा लेल मसीह मरलाह, नाश भऽ जाइत अछि।
11 Pela tua ciência, pois, perece aquele que é fraco, o teu irmão por quem Cristo morreu.
12 जखन अहाँ सभ एना कऽ कऽ अपन भाय सभक कमजोर विवेक केँ हानि पहुँचबैत ओकर विरुद्ध अपराध करैत छी तखन मसीहक विरुद्ध अपराध करैत छी।
12 Ora, pecando assim contra os irmãos, e ferindo-lhes a consciência quando fraca, pecais contra Cristo.
13 एहि लेल जँ हमर भोजनक वस्‍तु हमरा भाय केँ पाप मे खसाओत तँ हम फेर कहियो माँसु नहि खायब, जाहि सँ हम अपना भायक लेल खसबाक कारण नहि बनी।
13 Pelo que, se a comida fizer tropeçar a meu irmão, nunca mais comerei carne, para não servir de tropeço a meu irmão.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 8, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.