1 Coríntios 6

jivən səndesh (MAI) vs BKJ

Sair da comparação
1 जखन अहाँ सभक बीच आपस मे विवाद होइत अछि तँ तकर न्‍यायक लेल प्रभुक लोक सभक बदला अधर्मी सभक सामने जयबाक दुःसाहस अहाँ सभ कोना करैत छी?
1 Ousa algum de vós, tendo um assunto contra outro, ir à lei perante os injustos, e não perante os santos?
2 की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे एक दिन प्रभुक लोक सभ संसारक न्‍याय करताह? अहाँ सभक द्वारा जँ संसारक न्‍याय कयल जायत तँ की अहाँ सभ छोट-मोट विवाद सभक न्‍याय करबाक योग्‍य नहि छी?
2 Não sabeis vós que os santos julgarão o mundo? E se o mundo será julgado por vós, sois vós indignos de julgar as questões mínimas?
3 की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे अपना सभ स्‍वर्गदूत सभक न्‍याय करब? तखन की एहि जीवन सँ सम्‍बन्‍धित बात सभक न्‍याय कयनाइ कोनो बड़का बात अछि?
3 Não sabeis vós que julgaremos os anjos? Quanto mais as coisas pertencentes a esta vida?
4 जँ अहाँ सभक बीच कोनो एहन विवाद अछि तँ की अहाँ सभ ओहन लोक सभ केँ पंच बनबैत छी जकरा सभ केँ मण्‍डली मे कोनो स्‍थान नहि छैक?
4 Então, se tiverdes julgamentos das coisas que pertencem a esta vida, escolheis para julgá-los os que são de menos estima na igreja.
5 हम अहाँ सभ केँ लज्‍जित करबाक लेल ई बात कहि रहल छी। की ई सम्‍भव अछि जे अहाँ सभक बीच एको गोटे एहन बुद्धिमान नहि होइ जे भाइ-भाइक बीच फैसला कऽ सकी?
5 Para a vossa vergonha eu digo: Não há, pois, entre vós homem sábio? Nem mesmo um, que possa julgar entre seus irmãos?
6 मुदा तकरा बदला मे एक विश्‍वासी भाइ दोसर भाइ पर मोकदमा करैत छी आ सेहो अविश्‍वासी सभक सामने!
6 Mas o irmão vai à lei com o irmão, e isso perante os incrédulos.
7 वास्‍तव मे जखन अहाँ सभ एक-दोसर पर मोकदमा चलबैत छी, तँ ताहि सँ स्‍पष्‍ट होइत अछि जे अहाँ सभ एखने पूर्ण रूप सँ हारि गेल छी। तकर बदला मे अहाँ सभ अन्‍याय किएक नहि सहि लैत छी? अपन हानि किएक नहि होमऽ दैत छी?
7 Na verdade, já é realmente uma falta entre vós irem à lei uns contra os outros. Por que não sofreis, antes, a injustiça? Por que não sofreis, antes, o dano?
8 मुदा अहाँ सभ तँ तकर विपरीत जा कऽ स्‍वयं अन्‍याय करैत छी आ दोसराक हक मारैत छी—सेहो अपन मसीही भाइ सभक!
8 Mas vós fazeis a injustiça, e defraudais, e isso aos seus irmãos.
9 की अहाँ सभ ई नहि जनैत छी जे अधर्मी लोक परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश करबाक अधिकारी नहि होयत? अपना केँ धोखा नहि दिअ! अनैतिक शारीरिक सम्‍बन्‍ध रखनिहार, मूर्तिक पूजा कयनिहार, परस्‍त्रीगमन कयनिहार, वेश्‍या सनक काज कयनिहार पुरुष, समलैंगिक सम्‍बन्‍ध रखनिहार लोक,
9 Não sabeis que os injustos não herdarão o reino de Deus? Não vos enganeis; nem os fornicadores, nem os idólatras, nem os adúlteros, nem os efeminados, nem os abusadores de si mesmos com os do sexo masculino,
10 चोर, लोभी, पिअक्‍कड़, गारि पढ़निहार आ धोखेबाज सभ परमेश्‍वरक राज्‍य मे प्रवेश करबाक अधिकारी नहि होयत।
10 nem os ladrões, nem os cobiçosos, nem os bêbados, nem os difamadores, nem os extorquidores, herdarão o reino de Deus.
11 आ से अहाँ सभ मे सँ किछु गोटे छलहुँ, मुदा अहाँ सभ आब प्रभु यीशु मसीहक नाम सँ आ अपना सभक परमेश्‍वरक आत्‍मा द्वारा धोअल गेलहुँ, पवित्र कयल गेलहुँ आ निर्दोष ठहराओल गेलहुँ।
11 E assim foram alguns de vós, mas fostes lavados, mas fostes santificados, mas fostes justificados em nome do Senhor Jesus e pelo Espírito do nosso Deus.
12 “सभ किछु करबाक हमरा स्‍वतन्‍त्रता अछि”—मुदा सभ किछु हितकर नहि अछि। “सभ किछु करबाक हमरा स्‍वतन्‍त्रता अछि”—मुदा हम कोनो बातक गुलाम नहि बनब।
12 Todas as coisas me são lícitas, mas nem todas as coisas convêm; todas as coisas me são lícitas, mas eu não serei levado sob o poder de nenhuma.
13 “भोजन पेटक लेल अछि आ पेट भोजनक लेल”—मुदा परमेश्‍वर दूनू केँ समाप्‍त कऽ देताह। शरीर अनैतिक सम्‍बन्‍धक लेल नहि, बल्‍कि प्रभुक सेवाक लेल अछि आ प्रभु शरीरक कल्‍याणक लेल।
13 Os alimentos são para o ventre, e o ventre para os alimentos; mas Deus destruirá tanto um como os outros. Ora, o corpo não é para a fornicação, mas para o Senhor, e o Senhor para o corpo.
14 परमेश्‍वर जहिना अपना सामर्थ्‍य सँ प्रभु यीशु केँ मृत्‍यु मे सँ जिऔलथिन तहिना ओ हमरो सभ केँ जिऔताह।
14 E Deus, que ressuscitou o Senhor, também nos ressuscitará pelo seu próprio poder.
15 की अहाँ सभ ई नहि जनैत छी जे अहाँ सभक शरीर मसीहक अंग सभ अछि? तँ की हम मसीहक अंग लऽ कऽ तकरा वेश्‍याक अंग बना दिऐक? किन्‍नहुँ नहि!
15 Não sabeis vós que os vossos corpos são membros de Cristo? Tomaria eu, então, os membros de Cristo, e deles faria membros de uma prostituta? De modo algum.
16 की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे वेश्‍याक संग जे केओ अपन शरीर जोड़ैत अछि से ओकरा संग एक शरीर भऽ जाइत अछि? किएक तँ धर्मशास्‍त्र कहैत अछि जे, “दूनू एक शरीर भऽ जायत।”
16 Ou não sabeis que aquele que se ajunta com uma prostituta é um só corpo? Porque os dois, diz ele, serão uma só carne.
17 मुदा जे प्रभु सँ संयुक्‍त भऽ जाइत अछि से हुनका संग आत्‍मा मे एक बनि जाइत अछि।
17 Mas o que se ajunta com o Senhor é um só espírito.
18 अनैतिक सम्‍बन्‍ध सँ दूर रहू। आरो सभ पाप जे मनुष्‍य करैत अछि, से शरीर सँ हटल अछि, मुदा जे ककरो संग अनैतिक सम्‍बन्‍ध रखैत अछि से अपना शरीरेक विरुद्ध पाप करैत अछि।
18 Fugi da fornicação. Todo pecado que o homem comete está fora do corpo; mas o que comete fornicação peca contra o seu próprio corpo.
19 की अहाँ सभ नहि जनैत छी जे अहाँ सभक शरीर परमेश्‍वरक पवित्र आत्‍माक मन्‍दिर अछि, जे आत्‍मा अहाँ सभ मे वास करैत छथि आ जे अहाँ सभ केँ परमेश्‍वर सँ प्राप्‍त भेल छथि? अहाँ सभ अपन नहि छी।
19 Ou não sabeis que o vosso corpo é o templo do Espírito Santo, que está em vós, proveniente de Deus, e que não sois de vós mesmos?
20 अहाँ सभ दाम दऽ कऽ किनल गेल छी। एहि लेल अपना शरीर द्वारा परमेश्‍वरक सम्‍मान करू।
20 Porque fostes comprados por um preço; portanto, glorificai a Deus no vosso corpo, e no vosso espírito, os quais são de Deus.

Ler em outra tradução

Comparar com outra

Estude este capítulo no WhatsApp

Peça à IA da Bíblia Fala para explicar 1 Coríntios 6, comparar traduções ou montar um estudo — tudo direto pelo WhatsApp.